Mark13
1यीशु परमेश्वरके भवनस' बाहर निकलैत काल हुनकर एकटा चेला हुनका कहलनि, “यौ गुरु, देखू, देवालमे विशाल काटल गेल पत्थल कतेक सुन्दर अछि आ ई मकानसब कतेक सुहावनि अछि!”2यीशु ओकरासबके कहलथि, “हं, अहाँसब जे मकानसब देखैत छी से अद्भुत अछि मुदा हम अहाँसबके एहि विषयमे किछु कहए चाहैत छी। विदेशी आक्रमणकारी एकरासबके एनाक नाश क' देत जे एहि मन्दिर क्षेत्रमे एकटा पत्थलके उपर कोनो पत्थल नहि रहि जाएत।”3जखन ओसब परमेश्वरके भवनके आगु समतल भाग पार करैत जैतूनके पहाड़पर पहुंचलाह त' यीशु बैसि गेलाह। जखन पत्रुस, याकूब, यूहन्ना आ अन्द्रेयास हुनकासंग एकान्तमे रहए त' ओसब हुनकास' पुछलनि,4“हमरासबके ई कहू जे परमेश्वरक योजनासब कहिया पूरा होएत? कोन-कोन बातके चेन्ह होएत जे हमसब बुझिलेब जे ईसब होबएबला अछि?”5यीशु ओकरासबके कहलथि, “सावधान रहू जे किछु होबएबला अछि, ताहिमे केओ अहाँसबके भरमाबए नहि!6बहुते लोक हमर नामस' आओत, आ सबकेओ इहे दाबी करत जे हम ओएह छी। सब अपना विषयमे कहत, ‘हम मसीह छी!’ ओ बहुते लोकके भरमाओत।7जखन-कखनो लोक अहाँके ओहि युद्धके विषयमे कहत जे भ' रहल अछि तखन स्वयंके परेशान नहि होबए' देब। ई सबबात निश्चितरुपस' होएत। मुदा जखन ओसब होएत त' तखने ई दुनियांके अन्त नहि बुझब!8अलग-अलग देशमे रहनिहार समूह एक-दोसरस' लड़त, आ अलग-अलग सरकार सेहो एक-दोसरस' लड़त। अलग-अलग जगहपर भूकम्प आओत आ अकाल पड़त। जखन ईसब होएत त' ओहि समयमे लोकके कष्टक शुरुवाते रहत। ई पहिन बात जे ओसब सहैत रहत, ओ ओहिना होएत जेना कोनो स्त्री अपन पहिन बच्चाके जन्म देबएबला पहिन प्रसव-पीड़ा स' गुजरैत अछि। तेकरबाद ओकरासबके आओर बेसी पीड़ा होएत।9ओहि समयमे लोक अहाँसबके संग जे करत, ताहिके लेल तैयार रहू। अहाँ हमरापर विश्वास करैत छी, तएं अहाँके पकड़िक' धर्म सभाके समक्ष मुकदमा चला देत। दोसर लोक सभाघरमे अहाँसबके मारिपीट करत। राजा आ उच्च सरकारी अधिकारीके उपस्थितिमे लोकसब अहाँसबपर मुकदमा लगा देत। जेकर परिणाम, अहाँ हुनकासबके हमरा विषयमे गवाही द' सकब।10परमेश्वर अपन योजनाके पूरा कर' स' पहिने हमर चेलासबके सब जातिमे सुसमाचार प्रचार करए पड़त।11जखन लोक अहाँके मुकदमा चलाब' लेल पकड़ि लेत, तखन अहाँ की कहब एहि बातके चिन्ता नहि करु। बल्कि ओहि समय परमेश्वर जे किछु अहाँसबके हृदयमे रखथिन सेहे बाजू। ओहि समयमे बाजएबला अहाँ नहि मुदा पवित्र आत्मा अहाँद्वारा बजताह।12जे हमरापर विश्वास नहि करैत अछि, ओ दोसरोके अपन भाइ-बहिनके बंदी बनाबएमे मदति करत, जाहिस' सरकार ओकरा मृत्युदण्ड द' सकए। किछु माय-बाबू अपन बच्चाके संग धोखा करत आ किछु बच्चा अपन माय-बाबूके संग धोखा करत जाहिस' सरकारी अधिकारी हुनकर माय-बाबूके हत्या क' देत। 13अहाँसब हमरा नामपर विश्वास कएलाक कारणे बहुते लोक अहाँसबस' घृणा करत। मुदा परमेश्वर अहाँसबके उद्धार करताह जे हमरापर दृढ़तापूर्वक विश्वास करैत छी।14ओहि समयमे ओ घृणित वस्तु परमेश्वरके भवनमे प्रवेश करत। ओ परमेश्वरके भवनके अशुद्ध क' देत आ लोकके ओकरा त्यागलेल प्रेरित करैत रहत। ओकरा ओत' देखब जत' ओकरा नहि रहबाक चाही, त' भागि जाउ! जे केओ ई बात पढ़त से एहि चेतावनी पर ध्यान दिऔ! ओहि समयमे यहूदियाके लोकसब पहाड़ दिस भागि जाइक।15जे घरस' बाहर अछि, ओकरासबके किछु लेब' लेल अपन घरके छतपर प्रवेश नहि करए।16जे खेतमे काज क' रहल अछि, ओकरा फाजिल कपड़ा लेबएलेल अपन घर लौटक' नहि आब' चाही।