Mark10
1यीशु अपन चेलासबहक संग कफरनहूमस' निकलिक' चलि गेलाह, आ ओसब यहूदिया प्रदेश होइत यरदन नदीक पूर्व दिस गेलाह। जखन हुनकालग लोकसबके भीड़ फेरुस' जम्मा भ' गेल, त' ओ नियमित रुपस' जेना करैत छलाह, ओहिना ओ ओकरासबके फेरुस' शिक्षा देब' लगलथि।2जखन यीशु शिक्षा दैत छलथि, तखन किछु फरिसीसब हुनकालग आबिक' पुछ' लागल, “की हमरासबके व्यवस्था अनुसार कोनो पुरुषके अपन पत्नीके छुटा-पत्र देबाक अनुमति दैत अछि?” ओसब ई प्रश्न एहिलेल पुछलक जे ओसब हुनक आलोचना क' सकए, चाहे ओ “हं” कहथि वा “नहि” कहथि।3यीशु ओकरासबस' पुछलथि, “मूसा अहाँसबके पूर्वजके एहन पुरुषके विषयमे की आज्ञा देने अछि जे अपन पत्नीके छुटा-पत्र दैत अछि?”4ओकरासबमेस' एकगोटे प्रतिउत्तर देलनि, “मूसा अनुमति देने अछि जे एहन पुरुष छुटा-पत्रके प्रमाणपत्र लिखक' द' दैक ताकि ओकरा ओ विदा क' सकए।” 5यीशु ओकरासबके कहलथि, “एहन अहाँसबके कठोर मनके कारणे मूसा अहाँसबलेल ओ नियम बनौलनि।6ई मोन राखू जे जहिया परमेश्वर सबस' पहिने मनुष्यके बनौलनि, त' ओ एकटा पुरुष बनौलनि, आ ओहि पुरुषके पत्नी होबएलेल एकटा स्त्री बनौलनि। 7एहिस' जानि सकैत छी जे परमेश्वर किएक कहलनि जे ‘जं केओ पुरुष कोनो स्त्रीस' विवाह करैत अछि, त' विवाहक बाद अपन माय बाबूके साथ नहि अपन पत्नीके संग रहबाक चाही।8मुदा, ओ दुनूगोटे एक रहत, आ ओ एतेक घनिष्ट भ' जाएत जे ओसब एकेटा व्यक्तिसन भ' जाएत।’ एहि कारण, जे केओ विवाह करैत अछि पहिने ओ अलग-अलग व्यक्ति रहैत अछि, मुदा, विवाह क बाद परमेश्वर हुनकासबके एक व्यक्तिके शरीरके रुपमे मानैत छथि, एहिलेल ओ चाहैत छथि जे ओसब एक-दोसरसंग विवाहित बनल रहथि। 9किएकत' ई बात सांच अछि जे पुरुषके अपन पत्नीके छुटा-पत्र नहि देबाक चाही। परमेश्वर हुनकासबके एकसाथ जोड़ने छथि, आ ओ चाहैत छथि जे ओसब एकसाथ बनल रहथि!”10जखन यीशु आ हुनक चेलासब घरमे एकान्तमे छलाह, त' ओसब एहि विषयमे हुनकासंग फेरुस' पुछलक।11यीशु हुनकासबके कहलथि, “परमेश्वर मानैत छथि जे पुरुष अपन पत्नीके छुटा-पत्र द' क' दोसर विवाह करैत अछि से व्यभिचार करैत अछि।12परमेश्वर इहो मानैत छथि जे स्त्री अपन पतिके छुटा-पत्र द' क' दोसर पुरुषस' विवाह करैत अछि ओहो व्यभिचार करैत अछि।”13फेरु एकदिन लोकसब अपन धियापुतासबके यीशु लग ल' क' आब' लागल जे ओ ओकरासबपर ओ अपन हाथ ध' क' आशीष देथि। मुदा, हुनक चेलासब ओकरासबके डांट' लागल।14जखन यीशु एना देखलथि त' ओ पिता गेलाह। ओ अपन चेलासबके कहलथि, “धियापुतासबके हमरालग आब' दिऔ! ओकरासबके मना नहि करियौ! एहने लोक जे नम्र आ परमेश्वरपर भरोसा करैत होएत जेना की ईसब करैत अछि ओहेसब अपन जीवनमे परमेश्वरके शासनके अनुभव क' सकैत अछि।