Mark14

1सप्ताह भरि चलएबला यहूदी पर्व जेकरा ओसब फसहके पर्व कहैत छल से शुरुआत होबएमे दू दिन मात्र बांकी छल। ओहि समयमे ओसब एकटा आओर पर्व मनबैत छल जेकरा ओसब अखमीरी रोटीके पर्व कहैत छल। मुख्य पुजारीसब आ शास्त्रीसब आ आन लोकसब षड्यन्त्र रचि रहल छल जे यीशुके छल क' क' कोना पकड़ल जाए। ओसब रोमी अधिकारीसब लग हुनकापर आरोप लगाबए चाहैत छल जाहिस' ओसब हुनका मारि दैक।2ओसब एक-दोसरस' कहि रहल छल, “पर्वके समयमे हमरासबके ई काज नहि करबाक चाही, कारण जं एना करब त' लोक हमरासबपर क्रोधित भ' जाएत आ दंगा फसात भ' जाएत!”3यीशु बेतनिया गामके सिमोनके घरमे पाहुन छलाह, जे पहिने कोढ़िस' पीड़ित छल आ आब शुद्ध भ' गेल छल। ओसब भोजन करैत काल एकटा स्त्री यीशु लग आबि गेलीह। ओ अनमोल, सुगन्धित जटामसीस' बनल अनमोल, सुगन्धित इत्रस' भरल पत्थलके बर्तन लेने छलीह, ओ बर्तन खोलिक' यीशुके माथपर सबटा सुगन्धित इत्र उझलि देलनि।4ओत' उपस्थित किछु लोकसब पीताक' अपनामे बाजल, “ई बड्ड अधलाह बात अछि जे ई स्त्री ओहि सुगन्धित इत्रके नाश क' देलीह!5एहि इत्रके त' एक साल मजदूरीस' कमाएबला दाममे बेचल जा' सकैत छल, आ पाइ गरीबके देल जा' सकैत छल!” ओसब ओहि स्त्रीके डांटि देलक।6मुदा यीशु कहलथि, “ओकरा नहि डंटियौ! ओ जे कएलीह से हमरा उचित लागल अछि। ताहिके लेल अहाँ ओकरा परेशान नहि करियौ!7गरीबसब सदिखन अहाँसबसंगे रहत। तएं अहाँ जखन चाहब तखन ओकरा मदतिक' सकैत छी। मुदा हम एत' अहाँके संग बेसी दिन नहि रहब। 8ई उचित अछि जे ओ जे किछु क' सकैत छलीह से कएलीह। ई एना अछि जेना ओकरा बुझल रहए जे हम जल्दिए मरि जाएब आ हमर दफनाबएलेल हमर शरीरके अभिषेक क' देने होथि।9हम अहाँसबके ई सांच्चे कहैत छी: जत' कतौ एहि सारा संसारमे हमर सुसमाचार प्रचार होएत, ई स्त्रीके स्मरण करत जे काज ओ कएने छलीह सेहो चर्चा कएल जाएत।”10तखन यहूदा इस्करियोती मुख्य पुजारीसब लग गेल जे यीशुके पकड़बामे ओकरासबके मदति करबाक लेल ओकरासबस' बात करथि।11जखन मुख्य पुजारीसब सुनलनि जे ओ ओकरासबके लेल किछु करएलेल तैयार अछि त' ओसब गदगद भ' गेल। ओसब वचन देलक जे एहिके बदलामे धन देब। यहूदा मानि गेल, आ यीशुके ओकरासबके हाथमे सोंपबाक अवसर देखबए लागल।12ओहि पर्वके पहिन दिन, जेकरा ओसब अखमीरी रोटीके पर्व कहैत छल, जं फसहके पर्वलेल मेमनाके बलिदान करैत छल, त' यीशुक चेलासब हुनकास' पुछलक, “हमसब कत' फसह-पर्वके भोज तैयार करु से अहाँ चाहैत छी आ जाहिस' हमसब खा' सकी?” 13एहिलेल यीशु अपन दूटा चेलाके चुनलनि जे सबकिछु तैयार करए। ओ ओकरासबके कहलथि, “यरूशलेम नगरमे जाउ। पानिस' भरल घैला ल' क' जाइत व्यक्ति भेटत। ओकर पाछु जाउ।