Mark5

1यीशु आ हुनकर चेलासब गलील झीलके ओहिपार पहुंच गेलाह। जत ओसब उतरल छलनि ओहि स्थान लग गिरासेनी लोकसब रहैत छलनि। 2जं यीशु नावस' उतरलथि, त' कबरिस्तानमे रहनिहार एकटा मनुष्य निकलिक' बाहर आएल। ओ मनुष्य दुष्टात्मासबके वशमे छल।3ओ मनुष्य कबरिस्तान स' बाहर निकलिक' आएल किएकत' ओ कबरसबके बीचमे रहैत छल। लोकसब ओकरा रोकएके अनेको प्रयास कएने रहैक। मुदा ओसब ओकरा झिझिर ल' क' सेहो बान्हिक' नहि राखए सकने छल।4जहिया-जहिया लोकसब ओकरा झिझिरस' बन्हने रहैक, तहिया तहिया ओ ओकरा तोड़ि दैत छलनि। ओ एतेक बौकार रहए जे ओकरा केओ नियन्त्रित करएमे सक्षम नहि भेलै।5ओ आदमी राति दिन अपन समय कबरिस्तानमे बितबैत छल। पहाड़ी देशमे ओ जोर-जोरस' चिचिआइत रहए आ स्वयंके कोन्हबला पत्थलस' घाहिल करैत छल।6जखन ओ यीशुके दूरेस' नावपरस' उतरैत देखलक, त' ओ हुनकालग दौड़क' आएल आ हुनका आगुमे ठेहुनियां द' प्रणाम कएलक देलक।7ओ दुष्टात्मा जोरस' चिचिआक' कहलक, “यौ यीशु, परमप्रधान परमेश्वरके पुत्र, हमरा एसगरे छोड़ि दिअ! परमेश्वरके सपत खा क' कहूं जे अहाँ हमरा दुख नहि देब!” 8ओ दुष्टात्मा ई बात एहिलेल कहलक किएकत' यीशु ओकरा कहने छलथि, “ऐ दुष्टात्मा, एहि मनुष्यमेस' बाहर निकलि जो!”9यीशु ओ दुष्टात्मास' पुछलथि, “तोहर नाम की छौ?” ओ हुनका उत्तर देलक, “हमर नाम सेना अछि किएकत' हमसब बहुते दुष्टात्मासब छी जे मनुष्यमे लागल छी।”10फेरु दुष्टात्मासब यीशुस' निहोरा कर' लागल जे ओकरासबके एहि क्षेत्रस' ओ बाहर नहि निकालथि।11ओहि समय, सुगरके एकटा बड़का झुण्ड लगक पहाड़पर चरैत छल।12तएं दुष्टात्मासब यीशुस' ई विनती कएलक, “हमरासबके सुगरक झुण्डमे जएबाक अनुमति दिअ जे हमसब ओहिमे पसि जाएब!”13यीशु ओकरासबके अनुमति द' देलथिन। ओ दुष्टात्मासब ओहि आदमीके छोड़िक' सुगरके झुण्डमे पसि गेल। लगभग दू हजार सुगरक झुण्ड उंचगर पहाड़स' झीलमे खसि पड़ल आ डुबिक' मरि गेल।14जे लोकसब सुगरके चरबैत छल, ओ दौड़क' नगर आ गाममे गेल, आ जे किछु ओतए भेल रहैक से जानकारी करौलनि। ओत रहनिहार बहुते लोक देखए गेल जे ओतए की भेल छल।15ओ सबकेओ ओतए आएल जत' यीशु छलथि। आ ओसब ओहि आदमीके देखलक जे पहिने दुष्टात्मासबके वशमे छल। ओत' वस्त्र पहिरक' बैसल रहए आ ओ ओहन कोनो काज नहि करैत छल जाहिस' लोकके लगैक जे ओ दुष्टात्मासबस' पीड़ित अछि। जखन ओसब ईसब देखलक त' डेरा गेल।