15एहि बातके ध्यानमे राखू: जे लोक अपना उपर परमेश्वरके शासनके स्वागत बच्चा जेहन नहि करैत अछि — ओ निश्चय ओहि राज्यमे प्रवेश नहि करत जत' परमेश्वर शासन करैत अछि।”16ओहिके बाद यीशु बच्चासबके अपन कोरामे उठा लेलथि। ओ ओकरासबपर अपन हाथ ध' क' आ परमेश्वर ओकरासबलेल नीके करथि से विनती कएलथि।17जखन यीशु अपन चेलासबके संग फेरुस' यात्रा करबाक सुरुवात कएलनि, तखन एकटा मनुष्य दौड़ैत-दौड़ैत आएल। ओ यीशुके आगु ठेहुनियां द' क' हुनका पुछलनि, “यौ उत्तम गुरुजी, हम की करु जाहिस' हम अनन्त जीवन परमेश्वरके संग बिताबि सकी?”18यीशु ओकरा कहलथि, “अहाँ नहि जनैत छी जे अहाँ हमरा उत्तम कहिक' की कहि रहल छी! मात्र परमेश्वरे उत्तम छथि!19मुदा अहाँक प्रश्नके उत्तरमे, अहाँ मूसाके आज्ञासब त' जनिते होएब: ‘हत्या नहि करु, व्यभिचार नहि करु, चोरी नहि करु, झूठ गवाही नहि दिऔ, धोखा नहि दिऔ, आ अपन माय-बाबू प्रति आदर भाव राखब।’” 20ओ मनुष्य कहलनि, “यौ गुरुजी, जहियास' हम बुझए लगलहुं तहिएस' एहिसब आज्ञाके पालन करैत आबि रहल छी।”21यीशु हुनका दिस स्नेहस' भरल नजरिस' देखलथि। ओ ओकरा कहलथि, “एकटा बात अछि जे अहाँ एखन धरि नहि कएने छी। घर जाक' अपन सब सम्पत्ति बेच दिऔ, आ तेकरबाद ओहि धनके गरीबसबके द' दिऔ। एहिके परिणाम स्वरुप, अहाँ स्वर्गमे आत्मिकरुपस' समृद्ध होएब। जे हम अहाँके कहने छी, से क' क', हमरा पाछु लागि आउ आ हमर चेला बनि जाउ!”22यीशुके आदेशके बाद ओ मनुष्य निराश भ' गेल। ओ बहुत दुखित भ' क' चलि गेल, किएकत' ओ अपन धन नहि देब चाहैत छलनि।23यीशु चारुदिस लोकसबके देखलनि। फेरु अपन चेलासबके कहलथि, “जेकरा ल' बहुत धन होइत अछि ओकरालेल स्वयंके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करब बेसी कठिन होइत अछि।”24जे यीशु कहलनि ओहिस' चेलासब चकित भ' गेलनि। ओसब सोंचैत छल जे परमेश्वर धनीक लोकसबके पक्ष लैत छथि, एहिलेल परमेश्वर ओकरा उद्धार नहि करत, त' ओ केकरो उद्धार नहि करताह। यीशु फेरुस' कहलथि, “यौ प्रिय विश्वासी लोकनि, अहाँसब जे हमर देख-रेखमे छी, कोनो व्यक्तिलेल ई निर्णय लेब' बेसी कठिन होइत अछि जे अपन जीवनमे परमेश्वरके शासन कर' दैक।25ऊंट जेहन विशाल पशुके सुइयाके नान्हिटा भूंड़ दने निकलब असम्भव अछि। ओहिना धनीक लोकसबके लेल लगभग ओतबे कठिन अछि जे ओसब परमेश्वरके अपन जीवनपर शासन करए दैक।”26चेलासब बड़ विस्मित भ' गेलाह। एहिलेल ओसब यीशुके कहलनि, “यदि एना अछि, त' कोनो व्यक्ति कोना उद्धार पाबि सकैत अछि!”27यीशु ओकरासबके देखलनि, आ तखन ओ कहलनि, “हं, मनुष्यके लेल स्वयं उद्धार करब असम्भव अछि! मुदा परमेश्वर निश्चितरुपस' ओकरासबके उद्धारक' सकैत छथि, किएकत' परमेश्वर किछु क' सकैत छथि!” 