14जखन ओ एकटा घरमे प्रवेश करत त' ओहि घरके मालिकके कहबनि, ‘हमरासबके गुरु चाहैत छथि जे हमसब फसह-पर्वके भोज तैयार करी जे ओ अपन चेलासबके संग भोजन क' सकथि। हमरासबके ओ कोठली देखाउ।’ 15ओ अहाँके एकटा पैघ कोठली देखाओत जे घरके दूमहला पर होएत। ओहिमे दरी, भोजन करएबला टेबुल, आ हमरासबके खाएलेल ओसब चीज तैयार रहत। तखन हमरासबके लेल ओतहि भोज तैयार करु।”16एहिलेल, दुनू चेला चलि गेलाह। शहर गेलाके बाद ओकरासबके सबकिछु ओहिना भेटल जेना ओ कहने छलथि। तब ओसब फसह-पर्वके लेल भोज तैयार कएलक।17जं सांझ भेल त' यीशु अपन बारहो चेलासबके संग ओहि घरमे पहुंचलथि।18जखन ओसब भोजन क' रहल छलाह त' यीशु कहलथि, “सांच्चे ई बात ध्यानस' सुनू जे अहाँसबमेस' केओ एकगोटे हमरा पकड़ाबएमे मदति करत। ओ अहाँसबमेस' एक केओ छी जे एहि समयमे हमरासंगे भोजन क' रहल छी!” 19चेलासब बहुत दुखित भ' गेलनि, आ एक-एकक' यीशुके कहलकनि, “अहाँके धोखा देबएबला हमहीं त' नहि छी?”20तखन ओ ओकरासबके कहलथि, “अहाँ बारहो चेलासबमेस' एकगोटे छी जे हमरासंगे थारीमे रोटी खाइत अछि।21ई निश्चय अछि जे हम, मनुष्यक पुत्र मरब, किएकत' प्रवक्तासब हमरा विषयमे एहने लिखने छथि। मुदा ओहि आदमीके भयंकर सजाय भेटत जे छल क' क' हमरा पकड़ाबएमे मदति करत! बल्कि, ओहि आदमीके लेल नीक रहितै जे ओकर जन्मा नहि भेल रहितैक!”22ओसब भोजन करैत काल यीशु एकटा रोटी ल' क' परमेश्वरके धन्यवाद देलथिन। तब ओ रोटी तोड़िक' ओकरासबके द' क' कहलथि, “ई रोटी हमर देहके देखबैत अछि। एकरा लिअ आ खाउ।”23तेकरबाद ओ दाखरसस' भरल कटोरा ल' क' परमेश्वरके धन्यवाद देलथिन। तखन ओ अपन चेलासबके देलथिन आ सबकेओ ओहि कटोरामेस' पीबि लेलनि।24यीशु अपन चेलासबके कहलथि, “ई दाखरस हमर लेहूके देखबैत अछि, जे हमरा पकड़एबलासब द्वारा हमरा मारलापर हमर शरीरस' बहएबला अछि। एहि लेहूस' हम ओहि प्रतिज्ञाके पूरा करब जे परमेश्वर बहुत लोकके पाप क्षमा कर' लेल कएने छलाह। 25हम चाहैत छी जे अहाँसब ई सांच्चे जानि लिअ, जाधरि परमेश्वरके राज्य नहि आओत ताधरि हम फेरु अंगूर बगानके रस नहि पीबि।”26ओसब परमेश्वरके स्तुतिमे गीत गएलाके बाद यीशु आ हुनकर चेलासब जैतूनके पहाड़ दिस चलि गेलाह।27जखन ओसब बाटमे छलनि त' यीशु अपन चेलासबके कहलथि, “जकरयाह प्रवक्ता पवित्र शास्त्रमे लिखने छथि जे परमेश्वर हमरा विषयमे कहने छलाह, ‘हम चरबाहके मारिक' ओकर भेंड़ासबके छिड़िया देब।’ ई सबटा बात पूरा होएत। अहाँसब हमरा छोड़िक' भागि जाएब।