Luke10
1एकरबाद प्रभु यीशु बहत्तरि गोटे आओर चेलाके नियुक्त कएलथि जे जाक' लोकसबके हुनकर बात सुनबाक लेल तैयार करथि। जत ओ स्वयं जएबाक मनसाय बनौने छलथि ओहि शहर आ गाममे जाएस' पहिने आगु-आगु ओकरासबके दू-दू गोटेके समूहमे पठा देलथिन। 2ओ हुनकासबके कहलथि, “बहुत लोक हमरापर विश्वास करबाक लेल तैयार अछि, मुदा अहाँसबमेस' एहन कम लोक छी जेकरा हम पठा सकैत छी। तएं प्रभुस' प्रार्थना करु, ओ चाहैत छथि जे सब विश्वास करथि, आओर हुनकास' आओर चेलासबहक लेल प्रार्थना करु जे जाक' ओकर मदतिक' सकथि।3आब जाउ, मुदा मोन राखब जे हम अहाँके अपन सन्देश देबएलेल नढ़ियासबके बीचमे भेंड़ाके बच्चा जकां पठा रहल छी जे अहाँसंगे दुर्भावनापूर्ण व्यवहार करत।4पाइकौड़ी अपनासंगमे नहि ल' जाउ। कोनो बटुआ संगमे नहि ल' जाउ। फाजिल जुता अपनासंगे नहि ल' जाउ। रस्तामे रुकिक' लोकस' बात नहि करु। 5जखन अहाँ कोनो घरमे प्रवेश करब, त' पहिने ओहि घरमे रहनिहार लोकसबके कहि दिऔ, ‘परमेश्वर एहि घरमे रहनिहार सबगोटेके शान्ति प्रदान करथि!’6मुदा जं ओतए रहनिहार लोक परमेश्वरक शान्तिके इच्छा रखैत अछि, त' स्वयं ओहि शान्तिके अनुभव क' सकब जे अहाँ ओकरा प्रदान क' रहल छी। मुदा जं ओतए ओसब परमेश्वरके शान्तिके इच्छा नहि रखैत अछि, त' अहाँ स्वयं ओहि शान्तिके अनुभव क' सकब।7ओहि गामस' नहि निकलए धरि ओहि घरमे रहू। वासके लेल एक घरस' दोसर घरमे घुमैत नहि रहू। ओसब जे उपलब्ध करबैत अछि से मात्र खाउ-पीबु, कारण मजदूर अपन काजके मजदूरी पएबाक हकदार अछि।8जं अहाँ कोनो नगरमे प्रवेश करैत छी आ ओतए लोकसब अहाँके स्वागत करैत अछि, त' ओएह खाउ जे ओ अहाँके दैत अछि।9ओहि नगरके लोकसब जे जे बेमार अछि तेकरा चंगा करु। सबके कहि दिऔ, ‘अहाँ नीक जकां देख रहल छी जे जहिया परमेश्वर राजा बनिक' सबठाम शासन करताह तहिया केहन होएत।’10मुदा जं अहाँ कोनो शहरमे प्रवेश करैत छी आ ओहि ठामके लोक अहाँके स्वागत नहि करैत अछि त' ओकर मुख्य गलीमे जाक' कहब जे11अहाँके विरुद्ध चेतावनीके रुपमे, हमसब ओहि शहरके छोड़ैत काल ओहि गरदाके झाड़ि लेब जे हमरासबके पयरमे लागल होएत। मुदा अहाँ जनैत छी जे अहाँ हुनका नीक जकां देखलहुं जे जहिया परमेश्वर राजाके रुपमे सबठाम शासन करताह तहिया केहन होएत!'12हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानि लिअ जे जहिया परमेश्वर सबके न्याय करताह, त' ओहि समयमे परमेश्वर ओहि नगरके लोकसबके ओहि दुष्ट लोकसबस' बेसी कठोरतापूर्वक दण्ड देताह जे प्राचीन कालमे सदोम शहरमे रहैत छलनि! 13यौ खुराजीन नगर आ बेतसैदा नगरमे रहनिहार लोकसब, अहाँसबलेल ई कतेक भयावह होएत! ई हम एहिलेल कहैत छी जे जहिया हम अहाँके शहरमे रही, त' हम पैघ चमत्कार कएने रही। जं हम सूर आ सीदोन नगरसबमे सेहो ओएह चमत्कार कएने रहितहुं त' ओतए रहनिहार दुष्ट लोकसबके अपन पापसबस पश्चाताप कएने देखाबए' चट्टीके वस्त्र पहिरक' माथपर छाउर राखिक' भुइयांमे बैसि गेल रहितै!14मुदा जहिया परमेश्वर सबके न्याय करताह, त' ओ अहाँसबके ओहि दुष्ट लोकसबके तुलनामे बेसी कठोरतापूर्वक दण्ड देताह जे सूर आ सीदोनमे रहैत छलनि! 