Luke9
1आ फेरु यीशु अपन बारहो चेलाके बजाक' ओकरासबके सब प्रकारके दुष्टात्मासबके बाहर निकलबाक आ लोकसबके बेमारीसबके चंगा करबाक अधिकार आ सामर्थ्य देलनि।2ओ ओकरासबके सुसमाचार घोषणा करबाक लेल पठौलनि जे परमेश्वर राजाके रुपमे कोना राज करताह। संगहि कहलथि जे बेमार लोकसबके चंगा करु।3ओसब जाएस' पहिने ओकरासबके कहलथि, “अपन यात्राके लेल किछु नहि ल' जाउ। संगमे कोनो लाठी, यात्रालेल झोरा, भोजन, पाइकौड़ी किछु नहि ल' जाउ। आ नहि फाजिल अंगा लिअ।4जाहि घरमे प्रवेश करब, त' जाधरि ओहि क्षेत्रस' बाहर नहि निकलब, ताधरि ओहि घरमे रहब।5यदि शहरके लोकसब अहाँसबके स्वागत नहि करए, त' अहाँसब ओतए' नहि रुकब। बल्कि ओहि शहरके छोड़ि देबै आ जखन निकलब त' ओकरासबके चेतावनीके लेल गवाही स्वरुप पयरस' गरदा झाड़ि देब।”6तखन प्रेरितसब विदा भ' गेलनि आ कतेको गामसब होइत यात्रा कएलनि। ओसब जत जाइत छलनि, लोकसबस' परमेश्वरक सुसमाचारके विषयमे प्रचार कएलनि, आ बेमार लोकसबके चंगा करैत छलनि।7गलील प्रान्तके शासक हेरोद एन्तिपास एहिसब घटनाके विषयमे सुनलनि आ ओ घबड़ा गेलनि। किछुगोटे कहैत छलनि जे यूहन्ना बपतिस्मा देनिहार फेरुस' जीवि उठलाह।8दोसर लोकसब कहैत छलनि जे एलियाह प्रवक्ता फेरु प्रगट भ' गेल छथि। तथापि किछुगोटे कहैत रहए जे प्राचीन समयके प्रवक्तासबमेस' कोनो एकटा फेरु जीवित भेल छथि।9मुदा हेरोद कहलनि, “ओ यूहन्ना नहि भ' सकैत छथि, किएकत' हम हुनकर मूड़ी कटबा देने छलहुं। तखन ई आदमीके अछि? जे हम हुनका विषयमे एहन अद्भुत बात सुनि रहल छी!” आ ओ यीशुस' भेटि करबाक कोनो उपाय तकैत रहलनि।10जं प्रेरितसब अपन यात्रास' घुरलनि, त' ओसब कएने सबकाज यीशुके कहलनि। तखन यीशु ओकरासबके ल' क' बेतसैदा नगर दिस चलि गेलथि।11मुदा जखन भीड़के पता चललनि जे यीशु कत गेल छथि, त' ओसब हुनकर पाछु-पाछु ओतए चलि गेलनि। ओ ओकरासबके स्वागत कएलनि आ ओकरासबस' बातचित कएलनि जे परमेश्वर कोना राजाक रुपमे शासन कर' जा रहल छथि। ओ बेमार लोकसबके चंगा सेहो करैत छलाह।12सांझ पड़ए लागल रहए, तएं बारहो चेला हुनकालग आबि कहलनि, “एहि नमहर भीड़के विदा क' दिऔ जे ओसब गाम आ टोलसबमे जाक' किछु भोजन किन आ राति बिताबएलेल जगह खोजि सकए, किएकत' हमसब एत सुनसान जगहपर छी।”13मुदा ओ ओकरासबके कहलनि, “अहींसब ओकरासबके खाएलेल किछु दिऔ!” ओसब उत्तर देलकनि, “हमरासबलग पांचेटा छोटकी रोटी आ दूटा छोट-छोट किछु माछसब अछि। हमसब एहि सबलोकके लेल एतेक भोजन किन नहि सकैत छी!”14ओ एना कहलनि कारण ओतए लगभग पांच हजार लोकसब रहए। तखन यीशु चेलासबके कहलथि, “लोकसबके सत्तरिमे बैसबाक लेल कहियौ। प्रत्येक सत्तरिमे लगभग पचास गोटेके बैसाउ।”15तब चेलासब ओहिना कएलक आ सबलोक बैसि गेलै।