Matthew11

1यीशु अपन बारहो चेलासबके एहि तरहें निर्देशन दैत ओतएस' चलि गेलाह आ ओहि गलील प्रदेशके आओर नगरसबके क्षेत्रमे शिक्षा आ प्रचार करए लगलाह।2ओहि समय, यूहन्ना बपतिस्मा देनिहार जहलमे छल, मसीहा की करैत छलथि से ओ सुनलनि। तएं ओ अपन किछु चेलासबके हुनकालग पठौलनि3ओ चेलासब ई पुछबाकलेल, “प्रवक्तासब जे कहने छनि जे ओ औताह से मसीहा अहीं छी, वा केओ आओर आओत से हमसब प्रतीक्षा करु?”4यीशु यूहन्नाक चेलासबके उत्तर देलथिन, “घुरिक' जाउ आ हम लोकके कहैत छी आ लोकसबसंगे करैत जे अहाँ देखैत छी आ सुनैत छी से अहाँ हुनका कहियौ।5हम आन्हर लोकके देखएबला बना देत छी आ नेंगरासबके चलाबएबला बना दैत छी। जेकरा कोढ़ि फुटल अछि तेकरा चंगा क' दैत छी। बहिरसबके सुनएबला बना दैत छी आ मरलसब फेरुस' जीवित भ' जाइत अछि। हम गरीब लोकसबके सुसमाचार सुनबैत छी।6यूहन्नाके ईहो कहबनि जे परमेश्वर ओहि लोकसंगे प्रसन्न छथि जे हमरापर विश्वास करए नहि रुकैक होइक किएकत' हम जे काज करैत छी से ओसब मसीहा एहन करए से अपेक्षा नहि करैत अछि!”7जं यूहन्नाके चेलासब चलि गेल, यीशु भीड़के यूहन्नाके विषयमे कहए लगलथिन। ओ ओकरासबके कहलखिन, “जखन अहाँसब निर्जन क्षेत्रमे यूहन्नाके देखए गेल रहिऐ, अहाँसबके देखबाक अपेक्षा कएने रहिएक? अहाँसब ओत खाली नमहर-नमहर नरकटके हवा कोनो हिलबैत अछि से देखए गेल रहए, की कोनो?8त' अहाँ केहन लोक देखबाक आशा कएने रहिऐक? ओहन व्यक्तिके जे महग वस्त्र पहिरने होइक तेहन त' नहि! अहाँसब नीक जकां जनैत छी ओहन वस्त्र पहिरनिहार राजासब महलमे रहैत अछि, निर्जन क्षेत्रमे नहि।9तएं वास्तवमे, केहन लोकके देखब से अपेक्षा अहाँसब कएने रहिऐक? एकटा प्रवक्ताके? हे, हं! मुदा हमरा ई कहए दिअ: यूहन्ना कोनो साधारण प्रवक्ता नहि छथि।10ओ ओएह छथि जेकरा विषयमे परमेश्वर कहने रहथि जे केओ शास्त्रमे लिखने रहैक आ कहलकनि, ‘ध्यान दिऔ! हम अहाँके आगु-आगु अपन दूतके पठा रहल छी जे अहाँके आबएलेल मार्ग तैयार करत।’ 11हम अहाँके सत्य कहैत छी: एखन धरि जीवित लोकसबमे, परमेश्वर यूहन्ना बपतिस्मा देनिहारस' बढ़िक' केकरो नहि गनने छथि। तइयो, परमेश्वर ओकरासबके यूहन्नास' नमहर गनैत छथि जे राज्यमे परमेश्वर स्वर्गस शासन करथिन।12बपतिस्मा देनिहार यूहन्ना प्रचार कएलनि तहियास ल' क', किछु लोकसब परमेश्वर स्वर्गस शासनके अपने प्रकारके बनबैत अछि, आ ओसब एहि उदेश्यके लेल बल प्रयोग करैत अछि।13हम यूहन्नाके विषयमे जे किछु कहैत छी से प्रवक्तासब लिखने छथि आ जे व्यवस्था बपतिस्मा देनिहारके समयधरि कहि रहल अछि।14इएह मात्र नहि, हम अहाँके कहैत छी जे ई यूहन्ना वास्तवमे दोसर एलियाह अछि, जे प्रवक्ता भविष्यमे आबएबला छलथि।15यदि अहाँ ई बुझए चाहैत छी त, अहाँके हम की कहने छी ताहिके अहाँसब ध्यानस सोंचबैक।16मुदा अहाँ आ आओर लोक जे जीवित अछि, अहाँसब बौआ जकां छी जे बजारमे खेल खेलैत अछि। किछु लोक अपन मित्रसबके बजौलक,17‘हमसब बौसलीमे विवाह क धुन बजौली, मुदा अहाँ नांच करए अस्वीकार कएलहुं! तेकरबाद हमसब दफनके शोक धुन बजौलहुं, मुदा अहाँसब रोदन नहि पसारलहुं!’18हम ई एहिलेल कहैत छी जे अहाँसब यूहन्ना आ हमरा दुनू गोटेस असन्तुष्ट छी! जखन यूहन्ना आएल आ अहाँसबके प्रचार कएलक, ओ नीक-नीक भोजन नहि खएलनि आ नहि मद्य पीबलक, जेना लोकसब करैत अछि। मुदा अहाँसब हुनका अस्वीकार कएलिऐ आ कहलिऐ, ‘ओकरा दुष्टात्मा लागल अछि!’19हम, मनुष्यक पुत्र, यूहन्ना जकां नहि छलहुं। हम ओहे भोजन आ मद्य खाइत छी आ पिबैत छी जेना आओर लोकसब खाइत आ पिबैत अछि। मुदा हमरो अहाँसब अस्वीकार कएलहुं आ कहलहुं, ‘देखू! ई मनुष्य कतेक खाइत आ कतेक मद्य पिबैत अछि, आ ई कर उठाबएबलासबके आ आओर पापी मित्र बनल अछि!’ मुदा केओ परमेश्वरके बुद्धिस' एहि बातके प्रमाणित क' क' देखबैत अछि।”20जाहि नगरमे यीशु बहुत रास चमत्कारसब कएने छलथि, ओतएके लोकसब अपन पापस पश्चाताप क' क' परमेश्वर दिस घुरबाक लेल अस्वीकार कएलक। तएं ओ ओकरासबके ई कहिक' डांटए लगलथिन,21“जे लोकसब खुराजीन नगरमे रहैत छी आ जे केओ बेतसैदा नगरमे रहैत छी, कतेक भयावह दुख सहबैक! हम अहाँसबके शहरमे बड़का-बड़का चमत्कार कएलहुं, मुदा अहाँसब पाप करब नहि छोड़ने छी। यदि ई सब बहुत पुरना सीदोन आ सूरके शहरमे कएल गेल रहितैक, निश्चय ओ दुष्टलोकसब पाप करब छोड़ने रहितैक; ओसब चट्टीके वस्त्र पहिरने रहितैक आ छाउरपर बैसल रहितैक, ओसब कएने अधलाह काजसबके लेल पश्चाताप क' क' क्षमा मंगने रहितैक।22हमरा एना कहए दिअ: सीदोन आ सूर शहरमे रहनिहार दुष्ट लोकसबपर परमेश्वरके न्याय अओतथि, मुदा ओ अहाँसबके आओर बेसी कठोरतास' अन्तिम दिनमे दण्ड देथिन जहिया ओसब केओके न्याय करथिन।23कफरनहूममे रहनिहार लोकसबके लेल सेहो किछु कहबाक अछि। की अहाँके बुझाति अछि जे लोक अहाँके प्रशंसा करत जे अहाँ स्वर्ग धरि जाएब? ई नहि भ' सकैत अछि! बल्कि, अहाँसब नरकमे जाएब जत लोकसब मरलाक बाद परमेश्वर ओहि स्थानमे दण्ड दैत छथि! यदि हम बहुत पहिने एहन चमत्कार सदोममे कएने रहितहुं, ओ लोकसब निश्चय पाप करब छोड़ने रहितैक, आ ओकरसबहक शहर एखनो रहितैक। मुदा अहाँसब पाप करब नहि रोकने छी। 24हम अहाँके कहैत छी: सदोमके क्षेत्रमे रहनिहारसबके दण्ड देथिन, मुदा ओ अहाँसबके अन्तिम दिनमे आओर कठोरतास' दण्ड देथिन जहिया ओ सबलोकके न्याय करथिन।”25ओहि समय यीशु प्रार्थना कएलखिन, “हे पिता, अहाँ स्वर्ग आ पृथ्वीके प्रभु सबकिछुपर शासन करु। हम अहाँके धन्यवाद दैत छी जे अहाँ एहन लोकस बचाक' रखने छी जे ई वस्तुसब बुझएमे बुद्धियार आ नीक पढ़ल-लिखल बुझति अछि। बल्कि, अहाँ ओहन लोकसबसंग प्रगट कएने छी जे अहाँक सत्यके छोट बच्चा जकां स्वीकार करैत अछि जे नमहर लोक ओकरासबके कहैत अछि।26हं, पिता, अहाँ एना कएने छी जे की अहाँके नीक लागल से कएलहुं।”27तेकरबाद यीशु लोकसबके कहलखिन, “परमेश्वर, हमर पिता, हमरा सबकिछु प्रगट कएने छथि जे हमरा काज करबाक लेल जानब आवश्यक छल। हमर पिता मात्र जनैत छथि जे पुत्र वास्तवमे के छथि। आओर, पुत्र मात्रे आ जेकरा पुत्र प्रगट करए चाहैत छथि से लोकसब वास्तवमे हुनका जानि सकैत छी।28हमरालग आउ, सबलोक जे अहाँके अगुवासब कहने अनुसार व्यवस्था पालन करबाक कोशिसमे थाकल छी। हम अहाँके ओहिसबस' विश्राम देब।29हमर अधीन रहू, जेना बैल जुआमे जुऐत होइक, आ हमरास' सिखू जे अहाँके हम सिखबैत छी। हम नम्र आ कोमल मनके छी, आ अहाँ वास्तवमे विश्राम पाएब।30किएकत' जे मार्ग हम अहाँसबके देखाएब ओहिमे चलब जे बहुत हलुक अछि। हम अहाँपर भरिगर जुआके बोझ नहि देब।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67