Mark6
1यीशु कफरनहूमस' निकलिक' अपन नगर नासरत चलि गेलाह। हुनकर चेलासब सेहो हुनक संग गेलनि।2यहूदीसबके विश्राम-दिनमे, ओ यहूदी सभाघरमे जाक' लोकसबके शिक्षा देलथिन। ओत' सुनएबला लोकसब बहुत चकित भेल। ओसब एक-दोसरस' पुछ लागल जे ओ एतेक बुद्धि आ चमत्कार करबाक सामर्थ्य कत' स' प्राप्त कएने छथि।3ओसब कहलनि, “ओ त' काठके काज करएबला एक साधारण व्यक्ति छथि! हमसब हुनका आ हुनक परिवारके जनैत छी! हमसब हुनक माय मरियमके जनैत छी! हमसब हुनक छोट भाइ याकूब, योसेस, यहूदा आ सिमोनके सेहो जनैत छी! आ हुनकर छोटकी बहिन त' अपनेसबके बीच रहैत अछि!”4यीशु ओकरासबके कहलथि, “ई सत्य अछि जे दोसर स्थानपर लोक प्रवक्ताके आदर करैत अछि, मुदा ओकर अपने नगरमे लोक ओकरा आदर नहि करैत अछि! एतधरि जे ओकर सम्बन्धी आ ओकरा घरके लोक सेहो ओकरा आदर नहि करैत अछि!”5मुदा ओ ओत' अपन हाथ किछु बेमारी पर राखिक' ओकरासबके चंगा कएलनि, मुदा ओ कोनो आओर चमत्कार नहि कर' पौलनि।6ओ लोकसबके अविश्वास पर चकित भेलथि जे किछुए लोक हुनकापर विश्वास कएलक, मुदा ओ ओकरासबके गाममे जाक' ओकरासबके शिक्षा दैत रहलथि।7एकदिन, यीशु अपन बारहो चेलासबके एकसाथ बजौलनि। फेरु ओ ओकरासबके कहलनि जे दू-दू गोटेके समूहमे अलग-अलग गामसबमे शिक्षा देब पठाबएबला छी। ओ हुनकासबके लोकसबमेस' दुष्टात्मासबके निकलाएके अधिकार सेहो देलथिन जे केओ दुष्टात्मासबके वशमे रहैक।8आ ओकरासबके आज्ञा देलथिन जे ओसब यात्राके लेल मात्र एकटा लाठीके अतिरिक्त किछु नहि लेबाक चाही — ने रोटी, ने झोरा, ने बटुआमे पाइ —9ओ ओकरासबके इहो आज्ञा देलथिन जे जं ओसब यात्रा करए त' साधारण जुता पहिरए आ लाठी संगमे ल' जाए। ओ ओकरासबस' कहलथि जे भोजन नहि लेब आ कोनो बटुआ संगमे नहि राखब जाहिस' अहाँसब बटखर्चा आ पाइ कौरी राखि सकी। ओ हुनकासबके फाजिल वस्त्र लेबाक अनुमति नहि देलथिन।10ओ इहो आदेश देलथिन, “यदि केओ अहाँसबके अपना घरमे रहएलेल कहए, त' जाधरि ओहि नगरस' निकलि नहि जाएब ताधरि ओहि घरमे रहब।11अहाँसबके स्वागत नहि करए आ लोक अहाँसबके बात नहि सुनए, त' ओत' स' निकलिते अपन पयरक' गरदा झाड़ि लेब। एनाक' क' अहाँसब एहि बातके गवाही देब जे ओसब अहाँसबके स्वागत नहि कएलक आ ने अहाँसबके सन्देश ग्रहण कएलक।” 12जखन चेलासब अलग-अलग गामसबमे चलि गेल, तखन ओसब प्रचार करए लागल जे लोक अपन पापस' पश्चाताप करए।13ओसब लोकसबमेस' बहुत दुष्टात्मासबके निकालैत छल, आ ओसब बहुत बेमारी लोकसबके जैतूनके तेल लगाक' ठीक करैत छल।