28पत्रुस कहलनि, “देखू, हमसब त' सब किछु छोड़िक' अहाँक चेला बनि गेल छी।”29यीशु कहलथि, “हम सांच्चे चाहैत छी जे अहाँ ई जानि लिअ: जे सब अपन घर, अपन भाइसब, बहिनसब, अपन बाबू, अपन माय, अपन बच्चा, आ अपन जमीनके हमर चेला बनएलेल आ सुसमाचार प्रचार करबाक लेल छोड़ने अछि,30ओ एहि युगमे सय गुणा प्राप्त करत जतेक ओ छोड़ने अछि। एहिमे घर आ परिवारके सदस्य: भाइ, बहिनसब, मायसब, बच्चासब, आ जमीन सेहो सामेल अछि। एहिके संगहि, लोक ओकरा एत' पृथ्वीपर सताओत किएकत' ओ हमरापर विश्वास करैत अछि, मुदा भविष्यमे परमेश्वरके संग अनन्त जीवन बिताओत।31कतेक लोक जेकरा बहुत महत्वपूर्ण मानैत अछि ओ परमेश्वरद्वारा महत्वहीन मानल जाएत, आ कतेक लोक जेकरा महत्वहीन मानैत अछि ओ परमेश्वरद्वारा महत्वपूर्ण मानल जाएत!”32जखन ओ यात्रा करैत छलाह त' किछु दिन बाद, यीशु आ हुनक चेलासब यरूशलेम जाएबला रस्ता दने जाइत छलाह। यीशु ओकरासबके आगु-आगु जाइत छलथि। चेलासब अचम्भित छल आ आओर लोक जे हुनकासंग छल से डेराएल छल। रस्तापर यीशु बारहो चेलासबके फेरुस' एकान्तमे ल' गेलथि। फेरु ओ ओकरासबके कहए' लगलथि जे हुनकासंग की होबए जा रहल अछि।33ओ कहलथि, “ध्यान लगाक' सुनू! हमसब यरूशलेम जा रहल छी। ओतए मुख्य पुजारी, यहूदी व्यवस्थाके शिक्षकसब हमरा, अर्थात् मनुष्यक पुत्रके पकड़ि लेत। ओसब हमरा दोषी घोषणा करत जे हमरा मर' पड़त। तेकरबाद ओ हमरा रोमी अधिकारी लग ल' क' जाएत जे आन जाति अछि।34ओ लोकसब हमर अपमान करत आ हमरापर थूकत। ओसब हमरा कोड़ा मारत, आ ओहिके बाद ओ हमरा मारि देत। मुदा एहिके तेसर दिन, हम फेरुस' जीवित भ' उठब!”35रस्तामे, जब्दीके बेटा याकूब आ यूहन्ना, यीशु लग आबिक' हुनका कहलकनि, “यौ गुरुजी, हमसब चाहैत छी जे हमसब अहाँके हमरासब लेल जे करबाक लेल कहि से क' दिअ!”36यीशु ओकरासबके कहलथि, “ओहन कोन बात अछि जे अहाँ चाहैत छी जे हम अहाँसबके लेल करी?”37ओ हुनका कहलनि, “जहिया अहाँ अपन गौरवशाली राज्यमे अपन सिंहासनपर बैसब, त' हमरा दुनू गोटेमेस' एकगोटे अहाँके दहिनाकात आ एकगोटे बामा कात बैसि देब।”38मुदा, यीशु ओकरासबके कहलथि, “अहाँ नहि बुझति छी जे की मांगि रहल छी।” तखन ओ ओकरासबस' पुछलथि, “की अहाँ कष्टके बपतिस्मा ल' सकैत छी जेना हम कष्टके बपतिस्मा लेबएबला छी? की अहाँ सहि सकैत छी जे लोक अहाँके हत्या क' देत जेना ओ हमरा हत्या क' देत?”39ओसब हुनका कहलनि, “हं, हमसब एना करएमे सक्षम छी!” तखन यीशु कहलथि, “ई सत्य अछि जे अहाँ हमरे जेहन कष्टके बपतिस्मा लेब जेना हम कष्टके बपतिस्मा लेब, आ अहाँ सहि लेब जे लोक अहूंके हत्या क' देत जे हमरो हत्या क' देत।