15आ हे कफरनहूम, की तों स्वर्ग धरि उच्च कएल जएबे? तों त' नरक धरि नीचा जएबे।” 16यीशु चेलासबके सेहो कहलनि, “जे अहाँके सन्देश सुनैत अछि, से हमर बात सुनैत अछि। जे अहाँके सन्देशके अस्वीकार करैत अछि, वास्तवमे, ओ हमरा अस्वीकार करैत अछि। आ जे हमरा अस्वीकार करैत अछि वास्तवमे, हमरा पठौनिहार परमेश्वरके अस्वीकार करैत अछि।”17यीशु जाहि बहत्तरि गोटेके नियुक्त कएने छलथि, ओसब जाक' ओ जे कहने छलथि से कएलथि। जखन ओसब घुरलाह त' ओसब बहुत खुश भ' गेलाह। ओसब कहलकनि, “यौ प्रभु, अहाँके नामस' दुष्टात्मासब सेहो हमरासबके आज्ञा मानलक जं अहाँद्वारा देल गेल अधिकारस' हमसब ओकरासबके लोकके छोड़बाक आदेश देलहुं!”18यीशु हुनकासबके कहलनि, “जखन अहाँसब ई काज दूर-दूर धरि क' रहल छलहुं, हम देखलहुं जे ठनका जेना अचानक खसैत अछि तहिना शैतान स्वर्गके अपन लाभक स्थिति गमा रहल छलनि! 19सुनू! हम अहाँसबके दुष्टात्मासबके पराजीत करबाक अधिकार देने छी। हमहूं अहाँके एतेक शक्ति देने छी जे सांपसब, बिच्छसब आ हमर दुश्मन, शैतानके पराजीत क' सकब। किछु अहाँके हानि नहि करत। 20मुदा एहिलेल मात्र आनन्दित नहि होउ जे दुष्टात्मासबके अहाँसबके बात मानए पड़ैत अछि। अहाँसबके आओर बेसी आनन्दित होएबाक चाही जे परमेश्वर अहाँसबके नाम स्वर्गमे लिखने छथि, जेकर अर्थ अहाँसब परमेश्वरसंगे सदिखन रहब।”21ओहि क्षण, पवित्र आत्माद्वारा यीशु बहुत आनन्दित भ' गेलथि। ओ कहलथि, “हे हमर पिता परमेश्वर, अहाँ स्वर्ग आ पृथ्वीपर भेलसबके प्रभु छी। हम अहाँके स्तुति करैत छी जे अहाँ ओहि लोकसबके ई बात बुझएस' रोकलहुं। जे सोंचैत अछि जे हम बुद्धिमान छी बल्कि, अहाँ ओकरासबके ओहि लोकसबके प्रगट कएलहुं जे अहाँके सत्यके छोट बालक जकां सहजतास' स्वीकार क' लेने अछि। हं, हे पिता, ई अहाँ एहिलेल कएलहुं किएकत' एहन करब अहाँके नीक लागल।22परमेश्वर, हमर पिता सबकिछु हमरा द' देने छथि। हमर, पिता अपन पुत्रके, हमरा वास्तवमे चिन्हैत छथि। आ हम, हुनकर पुत्र, मात्र वास्तवमे हम अपन पिताके जनैत छी। मुदा हम किछु लोकके ई देखाबएलेल चुनैत छी जे ओ के छथि।”23तब यीशु अपन चेलासबके मात्र एतबे कहलनि, “परमेश्वर अहाँसबके एकटा नीक वरदान देलथिन जे हम जे काज क' रहल छी से देख सकलहुं!24हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानि लिअ जे बहुते प्रवक्ता आ राजासब ओ बात देखबाक इच्छा कएने छलथि जे हमरा करैत अहाँ देख रहल अछि। मुदा ओ ओकरा देख नहि सकलनि किएकत' ओ बहुते पहिने रहैत छलनि।”25ओतए एकटा आदमी छल जे यहूदी व्यवस्थाके शिक्षक छल। ओ ठाढ़ भ' क' यीशुके हुनकास' एकटा कठिन प्रश्न पुछलनि, “यौ गुरु, हम परमेश्वरके संग सदा जिअएलेल की करु?”26यीशु ओकरा कहलनि, “अहाँ परमेश्वरद्वारा देल गेल धर्म-नियम जे मूसा लिखने रहथि से पढ़ने छी। ओ व्यवस्था की कहैत अछि?”27ओ मनुष्य उत्तर देलक, “व्यवस्थामे ई लिखल अछि, अहाँ प्रभु अपन परमेश्वरस' पूरा हृदयस', पूरा प्राणस', पूरा सामर्थ्य आ पूरा मोनस' प्रेम करु। आ अपन पड़ोसीस' ओहने प्रेम करु, जेना स्वयंके प्रेम करैत छी।” 