Mark8
1ओहि दिनसबमे, फेरुस' लोकसबके एकटा बड़का भीड़ जम्मा भ' गेल। ओत' दू दिन धरि रहलाके बाद, ओकरासबलग भोजन बांकी नहि रहि गेलै। एहिलेल यीशु अपना चेलासबके बजाक' ओकरासबके कहलनि,2“तीन दिनस' ई लोकसब हमरासंगे अछि, आ ओकरासबलग खाएलेल किछु नहि बांकी अछि, एहिलेल आब हम ओकरासबलेल बहुत दुखित छी।3यदि हम एकरासबके भूखले घर पठा देब, त' ओहिमेस' किछु लोक अपन घर जएबाक रस्तेमे मूर्छित भ' जाइत। एकरा सबमेस' किछु लोकसब बड़ी दूरस' आएल अछि।”4हुनक चेलासब जनैत रहए जे ओ ई सुझाव दैत छलथि जे ओहेसब ओकरासबके खाएलेल किछु देथि, एहिलेल ओकरासबमेस' एकगोटे कहलनि, “एहि भीड़के भरि पेट खिआबएलेल सम्भवत: भोजन नहि लाबि सकैत छी। एहि निर्जन स्थानमे केओ रहबो नहि करैत अछि!”5यीशु ओकरासबके पुछलथि, “अहाँसबलग कतेक रोटी अछि?” ओसब उत्तर देलनि, “हमरासबलग सातटा रोटी अछि।”6यीशु भीड़के आज्ञा देलनि, “जमीनपर बैसि जाउ!” जखन ओसब बैसि गेल, त' ओ सातो रोटी ल' क' परमेश्वरके धन्यवाद देलनि आ ओकरा टुकड़ा-टुकड़ा तोड़िक' देलनि, आ ओहिके चेलासबके द' देलनि जे ओ लोकसबके द' दैक।7ओ इहो देखलनि जे ओकरासबलग छोट-छोट किछु माछ सेहो रहए। त' ओकरोलेल परमेश्वरके धन्यवाद देलाके बाद, ओ अपन चेलासबके कहलथि, “ओकरासबके इहो द' दिऔ।” ओकरासबद्वारा माछ बांटि देलाके बाद,8लोकसब ओ भोजन खएलक, आ ओसब स्वयंके सन्तुष्ट करबाक लेल भरि पेट खएलक। चेलासब द्वारा उबरल रोटीके टुकड़ा टुकड़ी बिछलक त' सातटा बड़का टोकरी भरि गेल।9हुनकर चेलासब अनुमान लगौलनि जे ओहि दिन लगभग चारि हजार लोक भोजन कएने रहैक। तेकरबाद यीशु भीड़के विदा क' देलथिन।10लगले, ओ अपन चेलासबसंगे नावपर चढ़ि गेलाह, आ ओ गलीलक झीलके ओहिपार दलमनूथा जिलामे गेलाह।11तखन किछु फरिसीसब यीशु लग आबि गेलै। ओसब हुनकासंगे बाद विवाद कर' लागल आ दबाव बनाबए' लागल जे ओ कोनो स्वर्गीय चेन्ह देखाबथि, जाहिस' बुझएमे आबि जाए जे हुनका परमेश्वर पठौने छथि।12यीशु कुहरिक सांस ल' क' आ फेरुस' ओकरासबके कहलनि, “अहाँसब हमरा कोनो चमत्कार देखाबए' लेल किएक कहैत छी? हम अहाँसबके लेल सांच्चे कोनो चमत्कार नहि करब!”13तखन ओसब हुनका छोड़िक' चलि गेल। ओ आ हुनक चेलासब नावपर बैसिक' गलीलके झीलके ओहिपार चलि गेलाह।14हुनकर चेलासब पर्याप्त भोजन लाबए बिसरि गेल रहैक। विशेष क' क', ओकरासबलग नावमे एकहिटा रोटी रहए।15जखन ओसब जाइत रहए, त' यीशु ओकरासबके चेतावनी द' क' कहलथि, “सचेत रहू! फरिसी आ हेरोदके खमीरस' सावधान रहू!”16हुनकर चेलासब हुनक बातके गलत बुझि गेलै। एहिलेल ओसब एक आपसमे बतिआए लागल, “ओ एहिलेल एना कहलथि किएकत' हमरासबलग रोटी नहि अछि।”