Mark12
1फेरु यीशु यहूदी अगुवासबके एकटा एहन दृष्टान्त सुनौलथि जाहिमे एकटा सबहक रहए। ओ कहलथि, “एकटा आदमी अंगूर बगान लगओलक। ओ सुरक्षाके लेल चारुकात टाट सेहो लगएलक। अंगूर गाछक जे रस निकलैत छल ओकरा जम्मा करबाक लेल पत्थलके नमहर कुण्ड बनौलक। ओ अंगूर बगानके रखबारी करबाक लेल एकटा मचान सेहो बनौलक। ओ अंगूर बगानके किछु लोकके बटैयामे द' देलक जे ओकर देखभाल करए, आ ओ दोसर देशके यात्रापर निकलि गेलाह। 2जखन अंगूर तोड़बाक समय भेल, त' अंगूर बगानके मालिक एकटा दासके अपन अंगूर बगानके रखबार लग पठौलनि, कारण ओ अंगूरक बगीचामेस' अपन हिस्साके उपजा ओकरासबस' लेब' चाहैत छलाह।3मुदा, ओ दास जखन पहुंचल, त' ओकरा पकड़िक' पिटलक, आ ओसब ओकरा किछु फल नहि देलक। तेकरबाद ओ ओकरा भगा देलक।4बादमे मालिक अपन दास सबमेस' दोसर दासके ओकरा लग पठौलनि। मुदा ओसब ओकर माथ फोड़िक' अपमानित क' देलक।5बादमे मालिक दोसर दास पठौलनि। अंगूरक बगीचाके रखबारसब ओहि आदमीके मारि देलक। ओसब आन कतेको दाससबके संग सेहो दुर्व्यवहार कएलक जेकरा ओ पठौने छलनि। केकरो पिटलक आ केकरो मारि देलक।6ओहि मालिक लग एकटा आओर आदमी छल, जे ओकर प्रिय पुत्र छल, जेकरा ओ बहुत प्रेम करैत छलनि। तएं अन्तमे ओ अपन बेटाके ओकरासबलग पठौलनि, कारण हुनका लगलनि जे ओसब हुनकर बेटाके चिन्ह लेत आ ओकरासंगे नीक व्यवहार करत।7मुदा, जखन अंगूरक बगीचाके रखबारसब हुनकर बेटाके अबैत देख, एक-दोसरके कहलनि, ‘देखू! ई मालिकके बेटा अछि, जे कहियो ई अंगूरक बगीचाके उत्तराधिकारी होएत! तएं ओकरा मारि देब त' अंगूरक बगीचा अपनेसबके भ' जाएत!’8ओसब मालिकके बेटाके पकड़िक' मारि देलक। तखन ओकर लासके अंगूर बगानके बाहर फेक देलक।9तएं हम अहाँसबके कहैत छी जे अंगूर बगानके मालिक की करत। ओ आबिक' ओहि दुष्ट लोकसबके मारि देत। जे ओकर अंगूरक बगीचाके देखभाल क' रहल छल। तखन ओहि अंगूरक बगीचाके देखभाल आन लोकके द' देबएके व्यवस्था करताह।10की अहाँसबके नहि बुझल अछि जे पवित्र शास्त्रमे की कहल गेल अछि? भवन बनाबएबला लोक जाहि पत्थलके उपयोग करएस' मना क' देलक। मुदा प्रभु ओहि पत्थलके अपन उचित स्थानपर राखि देलनि आ ओ भवनमे सबस' महत्वपूर्ण पत्थल बनि गेलै!11ई काज प्रभु परमेश्वरे कएने छथि, आ हमसब एहि बातपर आश्चर्यचकित छी।” 12तखन यहूदीसबके अगुवासबके ई बुझएमे आबि गेलै जे ओ ओकरासबपर आरोप लगाबि रहल छथि जखन ओ ई दृष्टान्त सुनौलनि जे ओ दुष्टलोकसब की कएने छलनि। तएं यहूदी अगुवासब हुनका पकड़ए चाहैत छल, मुदा ओकरासबके डर लगैत छलनि जे जं यहूदी अगुवासब ओना करत त' भीड़ ओकरासबके संग की करत। तएं ओसब हुनका छोड़िक' चलि गेलनि।