28मुदा, जखन परमेश्वर हमरा फेरुस' जीवित करतथि, त' हम अहाँसबस' आगु गलीलके नगरमे जाक' अहाँसबस' ओत' भेट करब।”29पत्रुस यीशुके कहलनि, “आन चेलासब अहाँके छोड़ि सकैत अछि, मुदा हम नहि! हम अहाँके छोड़िक' नहि जाएब!”30तखन यीशु पत्रुसके कहलथि, “सत्य ई अछि जे आइए रातिमे मुर्गा दू बेर बांग देबएस' पहिने अहाँ हमरा विषयमे कहब जे हम अहाँके नहि चिन्हैत छी।”31मुदा पत्रुस दृढ़तापूर्वक उत्तर देलनि, “ओसब हमरा मारि किएक ने दैक, मुदा हम कहियो नहि कहब जे हम अहाँके नहि चिन्हैत छी।” आन चेलासब सेहो इएह बात कहलक।32यीशु आ हुनकर चेलासब गतसमनी नामके स्थानपर गेलाह। यीशु अपन किछु चेलासबके कहलथि, “हम प्रार्थना करैत काल एतहि रहू!”33ओ पत्रुस, याकूब आ यूहन्नाके अपनासंगे ल' गेलथि। यीशु बहुत भावुक भ' क' व्याकुल भ' गेलथि।34ओ हुनकासबके कहलथि, “हमर मन आत्मामे बहुत दुखित छी। जेना हम मरएबला छी। अहाँसब एतहि रहू आ जागल रहू!” 35यीशु कनिए आगु जाक' जमीनपर पसरिक' आ प्रार्थना कएलथि जं सम्भव होअए त' हुनका कष्ट नहि भोगए पड़ए।36ओ कहलथि, “हे हमर पिता, अहाँसब काज करएमे सक्षम छी, तएं हमरा बचाउ जे हमरा कष्ट नहि भोगए' पड़ए! तइयो हमर इच्छा नहि बल्कि, अहींके इच्छा पूरा होअए!”37तब यीशु ओहि ठाम घुरि अएलाह जत' ओ पत्रुस, याकूब आ यूहन्नाके छोड़िक' गेल छलथि। ओ चेलासबके सुतल पओलनि। ओ ओकरासबके जगाक' आ पत्रुसके कहलथि, जेकरा सिमोन सेहो कहैत छलाह, “यौ सिमोन! हम निराश छी जे अहाँ सुति रहली, आ अहाँ कनिको काललेल जागल रहएमे समर्थ नहि भेलहुं!”38तखन यीशु ओकरासबके कहलथि, “अहाँसब हम जे कहैत छी से कर' चाहैत छी, अहाँसबके आत्मा त तैयारे अछि मुदा शरीरमे ओतेक सामर्थ्य नहि अछि। जगले रहू आ प्रार्थना करैत रहू, जाहिस' जं अहाँ परीक्षामे नहि पड़ी!”39तब ओ फेरुस' जाक' पहिनहि जकां प्रार्थना कएलथि।40यीशु जं घुरलनि, ओ ओकरासबके फेरु सुतल देखलनि; ओसब एतेक औंघाएल रहए जे आंखि धरि नहि खोलि सकैत छल। लाज भेलाके कारणे ओकरासबके जगबैत काल हुनका की कहब से नहि बुझल छलनि।41तखन यीशु जाक' एकबेर फेरु प्रार्थना कएलनि। तेसर बेर घुरिक' अएलथि आ ओकरासबके फेरु सुतल देखलनि। ओ ओकरासबके कहलथि, “हम निराश छी जे अहाँसब फेरु सुति रहल छी! अहाँसब बड्ड सुति रहली। हमरालेल दुखक समय शुरु होबएबला अछि। देखू! केओ पापी आदमी हमरा अर्थात् मनुष्यक पुत्रके पकड़एमे सहायता करएबला अछि।42तएं उठू! आउ चलू! देखू! ओ एतहि अछि जे हमरा पकड़बाबएमे सहायताक' रहल अछि!”43यीशुके बजैतकाल यहूदा पहुंचलनि। भलेहि ओ बारह चेलामेस' एक छल, मुदा यीशुके पकड़बाबएमे सहायता करएलेल आएल छल। ओकरासंगे लाठी आ तरुआरि लेने आदमीके भीड़ सेहो छल। ओकरासबके शास्त्रीसब आ यहूदी महासभाके प्रमुखसब, बूढ़-पुरान आ मुख्य पुजारीसब पठौने छलनि।