Luke8
1किछु समय बाद, यीशु आ हुनकर बारहो चेलासब लगपासक विभिन्न शहर आ गाममे घुमलथि। जखन ओसब गेलनि, त' यीशु लोकसबके ई सुसमाचार प्रचार करैत छलाह जे ओकरासबके जीवनपर शासन करबाक लेल परमेश्वर मिलि सकैत छथि।2हुनकासंगे किछु स्त्रीसब सेहो यात्रा करैत छलीह जेकरा ओ दुष्टात्मास' मुक्ति द' क' बेमारीस' ठीक कएने छलथि। एहिमे मरियम सेहो छलीह जे मगदला गामक निवासी छलीह। यीशु सातटा दुष्टात्मासबके निकालने रहथि।3एहिमेस' एकटा आओर महिला छलीह योअन्ना। ओ राजा हेरोदके कर्मचारी खुसाके पत्नी छलीह। सुसन्ना आ आओर गोटेसब सेहो एहि स्त्रीसबसंगे रहए। ओसब अपन पाइके उपयोग यीशु आ हुनकर चेलासबके सेवा करबाक लेल करैत छलनि।4एकदिन बढ़का भीड़ जमा भ' गेल। लोकसब यीशुके देखबाक लेल अनेको शहरस' यात्रा करैत छलनि। ओ ओकरासबके ई दृष्टान्त सुनौलनि,5“एकटा किसान बिआ बाओग करएलेल निकलल। जखन ओ बाओग क' रहल छलनि, त' किछु बिआ रस्तापर खसल। लोक ओहि बिआ पर चलैत छल, आ आकाशके चिड़ैसब ओकरा खा गेल।6किछु बिआ पत्थलबला माटिमे गिड़ल। जखन ओ बिआ बढ़ल, त' गाछ एहिलेल मुरझा गेल जे ओकर जड़ि पत्थल पार क' क' माटि धरि नहि पहुंच सकल।7किछु बिआ एहन माटिमे गिड़ल जत कांटक गाछसब अपन बिआ छोड़िने रहैक। ओहि नवका कांटबला गाछसब सेहो ओहि छोट गाछ संगे बढ़ैत गेल। ओ बलगर कांटबला गाछ ओहि गाछके घेरने रहए, जेकर कारण ओ गाछ नीकस' नहि बढ़ि सकल।8मुदा किछु बिआ उपजाउ माटिपर खसि पड़ल। ओसब ततेक नीक जकां बढ़ल जे एहन फसल उत्पन्न भेल जाहिमे सय गुना बेसी बिआ रहए।” ई सबटा बात कहलाक बाद, यीशु भीड़के बजाक' कहलथि, “अहाँसबके एहि बातपर बेसी ध्यानस' विचार करबाक चाही जे बात अहाँसब हमरा कहैत सुनने छी!”9तखन यीशुके चेलासब हुनका पुछलनि, “ओहि दृष्टान्तके अर्थ की अछि?”10आ ओ कहलथि, “परमेश्वर अहाँसबके ई सौभाग्य देने छथि जे परमेश्वर राजाके रुपमे कोना शासन करताह, एहि विषयमे गुप्त बातसबके जानी। मुदा बांकी लोकके हम मात्र दृष्टान्तमे कहैत छी जाहिस', ‘ओसब ताकए तइयो नहि देखए, आ सुनितो नहि बुझए।’ 11आब, ओहि दृष्टान्तके अर्थ ई अछि जे ओ बिआसब ओहि बातके प्रतिनिधित्व करैत अछि जे परमेश्वर चाहैत छथि जे लोकसब बुझए।12रस्तामे जे बिआ खसल रहए, ई देखबैत अछि जं लोक परमेश्वरक सन्देश सतहीरुपमे मात्र बुझति अछि। एहिस' शैतान आबिक' ओकरासबके हृदयस' ओहि सन्देशके निकालब आसान भ' जाइत छनि। जाहिस', ओसब हुनकापर विश्वास नहि करैत अछि, आ तएं परमेश्वर ओकरासबके उद्धार नहि करैत छथि।13पत्थलबला जमीनपर जे बिआ खसल आ जड़ि नहि पकड़ने रहए, एहिस' ई बुझाति अछि जे की होइत अछि, जं केओ परमेश्वरक सन्देशके सुनिक' आनन्दपूर्वक ग्रहण त' क लैत अछि, मुदा ओ स्वयंके गम्भीरतास' समर्पित नहि करैत अछि। ओसब कनिके काललेल मात्र विश्वास करैत अछि। जहिना कठिन समय ओकरासबपर आबि जाइत छनि, ओसब परमेश्वरपर भरोसा करब छोड़ि दैत अछि।