Matthew13
1ओहि दिन यीशु, अपन चेलासबहक संग, ओहि घरस चलि गेलथि जत ओ सिखबैत छलथि आ गलीलके झील कातमे चलि गेलथि। ओ ओत बैसि गेलथि,2आ एकटा बड़का भीड़ हुनका चारुभर एकट्ठा भ' गेल आ हुनक शिक्षा सुनए लागल। कनिक आओर जगह होइक कहिक ओ नावमे गेलथि आ ओकरासबके सिखाबए बैसि गेलथि। भीड़सब झील कातमे हुनका सुनबाक लेल ठाढ़ भेल।3ओ ओकरासबके बहुते दृष्टान्तमे सिखएलनि। ओ कहलखिन, “सुनू! एकबेर एकटा मनुष्य बिआ छिट अपन खेतमे गेल।4जेना ओ बिआ माटिमे छिटैत रहैक, किछु बिआ रस्तापर खसि पड़ल। मुदा किछु चिड़ै आबिक ओहि बिआसब के खा लेलक।5आ बिआसब एहन माटिमे खसल जतके पत्थलपर माटिए कम छल। ओ बिआसब लगले जनमि गेल, रौद ओहि माटिके गरमा देलक।6मुदा जखन छोट गाछसब निकलि आएल, ओसब सेहो धूप स बड़ गरम भ' गेल, आ ओसब सुखि गेल किएकत ओकरासबके जड़ि बेसी तरमे नहि छल।7आओर बिआसब एहन माटिमे खसि पड़ल जत कांटकुश झाड़ि छल। कांटकुश ओहि गाछ संगे बढ़ल, आ ओसब गाछस बेसी झमटगर भ' गेल।8मुदा आओर बिआसब नीक माटिमे खसि पड़ल, आ गाछ बढ़ल आ बहुत अनाज फड़ल। किछु गाछ रोपल स सय गुणा बेसी फसल देलक। किछु गाछ रोपल स साठि गुणा बेसी फसल देलक। किछु गाछ रोपल स तीस गुणा बेसी फसल देलक।9यदि ई अहाँ बुझि सकैत छी त, अहाँ ध्यानस लिअ जे हम अखिने कहलहुं।”10तखन ओ चेलासब यीशु लग आबिक बादमे पुछलक, “जखन अहाँ भीड़ संगे बात करैत छी त अहाँ दृष्टान्तमे किएक बात करैत छी?”11ओ उत्तर देलथिन, “परमेश्वर अहाँसबहक संग प्रकाश द' रहल छथि जे दोसर लोकके कहियो नहि प्रगट कएने छलथि, स्वर्गस कोन तरहें ओ शासन करताह। मुदा ओ ई बातसब एहि लोकसबलग प्रगट नहि कएने छथि।12जे केओ हम की कहैत छी ताहिके विषयमे सोंचए आ बुझैक, परमेश्वर ओकरा आओर बुझएमे सक्षम करथिन। मुदा जे लोकसब हम कहने बात ध्यान नहि बुझि सकैत अछि से ओ जानल बातसब सेहो बिसरि जएतैक।13एहिलेल हम लोकसबसंगे बजैतकाल दृष्टान्तमे बजैत छी, हम की करैत छी से देखबो करैत छै तइयो, लोकसब नहि बुझत जे एहिके अर्थ की अछि, आ हम कहने बात ओसब सुनबो करत त, ओसब सांच्चे एहिके अर्थ की भेल से नहि सिखत। 14ई लोकसब जे करैत अछि से पूर्णरुपमे ओहने मिलि जाइत अछि जेना परमेश्वर यशायाह प्रवक्ताद्वारा बहुत पहिने कहने छलथि, ‘अहाँसब सुनबैक जे हम की कहैत छी, मुदा अहाँसब ई नहि बुझबए। अहाँसब देखबै हम की करैत छी, मुदा अहाँसब एहिके अर्थ की भेल से नहि सिख सकब।’”15परमेश्वर यशायाहके इहो कहलखिन, “हम कहैत छी से ई लोकसबके मन सुस्त भ गेल अछि ई लोकसब सुनि सकैत अछि, मुदा ओसब एहिके सन्देश कहियो नहि बुझि सकैत अछि। ओकरासबके देखबाक लेल आंखि अछि, मुदा ओसब जे देख रहल अछि से नीकस' कहियो नहि देख सकैत अछि। ओसब अपन आंखि बंद कएने छै जे ओसब नहि देखए। ओसब अपन आंखिस नहि देख सकैत अछि, आ ओसब अपन कानस' सुनि नहि सकैत अछि, आ ओसब बुझि नहि सकैत अछि। कहूं ओसब देखतैक, सुनतैक आ बुझतैक, तब ओसब हमरा दिस घुरि जएतैक, परमेश्वर कहैत छथि जे हम ओकरासबके चंगा क' दितिऐक।”