Mark2
1किछु दिन बितलाक बाद, यीशु कफरनहूम नगरमे घुरिक' अएलथि। लोकसबके बीचमे ई समाचार जल्दिए पसरि गेल जे यीशु फेरुस' आएल छथि आ एकटा घरमे छथि।2जत यीशु रुकल छलथि ओतए तुरन्ते बहुत लोकसब जम्मा भ' गेलै। ओसब एतेक रहए जे घर भरि गेल। आ ठाढ़ होएबाक जगह सेहो नहि रहि गेल। एतधरि जे दुआरि लग सेहो कोनो जगह नहि बांकी छल। यीशु ओकरासबके परमेश्वरके सन्देश सुनौलनि।3ओहि ठाम किछु लोक यीशु लग एकटा मनुष्यके ल' क' आएल जेकरा लकवा मारने रहए। चारिगोटे ओकरा खटियापर उठएने रहए।4ओसब ओहि मनुष्यके ओत' रहल भीड़के कारण यीशु लग नहि ल' क' जाए सकल। तएं ओसब घरके चारपर चढ़ि गेल, आ घरके चार खोलिक' लकवा मारने व्यक्तिके खटिया सहिते यीशुके आगु उतारि देलक।5जं यीशु जानि लेलथि जे एहि लोकसबके विश्वास अछि जे ओ एहि व्यक्तिके चंगा क' सकैत छथि, तखन ओ लकवा मारने व्यक्तिके कहलथि, “ऐ बालक, हम अहाँके सब पापके क्षमाक' देलहुं!”6किछु शास्त्रीसब ओतहि बैसल रहए। ओसब अपना मनमे विचार करए लागल,7“ई मनुष्य स्वयंके की बुझति अछि, जे एना बात करैत अछि? ओ एना बाजिक' परमेश्वरके अपमान करैत अछि! कोनो मनुष्य पापके क्षमा नहि क' सकैत अछि केवल परमेश्वरे क' सकैत छथि!” 8तखने यीशु अपन मनमे जानि लेलनि जे ओसब की सोंचि रहल अछि। ओ ओकरासबके कहलथि, “अहाँसब एना किएक' सोंचि रहल छी जे हमरा पाप क्षमा करबाक अधिकार नहि अछि?9हमरालेल एहि लकवा मारने आदमीके की कहब आसान अछि, हम अहाँके सब पाप क्षमाक' देने छी वा ठाढ़ भ' जाउ! अपन खटिया उठाउ आ टहलि जाउ?10हम अहाँसबके देखाएब जे परमेश्वर मनुष्यक पुत्रके पृथ्वीपर पापसबके क्षमा करएके अधिकार सेहो प्रदान कएने छथि।” फेरु ओ ओहि लकवा मारने व्यक्तिके कहलथि,11“ठाढ़ भ' जाउ! अपन खटिया उठाक' घर चलि जाउ!”12तुरन्ते ओ आदमी ठाढ़ भ' गेल। जखन लोकसब देखैत रहए ओहि समयमे ओ अपन खटिया उठाक' ओहि घरस' बाहर निकलि गेल। सबकेओ चकित भ' गेल आ ओसब परमेश्वरके स्तुति करैत कहलनि, “जे किछु एखन भेल ओहन हमसब कहियो नहि देखने रहिऐ!”13यीशु कफरनहूम नगरस' निकलिक' फेरु गलील झीलके काते-काते जाए लगलनि। एकटा नमहर भीड़ हुनकालग अएलनि, आ ओ ओकरासबके शिक्षा देलथिन।14जखन ओ जाइत छलथि, त ओ लेवी नामक एकटा पुरुषके देखलथि, जेकर बाबूके नाम हलफईस छल। ओ अपन कर लेबएबला चौकीपर बैसिक' कर उठबैत छल। यीशु ओकरा कहलथि, “हमरासंग चलू आ हमर चेला बनि जाउ।” ओ उठिक' यीशुके पाछु चलि गेल।15बादमे, यीशु लेवीके घरमे भोजन करैत छलथि। बहुते कर उठाबएबलासब आ धार्मिक अगुवासब जेकरा पापी मानैत छल ओहोसब — यीशु आ हुनकर चेलासबके संग भोजन करैत रहए। ओतए एहन बहुते लोकसब छल जे यीशुसंगे सबठाम जाइत रहए।