Mark7

1एकदिन किछु फरिसीसब आ किछु शास्त्रीसब आ जे यरूशलेमस' आएल लोकसब यीशु लग जम्मा भेल।2फरिसीसब देखलक जे यीशुके चेलासब हाथ धोएबाक विशेष परम्परा पालन कएने बिना अशुद्ध हाथस' भोजन क' लैत अछि।3फरिसीसब आ बांकी सब यहूदी अपन पूर्वजद्वारा सिखाओल परम्पराके कड़ाइस' पालन करैत छल। जेना, जाधरि ओसब अपन हाथ विशेष विधिस' धो नहि लैत छल ताधरि भोजन नहि करैत छल,4विशेष क' क' जखन ओसब बजारस' चौकी, तामाके लोटा, बाटीसब किनक' अबैत अछि त' बिना स्नान कएने नहि किछु खाइत अछि। ओसब सोंचैत रहए जे जं ओसब एना नहि करत त' परमेश्वर क्रोधित भ' जएताह, किएकत' कोन ठेकान जे समान ओसब किनने अछि, ओ एहन विधिस' अशुद्ध भेल होएत जे परमेश्वरके स्वीकार नहि होएत।5ओहि दिन, फरिसीसब आ शास्त्रीसब देखलक जे हुनकर किछु चेलासब विशेष परम्परामे नहि चलैत अछि आ अपन अशुद्ध हाथ धोएने बिना भोजन क' लैत अछि। एहिलेल ओ यीशुस' प्रश्न पुछलक, “अहाँके चेलासब हमरासबहक पूर्वजसबके परम्परासबके अवज्ञा करैत अछि! यदि ओसब हमरासबके रीतिस' अपन हाथ नहि धोइत अछि त' भोजन किएक करैत अछि?”6तखन यीशु ओकरासबके समझएलथि, “यशायाह तोरासबके पूर्वजके डटने छलहुं, आ ओकर भविष्यवाणीके वचन तोरासबके नीक जकां व्याख्या करैत अछि जे नीक होएबाक ढोंग करैत अछि! ओ एहि शब्दके लिखलक जे परमेश्वर कहने छलथि: ‘ई लोकसब एहन बात करैत अछि जेना ओ हमर आदर करैत होअए, मुदा वास्तवमे ओसब मनमे हमर आदर करब साफे नहि सोंचैत अछि।7ओकरालेल हमर आराधना करब बेकार अछि, किएकत' ओसब मात्र ओहि बातके सिखबैत अछि जे लोक कहैत अछि, जेना हमहीं ओहि बातसबके आज्ञा देने रहिऐ।’ 8अपन पूर्वजके जेहन, अहूंसब ओहि बातके पालन नहि करैत छी जे परमेश्वर आज्ञा देने छथि। अहाँ ओएहटा परम्परासबके पालन करैत छी जे अहाँके दोसर लोकसब सिखऔने अछि।”9यीशु ओकरासबस' इहो कहलनि, “अहाँसब सोंचैत छे जे अहाँ परमेश्वरके आज्ञापालन करएस' अस्वीकार करएमे चलाक छी, जे अहाँ अपन परम्परासबके पालन क' सकी!10उदाहरणके लेल, अहाँसबके पूर्वज मूसा परमेश्वरके आज्ञा लिखने छलथि, ‘अपन माय-बाबूके आदर करी।’ ओ इहो लिखने छलथि, ‘जे व्यक्ति अपन माय-बाबूके विषयमे खराब बात बाजए त' एहन मनुष्यके अधिकारीसब दण्ड देथि।’ 11मुदा अहाँसब सिखबैत छी जे जं अहाँ अपन माय-बाबूके देल जाएबला वस्तु परमेश्वरके दान दैत छी त' ई बात ठीक अछि। अहाँ ओकरासबके अपन माय-बाबूस' एना कहबाक अनुमति प्रदान करैत छी जे ‘हम अहाँक' लेल उपलब्ध होएबाक चाही, आब ओ उपलब्धता परमेश्वरके द' देबाक प्रतिज्ञा कएने छी। एहिलेल आब हम अहाँके सेवा नहि क' सकैत छी!’ 