Mark11
1जखन यीशु आ हुनकर चेलासब यरूशलेम नगरके लगमे पहुंचलाह, त' ओसब जैतून पहाड़के लगमे रहल बैतफगे आ बेतनिया गाम पहुंचलनि। तखन यीशु अपन दूटा चेलाके अपन आगु-आगु पठौलनि।2यीशु ओकरासबके कहलथि, “अहाँसब सामनेके ओहि गाममे जाउ। जखन अहाँ ओहि गाममे प्रवेश करब, अहाँके ओत' एकटा गदहाके बच्चा बन्हाएल देखब। ओ एकटा एहन पशु अछि जाहिपर कहियो केओ नहि सबार भेल अछि। ओकरा खोलिक' हमरालग ल' क' आउ।3जं केओ अहाँस' पुछत, ‘अहाँ एना किएक क' रहल छी?’ त' कहबनि, ‘प्रभु यीशुके एकर आवश्यकता अछि। जखन एकर आवश्यकता नहि रहत, तखन ओ एकरा केकरोसंगे लौटा देताह।’”4तखन ओ दुनू चेला चलि गेल, आ ओकरा ओ गदहाके बच्चा भेट गेलनि। एकटा घरक दुआरिपर बान्हल आ ठाढ़ छल। तखन ओ ओकरा खोलि लेलक।5जे लोकसब ओत' छल ओहिमेस' किछु लोक यीशुके चेलासबस' पुछलनि, “अहाँसब एहि गदहाके किएक खोलि रहल छी?”6जे बात कहबाकलेल यीशु ओकरासबके सिखऔने छलथि, से ओकरासबके कहलनि। तएं ओसब ओकरा ओहि गदहाके ल' जएबाक अनुमति देलनि।7ओ दुनू चेला गदहाके यीशु लग ल' गेल आ ओहिपर अपन कपड़ा राखि देलनि जाहिस' किछु एहन भ' जाए जे ओ ओहिपर बैसि सकथि। तेकरबाद यीशु ओहि गदहापर बैसि गेलथि।8बहुत लोकसब सेहो हुनका आगु रस्तापर अपन कपड़ा बिछा देलनि। बांकी सब लोकसब खेतके अगल बगलस' पत्ताबला ठाढ़िसब काटिक' रस्तापर बिछा देलक।9जे लोकसब हुनका आगु-आगु चलि रहल छल आ हुनकर पाछु-पाछु आबि रहल छल ओसब जोर-जोरस' बजैत छलनि, “प्रभुके स्तुति करु!” आ “प्रभु एहि आदमीके आशीर्वाद देथि जे हुनकर नामके प्रतिनिधि बनिक' आएल छथि।” 10ओसब इहो सोर करैत छल, परमेश्वर अहाँके आशीर्वाद दैक, जखन अहाँ ओहिना शासन करब जहिना हमरासबके पूर्वज राजा दाऊद शासन कएने छलाह! “जे सबस' उपरके स्वर्गमे छथि ओहि परमेश्वरके स्तुति करु!” 11यीशु ओकरासबके संग यरूशलेममे प्रवेश कएलथि, आ ओकर बाद मन्दिरक प्रांगणमे गेलाह। ओत' के सब किछुपर चारुकात देख लेलाके बाद, ओ नगरस' चलि गेलथि किएकत' दुपहर बित गेल छल। ओ अपन बारहो चेलाके संग बेतनिया गाम घुरि गेलाह।12दोसर दिन, जखन यीशु आ हुनकर चेलासब बेतनिया स' निकलि रहल छलाह, त' हुनका भूख लागि गेलै।13किछु दूरमे, ओ पतास' लदाएल एकटा अंजीरक गाछ देखलनि, ओ ओत' ई देखएलेल गेलथि जे कहूं हुनका खाएलेल ओहिपर अंजीर भेट जाए। मुदा, जखन ओ ओत' लगमे पहुंचलथि, त' गाछपर पता छोड़ि किछु नहि भेटलनि। किएकत' सालके ई सामान्य समय नहि छल जे अंजीरक गाछमे पाकल अंजीर होइक।14ओ अंजीरक गाछके कहलथि, “आब स' तोहर फल केओ कहियो नहि खाए।” आ हुनकर चेलासब ई बात सुनलकनि।15यीशु आ हुनकर चेलासब घुरिक' यरूशलेम चलि गेलनि आ परमेश्वरके भवनके अंगनामे प्रवेश कएलनि। ओ ओत' एहन लोकसबके देखलनि जे बलि लेल पशुके किनैत छल आ बेचैत छल। ओ परमेश्वरके भवनके अंगनामेस' ओहि लोकसबके भगा देलथिन। ओ ओकरासबके टेबुलके सेहो उनटा देलथिन, जे रोमी सिक्काके बदलमे परमेश्वरके भवनके कर देबएबला पाइ बेचैत छल। आ ओ ओकरासबके टेबुलके सेहो उनटा देलथिन जे बलिदानक लेल पेड़ुकी बेचैत छल।16ओ एहन कोनो व्यक्तिके परमेश्वरके भवनके क्षेत्रस' होएत जाएके अनुमति नहि देलथिन जे बेच' लेल किछु ल' जाइत छल।17फेरु जखन ओ ओहि लोकसबके शिक्षा दैत छलथि, तखन ओ ओकरासबके कहलथि, “प्रवक्तासबमेस' एकगोटे धर्मशास्त्रमे लिखने छथि जे परमेश्वर कहैत छथि, ‘हम चाहैत छी जे लोक हमर भवनके एहन घर कहए जाहिमे सब देशके लोक प्रार्थना क' सकैत अछि,’ मुदा अहाँसब एकरा डाकूके घर बना देने छी।” 