14तखन राजा हेरोद अंतिपास जे यीशुके नामके चर्चा करैत छलथि से सुनलक। किछु लोक यीशुके विषयमे कहैत छल, “ई अवश्य बपतिस्मा देबएबला यूहन्ना छथि! ओ मरल सबमेस' जीवि' उठि गेल छथि! एहिलेल हुनकालग एतेक चमत्कारसब करबाक सामर्थ्य छन्हि!”15केओ कहैत छल, “ई प्राचीन प्रवक्ता एलियाह छथि, जेकरा फेरुस' पठएबाक प्रतिज्ञा परमेश्वर कएने छलथि।” आओर दोसर लोक यीशुके विषयमे कहैत छल, “नहि, नहि, ई कोनो आओर दोसर प्रवक्ता छथि, ई ओ दोसर प्रवक्ता सन छथि जे बहुत पहिने आएल छलथि।”16लोकसब जे बात कहैत छल ओहिके सुनालक बाद, राजा हेरोद अंतिपास स्वयं कहलनि, “एहन चमत्कारसब करएबला व्यक्ति बपतिस्मा देबएबला यूहन्ना होएताह! हम अपन सैनिकद्वारा हुनकर मूड़ी काटि देबाक आदेश देने रही, मुदा ओ फेरुस' जीवित भ' गेल छथि!”17किएकत' बितल समयमे हेरोद अंतिपास यूहन्नाके बंदी बनाक' हुनका जहलमे बंद क' देने रहैक। हेरोद अंतिपास एना एहिलेल कएलनि किएकत' ओ अपन भाइ फिलिपुसक पत्नी अपन भाबो, हेरोदियास स' विवाह क' लेने छल।18हेरोद यूहन्नाके एहिलेल बंदीगृहमे बंद क' देने छल जे यूहन्ना हेरोदके कहैत छलनि, “परमेश्वरके व्यवस्था अहाँके अपन भाबोसंगे विवाह करबाक उचित अछि।” 19किएकत' फिलिपुसक पत्नी हेरोदियास, यूहन्नास' बदला लेब' चाहैत छलीह जे केओ ओकरा हत्या क' दैक। मुदा ओ ई एहिलेल नहि करए पौलीह किएकत' जाहि समय यूहन्ना बंदीगृहमे छलाह, हेरोद राजा हुनका बचाक' रखने छलनि।20हेरोद एना एहिलेल कएलनि जे ओ यूहन्नाके डर मानैत छलनि, आ ओ जनैत रहैक जे ओ एकटा धर्मी जन छथि जे स्वयं परमेश्वरमे समर्पित छथि। आ जखन हेरोद यूहन्नाके बात सुनैत छल त' ओ व्याकुल भ' जाइत छल, मुदा ओकरा यूहन्नाक' बात सुनएमे बड़ नीक सेहो लगैत छल।21यूहन्नाके हत्या होइत देखबाक अवसर हेरोदियासके तखन भेटल जखन ओसब हेरोदके ओकर जन्मदिनपर ओकरा खुश कएलकनि। ओ सबस' महत्वपूर्ण अधिकारीसब, सबस' महत्वपूर्ण सेनापतिसब, आ गलील जिलाक सबस' बेसी महत्वपूर्ण लोकसबके अपनासंगे भोजन करए आ उत्सव मनाबए लेल निमन्त्रित कएने रहैक।22जखन ओसब भोजन करैत रहए त' हेरोदियासके बेटी ओतए आबिक' नृत्य कएलीह। राजा हेरोद आ अतिथिसबके बहुत प्रसन्न क' देलीह जे राजा ओकरा कहलनि, “अहाँके जे इच्छा होअए से हमरास' मांगू, आ ओ हम पूरा क' देब!”23ओ एहि बातक प्रतिज्ञा सेहो कएलक, “जे किछु अहाँ हमरास' मांगब से हम पूरा करब! यदि अहाँ मांगब त' हम अपन आधा सम्पत्ति आ आधा राज्य सेहो द' सकैत छी।”