Mark3
1दोसर बेर यहूदीसबके विश्राम-दिनमे, यीशु फेरुस' यहूदीसबके एकटा सभाघरमे गेलाह। ओतए एकगोटे हाथ सुखलाहा आदमी छल।2फरिसी सम्प्रदायके किछु लोकसब हुनका नजरि गड़ाक' देखैत रहए जे की विश्राम-दिनमे ओहि आदमीके ओ चंगा करतथि, किएकत' ओसब हुनका कोनो गलत काज कर' मे दोषी ठहराब' चाहैत छल।3यीशु ओहि सुखलाहा हाथबला आदमीके कहलथि, “एत सबकेओके आगु ठाढ़ भ' जाउ!” तएं ओ ठाढ़ भ' गेल।4तखन यीशु लोकसबके कहलथि, “व्यवस्था अनुसार जे परमेश्वर मूसाके देने छलथि, ओ विश्राम-दिनमे लोकसबके नीक काज करबाक अनुमति दैत अछि वा खराब करबाक? की ओ व्यवस्था हमरासबके विश्राम-दिनमे लोकसबके जीवन बचाबएके अनुमति प्रदान करैत अछि, वा ओ हमरासबके कोनो व्यक्तिके सहायता कर' स' अस्वीकार आ ओकरा मर' देब' के अनुमति प्रदान करैत अछि?” मुदा ओसब हुनका उत्तर नहि देलकनि।5ओ पीताक' चारुदिस ओकरासबपर तकलथि। ओ बहुत निराश भेलथि जे ओसब मोनमे हठी छल। आ ओहि मनुष्यके सहायता नहि करए चाहैत रहए। एहिलेल, ओ ओहि आदमीके कहलथि, “अपन हाथ पसारू!” ओ आदमी अपन सुखलाहा हाथ पसारलक, त' ओ ठीक भ' गेलै!6फरिसीसब ओहि सभाघरस' निकलि गेलै। ओसब तुरन्ते किछु यहूदीसबसंगे भेटल जे गलीलके शासक हेरोद अन्तिपासके समर्थन करैत रहए। ओसब मिलक' यीशुके हत्या कोना कएल जाए से षड्यन्त्र कएलक।7यीशु आ हुनकर चेलासब ओतए' स' निकलिक' गलील झीलके क्षेत्रमे चलि गेलाह। लोकसबके एकटा नमहर भीड़ हुनकर पाछु-पाछु चलि अबैत रहए। जे लोकसब हुनका पाछु-पाछु अबैत रहए से सब गलील आ यहूदिया प्रदेशके,8यरूशलेम नगरस', इदूमिया प्रदेशस', यरदन नदीके पूर्वी प्रदेशस', आ सूर आ सीदोन नगरसबके लगपासक प्रदेशस' आएल छल। ओ लोकसब यीशु लग एहिलेल आएल एहए किएकत' जे काज ओ करैत छलथि ओसब ओहिके विषयमे सुनने रहए।9किएकत' ओ बहुत लोकके चंगा कएने छलथि, एहिलेल बहुत आन लोकसब जेकरा विभिन्न प्रकारके बेमारी लागल रहए से हुनका छुबएलेल ठेलमठेल करैत छल। ओकरासबके विश्वास रहए जे यदि ओसब हुनका छुबि लेत त' ओसब ठीक भ' जाएत। एहिलेल ओ अपन चेलासबस' कहलनि जे ओ हुनकालेल एकटा छोटका नाव तैयार राखए जे जखन लोकसब छुबएलेल ठेलमठेल करए त' हुनके पर नहि खसि पड़ैक।11जखन-कखनो दुष्टात्मासब यीशुके देखए ओसब जेकरामे लागल रहए तेकरा यीशुके आगु खसा देलक आ चिचिआक' हुनका कहए' लागल, “अहाँ परमेश्वरक पुत्र छी!”12यीशु दुष्टात्मासबके डांटिक' आज्ञा देलथिन जे ओसब केकरो नहि कहए जे ओ के छथि।13यीशु पहाड़पर चलि गेलथि। ओत' ओ ओकरासबके बजौलथि जेकरा ओ अपनासंगे ल' जाए चाहैत छलथि आ ओसब हुनकर पाछु चलि आएल।14ओ अपनासंगे यात्रा करबाक लेल बारह गोटे प्रेरितसबके नियुक्त कएलनि, जेकरा ओ प्रचार करएलेल सेहो पठओतथि। ओ ओकरासबके अपन विशेष प्रतिनिधि कहलथि।15ओ ओकरासबके लोकसबमेस' दुष्टात्मासबके निकलबाक अधिकार प्रदान कएलथि।16आ यीशु बारह गोटेके नियुक्त कएलथि। ओ सिमोनके नियुक्त क' क' एकटा नव नाम पत्रुस देलथिन।