Matthew12

1विश्राम-दिनमे एकबेर, यीशु आ हुनक चेलासब फसल भेल खेत द' क' जाइत छलथि। किएकत चेलासब बेसी भूखल रहए, ओसब किछु बालि तोड़िक आ खाए लागल, जे मूसाके व्यवस्था अनुमति नहि देने रहैक।2किछु फरिसीसब ओकरासबके किछु बालि तोड़िक' खाइत देख लेलक, तएं ओसब यीशुके कहलकनि, “देखियौ! अहाँके चेलासब विश्रामक दिनमे काज करैत अछि। ई करब व्यवस्था अनुसार नहि अछि!”3मुदा यीशु उत्तर देलथिन, “शास्त्रमे ई नहि पढ़ने छी जे हमरासबहक पूर्वज राजा दाऊद कएलक जखन ओ आ ओकर संगे रहल लोकसब भूखल छल। 4राजा दाऊद पवित्र तम्बूमे पैसल जत लोकसब परमेश्वरके आराधना करैत रहथि आ ओहि रोटीके खएलनि जे परमेश्वरके आगु राखल गेल छल। मुदा मूसाके व्यवस्था अनुसार, मात्र पुजारीसबके खाए से उचित छल, मुदा दाऊद आ हुनकासंगे रहल लोकसब ओहिके खएलनि।5इहो, निश्चय अहाँसब पढ़ने छी जे मूसाके व्यवस्थामे लिखल अछि, जं ओ कहलकनि जे पुजारीसब सेहो, मन्दिरमे हमरासबहक विश्राम-दिनमे काज क' क', यहूदीसबहक विश्राम-दिनके अपवित्र करैत अछि, तथापि ओसब दोषी नहि अछि। 6एहिके अर्थ की अछि से हम अहाँसबके कहैत छी: हम अहाँसबलग आएल छी, आ हम परमेश्वरके भवनस' बेसी महत्वपूर्ण छी।7अहाँसब शास्त्रमे परमेश्वरके ई वचनसबके विषयमे सोंचि सकैत छी: ‘हम चाहैत छी अहाँसब लोकसबसंगे कृपापूर्वक व्यवहार करियौ, आ मात्र बलिदान नहि चढ़ाउ।’ यदि अहाँ एहिके अर्थ की अछि से बुझब त', अहाँसब हमर चेलासबके दोषी नहि ठहराएब, जे कोनो गलती नहि कएने छै। 8हम मनुष्यक पुत्र छी, आ हमरालग लोकसबके कहबाक अधिकार अछि जे ओसब विश्रामक दिनमे की करबाक चाही। किएकत हम विश्राम-दिनके प्रभु सही छी।”9ओहि दिन यीशु ओहि स्थानस चलि गेलथि, ओ एकटा सभाघरमे गेलथि।10ओत ओ एकटा सुखल हाथ भेल मनुष्यके देखलनि। फरिसीसब यीशुसंगे विश्रामक दिनके विषयमे विवाद करए चाहैत छल, तएं ओकरासबमेस' एकगोटे हुनका पुछलक, “की व्यवस्था अनुसार हमरासबहक विश्राम-दिनमे केकरो चंगा करब उचित अछि?” ओसब अपेक्षा करैत छल जे यीशु किछु गलत कहिक पाप करतनि।11ओ ओकरासबके उत्तर देलथिन, “मानिलिअ जे अहाँसबमे केकरो एकटा भेंड़ छल, आ ओ विश्रामक दिन एकटा गहींर खधियामे खसि पड़ल। अहाँसब ओकरा छोड़ि देबै? पक्के नहि! अहाँ ओकरा ल क' आ तुरन्ते निकालबैक!12मुदा मनुष्य भेंड़ास' बेसी मुल्यवान अछि। तएं निश्चितरुपस कोनो दिन लोकके चंगा कएनाइ उचित बात अछि, विश्रामक दिनमे सेहो!”13तब ओ ओहि मनुष्यके कहलखिन, “अपन हाथ पसारू!” तब ओ मनुष्य अपन सुखलाहा हाथ पसारलक, आ ओ दोसरे हाथ जकां स्वस्थ भ' गेल!14तब फरिसीसब सभाघरस' चलि गेल। ओसब मिलक' यीशुके कोन तरहें मरल जाएके चाही से यीशुके विरुद्ध षड्यन्त्र करए लागल।