17जं एना होएत, त' गर्भवती महिला आ जे अपन बच्चाके दूध पियवैत होए, ओकरालेल ई कतेक भयावह होएत।18ओहि दिनमे लोकके बहुत कष्ट होएत। परमेश्वर जहियास' संसारके सृष्टि कएने छथि, तहियास' एखन धरि लोकके एहन कष्ट कहियो नहि भेल छलनि, आ फेरु कहियो लोकके एहन कष्ट नहि होएत। तएं प्रार्थना करु जे ई कष्टदायक समय जाढ़के समयमे नहि होअए जाहिमे यात्रा कठिन होएत।20जं प्रभु परमेश्वर एहि समयके कम करबाक निर्णय नहि लेने रहितथि त' लोकसबके बहुत कष्ट भोगए पड़तैक, कोनो प्राणी नहि बंचि सकैत आ सबलोक मरि जएतैक। मुदा ओ ओहि समयके कम करबाक निर्णय लेलनि, कारण हुनका अपन चुनल लोकके चिन्ता छलनि।21ओहि समयमे लोक झूठ बाजिक' कहत जे हम मसीह छी। आ किछुगोटे परमेश्वरके प्रवक्ता होएबाक दाबी करैत देखल जाएत। ओहि समयमे झुट्ठा मसीह जे झुट्ठा प्रवक्ता अछि बहुते चमत्कार करताह। परमेश्वर जेकरा चुनने छथि, तेकरा सेहो धोखा देब' के प्रयास करत। ओहि समयमे जं केओ अहाँके कहैत अछि जे ‘देखू, मसीह एत' छथि!’, वा केओ कहैत अछि जे ‘देखू, ओत' छथि!’, त' विश्वास नहि करु! 23सतर्क रहू! मोन राखू जे हम अहाँसबके ई सबबात होबएस' पहिने चेतौने छी!24ओहि समयके बाद जखन लोकसब एहि प्रकारके कष्ट उठाओत, तखन परमेश्वर सूर्यके अन्हार क' देताह आ चन्द्रमा नहि चमकत। 25परमेश्वर आकाशके तरेगनसबके खसा देताह, आ सौंसे आकाश मण्डलके ओकर अपन स्थानस' हिला देथिन। 26तखन लोक हमरा, मनुष्यक पुत्रके मेघमे पराक्रमी रुपमे आ महिमामे आबि रहल देखतैक। 27तखन हम अपन स्वर्गदूतसबके पठाएब जे ओ लोकसबके जम्मा करत, जेकरा परमेश्वर पृथ्वीके दूर-दूर धरिस' चुनने छथि। 28आब हम चाहैत छी जे अहाँसब किछु दृष्टान्त सिखू जे अंजीरक गाछ कोना बढ़ैत अछि। जखन एकर ठाढ़ि मोलायम भ' जाइत अछि आ पता निकल' लगैत अछि तब बुझि जाइछी जे गर्मी आबए लागल अछि।29तहिना, जखन अहाँ ईसब देखब जे हम एखन कहलहुं, तब अहाँसब बुझि जाएब जे हमर लौटबाक' समय बहुत लग आबि गेल अछि। जेना हम दुआरिपर ठाढ़ छी। 30सांच्चे एहि बातके मन राखू: जाधरि ई सबबात नहि होएत ताधरि ई पिढ़ी नहि मरत।31अहाँसब निश्चिन्त भ' सकैत छी जे हम भविष्यवाणी कएलहुं से सब घटित होएत। पृथ्वी आ आकाशमे जे किछु अछि, से एकदिन नाश भ' जाएत, मुदा हम जे बात अहाँसबस' कहने छी से अवश्य पूरा होएत ।32मुदा हम कहिया घुरब से ठीक समय केओ नहि जनैत अछि। स्वर्गके स्वर्गदूत नहि जनैत अछि। हम परमेश्वरके पुत्र सेहो नहि जनैत छी। मात्र हमर पिता जनैत छथि।33तएं तैयार रहू! सदिखन सचेत रहू आ प्रार्थना करैत रहू, कारण अहाँके नहि बुझल अछि जे हम कहिया लौटब!34ई एहन होएत। जखन कोनो दूर देश जएबाक इच्छा रखने आदमी अपन घरस' बाहर निकलएबला अछि त' ओ अपन दाससबके आदेश दैत अछि जे घरके देखभाल करए पड़त। ओ प्रत्येक दासके अधिकार देलथिन जे ओकरासबके की करबाक चाही। तखन ओ पहरा देनिहारके कहैत छथि जे हुनकर लौटबाक लेल तैयार रहू।35ओहि लोकके सदिखन तैयार रहबाक चाही, किएकत' ओकरा ई नहि बुझल छै जे ओकर घरके मालिक सांझमे, आधा रातिमे, भोरमे जखन मुर्गा बांग देत, वा भोरमे सूर्यके उदय पश्चात घुरि अओताह। तहिना अहाँके सदिखन तैयार रहबाक चाही, कारण अहाँके नहि बुझल अछि जे हम कखन घुरब।36कहि एना नहि होअए जे हमरा अचानक घुरलापर अहाँसब तैयार नहि रही!37ई बात जे हम अहाँ चेलासबके कहि रहल छी से सबस' कहि रहल छी, सदिखन तैयार रहू!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.