16“मुदा अहाँसबहक लेल, परमेश्वर धन्य बनौने छथि किएकत अहाँसब महसूस करैत छी जे हम की कएने छी आ किएकत अहाँसब बुझति छी जे हम कहैत छी।17हम अहाँके सत्य कहैत छी: बहुत प्रवक्ता आ धर्मी लोकसब जे बहुत पहिने जीवित छल से हम करैत जे अहाँसब देखैत छी से देखबाक लेल बहुत ललायित छल, मुदा ओसब नहि देख सकल। ओसब ई बात सुनबाक लेल ललायित छल जे हमरा कहैत अहाँसब सुनि रहल छी, मुदा ओसब नहि सुनि सकलथि जे अहाँ हमरास सुनि रहल छी।”18आब एकटा मनुष्य जे भिन्न-भिन्न माटिमे बिआ छिट गेल ई दृष्टान्तके हम व्याख्या करैत छी से सुनू।19किछु लोक परमेश्वर कोनो शासन करताह से सुनैत अछि मुदा एहि नहि बुझति अछि। ओसब एहन बिआ जकां अछि जे रस्तापर खसल छल। शैतान, जे दुष्ट अछि, अबैत अछि आ लोकसब मनमे सुनने वचन बिसरा दैत अछि।20किछु लोक परमेश्वरके सन्देश सुनैत अछि आ खुशीस' तुरन्ते स्वीकार क' लैत अछि। ओसब पत्थरैल स्थान जकां अछि जत किछु बिआ खसल छल।21किएकत ओकरासबके भितरी हृदयमे नहि गड़ल रहैत अछि, ओसब कनिके कालके लेल विश्वास करैत अछि। ओसब ओहि गाछ जकां अछि जेकर जड़ि गहींर माटिमे नहि गेल होइक। हम ओकरासबके कहने बातपर विश्वास कएलाक कारण जखन लोक ओकरा धमकौलक आ दुख देलक, त ओसब विश्वास नहि क अस्वीकार क' क' पाप करैत अछि।22किछु लोक परमेश्वरके वचन सुनैत अछि, मुदा ओसब धनीक बनएके इच्छा करैत अछि, तएं ओसब धनके विषयमे आ एहि संसारके विषयमे चिन्तित होइत अछि। फलस्वरुप, ओसब परमेश्वरके सन्देशके बिसरि जाइत अछि आ ओसब परमेश्वर चाहने बातसब नहि क' सकैत अछि। ई लोकसब एहन माटि जकां अछि जे कांटकुशबला झाड़मे गड़ल जड़ि जकां अछि।23मुदा किछु लोकसब हमर सन्देश सुनैत अछि आ बुझति अछि। किछुगोटे परमेश्वरके प्रसन्न करएबला बहुत एहन काज करैत अछि, आ किछुगोटे परमेश्वरके खुश करएबला आओर बेसी काज करैत अछि, आ किछुगोटे परमेश्वर खुश करएबला काज बहुत बेसी करैत अछि। ओसब नीक माटि जकां अछि जत किछु बिआसब खसल छल24यीशु भीड़के दोसरो दृष्टान्त कहलखिन। ओ कहलखिन, “जहिया परमेश्वर स्वर्गस शासन करथिन, ई एकटा खेतके मालिक जकां अछि जे अपन दासके अपन खेतमे नीक बिआ बाओग करए पठौलनि।25जखन ओ दाससब सुतल रहैक आ रखबारी नहि करैत रहैक, मालिकके एकटा दुश्मन आबिक आ गहुमके खेतमे झाड़के बिआसब छिट देलक। आ ओ चलि गेल।26बिआ जनमलाके बाद आ हरियर घास बढ़ल, ओहिमे बालि लागए लागल। मुदा झाड़ सेहो बढ़ए लागल।27तएं खेतक मालिकके दाससब ओकरा लग आएल आ कहलकनि, ‘मालिक, अहाँ त हमरा सबके निश्चय नीक बिआ देने रहिऐक आ ओहे बिआसब हमसब बाओग कएलिऐ। त ई झाड़सब कतस आएल?’28ओ खेतके मालिक ओकरासबके उत्तर देलकनि, ‘हमर दुश्मन ई कएने छै।’ ओकर दास ओकरा पुछलक, ‘की अहाँ चाहैत छी जे हमसब जा क ओहि झाड़सबके उखारि दिए?’29ओ ओकरासबके कहलकनि,' नहि, एना नहि करु, किएकत अहाँसब ओहि झाड़के उखारैत काल नीको गहुमसब के उखारि देबै।30ई गहुम आ झाड़सबके संगे बढ़ए दिऔ फल पाकए धरि। ओहि समय हम फसल कटनिहार सबके कहबनि, ‘पहिने झाड़सबके एक स्थानमे जम्मा करु, आ ओकरासबके जरब लेल अलगे बोझा बान्हिक राखू। तेकरबाद गहुमके हमर बखारीमे भण्डार करु।’”