15किएकत यीशु जनैत छलथि जे फरिसीसब हुनका मारएलेल षड्यन्त्र क' रहल अछि, ओ अपन चेलासबके ल' क' ओतएस' दूर चलि गेलथि। बड़का भीड़, बहुत बेमार लोकसब सेहो, हुनका पाछु चलि आएल, आ ओ ओकरासबके चंगा कएलखिन।16मुदा ओ चंगा भेलसबके कड़ा रुपस आज्ञा देलनि जे हुनका विषयमे ओसब केकरो नहि कहए।17एनाक' यशायाह प्रवक्ताद्वारा लिखल गेल बात पूरा भेल। ओ लिखलनि,18“एत हमर सेवक अछि जेकरा हम चुनने छी, जेकरा हम बेसी प्रेम करैत छी आ जे हमरा प्राण प्रसन्न अछि। हम हुनकापर अपन आत्मा राखि देब, आ ओ गैर-यहूदीसबके लेल हमर न्याय आ उद्धार लाओत।19ओ लोकसबसंगे झगड़तैक नहि, ने ओ चिचिआएत। ओ गलीसब मे नहि चिचिआएत।20ओ नरकट जकां कमजोर लोकसबसंगे नम्र होएतै; झपलाइत डिबियाके बथियरके नहि मुझौतनि माने केओ कठिनस' जीवित अछि, ओ ओकरा नहि मारतैक। आ ओ लोकसबके धर्मके साथ न्याय करत आ घोषणा करत जे ओ दोषी नहि अछि।21एहिलेल गैर-यहूदीसब हुनकर नामपर निश्चितरुप आशा करत।” 22एकदिन किछु लोकसब यीशु लग एकटा एहन मनुष्यके ल क आएल जे आन्हर रहए आ बाजहू नहि सकैत छल किएकत ओकरामे दुष्टात्मा लागल छल। यीशु दुष्टात्माके भगा देलथिन आ ओकरा चंगा क' देलथिन। तेकरबाद ओ मनुष्य देखएमे आ बाजएमे सक्षम भ' गेल।23भीड़क सबगोटे जे ई देखलक से चकित भ' गेल। ओसब एक-दोसरस पुछ लागल, “की ई मनुष्य राजा दाऊदक वंशज, जे आबएके हमसब प्रतीक्षा करैत छी, से मसीहा भ' सकैत अछि?”24किएकत फरिसीसब एहि चमत्कारके विषयमे सुनलक, ओसब कहलकनि, “ई मनुष्य परमेश्वरस नहि, मुदा बालजबूल, दुष्टात्मासबके शासकस', लोकसबमेस दुष्टात्मा निकलैत अछि!”25मुदा यीशु जानि गेलथि जे फरिसीसब की बजैत छल। तएं ओ ओकरासबके कहलखिन, “यदि कोनो राज्यके लोक अपनेमे लड़त, त ओसब राज्यके नाश क' देत। यदि ओहि नगर आ घरमे रहनिहार लोकसब एक-दोसरस' झगड़त, त ओसब निश्चितरुपस एक भ क' नहि रहि सकैत अछि।26ओहने, यदि शैतान अपने दुष्टात्माके भगएतैक, त ओ अपने विरुद्ध झगड़त। ओ अपन सेवकसबपर शासन नहि करए सकत!27आओर, यदि ई सत्य अछि जे शैतान दुष्टात्मा भगाबएमे हमरा मदति करैत अछि, त इहो सत्य अछि जे अहूंके चेलासब शैताने के शक्तिस दुष्टात्मा भगबैत होइत? नहि! एहिलेल ओकरासबहक काजके पाछु शैतानक शक्ति छल से अहाँक कहब अनुसार ओसब अहाँके न्यायाधीश रहत।28मुदा ई त परमेश्वरके आत्मा छथि जे हमरा दुष्टात्मा भगाबएमे योग्य बनबैत छथि, जे प्रमाणित करैत अछि स्वर्गस परमेश्वरके शासन एत अछि।29हम अहाँसबके देखाएब जे हम किएक दुष्टात्मा भगाबएमे योग्य छी। शैतान जकां बौकार मनुष्यके घरमे पैसि क आ ओकर सबटा वस्तु नहि लजाए सकैत अछि जं पहिने ओहि बौकार मनुष्यके बान्हि नहि देतैक। मुदा पहिने ओकरा बान्हि देतैक, तब ओ ओकर घरस सबटा सम्पत्ति ल' जाए सकैत अछि।