14कांटबला गाछक बीच जे बिआ खसल रहए, एहिस' ई बुझाति छै जे किछु लोकसंग की होइत अछि जे परमेश्वरक सन्देश सुनैत अछि। जहिना-जहिना ओसब अपन दैनिक जीवनमे आगु बढ़ैत अछि, एहि जीवनक चिन्ता, पाइ, आ सुखपर अपन पूरा ध्यान केन्द्रितक' दैत छथि। एकर परिणाम ई होइत अछि जे ओ आत्मिकरुपस' परिपक्व नहि होइत अछि।15मुदा जे बिआसब उपजाउ आ नीक माटिपर खसल रहए, एहिस' ई बुझाति अछि जे जं केओ परमेश्वरक सन्देश सुनैत अछि आ निष्ठापूर्वक हृदयमे ग्रहण करैत अछि, ओसब एकटा दृढ़ प्रतिबद्धता रखैत छथि, आ ओहि प्रतिबद्धताके पालन करबाक कारणे ओसब आत्मिकरुपस' परिपक्व भ' जाइत अछि।16एहि विषयमे सोंचि लिअ। जं लोक डिबिया बारैत अछि, त' ओकरा मौनीस' नहि झंपैत अछि। चौकीतरमे नहि रखैत अछि। बल्कि दिहैटपर राखि दैत अछि। एहि तरहें कोठलीमे जे केओ प्रवेश करए त' ओकर इजोतस' देख सकैक।17एहिस' ई बुझाति अछि जे आब जे किछु गुप्त अछि से कहियो सबकेओके देखएमे आओत। आ गुप्तमे रहल सबकिछु कहियो सबकेओ खुलामे देख सकैत।18तएं हम जे कहैत छी से ध्यानस' सुनू, कारण जं केओ परमेश्वरक सत्यपर विश्वास करत त' परमेश्वर ओकरा आओर बेसी बुझएमे सक्षम बना देताह। मुदा जं केकरो लग किछु नहि रहत, त ओकरा लग जे किछु अछि सेहो ओकरास' छिनएलेल जाएत”19एकदिन यीशुके माय आ हुनकर भाइसब हुनकालग आबि गेलनि, मुदा ओसब हुनकालग नहि पहुंच सकलनि, किएकत' ओहि घरके चारुकात एकटा बड़का भीड़ रहए जत ओ छलथि।20तखन केओ हुनका कहलनि, “अहाँके माय आ भाइसब बाहरमे ठाढ़ अछि, आ अहाँसंग भेट करए चाहैत अछि।”21मुदा ओ हुनकासबके उत्तर देलनि, “जे सब परमेश्वरके सन्देश सुनैत अछि आ ओकर पालन करैत अछि, ओसब हमरालेल ओतबे प्रिय अछि जतेक हमर माय आ भाइसब।”22दोसर दिन यीशु अपन चेलासबसंगे नावमे बैसि गेलाह। ओ हुनकासबके कहलनि, “हम चाहैत छी जे हमसब झील पार क' क' दोसर कात चली।” तएं ओसब झील पार करबाक यात्रा शुरु कएलनि।23मुदा जखन ओसब नावपर जाइत रहथि, त' यीशु सुति गेलथि। तेकरबाद झीलमे एकटा भयंकर तूफान उठल। तुरन्ते नावमे पानि भरि गेल, आ ओसब खतरामे पड़ि गेलनि।24तएं यीशुके चेलासब हुनका जगाबएलेल हुनकालग गेलनि। ओसब हुनका कहलनि, “यौ प्रभु! यौ प्रभु! हमसब मरएबला छी!” ओ जगलथि आ आन्हर बिहारि तथा उग्र लहरिके डांटिक आदेश देलनि। आन्हर बिहारि बंद भ गेल, लहरि नावस' टकराएब छोड़ि देलक आ सबकिछु शान्त भ' गेल।25तखन ओ हुनकासबके पुछलनि, “अहाँसब एहन व्यवहार कएलहुं जेना अहाँसबलग विश्वासे नहि अछि!” एखन जे भेल छल ताहि कारणे चेलासब अचम्भित आ डेरा गेल रहैक। ओसब एक-दोसरस' पुछैत रहलनि, “यीशुके भ' सकैत छथि? आन्हर बिहारि आ लहरिके सेहो आज्ञा देबएमे सक्षम छथि, आ ओहोसब हुनकर आज्ञा मानैत छथि।”26यीशु आ हुनकर चेलासब अपन यात्रा जारी रखलनि आ एकटा एहन क्षेत्रमे आबि गेलनि जत गिरासेनी लोक रहैत छलनि। ई गलील जिलास' गलील झीलके विपरीत दिस स्थित छल।