Mark9
1यीशु भीड़ आ अपन चेलासबस' इहो कहलथि, “हम अहाँसबके सांच्चे कहैत छी! आब अहाँसबमेस' किछुगोटे जे एत' उपस्थित छी एहिस' पहिने जे परमेश्वरके सामर्थीरुपस' शासन करैत नहि देख लेत ताधरि नहि मरत!”2छओ दिन बाद यीशु अपन साथमे पत्रुस, याकूब, आ याकूबके भाइ यूहन्नाके ल' क' एकटा उंचगर पहाड़पर गेलथि। जखन ओसब एकान्तमे छलनि त' ओ ओकरासबके अलग रुपमे देखाइ देलथिन।3हुनकर वस्त्र उज्जर भ' क' चमक' लागल। ओ पृथ्वीके सब वस्तुस' बेसी उज्जर छल जे वस्त्रके धोएनिहारो ओतेक उज्जर नहि क' सकैत अछि।4मूसा आ एलियाह, ई दुनू प्रवक्तासब जे बहुत पहिने छलाह, ओकरासबलग प्रगट भेलनि। तब ओ दुनूगोटे यीशुसंगे बात कर' लगलनि। 5कनिए कालके बाद पत्रुस यीशुके कहलकनि, “यौ गुरुजी, एत' होएब बड़ आश्चर्यक बात अछि! तएं हमरासबके तीनटा तम्बू बनएबाक अनुमति दिअ। एकटा अहाँक लेल, एकटा मूसाके लेल, आ एकटा एलियाहके लेल होइक!”6ओ एना एहिलेल कहलकनि किएकत' ओ किछु कहए' चाहैत छलनि, मुदा ओ नहि जनैत छल जे कहू की, किएकत' ओ आ दूटा आओर चेलासब कनि बेसीए डेरा गेल रहए।7तखन एकटा बादल प्रगट भेल आ हुनकासबके झांपि देलक। परमेश्वर ओहि मेघमेस' बजलथि, “ई हमर प्रिय पुत्र छथि। ई ओहे छथि जेकरास' हम प्रेम करैत छी। तएं जे किछु ओ कहैत छथि अहाँसब ताहि बातपर ध्यान दिऔ!” 8जं ओ तीनू चेलासब चारुदिस देखलक, त' एकाएक ओसब अपनालग यीशुके मात्र देखलक, आ एलियाह आ मूसा आब ओतए नहि रहैक।9जखन ओसब पहाड़स' नीचा उतरैत छलनि, त' यीशु ओकरासबके कहलथि एखन जे भेल छल से ओसब केकरो नहि कहए। ओ कहलखिन, “जहिया हम, अर्थात् मनुष्यक पुत्र, मरलाके बाद फेरुस' जीवित भ' जाएब, तेकरबाद अहाँसब ई बात लोकसबके कहि सकैत छी।”10तएं ओसब बहुते दिन धरि ई बात केकरो नहि बतौलनि। मुदा ओसब एक-दोसरमे चर्चा कएलक जे एकर अर्थ की भ' सकैत अछि जखन ओ कहलनि जे हम मरलसबमेस स' जीवित भ' उठब।11ओ तीनू चेला यीशुस' पुछलक, “जे लोकसब शास्त्री अछि से कहैत छथि जे मसीह पृथ्वीपर आब' स' पहिने एलियाहके घुरि आएब आवश्यक अछि, मुदा हमसब अखिने एलियाहके देखलहुं, की ओसब गलत सिखाबि रहल अछि?” 12यीशु ओकरासबके उत्तर देलथिन, “ई बात सांच्चे अछि जे परमेश्वर एलियाहके पहिने एत' आबिक' सबकिछु जेहन होए चाही तेहन होअएलेल हुनका पठाबएके प्रतिज्ञा कएने छलथि। मुदा एलियाह आबि गेल अछि, आ हमरासबहक अगुवा हुनकासंगे बहुत खराब व्यवहार कएलक, ओसब ओहिना कएलक जेना ओसब करत से बहुत पहिने प्रवक्तासब कहने रहथि जे ओसब करत। मुदा धर्मशास्त्रमे हमरा, अर्थात् मनुष्यक पुत्रके विषयमे बहुत बात लिखल अछि। धर्मशास्त्रमे लिखल अछि जे हम बहुत दुख उठाएब आ ओ लोकसब हमरा अस्वीकारक' देत।”