Mark4
1एक बेर आओर यीशु गलीलके झील कातमे लोकसबके शिक्षा देब' लगलथि। जखन ओ शिक्षा दैत छलथि, त' हुनका चारुदिस एकटा नमहर भीड़ जम्मा भ' गेलै। ओहिस' ओ एकटा नावमे चढ़िक' पानिमे चलि गेलथि। भीड़ झील कातमे रहिक' हुनकर शिक्षा सुनलक।2ओ ओकरासबके दृष्टान्तमे शिक्षा देलथिन। ओ ओकरासबके कहलथि,3“हमर बात सुनू। एकटा आदमी बिआ बाओग करएलेल निकलल।4जखन ओ बाओग क' रहल छल, त किछु बिआ रस्तापर खसल। आ किछु चिड़ै आबिक' खा लेलक।5आओर बिआ एहन जगहमे खसल जत' माटि कम पत्थल बेसी छल। जल्दिए माटिमेस' बिआ जनमि गेल किएकत' माटि बेसी तरमे नहि रहए।6सूर्य निकलला पर, जखन ओहि गाछपर रौद पड़ल, त' ओ गाछ मुरझा गेल, किएकत' उपरेमे रहल जड़िके माटिस' पानि नहि भेटल।7जखन ओ बाओग क' रहल छल, किछु बिआ कांटकुशबला जगहमे खसल। जनमिक' बिआ बढ़ि त' गेल, मुदा कांटकुशके झाड़ सेहो बढ़िक' ओहि नीक गाछके झांपि देलक। एहिलेल ओहि गाछमेस' उपजा नहि भेल।8मुदा, जखन ओ बाओग करैत रहए, त' किछु बिआ नीक माटिमे खसल। फलस्वरुप, ओ जनमिक' नमहर भेल, आ बहुत अनाज उपजल। ओहि आदमीद्वारा बाओग कएल गेल बिआक किछु गाछमेस' तीस गुणा बेसी उपजनी भेल। किछु साठि गुणा बेसी आ किछु सय गुणा बेसी उपजनी देलक।”9तखन यीशु कहलथि, “जे केओ सुनएलेल इच्छुक छी से सुनू, जे हम की कहि रहल छी।”10बादमे जखन बारह चेला आ हुनक आन चेलासब मात्र रहैत काल, ओसब ओहि दृष्टान्तके विषयमे यीशुसंगे पुछलक।11ओ ओकरासबके कहलथि, “हम अहाँ सबकेओ दृष्टान्त एहि विषयमे कहलहुं जे परमेश्वर स्वयंके राजाक रुपमे कोना प्रगट करैत छथि, मुदा आन लोकसंगे हम दृष्टान्तमे बजैत छी।12जखन ओ देखत जे हम की क' रहल छी, त ओसब जानि नहि पबैक जे हम ई किएक क' रहल छी। जखन ओसब सुनत' जे हम की बाजि रहल छी, ओसब बुझि नहि पबैक जे एकर अर्थ की अछि। एना एहिलेल अछि जे कहूं ओसब पश्चाताप नहि क' लेथि, आ परमेश्वर ओकरा क्षमाक' दैक।” 13यीशु अपन चेलासबके इहो कहलनि, “की अहाँसब एहि दृष्टान्तक अर्थ नहि बुझति छी? जं हम अहाँसबके आओर दृष्टान्त कहब त' अहाँसब कोना बुझब?14जे दृष्टान्त हम अहाँसबके कहलहुं, ओहिमे बिआ बाओग करएबला एकटा एहन व्यक्तिके देखबैत अछि जे आन लोकके परमेश्वरके सन्देश सिखबैत अछि।15जखन बिआ रस्तापर खसल त' किछु लोक एहि उदाहरण जकां होइत अछि। जं ओसब परमेश्वरके सन्देश सुनैत अछि, त' शैतान तुरन्त आबिक' जे किछु ओसब सुनने रहए ओकरा बिसरा दैत अछि।16किछु लोकसब ओहि बिआ समान होइत अछि जे पत्थलाह जमीनमे खसल। जं ओसब परमेश्वरके सन्देश सुनैत अछि, त' ओकरा तुरन्ते खुशीस' स्वीकार क' लैत अछि।17मुदा ओकरासबके जड़ि मजगूत नहि भेल रहए, आ ओकरामे सहनशक्ति कम रहए। एहि कारण, जं ओसब परमेश्वरक सन्देशके कारण सताएल जाइत अछि, ओ तुरन्ते विश्वास करब छोड़ि दैत अछि।18किछु लोक ओहि माटि जकां होइत अछि जाहिमे कांटबला घासके झाड़ होइत अछि। एहन लोकसब परमेश्वरके सन्देश सुनैत अछि।19मुदा संसारक वस्तुसबके आ धनवान बनबाक चिन्ता करैत अछि, आ परमेश्वरक सन्देश बिसरि जाइत अछि। ओहि व्यक्तिके जीवनमे जे सन्देश भेटल रहए ओहिके ओ गरदनि दबादैत अछि, आ ओ व्यक्ति फल उत्पन्न करएमे असमर्थ भ' जाइत अछि।20मुदा किछु लोक ओहन बिआ जकां होइत अछि जे नीक माटिमे खसल छल। ओसब परमेश्वरके सन्देश सुनैत अछि आ ओकरा स्वीकार करैत अछि, आ ओ ओहिपर विश्वास करैत अछि, आ ओसब ओएह करैत अछि जे परमेश्वर ओकरास' चाहैत छथि। ओ ओहि नीक गाछके समान अछि जे तीस, साठि आ सय गुणा फल उत्पन्न करैत अछि।”