17यीशु जनैत छलाह जे ओसब अपनामे की बात करैत अछि, एहिलेल ओ ओकरासबके कहलथि, “अहाँसब पर्याप्त रोटी नहि होएबाक विषयमे किएक बहस करैत छी? जे बात हम एखन अहाँसबके कहलहुं से अहाँके बुझबाक चाही! अहाँ विचार नहि करैत छी!18अहाँसबलग आंखि त' अछि, मुदा जे अहाँसब देखैत छी से बुझति नहि छी! अहाँसबलग कान अछि मुदा हम जे कहैत छी से सुनितो बुझितो नहि छी” फेरु ओ ओकरासबके पुछलथि, “की अहाँके ओ घटना स्मरण नहि अछि जे घटित भेल छल।19जखन हम पांचटा रोटीके तोड़िक पांच हजार लोकके खिऔने छलहुं? ओसब भोजन क' क' सन्तुष्ट मात्र नहि, भोजन उबरि सेहो गेल रहैक! अहाँसब उबरल भोजनके क टोकरी बटोरने छलहुं?” ओसब कहलनि, “हमसब बारह टोकरी बटोरने रही।”20फेरुस' ओ पुछलथि, “जखन हम चारि हजार लोकके खिअएबाक लेल सातटा रोटी तोड़ने छलहुं, त' फेरुस' लोकसब पेट भरि खएलक, आ तेकरबाद उबरल रोटीके टुकड़ाके क टोकरी बटोरने रही?” ओसब फेरुस' कहलनि, “हमसब सात टोकरी बटोरने रही।”21तखन ओ ओकरासबस' पुछलथि, “हम नहि जनैत छी जे ई कोना भ' सकए जे अहाँसब एखन धरि नहि बुझति छी।”22ओसब बेतसैदा नगरमे पहुंचलनि। लोकसब एकटा आन्हर व्यक्तिके यीशु लग ल' क' आएल आ हुनकास' विनती कर' लागल जे ओ ओकरा ठीक कर' लेल छु देथि।23यीशु ओहि आन्हर व्यक्तिके हाथ पकड़िक' नगरके बाहर ल' गेलाह। ओ ओहि व्यक्तिके आंखिपर थूकलाके बाद, ओकरापर अपन हाथ ध' देलनि। ओ ओकरा पुछलथि, “की अहाँ किछु देखैत छी?”24ओ व्यक्ति उपर देखलक, आ फेरु कहलकनि, “हं, हम लोकसबके देखैत छी! जे एमहर-ओमहर चलि बुलि रहल अछि, मुदा हम ओ साफ-साफ नहि देखैत छी। ओसब गाछ जकां देखाइत अछि!”25तखन यीशु ओहि आन्हर व्यक्तिके आंखि छुलनि। ओ व्यक्ति बड़ ध्यानस' देखलनि, आ ओहि समय ओ पूर्णरुपस' ठीक भ' गेलै! ओ सबकिछु साफ-साफ देख' लागल।26यीशु ओकरा कहलथि, “नगरमे नहि जाएब!” तखन ओ ओहि व्यक्तिके अपने घरे पठा देलथिन।27यीशु आ हुनक चेला बैतसैदास' निकलिक' कैसरिया फिलिप्पी नगरके गामसब लग पहुंच गेलाह। रस्तापर ओ ओकरासबके पुछलथि, “लोकसब की कहैत अछि जे हम के छी?”28ओसब प्रतिउत्तर देलक, “केओ कहैत अछि जे अहाँ बपतिस्मा देबएबला यूहन्ना छी। केओ कहैत अछि जे अहाँ एलियाह प्रवक्ता छी। आ आओर केओ कहैत अछि जे अहाँ पहिनुका प्रवक्तासबमे' केओ छी।”29ओ ओकरासबके पुछलनि, “अहाँसबके की कहब अछि? अहाँ की कहैत छी जे हम के छी?” पत्रुस हुनका कहलनि, “हम विश्वास करैत छी जे अहाँ मसीह छी!” 