18यीशु जे काज कएने छलथि ओकरा विषयमे बादमे मुख्य पुजारीसब आ यहूदीसबके धर्म-नियमक शिक्षकसब सुनलनि। ओसब षड्यन्त्र रचि रहल छल जे हुनका कोना मारि दी, मुदा ओसब हुनकास' डेराइत रहए, किएकत' ओसब जानि गेल रहए जे बात ओ ओकरासबके सिखा रहल छलथि ओहि बातस' सारा भीड़ आश्चर्यचकित भेल छल।19ओहि सांझमे यीशु आ हुनकर चेलासब नगर छोड़िक' चलि गेल आ फेरुस' बेतनियामे चलि गेलाह।20काल्हि भोरे जखन ओसब रस्ता दने यरूशलेम जा' रहल छलनि, त' ओसब देखलक जे अंजीरक गाछके यीशु सराप देने छलथि, से जड़ि धरि मुरझाएल आ एकदम सुखि गेल छल।21पत्रुसके मोन पड़लनि जे यीशु अंजीर गाछके की कहने छलथि, आ ओ यीशुके चकित भ' क' कहलकनि, “यौ गुरुजी, देखियौ! ई अंजीरक गाछ जेकरा अहाँ सराप देने रहिऐ, से सुखि गेल अछि!”22यीशु ओकरा उत्तर देलथिन, “अहाँसबके ई आश्चर्य नहि होएबाक चाही जे हम मंगने रहिऐ से परमेश्वर ओएह काज कएलथि!” अहाँके भरोसा होएबाक चाही जे अहाँ परमेश्वरस' जे किछु कर' लेल कहब, ओ जरुर करताह!23हम अहाँके सांच्चे कहैत छी: जं केओ लोक कोनो पहाड़के कहैत अछि, उठू आ समुद्रमे चलि जाउ, आ जं ओकरा मनमे ई सन्देह नहि होए जे ओ जे मंगने अछि से होएत, मुदा जं ओ विश्वास करैत अछि जे एना होएत, त' परमेश्वर ओकरालेल ओहिना करताह।24तएं हम अहाँसबके कहैत छी जे जखन-कखनो अहाँसब परमेश्वरस' प्रार्थना क' क' किछु मांगब त', विश्वास करु जे अहाँसबके भेट जाएत, आ यदि अहाँ हुनकापर भरोसा करब त, परमेश्वर अहाँके लेल करथिन।25आब, हम अहाँसबके इहो कहैत छी जे जखन-कखनो अहाँसब प्रार्थना करैत छी, त' जं अहाँसबके केकरोलेल अहाँसबके मनमे एहिलेल द्वेष अछि जे ओ अहाँक विरुद्ध पाप कएने छथि, त' अहाँ ओकरा क्षमाक' दिऔ जे अहाँसबके स्वर्गमे रहनिहार पिता सेहो अहाँके पापके क्षमाक' दैक।26मुदा जं अहाँ ओकरासबके क्षमा नहि करब, त' अहाँके पिता, जे स्वर्गमे छथि, अहाँके पाप क्षमा नहि करताह।27यीशु आ हुनकर चेलासब फेरु यरूशलेमके परमेश्वरके भवन प्रांगणमे पहुंचलनि। जखन यीशु ओत' टहलैत छलथि, तखन हुनकालग मुख्य पुजारीसब, आ शास्त्रीसब, आ बूढ़-पुरान लोकसबके एकटा झुण्ड मिलक' हुनकालग आबि गेलै।28ओसब हुनका पुछलनि, “अहाँ ईसब कोन अधिकारस' करैत छी? जाहि कामके अहाँ एत' काल्हि कएने रहिऐ से करबाक अधिकारके देलक?”29यीशु ओकरासबके कहलथि, “हमहूं अहाँसबस' एकटा प्रश्न पुछब। जं अहाँ हमरा उत्तर देब, त' हमहूं कहि देब जे हमरा ईसब करबाक अधिकारके देने अछि।30की ओ स्वर्गके परमेश्वरे छलाह जे यूहन्नाके हुनकालग आएल लोकसबके बपतिस्मा देबाक अधिकार देने रहथि? वा ओ लोकसब छल जे हुनका ई अधिकार देने रहए?”31ओसब आपसमे तर्क-वितर्क कएलक जे कोन उत्तर देबाक चाही। ओसब आपसमे कहलक, “जं हमसब कहब जे स्वर्गके परमेश्वर हुनका अधिकार देने रहथि, त' ओ हमरासबके कहताह, ‘तखन अहाँसब यूहन्नाके कहल बातपर विश्वास कएने रहितहुं!’32दोसर दिस, जं हमसब ई कहैत छी जे यूहन्नाके अधिकार देनिहार इहे लोकसब रहए, त' हमरासबके की होएत?” ओसब ई कहए' स' डेराइत छल जे यूहन्नाके अधिकार कतस' भेटल रहैक, किएकत' ओसब जनैत छल जे लोकसब ओकरासबपर बहुत खिसिया जाएत। ओसब जनैत छल जे सब केओ सांच्चेके मानैत अछि जे यूहन्ना एकटा प्रवक्ता छल जेकरा परमेश्वर पठौने छलथि।33तएं ओसब यीशुके उत्तर देलनि, “हमरासबके ई नहि बुझल अछि जे यूहन्नाके बपतिस्मा देबएके अधिकारके देलनि।” तखन यीशु ओकरासबके कहलथि, “अहाँसब हमर प्रश्नके उत्तर नहि देलहुं, ताहिके लेल हमहूं अहाँसबके ई नहि कहब जे काल्हि एत' कएने काजसब करबाक अधिकारके देने अछि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.