24एहिके बाद, बेटी अपन माय, हेरोदियास लग गेलीह आ राजा हेरोदके कहल बातसब ओकरा कहलीह। ओ अपन मायस' पुछलीह, “हम की मांगू?” ओकर माय कहलीह, “राजास' अहाँ बपतिस्मा देबएबला यूहन्नाके मूड़ी मांगि लिअ!”25ओ बचिया दौड़क' ओहि स्थानपर गेलीह आ अपन मांग ल' क' राजाक आगु गेलीह। ओ कहलीह, “हम चाहैत छी जे अहाँ अखिने बपतिस्मा देबएबलाके यूहन्ना मूड़ी काटिक' थारीमे राखिक' हमरालग लएबाक आदेश दिऔ!”26जे ओ मांग कएने छलीह से सुनिक' राजा दुखित भ' गेलनि किएकत' ओ जनैत छलनि जे यूहन्ना बहुत धर्मी जन छथि। मुदा ओ ओकर मांग अस्वीकार नहि क' सकलनि किएकत' ओ एहन प्रतिज्ञा कएने छलनि जे ओ किछु मंगतीह त' ओ हुनका पूरा करए पड़तनि, आ हुनक अतिथिसब सेहो हुनक प्रतिज्ञा सुनने छलनि।27तएं राजा ओहि समय आदेश देलनि जाक' यूहन्नाके मूड़ी काटिक' एहि बचिया लग ल' क' आउ। तखन ओ सिपाही बंदीगृहमे जाक' यूहन्नाके मूड़ी काटि देलक।28ओ ओहिके थारीमे राखिक' ल' आएल आ ओहि बचियाके द' देलक। ओ बचिया ओहिके अपन माय लग ल' गेलीह।29जे भेल छल से सुनिक' यूहन्नाके चेलासब बंदीगृहमेस' यूहन्नाके लास ल' क' कबरिस्तानमे दफना देलनि।30जेकरासबके यीशु अपन प्रेरितके रुपमे चुनने रहथि, ओसब ओत' स' घुरिक' आएल जत' ओकरासबके ओ पठौने रहथि। ओसब हुनका बतौलनि जे ओसब की की कएलनि आ लोकसबके ओसब की की सिखऔलनि।31ओ हुनकासबस' कहलनि, “हमरासंगे ओत' चलू जत' कोनो मनुष्य नहि होअए, जे हमसब एकान्तमे रहिक' विश्रामक' सकी!” ओ एना एहिलेल कहलनि किएकत' हुनकालग बहुत लोकसब अबैत जाइत छलनि, जाहि कारण यीशु आ हुनक चेलासबके भोजन आ किछु काज करबाक समय नहि भेटैत छलनि।32तएं ओ स्वयं एकटा नावपर चढ़िक' एकटा एहन स्थानमे चलि गेलाह जत' कोनो मनुष्य नहि छल।33मुदा हुनका जाइत काल बहुत लोकसब देख लेलक। ओसब चिन्ह लेलक जे ओसब यीशु आ हुनक चेलासब छलथि, आ ओसब इहो देख लेलक जे ओसब कत' जाइत छलथि। एहिलेल अगल बगलके नगरसबस' ओसब जमीनके रस्तास' आगु गेल जत' यीशु आ हुनक चेलासब जाइत छलाह। वास्तवमे ओसब यीशु आ हुनक चेलासबस' पहिने पहुंच गेल रहए।34जखन यीशु आ हुनक चेलासब नावस' उतरलनि त' यीशु एकटा नमहर भीड़के देखलनि। हुनका ओकरासबपर दया आबि गेलनि किएकत' ओ बिना चरबाहके भेंड़ जकां छल। एहिलेल ओ ओकरासबके बहुत बातसब सिखऔलनि। 35दुपहर बितलाक' बाद, चेलासब हुनकालग आबिक' कहलकनि, “ई एहन स्थान अछि जत' केओ नहि रहैत अछि, आ बेसी अबेर होबए लागल अछि।36एहिलेल लोकसबके विदा क' दिऔ जे ओसब लगपासक गाम आ नगरमे जाक' अपनालेल भोजन किन लेथि!”37मुदा यीशु ओकरा कहलथि, “नहि अहींसब एकरासबके किछु खाएलेल दिऔ!” ओसब हुनकास' कहलनि, “हमरासबलग केओ दू सय दिन काज क' क' कमाएल धन रहितै, तथापि हमसब एहि भीड़के खाएलेल पर्याप्त भोजन नहि किन सकैत छी!”38मुदा ओ ओकरासबस' पुछलनि, “अहाँसबलग कतेक रोटी अछि? जाक' देखू!” ओसब जाक' देखलक आ हुनका कहलनि, “हमरासबलग मात्र पांचटा रोटी आ दूटा माछ अछि!”39ओ चेलासबके आदेश देलनि जे ओसब लोकसबके हरियर घासपर बैसबाक लेल कहए।