17आ पत्रुसके संगे, यीशु जब्दीके बेटा याकूब, आ याकूबके भाइ यूहन्नाके सेहो नियुक्त कएलथि। ओ ओहि दुनूगोटेके ओकरामे रहल जोशके कारण नवका नाम देलथिन, एहन पुरुष जे ठनका जकां अछि;18आ ओ अन्द्रेयास, फिलिपुस, बरतुल्मै, मत्ती, थोमा, आ अल्फेयासके बेटा याकूबके नियुक्त कएलथि; आ ओ तद्दै, देशभक्त सिमोन,19आ यहूदा इस्करियोतीके नियुक्त कएलनि जे बादमे हुनका पकड़बा देलक।20यीशु आ हुनकर चेलासब एकटा घरमे गेलाह। जत ओसब ठहरल छलाह ओतए फेरुस' भीड़ जम्मा भ' गेलै। हुनकर चारुकात लोकसबके एतेक भीड़ रहैक जे हुनकासबके भोजन करएधरि समय नहि भेटलनि।21जखन हुनकर अपन लोकसब एहि विषयमे सुनलक, त ओसब हुनका घर ल' जाएलेल आएल, किएकत' किछु लोक कहैत छलनि जे ओ बताह अछि।22किछु शास्त्री लोकसब यरूशलेम नगरके पहाड़स' नीचा आएल। ओसब सुनलक जे यीशु लोकसबमेस' दुष्टात्मासबके निकालैत अछि। एहिलेल ओसब लोकसबके कहए' लागल जे, “यीशु दुष्टात्मासबपर शासन करएबला शासकके वशमे अछि। ओएह अछि जे यीशुके लोकसबमेस' दुष्टात्मासब निकलि जाएलेल सहायता करैत अछि!”23एहिलेल यीशु ओहि पुरुषसबके अपनालग बजौलथि। यीशु ओकरासंगे दृष्टान्तमे कहलथि, “शैतान शैतानके कोना निकालि सकैत अछि?24यदि एक देशमे रहनिहार लोक एक-दोसर विरुद्ध युद्ध करत त' ओकर देश एक संयुक्त देश नहि रहि सकैत अछि।25आ यदि एक घरमे रहनिहार लोक अपनेमे युद्ध करत, त' निश्चितरुपस' ओ एक परिवार नहि रहि जाएत।26ओहिना, यदि शैतान आ ओकर सेनासब अपनेमे झगड़' लागत, त' शैतान शक्तिशाली नहि शक्तिहीन भ' जाएत।27केओ कोनो बौकारके घरमे घुसिक' ओकर सम्पत्तिके ताधरि नहि ल' सकैत अछि जाधरि ओ ओहि बौकारके बान्हि नहि दैत अछि। तखन मात्र ओ ओहि व्यक्तिके घरस' समान चोराबए सकत।”28यीशु इहो कहलनि, “हम अहाँसबके सांच्चे कहि रहल छी! लोकसब विभिन्न तरहें पाप करैत अछि त', आ परमेश्वरके विषयमे अपमानजनक बात बाजए, तथापि परमेश्वर ओकरा क्षमाक' देथिन।29मुदा यदि केओ पवित्र आत्माके विषयमे अपमानके बात बाजत त' परमेश्वर ओकरा कहियो नहि क्षमा करतथि। ओ आदमी सदाके लेल ओहि पापके दोषी बनि जाएत।”30यीशु ओकरासबके ई एहिलेल कहलथि, किएकत' ओसब कहैत रहए, “ओ कोनो दुष्टात्माके वशमे अछि!”31जाहि ठाम यीशु शिक्षा दैत छलथि ओतए यीशुके माय आ हुनकर छोटका भाइ आ बहिन अएलनि। जखन ओसब बाहरेमे ठाढ़ रहए, लोकसब केकरो भितर पठौलनि जे हुनका ओकरासबलग आबएलेल यीशुके कहथि।32यीशु भीड़के बीचमे घेराएल छलथि। ओहिमेस' केओ कहलनि, “यौ सुनू! अहाँके माय आ भाइ-बहिन बाहरमे अछि। ओसब अहाँस' भेट करए चाहैत अछि।”33यीशु ओकरास' पुछलथि, “हमर मायके छथि? हमर भाइ-बहिनके अछि?”34हुनकासंग जे बैसल रहए ओ ओकरासब दिस देखलाक बाद, ओ कहलथि, “एत' देखू! अहाँसब हमर माय आ हमर भाइ-बहिन छी।35किएकत' जे लोक ओहि काजके करैत अछि जे परमेश्वरके चाहैत छथि, ओएह हमर भाइ, हमर बहिन, आ हमर माय छथि!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.