31यीशु ओकरासबके ईहो दृष्टान्त कहलखिन: “जहिया परमेश्वर स्वर्गस शासन करथिन, ई सरिसोके बिआ जकां अछि जे लोक अपन खेतमे रोपला के बाद जनमैत अछि।32लोकसब रोपैत अछि ताहि बिआ सबमेस सरिसो सबस छोट अछि, मुदा जनमिक' बढ़लाके बाद ओ बगीचाके आओर साग-पात आ झाड़सबस बड़का भ' जाइत अछि, आ ओकर डाढ़ि एतेक बड़का भ जाइत अछि जाहिमे आकाश चिड़ैसब खोंता लगबैत अछि।”33यीशु इहो दृष्टान्त कहलखिन: “जहिया परमेश्वर स्वर्गस शासन करथिन, ई एकटा स्त्री रोटी बनबैत जकां अछि। ओ तीन मौनी अंटा लेलीह आ कनिक खमीर मे मिला देलीह, आ रोटी फुलि गेल।”34ई सब बात यीशु भीड़स' दृष्टान्तमे कहलखिन; आ ओ बिना दृष्टान्तके हुनकासबस' किछु नहि बजलाह।35एनाक' क', ओ ओहि सत्यके पूरा कएलनि जे बहुत पहिने परमेश्वर एकटा प्रवक्ताके लिखबाक लेल कहने छलथि, “हम दृष्टान्तसबमे बात करब; संसारके कएलक बाद जे हम गुप्त रखने रही से हम दृष्टान्त कहिक' सिखाएब।” 36यीशु भीड़के पठा देलाके बाद, ओ ओहि घरमे गेलथि। तेकरबाद, चेलासब हुनका लगमे आबिक' हुनका कहलकनि, “गहुम खेतमे निकलल जंगली झाड़बला दृष्टान्तक विषयमे हमरासबके समझा दिअ।”37ओ उत्तर देलथिन, “एहि कथामे जे नीक बिआ बाओग करैत अछि, ओ हम, मनुष्यक पुत्रके देखबैत अछि।38खेत एहि संसारके दर्शबैत अछि, जत लोकसब रहैत अछि। जाहि बिआस' भोजन उपजबैत अछि, ओ परमेश्वरके लोकसबके दर्शबैत अछि, जेकरापर ओ पिताके रुपमे शासन करैत छथि। जंगली झाड़ ओहि लोकसबके दर्शबैत अछि, जेकरालग पिताके रुपमे शैतान अछि।39जे शत्रु जंगली बिआ बाओग कएलक, ओ शैतानके दर्शबैत अछि। जाहि समय फसल काटएबला सब कटनी करत, ओ ओहि समयके दर्शबैत अछि, जहिया ई संसारके अन्त भ' जाएत। काटएबला लोकसब स्वर्गदूतसबके दर्शबैत अछि।40एहि जंगली झाड़सबके एकट्ठा क' क' जरा देल जाइत अछि। ई एहि बातके दर्शबैत अछि जे ओहि समय अधलाह लोकसबके संग कोनो होएत, जहिया परमेश्वर सब लोकसबके न्याय करथिन, आ जहिया ई संसारके अन्त भ' जाएत। ई एहि तरहें होएत:41हम, मनुष्यक पुत्र, अपन स्वर्गदूतसबके पठाएब, आ ओसब ओहि सब लोकसबमेस' जेकरापर हम शासन करैत छी, ओकरासबके एकट्ठा करत जे दोसरके पाप करबाक लेल प्रेरित करैत अछि आ ओहि सब लोकके एकट्ठा करत जे परमेश्वरके व्यवस्था उल्लंघन करैत अछि।42स्वर्गदूत ओकरासबके नरकके आगिमे फेक देतैक, जे एकटा आगिके कुण्ड जकां अछि। ओत ओसब अपन दुखके कारण कानत, आ दांत पिसत किएकत' ओसब बहुत पीड़ामे होएत।43मुदा जे धर्मी लोकसब अपन काजस' परमेश्वरके प्रसन्न कएने अछि, ओसब स्वर्गमे हुनकासंगे महिमा पाओत जहिया ओ प्रेमी पिताके रुपमे ओकरासब उपर शासन करताह। जे केओ सुनबाक लेल इच्छुक अछि ओसब सुनिलैक जे हम कहैत छी।”