40एहिलेल लोकसब सत्तरि लागिक' बैसि गेल। कोनो पांतिमे एक सय, त' कोनोमे पचास गोटे बैसल छल।41यीशु ओहि पांचो रोटी आ दुनू माछके लेलनि। ओ स्वर्ग दिस देखक' परमेश्वरके धन्यवाद देलथिन। आ तखन ओ रोटी आ माछके तोड़ि-तोड़िक' चेलासबके दैत गेलथि जे ओ सबलोकके बांटि देथि।42सब केओ ओ भोजन ताधरि खएलक, जाधरि ओकरासबके हीक नहि भरल!43खएलाके बाद चेलासब उबरल रोटी आ माछके जम्मा कएलक त' बारह टोकरी भेल।44ओतए लगभग पांच हजार पुरुष छल जे सब रोटी आ माछ खएने छल। एत धरि जे ओसब स्त्री आ बच्चासबके गननहुं नहि रहए। 45लगले यीशु अपन चेलासबके नावपर चढ़िक' आ बेतसैदा नामक गाममे जाएलेल कहलनि, जे गलीलके झील लग छल। ओ ओहि ठाम रुकिक' ओत' उपस्थित लोकसबके विदा कएलनि।46लोकसबके विदा कएलाक' बाद ओ प्रार्थना करएलेल पहाड़पर चलि गेलाह।47जखन सांझ पड़ल, त' चेलासबके नाव झीलके बीचमे छल, आ यीशु जमीनपर एसगरे छलाह।48जखन चेला नाव खेबैत छल त' यीशु देखलनि जे हवा चेलासबके विरुद्ध बहैत छल। एहिलेल, ओकरासबके बहुत दिक्कत भ' रहल छल। भिनसर अन्हरिएमे ओ पानिपर चलैत ओकरासबलग आबि गेलाह। हुनक मन रहैक जे चलैत चलैत ओकरासबस' आगु निकलि जाइ।49ओसब हुनका पानिपर किछु समय भोरके तीन स' छओ बजेके बीचके समय चलैत देखलक, मुदा ओसब सोंचलक जे ओ कोनो भूत भ' सकए। एहिलेल ओसब चिचिआए लागल50किएकत' जं ओसब हुनका देखलक त' ओसब डेरा गेल छल। मुदा ओ ओकरासबसंगे बात कएलथि। ओ ओकरासबके कहलथि, “साहस करु, नहि डेराउ, किएकत' ई हमहीं छी!”51ओ नावपर चढ़िक' ओकरासबसंगे बैसि गेलाह, आ हवा बहनाइ बंद भ' गेल। जे ओ कएने छलथि ओहिके विषयमे ओसब पूर्णरुपस' चकित भ' गेल छल।52यद्यपि ओसब यीशुके रोटी आ माछ बढ़बैत देखने छल, तथापि मनके कठोरता के कारण ओ एहिके अर्थ नहि बुझि सकल जेना ओकरासबके बुझएके चाही।53ओ नावपर चढ़िक' गलील झीलस' कनि आगु आएल त' ओसब गन्नेसरत नगरके कातमे उतरलाह। तखन ओसब नावके ओतहि बान्हि देलक।54जहिना ओसब नावस' उतरलथि, लोकसब हुनका चिन्ह लेलक जे ओ यीशु छथि।55एहिलेल ओसब लोकसबके ई बताबएलेल पुरे क्षेत्रमे दौड़ गेल जे यीशु ओतए छथि। तखन लोकसब बेमारीके खाटपर सुताक' आ ओकरा खटिया सहिते उठाक' ओहि स्थान ल गेल जत' ओसब सुनलक जे ओत' यीशु छथि।56ओ जखन कोनो गाम, नगर आ बस्तीमे गेलाह, ओतएके लोकसब बेमारी लोकसबके ल' क' यीशु लग अबैत छल। तखन बेमारी लोकसब यीशुस' विनती करैत छल जे ओ हुनका आ हुनक वस्त्रके एकटा कोन्हो छुबए देथि जे यीशु ओकरासबके चंगा क' देथि। जतेक लोकसब हुनका आ हुनक वस्त्रके छुलक, ओ सबकेओ रोगस' मुक्त भ' गेल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.