16जे लोक शास्त्री छल आ जे लोक फरिसी सम्प्रदायके सदस्य छल, ओसब देखलनि जे यीशु पापी आ कर उठाबएबला आदमीसबसंगे भोजन क' रहल छथि। ओसब यीशुके चेलास' पुछलनि, “ओ पापी आ कर लेनिहारसबके संग किएक भोजन करैत छथि?”17यीशु जखन ओ बात पुछैत सुनलथि, त' ओ यहूदी व्यवस्था सिखाबएबला लोकसबके कहलथि, “स्वस्थ मनुष्यके वैद्यके आवश्यकता नहि होइत अछि। मुदा रोगी मनुष्यके वैद्यके आवश्यकता होइत अछि। हम ओहि लोकसबके बजाबएलेल नहि आएल छी जे स्वयंके धर्मी बुझति होइक, मुदा ओकरासबके बजाबएलेल आएल छी जेकरा बुझाति होइक ओ पापी छै।”18ओतए, बपतिस्मा देबएबला यूहन्नाके चेला आ फरिसीसबके समुदायके लोकसब उपास करैत छल, एना ओसब बेर-बेर करैत छल। किछु लोक यीशु लग आबिक' हुनका पुछलनि, “यूहन्ना आ फरिसीसबके चेलासब उपास रहैत अछि। अहाँक चेलासब किएक नहि उपास रहैत अछि?”19यीशु ओकरासबके कहलथि, “जं केओ पुरुष कोनो स्त्रीसंगे विवाह करएबला होइत अछि, त' जखनधरि ओ विवाह भवनमे बरातीसबके संग रहैत अछि, त' ओ उपास नहि रहैत अछि। विवाह क' समय वरके संग भोज आ उत्सव मनएबाक समय होइत अछि। ई उपास करएबला समय नहि होइत अछि, खास क' क' जखन वर बरातीसबके संग रहैत अछि।20मुदा कोनो दिन, वरके हुनका मित्रसबस' अलग क' देल जाएत। तखन ओसब उपास करत।”21यीशु ओकरासबके कहैत रहलथि, “लोकसब पुरना वस्त्रमे पेउनके लेल नवका वस्त्र नहि लगबैत अछि। यदि ओसब एना करत, त ओ वस्त्रके पेउन धोइत काल चोकटि जाएत, आ नवका वस्त्रक चेफरी टुकड़ा पुरना वस्त्रके बेसी फाड़ि देत। जाहिस' ओ फटलाहा भूंड़ आओर बड़का भ' जाएत!22ओहिना, लोक नवका दाखरसके पुरना चमड़ाक थैलीमे नहि रखैत अछि। यदि एना करत त, नवका दाखरस ओहि चमड़ाक थैलीके फाड़ि देत, किएकत' जखन दाखरस उधियाएत त' थैली नहि फाटत। जाहि कारण, दाखरस आ चमड़ाक थैली दुनू नाश भ' जाएत। मुदा, लोकसबके नवका दाखरसके नवका चमड़ाक थैलीमे भरबाक चाही!”23यहूदीक विश्राम-दिन, यीशु अपन चेलासबके संग गहुमक' खेतके रस्तास' जाइत रहथि, जेना ओसब गहुमके खेतके रस्तास' जाइत रहथि, त' यीशुके चेलासब गहुमक' किछु बालि तोड़ए लागल। 24ओकरासबके एना करैत किछु फरिसीसब देखते यीशुके कहलनि, “ई देखियौ! ओसब विश्रामक दिन सम्बन्धित यहूदी व्यवस्थाके तोडै़त अछि। ओसब एना किएक करैत अछि जे उचित नहि अछि?”25यीशु ओकरासबके कहलथि, “की अहाँसब दाऊद आ ओकर लोकसबके विषयमे जे हुनकासंगे छलनि, ओहि पवित्र शास्त्रके कहियो नहि बढ़लहुं जखन ओ भुखाएल छल?26जहिया अबियातार मुख्य पुजारी रहथि, तहिया दाऊद परमेश्वरके मन्दिरमे जाक' रोटी मंगने रहए। मुख्य पुजारी ओकरा ओहिमेस' किछु रोटी देलकनि जे परमेश्वरके आगु राखल गेल छल। हमरासबके व्यवस्था अनुसार, ओ रोटी पुजारी मात्रे खा' सकैत छल! मुदा दाऊद ओहिमेस' किछु खएलक। फेरु ओहिमे किछु ओकरासबके देलनि जे हुनकासंग छल।” 27यीशु आगु ओकरासबके कहलथि, “परमेश्वर मानव जातिलेल विश्राम-दिन बनौने छथि। ओ मानव जातिपर बोझ होबएलेल विश्राम-दिन नहि बनौलथि।28एहिलेल, स्पष्ट अछि जे मनुष्यक पुत्र, विश्राम-दिनके सेहो प्रभु छथि!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.