12एहिके परिणाम स्वरुप, अहाँसब लोकसबके कहि रहल छी जे आब ओकरासबके अपन माय बाबूके सेवा करबाक आवश्यकता नहि अछि।13एहि तरहें अहाँसब परमेश्वरक आज्ञाके अवहेलना करैत छी! अहाँ दोसरके अपन बात सिखबैत छिऐ आ ओकरासबके कहैत छिऐ जे ओकर पालन करबाक चाही। आ अहाँसब एहने आओर बहुते काज करैत छी।”14तखन यीशु फेरुस' भीड़के अपनालग आबएलेल कहलनि। आ तखन ओ ओकरासबके कहलनि, “अहाँसब हमर बात सुनू! जे बात हम अहाँसबके कहएबला छी ओहिके बुझू।15लोकसब जे किछु खाइत अछि ओहिस' परमेश्वर ओकरा अशुद्ध नहि बुझति छथि। बल्कि, ओ बात जे लोकसबके मनस' निकलैत अछि जे परमेश्वरद्वारा ओकरा अशुद्ध बुझएके कारण बनैत अछि।”16जे किछु अहाँसब हमरा कहैत सुनलहुं ओहिके विषयमे अहाँसबके ध्यानपूर्वक विचार करबाक चाही।17एहिके बाद भीड़के छोड़िक' यीशु अपन चेलासबके संग एकटा घरमे गेलाह। ओसब हुनका ओहि दृष्टान्तक विषयमे प्रश्न कएलनि जे ओ एखने कहने छलथि।18ओ ओकरासबके उत्तर देलथिन, “की अहाँसब नहि बुझति छी जे एकर अर्थ की अछि? अहाँसबके बुझबाक चाही जे किछु बाहरस' हमरासबहक भितर जाइत अछि, ओ परमेश्वरके लेल अस्वीकार्य मानएके कारण नहि बनि सकैत अछि।19हमरासबके मनमे प्रवेश क' क' किछु हानि करबाक बदला, ई हमरासबके पेटमे जाइत अछि, आ बादमे शौचद्वारा बाहर निकलि जाइत अछि।” एना कहिक' यीशु ई घोषणा करैत छलथि जे परमेश्वरके लेल सब भोजन शुद्ध अछि।20ओ इहो कहलनि, “ई विचार आ काज होइत अछि जे लोकके भितरस' निकलैत अछि, जे परमेश्वरके लेल अस्वीकार्य होएबाक कारण बनैत अछि।21विशेषरुपस', ई कोनो व्यक्तिके भितर मनमे अस्तित्व होइत अछि जे खराब बात सोंच' लेल प्रेरित करैत अछि; ओ अनैतिक काज करैत अछि, ओ चोरी करैत अछि, ओ हत्या करैत अछि।22ओ व्यभिचार करैत अछि, ओ दुर्भावनास' काज करैत अछि, ओ लोकसबके धोखा दैत अछि, ओ अशिष्टतास' काज करैत अछि, ओ ईर्ष्या करैत अछि, ओ दोसरके विषयमे खराब बात बजैत अछि, ओ घमण्ड करैत अछि, ओ मूर्खतापूर्ण काज करैत अछि।23लोकसब ई विचार मनमे लाबिक', आ ई खराब काजसब करैत अछि, आ परमेश्वरके लेल अस्वीकार्य होएबाक कारण बनैत अछि।”24यीशु आ हुनकर चेलासब गलीलस' निकलिक', सूर आ सीदोन नगरके लगपासक क्षेत्रमे गेलाह। जाहि समय ओ एकटा घरमे रुकल छलाह, त' ओ नहि चाहैत छलाह जे केओ एहि बातके बुझए, मुदा लोकसब तुरन्ते जानि गेलै जे ओ ओत' छलथि।