28यीशु ओकरा कहलनि, “अहाँ ठीके उत्तर देलहुं। जं अहाँ ईसब करब, त' अहाँ परमेश्वरके संग सदाके लेल जीवित रहब।” 29मुदा ओ आदमी ई देखाबए चाहैत रहए जे परमेश्वर ओकरा सत्य प्रमाणित करताह। तएं ओ यीशुस' पुछलनि, “हमर पड़ोसीके अछि जेकरास' हमरा प्रेम करबाक चाही?”30यीशु उत्तर देलथिन, “एकदिन, एकटा यहूदी पुरुष यरूशलेम नगरस' यरीहो नगर दिस जाइत रहए। किछु डाकू ओकरापर आक्रमण कएलक। ओसब ओहि आदमीके सबटा कपड़ा आ सबकिछु छिन लेलक। ओसब ओकरा अधमरु अवस्थामे छोड़िक' भागि गेल।31संयोगस' एकटा यहूदी पुजारी ओहिबाटे जाइत रहए। जखन ओ ओहि आदमीके देखलकनि, त' ओकर मदति करबाक बदला रस्ताके दोसर कात दने आगु बढ़ि गेलै।32तहिना, एकटा लेवी सेहो जे परमेश्वरक मन्दिरमे काज करैत छल से ओहि ठाम आबिक' ओहि आदमीके देखलक। मुदा ओहो बाटके दोसर कात दने आगु बढ़ि गेल।33तेकरबाद, सामरिया क्षेत्रके रहनिहार एकगोटे ओहि दने दूरके यात्रा करैत ओतहि आबि गेल जत ओ आदमी पड़ल छल। जखन ओ ओहि आदमीके देखलनि, त' ओकरा ओहि मनुष्यपर दया आबि गेलै।34ओ ओकरा लग जाक' ओकर घावसबमे जैतूनके तेल आ दाखरस ढारि देलनि जे ओकरा ठीक होबएमे मदति करितैक। घावसबपर कपड़ाके पट्टी लपेटि देलक। तखन ओ ओहि आदमीके अपन गदहापर बैसिक' सरायमे आनि देखभाल कएलनि।35दोसर दिन, भोरे ओ सरायके मालिकके दू दीनार द' क' कहलनि, ‘एहि आदमीके ध्यान राखू। जं अहाँके एकर देखभाल करबाक लेल एहि पाइस' बेसी खर्च होएत, त' हम घुरिक' आबि त' ओ अहाँके चुका देब।’” 36तेकरबाद यीशु पुछलनि, “जाहि आदमीपर डाकूसबहक आक्रमण भेल छल, ओहि तीनू लोकमेस' अहाँ केकरा कहबनि जे ओहि आदमीके असली पड़ोसी भेलए?”37धर्म-नियमक गुरु उत्तर देलनि, “ओ जे ओकरासंगे कृपालु व्यवहार कएलक।” यीशु ओकरा कहलनि, “ठीके बात। तएं अहूं जाक' ओहिना व्यवहार करु जेकरा अहाँके मदतिके आवश्यकता अछि।”38जखन यीशु आ हुनकर चेलासब यात्रा जारी रखलनि, त' ओसब एकटा गाममे प्रवेश कएलनि। ओतए मार्था नामक एकटा स्त्री छलीह जे हुनका अपन घरमे बजौलकनि।39मार्थाके बहिन, जेकर नाम मरियम छलनि, ओ यीशुके पयरलग बैसि गेलीह आ जे ओ शिक्षा द' रहल छलथि प्रभुके शिक्षा सुनए लगलीह।40मुदा मार्था हुनकासबलेल भन्साके सेवाके चिन्तामे पड़ल छलीह। ओ यीशु लग जाक' बजलीह, “यौ प्रभु, हमर बहिन हमरा सबटा तैयारी करबाक लेल एसगरे छोड़ि देने अछि। अपने जानि लिअ जे ई ठीक नहि अछि। कनिक ओकरा हमर मदति करएलेल कहि दिऔक!”41प्रभु ओकरा उत्तर देलथिन, “मार्था, ऐ मार्था, अहाँ बहुत बेसी चिन्तामे छी।42मुदा एकटा बात जे वास्तवमे महत्वपूर्ण अछि, ओहि शिक्षाके सुनबाक अछि जे हम द' रहल छी। किएकत' मरियम उत्तम काजके चुनने अछि, तएं हम ओकरा आओर किछु नहि करबाक लेल कहब।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.