27जखन यीशु नावस' उतरिक' जमीनपर पहुंचलथि, त' ओहि नगरक एकटा आदमी हुनकास' ओहि क्षेत्रमे भेटि कएलनि। ओहि आदमीमे दुष्टात्मा छलनि। ई आदमी बहुत दिनस' कपड़ा नहि पहिरने छल आ ओ घरमे नहि रहैत छलनि। बल्कि ओ कबरिस्तानमे रहैत छल।28जखन ओ आदमी यीशुके देखलक, त' ओ बड़ जोरस' चिकरिक आ हुनकर आगु खसि पड़ल। ओ चिचिआक' कहलक, “यौ सर्वोच्च परमेश्वरके पुत्र यीशु, अहाँ हमरास' की चाहैत छी? हम निहोरा करैत छी, हमरा कष्ट नहि दिअ!”29ओ आदमी ई एहिलेल कहलक जे यीशु एखने दुष्टात्माके ओकरामेस' बाहर निकलबाक आज्ञा देने छलथि। पहिने लोक ओकरा झिझिरस' बान्हिक' कड़ा पहरा दैत छल। तथापि कएबेर, दुष्टात्मा अचानक ओकरा जबरदस्ती पकड़ि लैत छल। त' ओ आदमी बन्हनके तोड़िक भागि जाइत छल, आ दुष्टात्मा ओकरा निर्जन स्थानमे पठा दैत छल।30तखन यीशु ओकरा पुछलनि, “तोहर नाम की छौ?” दुष्टात्मा उत्तर देलक, “हमर नाम सेना अछि।” ओ एना एहिलेल कहलनि जे ओहि आदमीमे बहुते दुष्टात्मासब रहए।31दुष्टात्मासब यीशुस' निहोरा करैत रहल जे ओकरासबके ओहि गहींर कुण्डमे नहि पठा दिअ जत परमेश्वर दुष्टात्मासबके दण्ड दैत छथि।32लगमे एकटा पहाड़पर सुगरक नमहर हेंड़ चरैत रहए। दुष्टात्मासब यीशुस' निहोरा कएलक जे ओकरासबके सुगरसबमे प्रवेश करबाक अनुमति दिअ, आ ओ ओकरासबके अनुमति द' देलथिन।33तखन ओ दुष्टात्मासब ओहि आदमीके छोड़ि सुगरमे पैसि गेल आ ओ सुगरक हेंड़ झीलके कातस' कुदि झीलमे खसि पड़ल आ डुबिक मरि गेल।34सुगरक देखभाल करएबला लोकसब जखन देखलक जे की भेल अछि त' ओसब भागि गेल! जे देखलक से ओसब अपन आसपास रहनिहार सबगोटेमे ई खबरि पसारि देलक।35तखन लोकसब बाहर आबि गेल जे बाहर की भेल अछि। जखन ओसब यीशुके चरणमे बैसल एकटा आदमीके देखलक, जेकरामेस' दुष्टात्मासब बाहर निकलि गेल छल। देखलक जे ओ कपड़ा पहिरने अछि आ ओकर मोन फेरु सामान्य भ' गेल अछि। ओसब बुझि गेल जे यीशु कतेक शक्तिशाली छथि, आ ओसब डेरा गेलै।36जे सब घटना देखने रहए, ओसब एखन आएल लोकसबके कहलनि जे यीशु कोना ओहि आदमीके उद्धार कएलनि जे दुष्टात्मासबके नियन्त्रणमे छल।37तखन गिरासेनी जत रहैत छल, ओहि ठामके बहुते लोक यीशुके अपन क्षेत्र छोड़िक जाएलेल आ ओकरासबके विनती कएलनि छोड़ि देबएलेल, कारण ओसब बहुत डेरा गेल रहए। तएं यीशु आ हुनकर चेलासब एकटा नावपर बैसिक' झीलके दोसर कात चलि गेलनि।38हुनकासबके जाएस' पहिने दुष्टात्मा लागल आदमी यीशुस' निहोरा कएलनि, “यौ हमरा अहाँ अपनेसंगे रहए दिअ!” मुदा ओकर बदलामे यीशु ओकरा ई कहिक' पठा देलथिन,39“नहि, घर घुरि जाउ आ सबगोटेके घोषणा क' दिऔ जे परमेश्वर अहाँके लेल कतेक नमहर काज कएने छथि!” तखन ओ आदमी जाक' शहरमे लोकसबके कहलनि जे यीशु ओकरालेल कतेक नमहर काज कएलथि।40आ जखन यीशु आ हुनकर चेलासब झीलके ओहिपार कफरनहूम चलि आएल, त' लोकसबके एकटा बड़का भीड़ हुनकासबके स्वागत कएलक। ओसब हुनका प्रातिक्षा करैत छलनि।