Matthew15

1किछु समय बाद, किछु फरिसी आ शास्त्रीसब यरूशलेमस' यीशुसंगे बात करबाक लेल आएल। ओसब कहलकनि,2“हमसब देखैत छी जे अहाँक चेलासब हमरासबके पूर्वजसबद्वारा देल गेल परम्पराके उल्लंघन करैत अछि? ओसब भोजन खाएस पहिने जे हाथ धोए के विधि करबाक चाही से नहि करैत अछि!”3यीशु ओकरासबके उत्तर देलथिन, “आ हम देखैत छी जे अहाँसब परमेश्वरके आज्ञा मानएस' अस्वीकार करैत छी जे अहाँसब ओहि बातसबके पालन क' सकी जेकर शिक्षा अहाँके पूर्वजसब देने छनि!4परमेश्वर ई दूटा आज्ञा देने छथि, ‘अपन माय आ बाबूके आदर करु।’ ओ इहो लिखने अछि, ‘जे केओ अपन माय आ बाबूके विषयमे अधलाह बात करए, परमेश्वर ओकरा मृत्युदण्ड देथिन।’5मुदा हम अहाँसब लोकसबके कहैत छी जे ओसब अपन माय-बाबूस' एना कहि सकैत छी, ‘अहाँसबके सहायता करबाक लेल हम जे अहाँसबके जे देब रही, ओहिके हम आब परमेश्वरके भेटी देबाक प्रतिज्ञा कएने छी।’6आ अहाँसब लोकसबके कहैत छिऐ जे ओकरासबके अपन माय आ बाबूके आदर करबाक आवश्यकता एहिलेल नहि अछि किएकत' ओसब अपन सामान परमेश्वरके द' रहल अछि। ओकरासबके एना करबाक लेल कहिक', अहाँसब ओहि बातसबके अनदेखी करैत छी जेकर आज्ञा परमेश्वर देने छथि, जे अहाँसब ओहि बातसबके पालन क' सकी जेकर शिक्षा अहाँसबके पूर्वजसब अहाँसबके देने अछि!7अहाँसब मात्र नीक होएबाक ढोंग करैत छी! यशायाह अहाँसबके विषयमे भविष्यवाणी एकदम ठीक कहने छलनि जं परमेश्वर हुनकाद्वारा एना बात कहने रहैक,8‘ई लोकसब एहन बात करैत अछि जाहिस' बुझाति अछि ओसब हमर आदर करैत अछि, मुदा ओसब वास्तबमे हमर आदर करबाक मन नहि करैत अछि’,9ओसब वास्तवमे हमर आराधना नहि करैत अछि। किएकत' ओसब लोकसबद्वारा बनाओल गेल आज्ञासबके मानबाक शिक्षा दैत अछि, जेकर पालन करबाक आज्ञा हम देनहि नहि छिऐ।”'10तब यीशु भीड़के अपनालग आबएलेल कहलथि। ओ ओकरासबके कहलकनि, “जे हम अहाँसबके कहए जा रहल छी ओहिके सुनू आ समझबाक प्रयास करु।11कोनो वस्तु आदमीसब खएबाक लेल मुंहमे धरैत अछि, ओ परमेश्वरके ओकरासबके औपचारिक रुपस' अशुद्ध मानबाक लेल प्रेरित नहि करैत अछि। बल्कि, जे लोक कहैत अछि जे ओहे अछि जे ओहि बातके प्रगट करैत अछि जे कोनो व्यक्ति औपचारिक रुपस' अशुद्ध अछि।”12किछु समय बादमे, चेलासब यीशुके लगमे जाक' पुछलक, “अपने जनैत छिऐ जे अपने कहलिऐ, ओहिके सुनी क फरिसीसब अहाँपर बड्ड क्रोधित भ गेल अछि?”13तब यीशु ओकरासबके ई दृष्टान्त सुनलथि। “एहन बात सिखाबएबला लोकसबके हमर स्वर्गीय पिता ओकरासबके ओहिना दूर करथिन जे हुनकर वचनके विरुद्धमे अछि, जेना कोनो किसान ओहि झाड़के उखारिक' फेक दैत अछि जेकरा ओ रोपनहि ने अछि।