14तेकरबाद यीशु आ हुनक तीनू चेला ओतए आबि गेलनि जत' आओर चेलासब उपस्थित छलनि। ओसब आओर चेलासब लग एकटा नमहर भीड़के देखलक आ यहूदी व्यवस्था शिक्षकसब ओकरासबसंगे तर्क-वितर्क करैत रहैक।15भीड़ यीशुके अबैत देखक' बड़ चकित भ' गेल। तएं ओसब दौड़क' हुनकालग आएल आ हुनका अभिवादन कएलक।16यीशु ओकरासबके पुछलथि, “अहाँसब कोन विषयपर तर्क-वितर्क करैत छी?”17भीड़मेस' एकगोटे व्यक्ति हुनका कहलनि, “गुरुजी, हम अपन बेटाके अहाँ लग ल' क' आएल छलहुं जे अहाँ ओकरा चंगा क' दितहुं। ओकरा एकटा दुष्टात्मा लागल अछि जे ओकरा बाजए नहि दैत अछि।18जखन ओ दुष्टात्मा ओकरापर हावी होइत अछि त' ओ ओकरा पछारि दैत अछि। ओकर मुंहमेस' फेन निकालैत अछि, आ दांत पिसैत अछि, आ ऐंंठ दैत अछि। हम अहाँक चेलासबस' ओहि दुष्टात्माके निकालि देब' लेल विनती कएलिऐ, मुदा ओसब एना करएमे असमर्थ भेल।”19यीशु ओकरासबके उत्तर देलथिन, “ऐ अविश्वासीसब! हम अहाँसबके अविश्वासस' बहुत थाकि गेल छी! ओहि लड़काके हमरालग लाउ।”20एहिलेल ओसब ओहि लड़काके यीशु लग अनलकनि। जहिना ओ दुष्टात्मा यीशुके देखलक, ओ ओहि लड़काके जोड़स' पटकि देलक, आ ओ लड़का भुइयांमे खसि पड़ल। ओ चारुदिस ओंघराए लागल आ मुंहमेस' फेन निकलए लागल।21यीशु ओहि लड़काके बाबूस' पुछलनि, “एना कहियास' अछि?” ओ हुनका जबाब देलकनि, “ई बच्चे रहैक तहिएस' एना होइत अछि।22ई दुष्टात्मा एहिना मात्रे नहि करैत अछि, मुदा एकरा ओ मारि देब' लेल बहुत बेर ओकरा आगि आ पानिमे सेहो फेक दैत अछि। अहाँक' सकैत छी, त' हमरासबपर दया करु आ हमरासबके सहायता करु!”23यीशु ओकरा कहलनि, “अवश्य हम क' सकैत छी! परमेश्वर ओकरासबके लेल किछुओ क' सकैत छथि जे ई विश्वास करैत अछि जे ओ ई करएमे सक्षम छथि!”24ओहि लड़काके बाबू तुरन्ते बाजल, “हम विश्वास करैत छी जे अहाँ हमरा सहायताक' सकैत छी, मुदा हम दृढ़ विश्वास नहि क' सकैत छी। हमरा सहायता करु जे हम आओर बेसी विश्वासक' सकी!”25यीशु देखलनि जे भीड़ बढ़ि रहल अछि। ओ ओहि दुष्टात्माके डांटि देलथिन: “ऐ दुष्टात्मा, तों जे एहि लड़काके सुनएमे आ बाजएमे असमर्थ करैत छे! हम तोरा एकरामेस' निकलि जाएलेल आ फेरुस' एकरामे प्रवेश नहि करबाक आज्ञा दैत छीयौ!”26ओ दुष्टात्मा चिचिआएल आ ओहि लड़काके भुइयांमे खसाक' ओहि लड़काके छोड़ि देलक। ओ लड़का हलचल नहि कएलक। आ ओ एकटा मरल लास जकां भ' गेल। ओत' उपस्थित बहुते गोटे इहे कहलक, “ओ मरि गेलै!”27मुदा, यीशु ओहि लड़काके हाथ पकड़िक' उठएमे सहायता कएलथि। ओ लड़का ठाढ़ भ' गेलै।