13यहूदी अगुवासब किछु फरिसीसबके यीशु लग पठौलनि। ओसब ओहि दलके किछु सदस्यके सेहो पठौलक जे हेरोद अंतिपास आ रोमी सरकारके समर्थन करैत रहए। ओसब यीशुके फंसाब' चाहैत छल; ओसब यीशुस' एहन बात कहबाब' चाहैत रहए जे ओकरासबके एकटा समूह हुनकापर क्रोधित भ' जाए जाहिस' ओसब हुनकापर आरोप लगा सकथि।14ओसब जखन पहुंचल त', ओकरासबमेस' एकगोटे यीशुस' कहलनि, “यौ गुरु, हमसब जनैत छी जे अहाँ सत्य मात्रे सिखबैत छी। हमसब इहो जनैत छी जे लोकसबके विचारस' अहाँपर कोनो असर नहि पड़ैत अछि बल्कि, अहाँ सांच्चेके लोकके सिखबैत छी जे परमेश्वरके मार्ग की अछि; अहाँ ओकरासबके सामाजिक उपाधि प्रति सम्मान नहि देखबैत छी। तएं एहि विषयमे अहाँके की विचार अछि से कहू: की ई ठीक अछि जे व्यवस्था अनुसार हमसब रोमी सरकार कैसरके कर दी? की कर देबाक चाही, वा नहि?”15यीशु ओकरासबके कपट जनैत छलाह जे ओसब वास्तवमे ई जानए नहि चाहैत अछि जे परमेश्वर ओसब की करए से चाहैत छथि। तएं ओ ओकरासबके कहलथि, “हमरा बुझल अछि जे अहाँसब चाहैत छी जे हम किछु एहन बात करी जाहिपर अहाँसब हमरा दोषी ठहरा सकैत छी। हमरालग एकटा दीनार आनि दिअ जाहिस' हम ओकरा देख सकी।”16जखन ओसब हुनकालग एकटा सिक्का अनलकनि, त' ओ ओकरासबस' पुछलथि, “एहि सिक्कापर केकर चित्र अछि?” आ ओहिपर केकर नाम अछि? ओसब उत्तर देलनि, “एहिपर रोमी शासक कैसरके चित्र आ नाम अछि।”17यीशु ओकरासबके कहलथि, “जे कैसरके अछि से कैसरके दिऔ आ जे परमेश्वरके अछि से परमेश्वरके दिऔ।” हुनकर कहल बातस' ओसब आश्चर्यचकित भ' गेलाह।18सदुकीसबके समूह ई बात नहि मानैत छल जे लोक मरलाके बाद फेरुस' जीवित होइत अछि। लोक फेरुस' जीवित भ' जाएत ताहि विचारके उपहास क' क' यीशुके बदनाम करबाक लेल, किछुगोटे हुनकालग आबिक' हुनकास' पुछलनि, 19“यौ गुरु, मूसाके व्यवस्थाके अनुसार जे जं कोनो आदमी बच्चा जन्मएने बिना मरि जाए, त' ओकर भाइके ओहि मृतकके विधवास' विवाह करबाक चाही। तखन जं दुनूगोटे सन्तान पैदा करत त' सबलोक इहे सोंचत जे ओ ओहि मृतकके सन्तान अछि, आ एहि तरहें मृतकके वंश चलैत रहत। 20तएं एकटा उदाहरण अछि: एक परिवारमे सात भाइ छलनि। जेठ भाइ एकटा स्त्रीस' विवाह कएलक, मुदा ओकरास' ओकर पत्नीके कोनो सन्तान नहि भेलनि। आ बादमे ओकर मृत्यु भ' गेलनि।21दोसर भाइ ओहि स्त्रीस' विवाह क' लेलक आ ओकरो कोनो सन्तान नहि भेल। आ बादमे ओकरो मृत्यु भ' गेलनि। तेसर भाइ सेहो ओहिना कएलक जेना दोसर भाइ कएने रहए। मुदा ओहो कोनो सन्तान नहि पैदा क' सकलनि, आ बादमे मरि गेलनि।