16जे सब यीशुद्वारा कएल गेल काज देखने छल, ओसब नगर आ गामसबस' आएल आदमीसबके जानकारी देलक। ओसब ओकरासबके एहि विषयमे जानकारी करौलनि जे ओहि आदमीसंगे की भेल रहैक जे पहिने दुष्टात्मास' पीड़ित छलनि। ओसब इहो बात बतौलनि जे ओ सुगरसब कोना मरि गेल।17तखन लोकसब यीशुके ओहि क्षेत्रस' चलि जएबाक लेल विनती कएलनि।18जखन यीशु जाएलेल नावपर चलि गेलथि, त' पहिने जेकरामे दुष्टात्मासब लागल छल से आदमी हुनकास' विनती कएलक, “अहाँसंगे हमरो जाए दिअ!”19मुदा यीशु ओहि आदमीके अपनासंगे आबए के अनुमति नहि देलनि। बल्कि, ओ ओकरा कहलथि, “अपन घर-परिवार लग जाउ आ जेहन दयाके काज प्रभु अहाँलेल कएने छथि ओ सबलोकके सुनाउ।”20तएं ओ आदमी दिकापुलिस क्षेत्रमे चलि गेल। जे-जे काज यीशु ओकरालेल कएने छलथि ओ सबलोकके प्रचार कएलनि। जे बात ओ ओकरासबके कहने छलनि ओहिके सुनएबला सबकेओ चकित भ' गेल।21जखन यीशु नावपर सबार भ' क' फेरुस' गलीलके झीलके दोसर कात गेलाह, त' ओत एकटा बढ़का भीड़ हुनकालग जम्मा भ' गेलै।22यहूदी सभाघरके अधिकारीमेस' एकगोटे, जेकर नाम याइरस छल, ओतए आएल। जखन ओ यीशुके देखलनि त' हुनका पयरपर खसि गेलै।23तब ओ कलैपक' यीशुस' विनती कएलनि, “हमर बेटी बेमार अछि आ मरए लागल अछि! हे प्रभु हमरा घरे आबिक' ओकरापर हाथ ध' दिऔ। ओकरा ठीक क' दिऔ जे ओ जीवित रहए!”24आ यीशु ओकरासंगे चलि गेलथि। एकटा नमहर भीड़ हुनका पाछु-पाछु गेल, आ बहुत लोकसब हुनकालग ठेलमठेल करैत रहैक।25भीड़मे एकटा स्त्री छलीह जेकरा लेहू बहबाक बेमारी छल। ओकरा बारह वर्षस' सबदिन लेहू बहैत छल।26ओ बहुते बेर कतेको वैद्यसबस' उपचार करौने छलीह। आ अपन सब सम्पत्ति खर्च कएलोपर ठीक नहि भेल छलीह आ ओकर हालत आओर गम्भीर होइत गेल छलनि।27जं ओ सुनलीह जे यीशु लोकसबके ठीक करैत छथि, त' ओ हुनकर पाछु-पाछु चलएबला भीड़मे घुसि गेलीह। जखन ओ हुनकालग पहुंचलीह, त' ओ हुनक वस्त्रके छुबि लेलीह।28ओ सोंचैत छलीह, “यदि हम हुनक वस्त्रके छुबिए लेब, त' हम ठीक भ' सकैत जाएब।”29तुरन्त ओकर लेहू बहब बंद भ' गेल। तखन ओकरा अपन शरीरके भितर महसूस भ' गेल जे यीशु हमर बेमारीके ठीक क' देने छथि।30यीशुके सेहो तुरन्ते अनुभव भेलनि जे हुनकर शक्तिस' केओ ठीक भेल अछि। एहिलेल ओ पाछु घुमिक' भीड़के पुछए लगलथि, “हमर वस्त्रके छुएने अछि?”31हुनकर चेलासब उत्तर देलनि, “अहाँ देखते छी जे अहाँ लग बहुत लोकके ठेलमठेल अछि! भ' सकए जे क गोटे अहाँके छुने होएत! तखन अहाँ किएक पुछैत छी ‘हमरा के छुलक’?”32मुदा यीशु ओकरा देखएलेल चारुदिस खोजैत छलथि जे हुनका छुएने छलनि।