16तखन यीशु ओहि पांच रोटी आ दूटा माछके ल' क' उपर स्वर्ग दिस देखक' परमेश्वरके धन्यवाद देलथिन। फेरु ओ रोटी आ माछके तोड़िक' चेलासबके परसि देबएलेल देलथिन17सबगोटे भरि पेट खएलनि, तेकरबाद चेलासब उबरल भोजनके टुकड़ी बटोरलक, जाहिमे बारह टोकरी भरि गेल।18एकदिन यीशु एसगरे प्रार्थना करएलेल भीड़ छोड़िक' चलि गेलाह, तखन चेलासब मात्र हुनकालग छलनि, आ ओ ओकरासबस' पुछलनि, “ई भीड़ हमरा विषयमे की कहैत अछि जे हम के छी?”19ओसब उत्तर देलनि, “किछु लोक कहैत अछि जे अहाँ यूहन्ना बपतिस्मा देनिहार छी, मुदा किछु लोक कहैत अछि जे अहाँ एलियाह प्रवक्ता छी, आ किछुगोटे कहैत अछि जे अहाँ प्राचीन कालके आबएबला प्रवक्तासबमेस' एकगोटे छी, जे फेरुस' जीबि गेल छथि।”20ओ ओकरासबस' पुछलनि, “अहाँसबके विषयमे की? अहाँसब की कहैत छी जे हम के छी?” पत्रुस उत्तर देलनि, “अहाँ परमेश्वरक दिसस' आएल मसीह छी।”21तखन यीशुके छथि से ओकरा एखन केकरोस' नहि कहएलेल कड़ा आदेश देलनि।22तखन यीशु अपन चेलासबस' इहो कहलनि, “हमरा, मनुष्यक पुत्रके बहुत कष्ट भोगए पड़तैक, बूढ़-पुरान लोकसब आ मुख्य पुजारी आ यहूदी धर्म-नियमक शिक्षकसब हमरा अस्वीकारक' क' मारि देत। तेकरबाद तेसर दिन हम फेरुस' जीवित भ' जाएब।”23तखन ओसब केओके कहलनि, “जं केओ हमर चेला बनए चाहैत अछि, त' अहाँके ओ काज नहि करबाक अछि जे अहाँ चाहैत छी। बल्कि अहाँके सबदिन कष्ट उठाबएलेल तैयार रहए पड़त, एतधरि जे जीवनके त्याग करए आ अन्तधरि हमर चेला बनब एहिना होइत अछि।24अहाँके ई एहिलेल करए पड़त, जे अपन प्राण बचाबएके कोशिस करत से अपन प्राण अनन्तकालधरि गमा देत, मुदा जे हमर चेला बनएलेल अपन प्राण गमा देत से अपन प्राण अनन्तकालधरि अपन प्राणके बचाओत25अन्तमे, जं अहाँ एहि संसारमे सबकिछु हासिल क' लैत छी, मुदा फेरु अन्तमे स्वयंके गमा लैत छी वा स्वयंके नाश सेहो क' दैत छी, त' एहिस' अहाँके कोन फायदा होएत?26मानि लिअ जे केओ ई कहएस' डेराइत अछि जे ओ हमरापर विश्वास करैत अछि आ हमर शिक्षाके पालन करैत अछि। तखन हम, मनुष्यक पुत्र कहब जे ई हमर आदमी नहि अछि। ई तहिया होएत जहिया हम अपन महिमा आ पिता परमेश्वरके आ पवित्र स्वर्गदूतसबके संग महिमामे घुरब।27मुदा अहाँसब ई बात सत्य अछि जे अहाँसबमेस' किछुगोटे जे एखन एत' ठाढ़ छी अहाँ तुरन्ते नहि मरब जाधरि अहाँसब परमेश्वरके राजाके रुपमे राज करैत नहि देखब!”28यीशुके ई बात कहलाक आठ दिन बाद, ओ अपना संग पत्रुस, यूहन्ना आ याकूबके ल' क' एकटा पहाड़पर प्रार्थना करबाक लेल चलि गेलाह।29जाहि समय यीशु प्रार्थना क' रहल छलाह, त' हुनकर मुंह बहुत अलग भ' गेलै, आ हुनकर वस्त्र चमकए लगलै।30ओहि समयमे, दूगोटे प्राचीन समयके प्रवक्ता यीशुसंगे बातक' रहल छलनि। ओसब मूसा आ एलियाह छलनि।31ओसब स्वर्गीय महिमामे प्रगट भेलनि। ओसब यीशुसंगे बतिअएलनि जे ओ यरूशलेममे मरिक' परमेश्वरके उदेश्य कोना पूराक' सकैत छथि।