44यहूदा, जे यीशुके पकड़बाबएमे मदतिक' रहल छल, ओ पहिनेस' भीड़के कहि देने रहए, “हम जाहि व्यक्तिके चुमिलेब ओ ओएह व्यक्ति रहत जेकरा अहाँसब ताकि रहल छी। हम हुनका चुमिलेब त' हुनका पकड़ि लेब, आ सावधानीपूर्वक हुनका पहरा द' क' ल' जाएब।”45जं यहूदा पहुंचल त' तुरन्त यीशु लग आबि कहलनि, “हमर गुरुजी!” आ ओ यीशुके चुमि लेलक।46तेकरबाद भीड़ यीशुके पकड़िक' बन्दी बना लेलक।47मुदा लगमे ठाढ़ हुनकर एकटा चेला, अपन तरुआरि निकालि लेलक। ओ मुख्य पुजारीके दासपर आक्रमण कएलक, मुदा ओ ओहि दासके कान मात्र काटि सकल।48यीशु ओकरासबके कहलथि, “ई बहुत आश्चर्यक बात अछि जे अहाँसब हमरा पकड़एलेल तरुआरि आ लाठी ल' क' एना आएल छी जेना हम कोनो डाकू रही।49हम अहाँसबके संग बहुत दिन धरि परमेश्वरके भवनके प्रांगणमे लोकसबके शिक्षा दैत रहलहुं। तब हमरा पकड़बाक प्रयास किएक नहि कएलहुं? मुदा एना एहिलेल भेल जाहिस' प्रवक्तासब जे हमरा विषयमे पवित्र शास्त्रमे लिखने छलथि से पूरा भ' सकए।”50तखन यीशुके चेलासब हुनका छोड़िक' भागि गेलनि।51ओहि समयमे एकटा युवक यीशुके पाछु-पाछु चलि रहल छल। देहपर मात्र मलमलके वस्त्र पहिरने छलनि। भीड़ ओहि युवकके पकड़ि लेलक,52मुदा, जखन ओ स्वयंके ओकरासबके पकड़स' बाहर निकालि लेलनि, तब ओकर मलमलके वस्त्र ओकरासबके हाथमे रहि गेल, आ तखन ओ नग्न अवस्थामे भागि गेल।53यीशुके पकड़ने लोकसब हुनका ओहि घरमे ल' गेलनि जत' मुख्य पुजारी रहैत छलनि। यहूदी महासभाके सब सदस्य, बूढ़-पुरान आ शास्त्रीसब ओतहि जम्मा भेल छल।54पत्रुस किछु दूरी बनाक' यीशुके पाछु-पाछु गेल। ओ ओहि घरके आंगनमे गेलाह जत' मुख्य पुजारी रहैत छलनि आ ओतहि मुख्य पुजारी घरके पहरदार सब संगे बैसि गेल। ओ आगि तापि रहल छल।55मुख्य पुजारी आ महासभाके लोकसब एहन लोकसबके तकबाक' प्रयास कएलनि जे यीशुके विषयमे झूठ गवाही द' सकए, जाहिस' रोमी अधिकारीसबके हुनका मृत्युदण्ड देबएलेल मनाओल जा सकए। ओसब एहिमे सफल नहि भ' सकलनि।56बहुत लोक यीशुके विषयमे झूठ गवाही देलक, मुदा ओसब जे बात कहलनि से एक-दोसरस' मेल नहि खाइत छल।57अन्तमे किछु लोक ठाढ़ भेल आ यीशुपर झूठ आरोप लगबैत कहलक,58“हमसब एकरा ई कहैत सुनलहुं, ‘हम एहि मानव निर्मित भवनके नाश क' देब, आ फेरु तीन दिनमे अहाँसबके सहायता बिना दोसर भवन बना देब।’”59मुदा ई लोकसब जे गवाही देलनि से बांकी लोकके गवाहीसंग मेल नहि खाइत छल।