25एकटा स्त्री यीशुके विषयमे सुनलीह, जेकर बेटीके एकटा दुष्टात्मा लागल छलनि। तुरन्ते ओ यीशु लग आबिक' हुनक पयरपर खसि पड़लीह।26आ ओ स्त्री यहूदी नहि छलीह। ओकर पूर्वज सेहो यहूदी नहि रहए। ओ अपने सेहो सीरिया प्रान्तके फीनिकी नगरमे जन्मल छलीह। ओ यीशुस' विनती कएलीह जे ओ ओकरा बेटीमेस' दुष्टात्माके निकालि देथि।27ओ ओहि स्त्रीके कहलथि, “पहिने बच्चाके भरि हीक खाए दिऔ, किएकत' ई माय अपन बच्चाके लेल बनौने ओहि भोजनके कुकुरसबके आगु फेक दैक से नीक नहि अछि।”28ओ हुनका कहलकनि, “मालिक, अहाँ जे कहैत छी से ठीके अछि, मुदा घरके कुकुर सेहो टेबुलपरस' बच्चाद्वारा खसाओल चुर-चार खाइत अछि।”29यीशु ओकरा कहलथि, “अहाँ जे कहने छी ताहि कारण, घर जाउ। हम अहाँके बेटीमेस' दुष्टात्मा निकालि देने छी।”30ओ स्त्री अपन घर जाक' देखलीह जे ओकर बेटी चुपचाप चौकीपर सुतल छलीह आ ओकरामेस' दुष्टात्मा निकलि गेल छल।31यीशु आ हुनक चेलासब सूरके लगपासक क्षेत्रस' निकलिक' उत्तर दिस सीदोन होइत, फेरु पूर्व दिस दिकापुलिस दने, दक्षिण दिस गलीलके झीलके लगमे रहल नगरसबमे गेलाह।32ओतए, किछु लोक हुनकालग एकटा व्यक्तिके ल' क' आएल जे बहिर छल आ नीकस नहि बाजि सकैत छल। ओसब यीशुस' विनती कएलनि जे ओ ओकरा ठीक करबाक लेल ओकरापर अपन हाथ ध' देथि।33तएं यीशु ओकरा भीड़स' दूर ल गेलथि जे ओ दुनू एकान्तमे रहैक। तखन ओ अपन एक-एकटा औंरी ओकरा दुनू कानमे ध' देलनि। अपन औंरी पर थूकलाके बाद, ओ अपन औंरीस' ओहि व्यक्तिक जिउके छुलनि।34तखन ओ स्वर्ग दिस देखक' जोरस' सांस ल' क' ओहि व्यक्तिके अपने भाषामे कहलथि, “इप्फत्तह,” जेकर अर्थ होइत अछि, “खुजि जो!”35ओहि समय ओ व्यक्ति नीक जकां सुनए लागल। ओ स्पष्टस' बाजहू लागल, किएकत' जाहि कारण ओ व्यक्ति बाजि नहि सकैत छल ताहि बन्हनस' ठीक भ' गेल छल।36यीशु लोकसबके कहलनि जे किछु ओ कएने छथि ओहिके विषयमे केकरो नहि कहब। यद्यपि ओ ओकरासबके बेर-बेर ओकरा आ दोसरोके एहि विषयमे केकरो नहि कहबाकलेल आदेश देने छलथि, मुदा ओसब एहिके विषयमे लोकसबसंगे आओर बेसी प्रचार करए लागल।37जे लोकसब एहिके विषयमे सुनलक से सब बड्ड चकित भ' क' एक-दोसरस' कहए' लागल, “जे किछु ओ कएने छथि से अद्भुत अछि! आओर आश्चर्यजनक कार्य करबाक संगहि, ओ त' बहिरके सुनएबला सेहो बना दैत छथि! आ जे बाजि नहि सकैत अछि ओकरा बाजएमे सक्षम क' दैत छथि!”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67