44“जं परमेश्वर स्वर्गस' शासन करबाक लेल लोकसबके अपन लोक बनबैत छथि, त ई ओहि खजाना जकां अछि जे कोनो आदमीके भेटल रहए जेकरा कोनो आओर व्यक्तिके खेतमे गाड़ि देने धन रहैक। जं ओ एहि खेतके खनलनि, त ओ ओकरा फेरुस' गाड़ि देलक जे ई कोनो आओर आदमीके नहि भेट जाइक। फेरु ओ प्रसन्न भ' क' चलि गेल आ ओहि खेतके किनबाक लेल अपन सारा सम्पत्ति बेच देलक। तब ओ ओहि खेतके किनक' ओहि खजानाके प्राप्त क' लेलक।45संगहि, जहिया परमेश्वर स्वर्गस' शासन करबाक लेल लोकसबके अपन लोक बनबैत अछि, त' ई ओहि व्यापारी जकां अछि जे किनबाक लेल बहुत मुल्यवान मोती खोजैत रहए।46जं ओकरा एकटा मूल्यवान मोती भेटल जे बिक्रीके लेल रहैक, ओ ओहि मोतीके किनलेल पर्याप्त धन जमा करबाक लेल अपन सारा सम्पत्ति बेच देलक। तब जाक ओकरा किन लेलकनि।47ओहिनाक' जं परमेश्वर स्वर्गस शासन करबाक लेल लोकसबके अपन लोक बनबैत छथि, त ई ओहिना अछि जे ओहि समय होइत अछि जखन मलाह अपन जालके झीलमे खसबैत अछि। ओसब सब प्रकारके माछ पकड़ैत अछि, जे नीक आ बेजाय दुनू प्रकारके माछ होइत अछि।48जखन जाल भरि जाइत गेल, त ओसब एकरा मोहार पर घिंचिक' लएलक। तब ओसब बैसिक' नीक माछके बर्तनमे धएलनि, मुदा बेजाय माछके ओसब फेक देलक।49ई ओहिना अछि जेना संसारके अन्त समयमे लोकसबके संग होएत। जत' परमेश्वर लोकसबके न्याय करताह, स्वर्गदूत ओत' आबिक' दुष्ट लोकसबके धर्मी लोकसबस अलग करत।50स्वर्गदूत ओहि दुष्ट लोकसबके नरकके आगिके कुण्डमे फेक देतैक। ओत ओसब अपन दुखके कारण कानत, आ अपन दांत पिसत किएकत' ओसब बड्ड पीड़ामे रहत।”51तखन यीशु अपन चेलासबस' पुछलथि, “की अहाँसब ई दृष्टान्तसब बुझति छी जे हम अहाँसबके बतएलहुं?” ओसब हुनका कहलकनि, “हं, हमसब ईसब बुझि रहल छी।”52तखन ओ कहलथि, “व्यवस्थाके ओ शिक्षकसब जे स्वर्गके राज्यके चेला बनि गेल अछि जेकरासबपर ओ स्वर्गस शासन करैत छथि, ओ ओहि घरके मालिक जकां अछि जे अपन भण्डारस' नव आ पुरना वस्तुसब बंटैत अछि। ओहिनाक', व्यवस्थाके शिक्षकसब लोकसबके पुरना शिक्षाके संगे-संगे हमरा दिसस आएल नव शिक्षासब सेहो सिखबैत अछि।”53जं यीशु ई दृष्टान्त बताएब समाप्त कएलथि, तब ओसब ओहि क्षेत्रस' चलि गेलनि।54तेकरबाद, यीशु अपन गाम नासरतमे गेलथि, जो हुनक गाम रहैक। विश्रामके दिन ओ सभाघरमे लोकसबके शिक्षा देब लगलनि। एकर परिणाम ई भेल जे ओतएके सब लोकसब चकित भेलनि, आन किछु लोक अपनामे कहए लागल, “एहि आदमीके एहन बुद्धि आ आश्चर्यजनक काज करबाक क्षमता कतस' भेटल अछि?55किएकत ई लकड़ी मिस्त्रीके बेटा मात्र अछि। निश्चय एकर मायके नाम मरियम अछि, आ याकूब, यूसुफ, सिमोन आ यहूदा एकर छोट भाइसब अछि!56आ एकर बहिनसब सेहो अपनासबके नगरमे बसैत अछि। तएं ई शिक्षा देब' मे आ ईसब काज करएमे कोनो सक्षम भेल?”57ओतएके लोकसब पाप कएलक आ ई स्वीकार करएस' अस्वीकार क' देने अछि जे यीशु लग एहन अधिकार अछि। एहिलेल यीशु ओकरासबके कहलथि, “जत कतौ हम जाइछी, लोकसब हमर आ आन प्रवक्ताके आदर करैत अछि, मुदा हमर अपने गाममे आ हमर अपने घर आ परिवारमे हमर आदर नहि होइत अछि।”58यीशु बेसी आश्चर्यजनक काजसब नहि कएलथि, किएकत' लोकसब ई विश्वास नहि कएलक जे हुनकालग एहन अधिकार अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.