22बादमे ओ सातो भाइ बेरा-बेरीक' ओहि स्त्रीस' विवाह कएलनि, मुदा ओकरासबमेस' केकरो कोनो सन्तान नहि भेलनि आ ओसब एक-एकक' मरि गेलनि। बादमे ओ स्त्री सेहो मरि गेलीह।23जहिया लोक फेरुस' जीवित होएत त' ओ स्त्री केकर पत्नी होएतीह? मोन राखू जे ओहि सात भाइस' ओहि स्त्रीके विवाह भेल रहए!”24यीशु ओकरासबके उत्तर देलथिन, “अहाँसब गलत छी। पवित्र शास्त्र एहि विषयमे की सिखबैत अछि से अहाँके नहि बुझल अछि। अहाँ परमेश्वरक शक्तिके नहि जनैत छी जे लोकके फेरुस' जीवित क' सकैत छथि।25ओ स्त्री ओहि भाइमेस' कोनो भाइके पत्नी एहिलेल नहि बनतीह, किएकत' जहिया लोकसब फेरुस जीबि उठत त' पुरुषके पत्नी आ स्त्रीके पति रखबाक बदला स्वर्गके स्वर्गदूत जकां भ' जाएत। आ स्वर्गदूतसब विवाह नहि करैत अछि।26मुदा, हम लोकसबके मरलाके बाद फेरुस' जीवित होएत से बात कहए' दिअ। मूसा जे पुस्तक लिखने छथि, ओहिमे ओ किछु एहन लोकके विषयमे कहलनि जे मरि गेल छथि, हमरा विश्वास अछि जे अहाँसब पढ़ने होएब। मूसा जखन जरैत झाड़ी दिस तकैत छलाह, त' परमेश्वर हुनका कहलथि, ‘हम ओ परमेश्वर छी जिनकर आराधना अब्राहम, इसहाक आ याकूब करैत छथि।’ परमेश्वर एना नहि कहने रहितैक यदि ओ ओकरासबके फेरुस जीवित नहि कएने रहितैक आ यदि ओ ओकरासबके एखनोधरि परमेश्वर नहि रहथि। 27परमेश्वरके आराधना मृत लोकद्वारा नहि कएल जाइत अछि। जीवित लोक हुनकर आराधना करैत अछि। तएं जखन अहाँ कहैत छी जे मृतक फेरु जीवित नहि होइत अछि त' अहाँ बहुत गलत छी।”28एकटा शास्त्री हुनकर बात सुनलनि। ओ जनैत रहए जे यीशु सदुकीसबके प्रश्नके उत्तर बहुत नीक जकां देने छथि। तएं ओ आगु आबिक' यीशुस' पुछलक, “कोन आज्ञा सबस' बेसी महत्वपूर्ण अछि?”29यीशु उत्तर देलथिन, “सबस' महत्वपूर्ण आज्ञा ई अछि: जे ‘यौ इजराएलके लोक, सुनू! प्रभु हमर परमेश्वर, ओ एकमात्र हमरासबके परमेश्वर छथि। 30अहाँसब अपन प्रभु परमेश्वरस' प्रेम करबाक चाही, जे किछु अहाँ चाहैत छी, अनुभव करैत छी, मनमे जे सोंचैत छी आ सब काजमे अहाँके प्रेम करबाक चाही!’ 31दोसरसबस' महत्वपूर्ण आज्ञा ई अछि: ‘अहाँके अपन पड़ोसीस' ओतबे प्रेम करबाक चाही जतेक अहाँ स्वयंस' प्रेम करैत छी।’ एहि दुनूस' बेसी कोनो आज्ञा महत्वपूर्ण नहि अछि!” 32ओ शास्त्री यीशुके कहलनि, “यौ गुरु, अहाँ नीक उत्तर देलहुं। अहाँ सत्य कहैत छी जे परमेश्वर एकमात्र परमेश्वर छथि, आ दोसर केओ परमेश्वर नहि छथि।33अहाँ इहो ठीके कहलहुं जे हमरासबके परमेश्वरस' सारा मन, आ सारा बुद्धि, आ सारा प्राण, आ सारा शक्तिस' प्रेम करब; आ पड़ोसीसंगे अपने जकां प्रेम करब, सब होमबलि आ बलिदानसब चढ़ाबएस' बेसी ईसब काज कएलापर परमेश्वरके नीक लगतनि।” 