28बादमे, जखन यीशु आ हुनक चेलासब एकटा घरमे एकान्तमे छलनि, त' ओसब हुनकास' पुछलक, “हमसब ओहि दुष्टात्माके निकालएमे सक्षम किएक नहि भेलहुं?”29यीशु ओकरासबके कहलखिन, “अहाँसब एहन दुष्टात्माके उपास क' क' आ परमेश्वरस' प्रार्थना क' क' निकालि सकैत छी। आओर कोनो तरीकास' ओकरासबके नहि भगाबए' सकैत छी।”30यीशु आ हुनक चेलासब ओहि क्षेत्रस' निकलिक', गलील प्रदेश होइत यात्रा कएलनि। यीशु नहि चाहैत छलथि जे ई बात केकरो जानकारी होअए जे ओ कत' छथि।31यीशु अपन चेलासबके शिक्षा देब' लेल किछु समय चाहैत छलथि। ओ ओकरासबके कहए' लगलथि, “एकदिन हमर शत्रु हमरा, मनुष्यक पुत्र पकड़ि लेत, आ हम आन लोकके हाथमे सोंपल जाएब। ओ लोकसब हमरा मारि देत। मुदा हम मरबाक तेसर दिन, हम फेरुस' जीवित भ' जाएब!”32चेलासब नहि बुझि पौलक जे यीशु ओकरासबके की कहि रहल छलथि, आ ओसब हुनकास' एहि बातके अर्थ की अछि से पुछ' स' डेराइत छलनि।33तेकरबाद यीशु आ हुनक चेलासब कफरनहूम नगरमे अएलाह। जखन ओसब घरमे छलाह, यीशु ओकरासबके पुछलनि, “बाटपर चलैत काल अहाँसब की बात करैत छलहुं?”34मुदा, चेलासब किछु नहि उत्तर देलक। ओसब उत्तर देब' स' लजाइत छल किएकत' यात्रा करैत काल, ओसब आपसमे एहि बातपर बाद विवाद करैत छल जे ओकरासबमेस' महत्वपूर्णके अछि।35यीशु बैसि गेलाह। ओ अपन बारहो चेलासबके अपनालग बजौलनि, आ ओ ओकरासबके कहलथि, “यदि केओ चाहैत छी जे परमेश्वर ओकरासब गोटेमेस' बेसी महत्वपूर्ण व्यक्ति बुझए, त' ओ स्वयंके सबगोटे स' कम महत्वपूर्ण व्यक्ति बुझैक, आ ओ सबगोटेके सेवा करए।”36तखन यीशु एकटा बच्चाके ल' क' ओकरासबके बीचमे ठाढ़ क' देलथिन। ओ ओहि बच्चाके अपन कोरामे ल' लेलथि, आ तखन ओकरासबके कहलथि,37“जे केओ हमर नामस' एहन बालकके एहिलेल स्वागत करैत अछि किएकत' ओ हमरास' प्रेम करैत अछि, त' परमेश्वर मानैत छथि जे ओ हमरा स्वागत करैत अछि। जे केओ हमरा स्वागत करैत अछि, त' ओसब मानू परमेश्वरके स्वागत करैत अछि, जे हमरा हुनकर प्रतिनिधि करबाक लेल पठौने छथि।”38यूहन्ना यीशुके कहलनि, “गुरुजी, हमसब एकगोटेके लोकसबमेस' अहाँके नामस' दुष्टात्मा निकालैत देखलहुं। ओ दाबी कएलक जे एना करबाक अधिकार ओकरा अहाँस' भेटल अछि। एहिलेल हमसब ओकरा एना करएस' रोकि देलहुं, किएकत' ओ हमरासबमेस' नहि रहैक।”39यीशु कहलनि, “ओकरा एना करएस' नहि रोकियौ। किएकत' केओ व्यक्ति हमर नामके अधिकारस' कोनो सामर्थ्यके काज कएलाके तुरन्त बाद हमरा विषयमे अधलाह बात नहि बाजि सकैत अछि।40जे हमरासबके विरोध नहि करैत अछि ओ ओहि लक्ष्यके प्राप्त करैत अछि जे हमसब करैत छी।