30तखन यीशु ओकरा कड़ाइस' चेतावनीपूर्ण आदेश देलथिन जे ओ ई बात केकरो नहि कहए जे ओ मसीह छथि।31फेरुस' ओ ओकरासबके शिक्षा देब' लगलाह जे ओ, अर्थात् मनुष्यक पुत्र, निश्चय बहुत दुख उठौताह। ओ बूढ़-पुरानसब, मुख्य पुजारीसब, आ यहूदी व्यवस्थाके शिक्षकसबद्वारा अस्वीकार कएल जाएत। एतधरि जे हुनका मारि देल जाएत, मुदा मरलाके बाद तेसर दिन फेरुस' जीवित भ' जएताह।32ओ ओकरासबके ई बात स्पष्ट कहि देलथिन। मुदा पत्रुस यीशुके दोसर कात ल' जाक' एना बात कर' लेल हुनका डांट' लागल।33यीशु घुरिक' अपन चेलासब दिस देखलनि। फेरु ओ पत्रुसके ई कहिक' डांट लगलथि, “एहि प्रकारक सोंचके अन्त करु! एहि तरहें बात कर' लेल शैतान अहाँके प्रेरित क' रहल अछि! जे परमेश्वर हमरास' कराबए' चाहैत छथि, ओहिके करएके इच्छा होएबाक बदला, अहाँ चाहैत छी जे हम ओ करु जे लोक हमरास' कराबए' चाहैत अछि।”34फेरुस' ओ अपन चेलासबके संग भीड़के जम्मा कएलथि जे हुनका सुनए। ओ ओकरासबके कहलथि, “यदि अहाँसबमेस' केओ हमर चेला बनए' चाहैत छी, त' अहाँ सबकेओ काज नहि करबाक चाही जे अहाँके जीवन व्यतीत करब सहज भ' जाए। अहाँसबके ओहि अपराधीके समान पीड़ा सहबाकलेल तैयार रहबाक चाही जेकरा ओहि स्थानमे क्रूस उठाक' ल' जाएलेल विवश कएल जाइत अछि जत' ओकरासबके क्रूसपर चढ़ाएल जाएत अछि जे केओ हमर चेला बनए चाहैत अछि तेकरासबके एहिना करए पड़त।35अहाँसबके एना एहिलेल करए पड़त किएकत' जे एहि बातके अस्वीकार क' क' जे ओ हमरासंगे जुड़ल अछि अपन जीवनके बचाब' के प्रयास करैत अछि ओ अपन जीवन गमाओत। जेकर हत्या एहिलेल क' देल जाइत अछि जे ओ हमर चेला अछि आ किएकत' ओ दोसरके सुसमाचार सुनबैत अछि ओ सर्वदा हमरासंग जीवित रहत।36लोक एहि संसारमे ओ सबकिछु प्राप्त क' सकैत अछि जे ओ चाहैत अछि, मुदा ओ अनन्त जीवनके प्राप्त नहि कएलक त' वास्तवमे ओ किछु प्राप्त नहि कएलक!37एहि सत्यके बातमे ध्यानपूर्वक विचार करु जे एहन किछु नहि अछि जे लोक परमेश्वरके देथि जाहिस' ओकरा अनन्त जीवन प्राप्त होएत!38आ एहि विषयमे विचार करु: बहुते लोकसब ई कहिक' अस्वीकार करैत अछि जे ओ हमरास' जुड़ल अछि। एहि दिनसबमे बहुत लोकसब परमेश्वरस' दूर भ' गेल अछि आ ओ अविश्वासयोग्य आ पापी जीवन व्यतीत क' रहल अछि, त' ओ हमर बात सबके अस्वीकार करैत अछि, त' हम, अर्थात् मनुष्यक पुत्र, सेहो ई कहिक' अस्वीकारक' देब जे ओ हमरास' जुड़ल अछि जहिया हम पवित्र स्वर्गदूतसब संगे आ ओहि महिमा सहित जे हमर पितालग अछि घुरिक' आएब!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.