33ओ स्त्री बहुत डेरा गेल छलीह आ कांपए लगलीह, किएकत' ओ जनैत छलीह जे जाहि समय यीशुके ओ छुबि लेलीह, ओहि समयमे ओ ओकरा ठीक क' देलथिन। ओ स्त्री हुनका आगु ठेहुनियां द' क' सबकिछु सांच्चे हुनका कहि देलीह जे ओ कएने छलीह।34यीशु ओ स्त्रीके कहलथि, “बेटी, अहाँ हमरापर विश्वास कएने छलीह जे हम अहाँके ठीक क' सकैत छी, तएं हम अहाँके ठीक क' देने छी। ई बात जानिक' शान्तिमे जाउ जे हम अहाँक बेमारी सब दिनके लेल ठीक क' देने छी।”35जखन यीशु ओहि स्त्रीसंगे बात करैत छलथि त' सभाघरके अधिकारी याइरके घरस' किछु लोकसब आबि गेल। ओसब याइरस' कहलक, “अहाँक बेटी मरि गेलीह। तएं आब गुरुजीके अहाँ अपन घर बजाक' हुनका परेशान करबाक कोनो आवश्यकता नहि अछि।”36मुदा ओ लोकसबके कहल सुनिक' यीशु सभाघरके अधिकारी याइरके कहलथि, “एहि बातस' नहि डेराउ जे अहाँके बेटी मरि गेलीह! मात्रे विश्वास करु आ ओ जीवित रहतीह!”37तखन ओ अपन निकटतम चेलासब अर्थात् पत्रुस, याकूब आ यूहन्नाके मात्र अपना संग ओहि घरमे जएबाक अनुमति देलथिन। ओ आओर केकरो अपना संग आबए के अनुमति नहि देलथिन।38जखन ओ सभाघरके अधिकारी याइरके घर लग पहुंचलनि, त' यीशु देखलनि ओतए लोकसब दुखमे छल। ओसब कनैत छल आ जोर-जोरस' विलाप करैत छल।39ओ घरके भितर प्रवेश क' क' ओत' उपस्थित लोकसबके कहलथि, “अहाँसब एतेक उदास किएक छी आ किएक छाती पिटैत छी? बचिया मरल नहि अछि, मात्र सुतल अछि।”40लोकसब ओहि बातपर हंसए लागल किएकत' ओसब जनैत छल जे ओ मरि गेल अछि। ओ लोकसबके घरस' बाहर पठा देलनि। तखन ओ ओहि बचियाके माय-बाबू आ तीनगोटे चेलासबके अपनासंगे ल' क' ओहि कोठलीमे गेलथि जत' ओ बचिया छलनि।41ओ ओहि बचियाके हाथ पकड़िक' ओकरे भाषामे ओकरा कहलथि, “तलीता कूम!” जेकर अर्थ अछि, “ए छोटकी बौआ, उठिक' ठाढ़ भ' जाउ!”42एकहि बेरमे ओ बचिया उठिक' चलए बुलए लगलीह। ई आश्चर्यक' बात नहि छल जे ओ बचिया चलि सकैत छलीह किएकत' ओ लगभग बारह वर्षके छलीह। जखन एना भेल, त ओतए जे लोकसब उपस्थित छल से एकदम चकित भ' गेल।43यीशु ओकरासबके ई कहिक' कड़ा आदेश देलथिन, “हम जे कएने छी ओहि विषयमे केकरो नहि कहब!” तखन ओ माय बाबूके कहलनि, “बचियाके किछु खाएलेल दिऔ।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67