21ओ अपना चेलासबके एकटा आओर दृष्टान्त सुनौलथि: “निश्चितरुपस' लोक डिबिया बारिक' घरमे एहिलेल नहि लबैत अछि जे ओहिके उपर मौनी राखिक' ओकर इजोतके झांपि दैक वा चौकीतरमे नहि। बल्कि ओहिके दिहैटपर ध' दैत अछि जाहिस' जे ओकर इजोत चमकए।22ओहिना, जे बात गुप्त छल — एकदिन सब केओ ओहिके जानि लेत — आ जे बात गुप्तमे भेल छल — एकदिन लोक ओकरा पूरा इजोतमे देखत।23यदि अहाँसब एहिके बुझए चाहैत छी, त' जे किछु एखन धरि सुनने छी ताहिपर ध्यान दिअ।”24“जे किछु अहाँसब हमरा कहैत सुनैत छी ओहिपर ध्यान दिअ, किएकत' परमेश्वर अहाँसबके ओतबे बुझए देत जतेक अहाँसब हमर बातपर ध्यान दैत छी। एतधरि जे ओ अहाँसबके अहूस' बेसी बुझए देत।25किएकत' कोनो मनुष्यमे किछु समझ अछि, त' ओ आओर बेसी पाओत। मुदा यदि कोनो मनुष्यमे समझ नहि अछि, त' जे किछु ओकरा लग अछि, ओ सेहो गुमा देत।”26यीशु इहो कहलथि, “जहिया परमेश्वर स्वयं राजाक रुपमे प्रगट करतथि, त' ई ओहि किसान जेहन अछि जे खेतमे बिआ बाओग कएने रहए।27एहिके बाद, ओ बिआक चिन्ता कएने बिना सब राति सुतैत रहए आ सबदिन जगैत रहए। कोन समय बिआ अंकुरित भेल आ एहि तरहें बढ़ल जे ओ बुझि नहि सकल।28भूमि अपनेस' फसल उत्पन्न कएलक। सबस' पहिने डांट देखाइ देलक। फेरु बालि देखाइ देलक। फेरु बालिमे दाना देखाइ देलक।29जं अन्न पाकि गेल, त' ओ हंसुवा ल' क' ओहिके काटएलेल जनसबके पठौलक किएकत' कटनीके समय भ' गेल रहए।”30यीशु ओकरासबके एकटा आओर दृष्टान्त सुनौलनि। ओ कहलनि, “जहिया परमेश्वर स्वयंके राजाक रुपमे प्रगट करब शुरु करताह, त' ई केहन होएत? एहिके वर्णन करएलेल हम कोन शब्द चित्रके उपयोग करु?31ई सरिसोके दाना जकां अछि, जे भूमिपर बाओग गेल बिआमे सबस' छोट होइत अछि, आ पृथ्वीपर मिलएबला बिआ सबमेस' सबस' छोट होइत अछि।32बाओग कएलाके बाद, ओ बढ़िक' सब साग-पातस' नमहर भ' जाइत अछि। ओहिमेस' बड़का-बड़का ठाढ़ि निकलैत अछि जे ओकर छांहमे आकाशके चिड़ैसब खोंता बना सकैत अछि।” 33जाहि समय यीशु लोकसबके परमेश्वरक सन्देशके विषयमे बात कएलथि, त' ओ बहुते दृष्टान्तसबके प्रयोग कएलथि। ओ ओकरासबके ओतबे बतौलनि जतेक ओसब बुझएमे सक्षम छलनि।34जं ओ ओकरासबसंगे बात करैत छलथि त' ओ सदिखन किछु शिक्षाबला दृष्टान्तके प्रयोग कएलनि। मुदा जखन ओ अपन चेलासबसंगे एसगरे छलथि त' ओ ओकरासबके ओहि दृष्टान्तसबके व्याख्या कएलथि।35ओहि दिन, सांझ होइत काल, यीशु अपन चेलासबके कहलथि, “आउ हमसब गलील झीलके दोसर कात चली।”36यीशु पहिनेस' नावमे छलथि, एहिलेल ओ भीड़के छोड़ि दोसर दिस जाए लगलाह। हुनकासंग आओर लोकसब सेहो अपन अपन नावमे चलि गेल।37एकटा बड़का अन्हड़-बिहारि आएल आ नावमे पानिके लहरि मारए लागल! नावमे पानि भरए लागल।38यीशु नावके पाछुक भागमे छलथि। ओ सिरहाना लगाक' सुति रहल छलथि। चेलासब हुनका जगएलनि आ हुनका कहलनि, “यौ गुरुजी! की अहाँके एहि बातके चिन्ता नहि अछि जे हमसब मरएबला छी?”39तएं यीशु उठिक' अन्हड़-बिहारिके डंटलनि, आ ओ झीलके आज्ञा देलथिन, “शान्त भ' जो!” हवा बहनाइ रुकि गेल, आ फेरु गलीलके झील शान्त भ' गेल।40ओ अपन चेलासबके कहलथि, “अहाँसब किएक डेराइत छी? की अहाँसबके एखनोधरि विश्वास नहि अछि जे हम अहाँसबके रक्षा क' सकैत छी?” 41ओसब डेरा गेल रहए। ओसब एक-दोसरके कहए लागल, “ई मनुष्यके अछि? एत धरि जे हवा आ लहरि सेहो हिनकर आज्ञा मानैत अछि!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.