14ओहि फरिसीसबपर कोनो ध्यान देबाक आवश्यकता नहि अछि। ओसब ओहि आन्हर आदमी जकां अछि जे दोसर आन्हर आदमी खधियामे एहिलेल ल क' जाइत अछि किएकत ओ नहि देख सकैत अछि जे ओसब कत जा रहल अछि। किएकत' ओसब नहि जनैत अछि जे लोकसबके परमेश्वरके आज्ञा मानबाक शिक्षा कोना देल जाए।”15पत्रुस यीशुके कहलकनि, “एकटा आदमी किछु खाइत अछि से दृष्टान्त हमरासबके समझा दिअ।”16यीशु ओकरा उत्तर देलथिन, “अहाँके एखन धरि ई बुझएमे सक्षम भ जएबाक चाही जेकर शिक्षा हम द रहल छी! मुदा अहाँ एखनोधरि नहि बुझति छी।17अहाँके ई बुझबाक चाही जे आदमी जे किछु खाइत अछि, ओ ओकरा पेटमे जाइत अछि आ फेरु ओकरा शौचद्वारा शरीरस' बहरा जाइत अछि।18मुदा जे अधलाह बात आदमी अपन अन्तरात्मास' बजैत अछि, ओहे ओकरा एहन बना दैत अछि जे परमेश्वर ओकरा औपचारिक रुपस' अशुद्ध मानि सकैत छथि।19एना एहिलेल अछि किएकत ई आदमीके अन्तरात्मा अछि जे ओकरा अधलाह बात सोंचब, लोकके हत्या करब, व्यभिचार करब, यौन पाप करब, समान चोराएब, केकरो विरुद्ध झूठ गवाही देब वा दोसरके विषयमे अधलाह बाजब प्रेरित करैत अछि।20इएह ओ काज अछि, जे लोकसबके औपचारिक रुपस' अशुद्ध मानएलेल प्रेरित करैत अछि। मुदा बिना हाथ धोएने भोजन कएलास परमेश्वर लोकसबके एहन तरीकास विचार करब प्रेरित नहि करैत अछि।”21बादमे यीशु आ हुनकर चेलासब गलील जिलास' चलि गेलाके बाद, ओसब ओहि प्रान्त दिस चलि गेलनि जत' सूर आ सीदोनके नगरसब अछि।22ओहि क्षेत्रमे रहबला कनानी नामके लोकक समूहमेस' एक स्त्री यीशु लग अएलीह। ओ हुनका बजाक' कहैत छलीह, “यौ प्रभु, अहाँ राजा दाऊदके वंशज छी। अहाँ मसीह छी! हमरा सहायता करु! हमर बेटी बड्ड पीड़ामे अछि, किएकत ओकरा एकटा दुष्टात्मा नियन्त्रित कएने अछि।”23मुदा यीशु ओकरा किछु उत्तर नहि देलथिन। चेलासब हुनका ई कहिक' विनती कएलखिन, “ओकरा चलि जाएलेल कहियौ, किएकत जं हमसब चलैत छी, त ओ हमरासबके पाछु पुकारि बजाक' परेशान करैत अछि।”24यीशु ओहि स्त्रीके कहलथि, “परमेश्वर हमरा मात्र इजराएलके लोकसबलग पठौने छथि, किएकत ओसब ओहि भेंड़ जकां अछि जे अपन मार्गस भटकि गेल अछि।”25मुदा ओ स्त्री यीशुके आओर लगमे आबि गेलीह। हुनका आगु ठेहुनियां द क' विनती कएलीह, “यौ प्रभु, हमरा सहायता करु!”26यीशु ओकरा उत्तर देलथिन, “ई नीक नहि अछि जे कोनो व्यक्ति माय द्वारा बच्चाके लेल तैयार कएल गेल भोजन ल क' कुकुरसबके आगु फेक दिए।”