Jonah4

1आब, नीनवेके लोकसबके नाश करएस परमेश्वर अपन मन बदलि लेने विषयस' योना बड़ क्रोधित भ' गेलथि।2ओ परमेश्वरस' प्रार्थना कएलनि, “हे परमेश्वर! ई ओहिना अछि जे हम कहलहुं, घरस' बाहर निकलबास' पहिने जेना हम कहलहुं, तेहने होअए। हम जनैत छी जे अपने ओ परमेश्वर छी जे सबके संगे बहुत दया आ कारुणिक व्यवहार करैत छी। अधलाह कएनिहारोपर अपने तुरन्ते तमसाइत नहि छी। अपने लोकसबस' बहुत प्रेम करैत छी आ लोकके सजाय देबएस' बेसी, दया करब पसीन करैत छी। हमरा तर्शीश दिस भागि जएबाक इहे कारण छल जे एहने बात नहि होअए, कारण हमहूं चाहैत रही जे अपने नीनवेके सजाय दी।3त' आब प्रभु, हमरा मारि देल जाओ। किएक त' जं' अहाँ नीनवेके नाश नहि करब, त' हम जीबएस' बढ़िञा मरि जाएब पसीन करब।”4एहिपर प्रभु उत्तर देलथिन, “की तोरालेल ई तमसेनाइ ठीक छौ जे हम नीनवेके नाश नहि कएलिऐ?”5तेकरबाद, योना कोनो उत्तर नहि देलनि, बरु नगरस' बाहर निकलि गेलथि आ नगरक पूर्व दिस किछुए दूर जाक' बैसि गेलथि। ओतए छाहरि लेल एकटा झलफांसी गोहिया बनौलनि। ओ छाहरिमे रहलथि आ प्रतीक्षा करैत रहलथि जे शहरके की होएत।6तखन यहोवा परमेश्वर हबड़-हबड़ एकटा लती उगौलनि जाहिस' योनाके रौदस' छाहैर होइक। यहोवा ई काम योनाके अपन' अधलाह व्यवहारके बदलामे मदति करएलेल कएलनि। योनाके एहि गाछके कारणे बहुत खुशी भेलनि जे ओकरा रौदस' छाहरि देलकनि।7तखन दोसर दिन भिनसरे परमेश्वर पिलुवासबके पठौलनि जे ओहि लतीके काटि देलक आ जाहिस ओ लती मौलाक' सुखा गेल।8तखन रौद उगलाक कनिके कालक बाद परमेश्वर उत्तर दिसस' गरम हवाके पठौलनि। रौद बहुत गरम भ' गेल आ योनाके देहके झरकाब' लागल, आ योना मुर्छित भ' गेलथि। ओ मरए चाहैत छलथि, आ ओ परमेश्वरके कहलथि, “हमरा जीवित रहएस' बेसी मरब नीक लागत!”9तखन परमेश्वर योनाके पुछलथिन, “की, लतीके जे भेल अछि ताहिपर क्रोधित रहब उचित अछि?” योना उत्तर देलथिन, “हं, हमरालेल रुसब ठीक अछि! हम एतेक तमसा गेल छी जे मरए चाहैत छी!”10तखन यहोवा हुनका कहलथिन, “जखन ओ लतीके सुखा गेल तखन अहाँके बहुत दुख भेल। ओना अहाँ ओकर देखभाल करबाक लेल कोनो काज नहि कएलहुं, आ ने ओकरा बढ़ए देबाक लेल किछु कएलहुं। एके रातिमे बढ़ि गेल, आ दोसर राति एकदम मुरझा गेल।11तहिना, हमरालेल ई उचित अछि जे हम नीनवेक महान नगरके विनाशक' एकर शोक मनाबी? ओतए एक लाख बीसहजारस' बेसी लोकसब रहैत अछि जे सही आ गलत नहि जनैत अछि। ओतए पशु सेहो बहुत अछि। हमहीं सबटा बनौने छी, तएं हमरालेल एहिसबके चिन्ता करब उचित नहि अछि?”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67