30केओ यथेष्ट नहि भ सकैत अछि। जे केओ ई स्वीकार नहि करैत अछि जे दुष्टात्मा भगाबएमे पवित्र आत्मा हमरा योग्य बनबैत छथि से हमरा विरोध करैत अछि, आ जे केओ हमर चेला बनएलेल लोकसबके एकट्ठा नहि करैत होइक से लोकसब ओकरासबके हमरास दूर करबैत अछि।31अहाँसब कहैत छी जे ई पवित्र आत्मा नहि छथि जे हमरा दुष्टात्मासब भगाबएमे योग्य बनबैत अछि त। तएं हम अहाँसबके ई कहैत छी: यदि जे केओ केकरो कोनो प्रकारस मन दुखबैत होइक आ अपमान करैत होइक आ तेकरबाद क्षमा मगैक आ परमेश्वरके ओकरा क्षमाक दैक से प्रार्थना करए, परमेश्वर ओकरा क्षमाक' देथिन। मुदा ओ ओहन लोकसबके क्षमा नहि करथिन जे पवित्र आत्माके विरुद्ध पाप करैत होइक।32लोकसब हमरा, मनुष्यक पुत्रके उलहन दिए तेकरा परमेश्वर क्षमा करए इच्छुक छथि। मुदा हम तोरासबके चेतावनी दैत छी जे ओ ओकरासबके क्षमा नहि करथिन जे पवित्र आत्मा करैत छथि ताहि विषयमे दुष्ट बातसब बजैत होइक। परमेश्वर ओकरासब एखनो, आ आबएबला संसारमे सेहो नहि क्षमा करथिन।”33“जं तोंसब गाछमेस कोनो फल के देखबे, त तोंसब विचार क सकैत छह जे ई फल नीक वा अधलाह अछि। यदि ओ नीक अछि, त तों बुझबे जे ई गाछ नीक अछि। यदि हम नीक काजसब करैत छी, त तोंसब जानि सकैत छह जे हम नीक छी वा अधलाह।34तोंसब बिषधर सांपके बच्चा जेना छे! तोंसब किछु नीक कहि नहि सकैत छह, किएकत तोंसब दुष्ट छह। केओ की कहि रहल अछि से ई देखबैत अछि जे ओकर मनके भितर की अछि।35नीक लोकनिके बात बजैत छै। ई एहिलेल जे ओ अपन भितर सब प्रकारके नीक बातसब भण्डार कएने छै आ कोनो समयमे ओ बाहर निकालैत अछि। मुदा अधलाह लोक अधलाह बात बजैत अछि। ई एहिलेल जे ओ मात्र दुष्ट बातसब भण्डार कएने छै आ कोनो समय अधलाह बात अपन भण्डारमेस निकालैत अछि।36हम तोरासबके अहितकारी छी जे जहिया परमेश्वर न्याय करथिन, ओ लोकसबके सबटा व्यर्थ शब्दसबके स्मरण करए कहतैक, जे ओ बजने रहैक, आ ओ लोकसबद्वारा बाजल शब्दके आधारमे ओकरासबके न्याय करथिन।37तोहर बाजल शब्दके आधारमे परमेश्वर तोरासबके धर्मी ठहराब सकैत छथि वा तोहर बाजल आधारमे दोषी ठहराब सकैत छथि।”38तेकरबाद किछु फरिसी आ यहूदी व्यवस्थाके शिक्षकसब यीशुके प्रतिउत्तर देलक, “गुरुजी, हमसब चाहैत छी जे अहाँ कोन चमत्कार करी जे हमरासबके विश्वास दिअबैक जे परमेश्वर अहाँके पठौने छथि।”39तब यीशु ओकरासबके कहलखिन, “तोंसब हमरा चमत्कार करैत देखनहि छे, मुदा तोंसब व्यभिचारी आ दुष्ट छह, आ तोंसब विश्वसनीयतामे परमेश्वरके आराधना नहि करैत छह! आ तोंसब चाहैत छे जे हम चमत्कार करु जे तोंसब विश्वासक' सकी जे परमेश्वर हमरा पठौने छथि, मुदा परमेश्वर तोरासबके एकमात्र चमत्कार देखएथिन। ई प्रवक्ता योना संग भेल जकां होएत।