41ओहि समयमे याइरस नामक एक आदमी, जे सभाघरके प्रमुखमेस' एक छलाह, यीशु लग आबि गेलाह आ हुनकर पयरपर आबिक' खसि पड़ल। ओ यीशुस' अपन घर आबएलेल निहोरा कएलनि।42ओ ई एहिलेल जे हुनका एकेटा बेटी छलनि, जेकर लगभग बारह वर्षके छलीह, आ ओ मरए लागल छलीह। ओ चाहैत छलनि जे यीशु ओकरा ठीक करथि। जखन यीशु ओकरासंगे गेलथि, त' बहुते लोक हुनका चारुकात भीड़ लागि गेल।43भीड़मे एकटा स्त्री छलीह जे बारह वर्षस' लगातार लेहू बहएस' पीड़ित छलीह। ओ अपन सबटा पाइकौड़ी वैद्यसबस' उपचार करएमे खर्च कएने छलीह जे ओकर मदति करए, मुदा ओहिमेस' केओ ओकरा ठीक करएमे समर्थ नहि भेल।44ओ यीशुके पाछु-पाछु गेलीह आ हुनकर वस्त्रके खूंटके छुबि लेलीह। तखनस' ओकर लेहू बहब रुकि गेलै।45यीशु पुछलथि, “हमरा के छुलक?” यीशुके चारुकात सबकेओ कहलनि जे ओसब हुनका हाथ नहि लगौने अछि। पत्रुस कहलनि, “यौ प्रभु, एत बहुत लोक छै जे अहाँके चारुकात भीड़ लगाक' अहाँ दिस धकेलि रहल अछि। एहिलेल केओ अहाँके छुबि लेने होएत!”46मुदा यीशु कहलथि, “हम जनैत छी जे केओ हमरा जानि बुझिक' छुबि लेलक, किएकत' हमरामेस' ओहि व्यक्तिके ठीक करबाक लेल शक्ति निकलि गेल अछि।”47तखने ओहि स्त्रीके बुझएमे आबि गेल जे ओ नुकाएल नहि रहि सकैत अछि। तएं ओ कंपैत यीशु लग आबि आदरपूर्वक हुनका समक्ष शिर निहरओलीह। जखन दोसर लोकसब सुनैत छल, त' ओ कहलनि जे ओ यीशुके किएक छुबि लेलीह आ कोना ओ तुरन्त ठीक भ' गेलीह।48यीशु ओकरा कहलनि, “ऐ बहिन, अहाँ विश्वास कएने रही जे हम अहाँके ठीक क' सकैत छी, तएं आब अहाँ ठीक भ' गेलहुं। आब अपन बाटपर चलि जाउ, आ परमेश्वरक शान्ति अहाँके संग रहए।”49जखन यीशु ओहि स्त्रीस' बात क' रहल छलथि, त' सभाघरके अधिकारी याइरके घरपरस' एकटा आदमी आएल ओ याइरके कहलनि, “अहाँके बेटी मरि गेल। तएं गुरु समय नाश नहि करियौ।”50मुदा यीशु ई बात सुनि याइरके कहलनि, “डेराउ नहि। मात्र! हमरापर विश्वास करु, त' ओ फेरुस' बंचि जएतीह।”51जखन ओ घरके बाहर पहुंचलथि, त' यीशु पत्रुस, यूहन्ना आ याकूब तथा बौआके बाबू आ मायके छोड़ि केकरो घरमे प्रवेश नहि करए देलथिन।52आ ओतए उपस्थित सबगोटे जोर-जोरस' चिचिआ रहल छलनि। ओसब लड़कीके मृत्युस' कतेक दुखित अछि से दर्शाबए' चाहैत छल। मुदा यीशु ओकरासबके कहलथि, “कानब बंद करु! ओ मरल नहि अछि! ओ त' मात्र सुतल अछि!”53आ ओसब हुनकापर हंसए लागल किएकत' ओकरासबके बुझल रहए जे बच्ची मरि गेल अछि।54मुदा यीशु ओकर हाथ पकड़िक' बजौलनि, “बौआ, उठू!”55आ तुरन्त ओकर प्राण फेरु आबि गेलैक आ ओ उठिक' बैसि गेलीह। यीशु ओकरासबके आज्ञा देलनि जे एकरा किछु खाएलेल दिऔ।56ओकर माय-बाबू आश्चर्यचकित भ' गेलनि, मुदा यीशु ओकरासबके कहलनि, जे किछु भेल अछि से केकरोस' नहि कहबनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.