40मुदा ओ हम नहि छी जे एहि बातके निश्चित करब जे हमरा लगके बैसल। परमेश्वर ओहि लोकसबके ओ स्थान देताह जेकरा ओ पहिनहिस' चुनि लेताह।”41दस आन चेलासब बादमे सुनलनि जे याकूब आ यूहन्ना जे विनती कएने छलनि। जाहिके परिणाम स्वरुप ओसब ओहि दुनू गोटेपर क्रोधित भ' गेलै।42फेरु जखन यीशु ओकरासबके बजौलथि, त' ओ ओकरासबके कहलथि, “अहाँसब जनैत छी जे लोकसब आन जातिपर शासन करैत अछि ओ अपने स्वयंके शक्तिशाली देखाबएमे आनन्दित होइत अछि। अहाँसब इहो जनैत छी जे ओकरासबके अधिकारीसबके दोसरके आदेश देबएमे आनन्द अबैत अछि।43मुदा अहाँसब ओकरासब जेहन नहि बनू! एहिके उनटा, यदि अहाँमेस' केओ महानताके प्राप्त कर' चाहैत छी, त' ओकरा अपने स्वयंके दोसरके सेवक बुझबाक चाही।44आ, यदि अहाँसबमेस' केओ चाहैत छी जे परमेश्वर ओकरासबस' बेसी महत्वपूर्ण बुझैक, त' ओ अहाँसबमेस' आन लोकके लेल दासके काज करए।45एतधरि जे हम, अर्थात् मनुष्यक पुत्र सेहो, सेवा कराबएलेल नहि, बल्कि सेवा करएलेल आएल छी, आ लोकसबके पापके भुक्तानके रुपमे मरएलेल आएल छी, आ ओकरा ओहि दण्डस' छोड़ाबएके मोलमे अपन प्राण देब' लेल आएल छी जे परमेश्वर पापीसबके लेल ठहरौने छथि।”46यरूशलेम दिस जाएबला मार्गपर यीशु आ हुनक चेलासब यरीहो नगरमे पहुंच गेलाह। फेरु, जखन ओ बड़का भीड़के संग यरीहोस' निकलैत छलथि, एकटा मनुष्य जे देख' नहि सकैत छल आ लोकसबस' भीख मंगैत छल, सड़क कातमे बैसल छल। ओकर नाम बरतिमाई छल, आ ओकर बाबूके नाम तिमाई छल।47जं ओ लोकसबके ई कहैत सुनलनि जे यीशु नासरी जाइत छथि, त ओ जोर-जोरस' पुकारए लागल, “यौ यीशु! दाऊदक पुत्र, हमरा सहायता करु!”48लोकसब ओकरा डांटि देलक आ ओकरा कहलक जे चुपचाप रह। मुदा तथापि, ओ आओर जोर-जोरस' हल्ला कर' लागल, “अहाँ जे दाऊदके वंशज छी, हमरापर दया करु!”49यीशु रुकिक' कहलथि, “ओकरा एत' आबएलेल कहियौ!” ओसब ओहि आन्हर मनुष्यके ई कहिक' बजौलनि, “साहस क' क' आ ठाढ़ भ' जो आ चल! यीशु तोरा बजबैत छौ!”50जं ओ खुशीस' ठाढ़ भेल आ ओ अपन वस्त्र उतारि फेक देलक, आ ओ यीशु लग आबि गेल।51यीशु ओकरा पुछलथि, “अहाँ की चाहैत छी जे हम अहाँके कोना सहायता करु?” ओ आन्हर मनुष्य हुनकास' कहलनि, “यौ गुरुजी, हम फेरुस' देख' चाहैत छी!”52यीशु ओकरा कहलथि, “किएकत' अहाँ हमरापर भरोसा कएलहुं, ताहिके लेल हम अहाँके चंगा क' देने छी! अहाँ जा' सकैत छी!” तुरन्ते ओ देखए लागल। आ ओ यीशुके संग चल' लागल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.