40योना बड़का माछक पेटमे तीन दिन आ तीन राति धरि रहैक जाधरि परमेश्वर ओकरा बाहर नहि निकाललनि। ओहिना, तीन दिन आ तीन राति धरि हम, मनुष्यक पुत्र पृथ्वीके गर्भमे रहतैक, आ तेकरबाद परमेश्वर हुनका फेरुस जीवित क' देथिन।41जहिया परमेश्वर सबगोटेके न्याय करथिन, जे लोकसब जे निनवे नगरके रहनिहार हुनका आगु तोरा सबहक कातमे ठाढ़ होएत। मुदा ओसब पाप कएनाइ छोड़ि देलक जं योना प्रवक्ता ओकरासबके प्रचार क' क' चेतावनी देलक। आब हम तोरासब लग आएल छी, आ हम योनास कतेको बेसी महत्वपूर्ण छी, मुदा तोंसब पश्चाताप क' क' पाप कएनाइ बंद नहि कएने छी। तएं परमेश्वर तोरासबके न्याय करथिन। 42इजराएलके दक्षिणमे, शीबा के रानी, जे बहुत पहिने रहैत छलीह, जे पृथ्वीके दोसर कातस' राजा सुलेमानक बहुत बुद्धिपूर्ण बात सुनएलेल आएल छलीह। आब हम तोरासब लग आएल छी, आ हम सुलेमानस बहुत बेसी महत्वपूर्ण छी, मुदा तोंसब पाप कएनाइ नहि छोड़ने छह। तएं जहिया परमेश्वर सबगोटेके न्याय करथिन, त शीबा के रानी तोरासबके कातमे ठाढ़ होएतीह, आ ओ तोरासबके दण्डित करतीह।” 43“कहियोकाल कोनो दुष्टात्मा केकरोमे निकलैत अछि, ओ चौरी चांचर मे घुमैत अछि, केकरामे पैसू से तकैत रहैत अछि। केओ नहि भेटल त,44ओ स्वयंके कहलकनि, ‘हम ओतहि चलि जाइछी जेकरामे हम रहैत रही।’ तएं ओ घुरिक जाइत अछि आ देखैत अछि जे ओकर जीवनके परमेश्वरके आत्मा नियन्त्रणमे नहि लेने छथि। ओहि व्यक्तिके जीवन जे ओहि घर जकां पबैत अछि जे एकदम बहारि सोहारिक साफ कएल गेल होइक आ सब किछु सही स्थानपर राखल गेल होइक, मुदा ई सुनसान अछि।45तेकरबाद ओ दुष्टात्मा जाइत अछि आ सातटा आओर दुष्टात्माके बजबैत अछि जे ओकरो स बेसी दुष्ट होइक, आ ओ सबगोटे ओहि व्यक्तिमे पैसि गेल आ ओकरामे रहए लागल। ओहि व्यक्तिके अवस्था पहिने बेसी खराब रहितो, ओहूस बेसी खराब अवस्था भ' गेल। इहे बात तों दुष्ट लोक हमरा सिखबैत सुनले तोंसब अनुभव करबह।”46जखन यीशु भीड़क संग बात करैत छलथि, हुनक माय आ हुनक भाइसब चलि आएल। ओसब घरके बाहरे ठाढ़ छल, आ ओसब हुनकासंगे बात करए चाहैत छल।47केओ हुनका कहि देलक, “अहाँक माय आ भाइसब घरक बाहर ठाढ़ छै, आ ओसब अहाँसंगे बात करए चाहैत छै।”48तब यीशु ओहि व्यक्ति कहलखिन जे हुनका ई बात कहने रहथि, “हम अहाँके कहैत छी हमर सांच्चेके माय आ भाइसबके अछि।”49तेकरबाद ओ अपन चेलासब दिस देखाक आ कहलखिन, “हमर माय आ भाइसबके स्थान लेबएबला सब इहे अछि।50हमर माय आ भाइ बहिनसबके स्थानमे हमर पिता जे स्वर्गमे छथि जे चाहने बात जे करत से रहत।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67