34यीशु महसूस कएलखिन जे ई आदमी बुद्धिमानीस' जबाब देने अछि। तएं ओ ओकरा कहलखिन, “हमरा लगैत अछि जे अहाँ ई निर्णय लेबएबला छी जे परमेश्वरके अहाँ अपनापर शासन करए देब।” एकरबाद, यहूदी अगुवा यीशुके फसाबएके कोशिसमे एहि प्रकारके आन प्रश्न पुछएस' डेराए लागल।35बादमे, जखन यीशु परमेश्वरके भवनके प्रांगणमे शिक्षा द' रहल छलाह, तखन ओ लोकसबस' पुछलथि, “एहन किएक अछि जे यहूदी धर्म-नियमक' शिक्षकसब कहैत छथि — आ ओसब ठीके कहैत अछि — जे मसीह राजा दाऊदके वंशज छथि?36पवित्र आत्मा दाऊदके मसीहके विषयमे कहबाकलेल प्रेरित कएलथि, ‘परमेश्वर हमर प्रभुके कहलथि, “हमर दहिनाकात बैसि जाउ, जत' हम अहाँके सब लोकस' बेसी आदर करब! जाधरि हम अहाँक' शत्रुसबके सब तरहें पराजीत नहि क' देब ताधरि एत' बैसल रहू।”’ 37जं दाऊद स्वयं मसीहके ‘हमर प्रभु’ कहैत छथि, तखन राजा दाऊदके वंशस' आएल मसीह मनुष्य मात्र कोना भ' सकैत अछि। ई कोना सम्भव अछि? ओ दाऊदस' बहुत पैघ होएताह!” जखन ओ ई सबबात सिखबैत छलाह तखन कतेको लोक हुनकर बात प्रसन्नता स' सुनैत छलनि।38यीशु जखन लोकसबके शिक्षा द' रहल छलाह त' ओ ओकरासबके कहलथि, “सावधान रहू जे शास्त्रीसब जकां व्यवहार नहि करु। लोकके सम्मान भेटब नीक लगैत छन्हि, तएं नमहर कपड़ा पहिरक' घुमैत रहैत अछि जे लोकके ई देखबथि जे ओ कतेक महत्वपूर्ण अछि। आ बजारमे लोक ओकरा सम्मानपूर्वक प्रणाम करए सेहो ओकरासबके नीक लगैत छनि।39ओकरासबके यहूदी सभाघरमे सबस' महत्वपूर्ण आसनपर बैसब नीक लगैत छन्हि। भोज भातमे हुनका एहन स्थानपर बैसब नीक लगैत छन्हि जत' सबस' सम्मानित लोक बैसल छथि।40ओसब विधवासबके घर सम्पत्ति सेहो चोरा लैत अछि। मुदा दोसर लोकके स्वयंके धर्मी बुझएलेल ओ बहुत समय धरि सार्वजनिकरुपस' प्रार्थना करैत अछि। परमेश्वर ओकरासबके कठोर सजाय जरुर देथिन!”41बादमे, यीशु परमेश्वर भवनमे दान पेटीके सामने बैसि गेलाह जाहिमे लोकसब परमेश्वरके दान दैत छल। बैसल-बैसल देखलथि जे कतेको लोक दानपात्रमे पाइ द' रहल अछि, आ ध्यान देलनि जे धनीक लोकसब बेसी पाइ द' रहल अछि।42तखन एकटा गरीब विधवा आबिक' ओहिमे दूटा छोट-छोट तामाके पाइ देलक, जे रोमीमे एक पैसा मोल होइत अछि।43यीशु अपन चेलासबके अपना चारुकात जम्मा क' क' कहलथि, “सत्य ई अछि जे ओहि आन लोकसबलग बहुत रास धन अछि, मुदा ओसब ओहिमेस' किछु हिस्सा मात्र भण्डारमे देलक।44मुदा ई विधवा जे बहुत गरीब छथि, ओ सारा धन द' देलनि जाहिस' ओ अपन आवश्यकताके वस्तुसब किन सकैत छलीह। तएं ई गरीब विधवा सबस' बेसी धन दान पेटीमे देने अछि!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.