60तखन मुख्य पुजारी हुनका आगु ठाढ़ भ' यीशुके कहलनि, “की अहाँ हुनकासबके बातके उत्तर नहि देब?” जे बात ओसब अहाँपर आरोप लगा रहल अछि, ताहिपर अहाँ की कहैत छी?61मुदा यीशु चुप रहलथि आ कोनो उत्तर नहि देलथिन। तब मुख्य पुजारी फेरुस' प्रयास कएलनि। ओ हुनकास' पुछलनि, “की अहाँ मसीह छी? की अहाँ कहैत छी जे अहाँ परमेश्वरक पुत्र छी?”62यीशु कहलनि, “हमहीं छी। संगहि, अहाँ हमरा अर्थात् मनुष्यक पुत्रके सर्वशक्तिमान परमेश्वरके बगलमे शासन करैत देखब। अहाँ हमरा आकाशके मेघमेस' उतरैत देखब!” 63यीशुके बातके उत्तरमे मुख्य पुजारी अपन उपरका वस्त्र फाड़िक' कहलनि, “हमरासबके निश्चय एहि आदमीके विरुद्ध गवाही देबाक लेल आओर गवाहके आवश्यकता नहि अछि!64अहाँसब एकर परमेश्वर होएबाक निन्दा करएबला दाबी सुनलहुं!” ओसब एहि बातपर सहमत भ' गेल जे यीशु दोषी छथि आ मृत्यु दण्डके हकदार छथि। 65तेकरबाद किछुगोटे हुनकापर थूकए लागल। ओसब हुनका आंखिपर पट्टी बान्हि देलक, आ हुनका मारए लागल आ कहलक, “अहाँ जं प्रवक्ता छी त' कहू जे अहाँके के मारलक!” यीशुके पहरा देनिहार सिपाहीसब अपन हाथस' मारलक।66जखन पत्रुस मुख्य पुजारी घरके बाहर आंगनमे छलनि त' मुख्य पुजारी लेल काज करएबाली एकटा नोकरनी ओकरा लग आबि गेलीह।67जं ओ पत्रुसके आगि तापि रहैत देखलक त' ओ बड्ड ध्यानस' ओकरा दिस देखलीह। तब ओ कहलीह, “अहाँ सेहो नासरतके यीशुके संग छलहुं!”68मुदा पत्रुस एहि बातके खण्डण करैत कहलनि, “हम नहि जनैत छी आ हमरा नहि बुझल अछि जे अहाँ की बाजि रहल छी!” तखन ओ ओत' स' हटि क' आंगनके द्वार दिस चलि गेलनि आ मुर्गा बांग देलक।69हुनका ओतहि देख दासी फेरुस' लगमे ठाढ़ लोकसबके कहलीह, “ई आदमी ओहि आदमीमेस' एक अछि जेकरा ओसब बंदी बना लेने अछि।”70मुदा ओ फेरु मना क' देलनि। किछु समयके बाद ओत' ठाढ़ लोकसब फेरुस' पत्रुसके कहलनि, “अहाँ जाहि तरहें बातक' रहल छी, ताहिस' ई बुझाति अछि जे अहूं गलीलवासी छी। तएं ई बात सत्य अछि जे अहाँ सेहो ओहि आदमीमेस' एक छी जे यीशुके संगी छलनि!”71मुदा ओ कहलनि, “अहाँ जाहि आदमीके बातक' रहल छी, तेकरा हम नहि चिन्हैत छी! कारण परमेश्वर जनैत छथि जे हम सांच कहैत छी, आ जं हम झूठ बाजि रहल छी त' ओ हमरा सजाय देथि!”72ठीक ओहि समय मुर्गा दोसर बेर बांग देलक। तब पत्रुसके मोन पड़लनि जे यीशु हुनका पहिने कहने छलथि, “मुर्गा दोसर बेर बांग देबएस' पहिने अहाँ हमरा तीनबेर एहि बातस' अस्वीकार करब जे अहाँ हमरा नहि चिन्हैत छी।” जखन पत्रुसके ई बुझएमे आएल जे ओ तीनबेर यीशुके नकारने छी त' ओ बहुत दुखित भ' गेलनि। आ पत्रुस कानए लागल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67