32पत्रुस आ आन चेला जे हुनकासंग छलनि ओसब औंघाइत रहए। जखन ओकरासबके आंखि खुजलै, त' देखैत छथि, यीशु कतेक उज्ज्वल प्रकाशस' चमैक रहल छथि।33मूसा आ एलियाह हुनका लगस' जाइत रहैक, तब पत्रुस यीशुके कहलनि, “यौ मालिक, हमरासब लेल एत रहब ठीक अछि! हमरासबके तीनटा तम्बू बनएबाक चाही, एकटा अहाँलेल, एकटा मूसाके लेल आ एकटा एलियाहके लेल!” मुदा ओ वास्तवमे ई नहि बुझति छलनि जे ओ की कहि रहल अछि।34जखन ओ ई सबटा बात कहि रहल छलनि, त' एकटा मेघ आबिक' हुनकासबके झांपि देलकनि। जखन ओ मेघ हुनकासबके घेरि लेलकनि त' चेलासब डेरा गेलनि।35मेघमेस' परमेश्वरक आवाज आएल, आ ओकरासबके कहलनि, “ई हमर पुत्र छथि, जिनका हम चुनने छी, हुनकर बात अहाँसब सुनू!” 36जखन आवाज बंद भ' गेल त' तीनू चेला देखलनि जे ओतए यीशु मात्र उपस्थित छथि। ई सबटा बात ओसब मोनमे रखलनि। जे देखलकनि से बहुत दिन धरि केकरो नहि कहलकनि।37दोसर दिन जखन ओसब पहाड़स' उतरलनि त' लोकक एकटा नमहर भीड़ यीशुस' भेटि कएलनि।38अचानक भीड़मेस' एक व्यक्ति चिचिआ उठल, “यौ गुरु, हम अहाँस' विनती करैत छी, हमर बेटालेल किछु करु! ओ हमर एकमात्र बेटा अछि।39ओ एतहि अछि। एकटा दुष्टात्मा अचानक ओकरा पकड़ि लैत अछि आ ओकरा चिचिआएलेल बाध्य क' दैत अछि। ओ ओकरा जोरस' थरथराक' पटकि दैत अछि आ मुंहमेस' गाउज निकालैत अछि। ई दुष्टात्मा हमर बौआके बहुत कठिनस' कखनोकाल छोड़ैत अछि आ जखन छोड़ैत अछि त' ओकरा गम्भीर चोट पहुंचबैत अछि।40हम अहाँके चेलासबस' निहोरा कएलहुं जे ओहि दुष्टात्माके ओकरामेस' निकलि जाएके आदेश दिऔ, मुदा ओसब नहि क' सकलनि!”41जबाबमे यीशु ओकरासबके कहलनि, “एहि पीढ़ीके लोकसब विश्वास नहि करैत अछि, आ तएं ओकर सोंच विकृत भ' गेल अछि! अहाँ विश्वास करएस' पहिने हम अहाँसबहक संग कतेक दिन रहब?” तखन ओहि मनुष्यके कहलखिन, “अपन बेटाके एत हमरालग आनू!”42जखन ओसब बौआके आनि रहल छलनि त' दुष्टात्मा ओहि बौआके जमीनपर पटकि देलकनि आ ओकरा बहुते ऐंंठ देलक। मुदा यीशु ओहि दुष्टात्माके डांटिक' निकलि जाएके आज्ञा देलथिन आ ओहि बौआके ठीक क' देलथिन। तखन ओ ओकरा ओकर बाबूके हाथमे सोंपि देलथिन।43तेकरबाद ओतए उपस्थित सबलोक प्रभुद्वारा प्रगट कएल गेल महान शक्ति पर नीक जकां आश्चर्यचकित भ' गेल। जखन ओसब यीशुद्वारा कएल गेलसब चमत्कार देख आश्चर्यचकित छल, तखन ओ अपन चेलासबके कहलनि,44“हम अहाँके जे कहए जा रहल छी, ओहिके ध्यानस' सुनू, किएकत' हमरा, मनुष्यक पुत्रके, केओ हमरा लोकसबके सामर्थ्यमे सोंपि देत।”45मुदा ई बात चेलासब नहि बुझि सकलनि जे हुनकर एहि बातके की अर्थ अछि। परमेश्वर हुनकासबके एकरा बुझएस' रोकिलेने रहथि जे ओसब एखन नहि बुझि सकए जे एकर अर्थ की अछि, आ जे किछु ओ कहने छलाह ओहिके विषयमे ओसब पुछएलेल डेराइत छलनि।46तब किछु समयके बाद चेला लोकनि आपसमे विवाद करए लगलनि जे ओकरासबमेस' सबस' बेसी के महत्वपूर्ण होएत।