27मुदा ओ स्त्री उत्तर देलीह, “यौ प्रभु, अहाँ जे कहैत छी से ठीक अछि, मुदा कुकुरसब ओहि झरुएस' अपन पेट भरैत अछि जे उबरल आ भुइयांमे खसल रहैत अछि जखन ओकर मालिक टेबुलपर बैसिक' अपन भोजन करैत अछि!”28तब यीशु ओकरा कहलथि, “हे बहिन, किएकत अहाँ हमरापर विश्वास करैत छी, एहिलेल हम अहाँके बेटीके अहाँके इच्छाके अनुसार चंगा करब!” तखने ओ दुष्टात्मा ओकरा बेटीमेस निकलि गेल, आ ओ चंगा भ गेलीह।29तब यीशु आ हुनकर चेलासब ओहि क्षेत्रस' चलि गेलाह, आ गलीलके झील लग अएलथि। तब यीशु लोकसब सबके उपदेश देबाक लेल ओत लगमे रहल कनिके उंच पहाड़पर जाक' बैसि गेलाह।30बड़का भीड़ हुनकालग नेंगरासबके, अपांगसबके, आ आन्हरसबके, जे बाजएमे असमर्थ छल ओकरासबके, आओर बहुते आन लोकसबके ल क' आएल जे विभिन्न बेमारीसबस' ग्रसित छल। ओसब ओकरासबके यीशुके आगु सुता देलक जे यीशु ओकरासबके चंगा करथि। आ ओ ओकरासबके चंगा कएलथि।31भीड़ देखलक जे ओ ओकरासबके चंगा कएलथि जे बाजएमे असमर्थ, आन्हर, नांगर, अपांगसब रहए, त ओसब चकित भ' क' इजराएलके परमेश्वरके महिमा कएलक।32तखन यीशु अपन चेलासबके अपना लगमे बजाक कहलथि, “लोकसबके ई भीड़ तीन दिनस' हमरालग अछि आ एकरा सबलग खाएलेल किछु नहि बांकी रहि गेल अछि। एहिलेल, हम एकरा सब लेल बड्ड दुखित महसूस करैत छी, आ हम एकरासबके भूखले नहि पठाबए चाहैत छी। किएकत जं हम एना करब त ईसब घर जाइत-जाइत मूर्छित भ जएतैक।”33चेलासब हुनका कहलकनि, “एहि सुनसान स्थानमे एतेक नमहर भीड़के लेल कोनो तरहें नहि भेटत!”34यीशु ओकरासबके पुछलथि, “अहाँसबलग कतेक रोटी अछि?” ओसब हुनका उत्तर देलकनि, “सातटा रोटी आ किछु पकाओल गेल छोट-छोट किछु माछसब।”35तब यीशु लोकसबके भूमिपर बैसलेल कहलथि।36ओ सात रोटी आ किछु पकाओल गेल माछ ल क ओहिके लेल परमेश्वरके धन्यवाद देलथिन, तेकरबाद ओकरा टुकड़ा-टुकड़ा क' क' चेलासबके द' देलथिन जे ओसब भीड़के बांटि दिए।37ओ सबगोटे खएलनि आ स्वयंके सन्तुष्ट करबाक लेल भरि मन खएलनि। तखन चेलासब ओहि उबरल भोजनके बटोरलक आ ओसब ओहिस' सात टोकरी भरलक।38खाएबला 4,000 पुरुषसब रहए, आ एहिमे स्त्री आ बालबच्चासब नहि गनल गेल छल जे ओकरेसबसंगे खएने रहैक।39भीड़के विदा कएलाक बाद, यीशु अपन चेलासबसंगे नावमे सबार भ' क' मगदन प्रान्तमे चलि गेलाह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67