41परमेश्वर ओहि लोकसबके निश्चय प्रतिफल देथिन जे कोनो तरहें अहाँसबके सहायता करैत अछि, ओसब साधारण रुपस' अहाँके एक गिलास पानि एहिलेल पियाओत जे अहाँ हमर, अर्थात् मसीहके नामके अनुसरण करैत छी!”42यीशु इहो कहलथि, “मुदा, यदि अहाँ हमरापर विश्वास करएबला मनुष्यके पाप करएके कारण बनब त', परमेश्वर अहाँके कठोर दण्ड देत। यदि केओ अहाँके गरदनिमे बहुत भारी पत्थल बान्हिक' समुद्रमे फेक देत, त' ई अहाँके लेल ओहिस' नीक होएत, जहिया परमेश्वर अहाँके हमरापर विश्वास करएबला आदमीके पाप करएबाक कारण दण्ड देताह।43एहिलेल यदि अहाँ पाप कराबएलेल अपन कोनो हाथके उपयोग कर' चाहैत छी त' ओहिके उपयोग नहि करु! यदि पाप कर' स' बचए' लेल अपन हाथ काटिक' फेक' पड़ए त', एना करु! ई नीक होएत जे अहाँ अनन्तकालधरि जीवित रहू भलेहि, पृथ्वीपर रहैत काल अहाँ लग एकटा हाथ नहि रहए। मुदा ई नीक नहि होएत जे अहाँ पाप करी आ ओकर परिणाम स्वरुप परमेश्वर अहाँके सौंसे शरीरके नरकमे फेक दैक। ओत' के आगि कहियो नहि मुझाइत अछि!44ओ एकटा एहन जगह अछि जत' कीड़ा ओकरासबके खाएब बंद नहि करैत अछि, आ ओकरा जराबएबला आगि कहियो नहि मुझाइत अछि।45यदि अहाँ पाप करएके लेल अपन एकटा पयरके उपयोग करए चाहैत छी त' अपन पयरके उपयोग करएस' रुकि जाउ! पाप कर' स' बचएलेल अहाँके अपन पयर काटिक' फेक' पड़ए तथापि, एना करु! ई नीक अछि जे अहाँ पाप नहि करु आ अनन्तकालधरि जीवित रहू, भलेहि पृथ्वीपर रहैत काल अहाँ लग एकटा पयर नहि रहैक। मुदा ई नीक नहि होएत जे अहाँ पाप करी आ ओहिके परिणाम स्वरुप परमेश्वर अहाँके सौंसे शरीरके नरकमे फेक दैक।46जत' कीड़ा ओकरासबके खाएब बंद नहि करैत अछि, आ ओकरा जराबएबला आगि कहियो नहि मुझाइत अछि।47अहाँ जे देखैत छी जाहि कारण यदि अहाँ परीक्षामे पड़ि जाइत छी, त' ओहि चीज दिस देखएस' रुकि जाउ! रुकि जाउ, यदि अहाँके पाप करएस' बचएलेल अपन आंखि निकालिक' फेक' पड़ए तथापि, एना करु! दुनू आंखि होइतो ओ अहाँके नरकमे फेक दैक, ताहिस नीक मात्र एकहिटा आंखि ल' क' ओहि राज्यमे प्रवेश करु जत' परमेश्वर शासन करैत छथि।48ओहि स्थानमे ओत' कीड़ा लोकसबके सदिखन खाइत रहैत अछि आ ओत' के आगि कहियो नहि मुझाइत अछि। 49परमेश्वर अहाँस' प्रसन्न भ' जाए ताहिके लेल अहाँके कठिनाइके सहन करबाक चाही। अहाँक कठिनाइ वस्तुके शुद्ध करएबला आगि जकां अछि। अहाँके सहन ओहने अछि जेना लोक अपन बलिदान पर नून छिटक' ओकरा शुद्ध करैत अछि। 50नून भोजनमे धरएलेल उपयोग होइत अछि, यदि ओ स्वादहीन भ' जाएत' अहाँ ओकरा फेरुस' नूनगर नहि बनाबि सकैत छी। ओहिना, अहाँ परमेश्वरके लेल उपयोगी बनल रहू, किएकत' यदि अहाँ बेकार भ' गेली त' फेरुस' परमेश्वरके लेल उपयोगी कोना बनि सकैत छी। अहाँ एक-दोसरसंग शान्तिमे जीवन व्यतीत करु।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.