47मुदा यीशु जनैत छलाह जे ओसब मनमे की सोंचि रहल अछि, तएं ओ एकटा बच्चाके अपनालग अनलनि, आ ओहि बच्चाके अपन बगलमे ठाढ़ क' देलनि।48यीशु अपन चेलासबके कहलनि, “हमरा नामके कारणे जं केओ छोट बच्चाके एहि तरहें स्वागत करैत अछि, त' ई हमरे स्वागत करएके समान अछि। आ जं केओ हमर स्वागत करैत अछि त' हमरा पठएनिहार परमेश्वरके स्वागत करैत अछि। मोन राखू जे अहाँसबमे जे सब कम महत्वपूर्ण बुझाति छी, ओकरे परमेश्वर सबस' बेसी महत्वपूर्ण मानैत छथि।”49यूहन्ना यीशुके उत्तर देलनि, “प्रभु, हमसब एकटा एहन आदमीके देखलहुं जे अहाँके नाम प्रयोग करैत दुष्टात्मासब निकालि रहल छलनि। मुदा हमसब कहलिऐ जे ओ एहि काज करब बंद क' दैक, कारण ओ अहाँसंगे रहिक' हमरासब जेहन काज नहि करैत छल जेना हमसब करैत छी।”50मुदा यीशु यूहन्नाके कहलनि, “ओकरा एहन काज करएस' नहि रोकियौ! जं केओ एहन काज नहि क' रहल अछि जे अहाँक लेल हानि होअए, तखन ओ जे काज क' रहल अछि से अहाँके लेल लाभकारीए अछि!”51जेना-जेना ओ समय लग आबि रहल छल जखन परमेश्वर हुनका स्वर्गमे ल' जएताह, यीशु यरूशलेम जाएके मोन बना लेलनि।52आगु किछु दूत पठौलनि। ओसब सामरिया क्षेत्रके एकटा गामके यात्रा क हुनका ओतहि रहबाक व्यवस्था करबाक प्रयास करए।53मुदा सामरीसब यीशुके अपन गाममे नहि रहए देलनि, कारण ओ यरूशलेम जा रहल छलथि।54हुनकर दूटा चेला याकूब आ यूहन्ना क्रोधित भ' गेलनि जखन ई देखलनि जे सामरीसब हुनकासबके स्वागत नहि करए जा रहल छथि। तखन ओसब यीशुस' पुछलनि, “यौ प्रभु, की अहाँ चाहैत छी जे हमसब आकाशस' आगि बरिसए आ ई लोकसब नाश भ' जाए से आदेश दी?” 55मुदा यीशु ओकरासब दिस घुमिक' डांटि देलथिन जे ओकरासबके ई कहब गलत अछि।56एहिलेल ओसब दोसर गाम चलि गेलनि।57जखन यीशु आ हुनकर चेलासब बाटपर चलैत छलाह, तब एकगोटे हुनका कहलनि, “अहाँ जत' कतौ जाएब, त' हम अहाँके पाछु चलब!”58यीशु ओकरासबके उत्तर देलनि, “खिखिरसबके रहबाक लेल जमीनमे सोइन होइत छै आ आकाशके चिड़ैसबके खोंता होइत छै मुदा हम, मनुष्यक पुत्रके सुतएलेल घर नहि अछि!”59यीशु दोसर आदमीके कहलनि, “हमरासंगे आउ!” मुदा ओ आदमी कहलनि, “यौ प्रभु, हमरा पहिने घर जाक' अपन बाबूके दफनाब दिअ।”60मुदा यीशु ओकरा कहलथि, “मुर्दासबके अपन मुर्दा गाड़ए दिऔ। हम चाहैत छी जे अहाँसब ठामके लोकसबके प्रचार करु जे ओसब अपन जीवनमे परमेश्वरके शासन पाबि सकैत अछि।”61तेसर गोटे कहलनि, “यौ प्रभु, हम अहाँके पाछु चलब आ अहाँके चेला बनि जाएब, मुदा पहिने हमरा अपन परिवारस' विदा लेबएलेल घर जाए दिअ।” 62यीशु ओकरा कहलनि, “केओ ओहि किसान जकां अछि जे पाछु घुमिक' अपन सब खेत जोतबाक प्रयास करैत अछि, ओ परमेश्वरक राज्यमे सेवा करबाक योग्य नहि अछि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.