Luke4

1यूहन्ना हुनका बपतिस्मा देलाके बाद यीशु यरदन नदीस' बाहर आबि गेलाह। पवित्र आत्मा हुनका पूर्णरुपस' सशक्त बना रहल छल। तखन पवित्र आत्मा हुनका निर्जन जगमे ल' गेलथि।2यीशु चालीस दिन धरि निर्जन जगमे रहलनि। जाधरि ओ ओतए' रहलथि ताधरि, शैतान हुनका परीक्षा लैत रहल। ओहि समयमे यीशु किछु नहि खएलथि। तएं ओहि उपासके दिनसब बित गेल त' हुनका बड़ भूख लागि गेलनि।3तखन शैतान यीशुके कहलनि, “जं अहाँ परमेश्वरके पुत्र सांच्चे छी त' एहि पत्थलके रोटी बनि जएबाक आज्ञा दिऔ, जाहिस' अहाँ खा' सकी!”4यीशु ओकरा उत्तर देलनि, “नहि, हम एना नहि करब किएकत' धर्मशास्त्रमे लिखल अछि, ‘मनुष्यके जीवित रहएलेल रोटीए मात्र नहि चाही।’” 5तखन शैतान यीशुके उंच पहाड़के उपर ल' गेलनि आ क्षणभरिमे हुनका संसारके सब देश देखा देलनि।6शैतान यीशुके कहलनि, “हम अहाँके एहि सब देशके शासक बना देब आ अहाँ एहिसब वैभवके मालिक बनि जाएब। हम ई एहिलेल क' सकैत छी जे परमेश्वर हमरा एहिसबपर नियन्त्रण करबाक अनुमति देने छथि, तएं हम जेकरा चाहब तेकरा देब' सकैत छी।7तएं जं अहाँ झुकिक' हमरा प्रणाम करु। तखन हम अहाँके सब पर राजकर' देब!”8मुदा यीशु उत्तर देलनि, “नहि, हम अहाँके प्रणाम नहि करब, कारण धर्मशास्त्रमे लिखल अछि, ‘अहाँ मात्र अपन प्रभु परमेश्वरके प्रणाम करब। हुनके मात्र अहाँके सेवा करबाक अछि!’” 9फेरु शैतान यीशुके यरूशलेम ल' गेलनि। मन्दिरके सबस' उंचगर स्थानपर बैसाक' कहलनि, “जं अहाँ सांच्चे परमेश्वरके पुत्र छी, त' एत' स' नीचा कुदि जाउ।10अहाँके कोनो आघात नहि होएत, कारण पवित्र शास्त्र कहैत अछि, ‘अहाँके रक्षा करबाक लेल परमेश्वर अपन स्वर्गदूतसबके आज्ञा देथिन।’11पवित्र शास्त्र इहो कहैत अछि, ‘जखन अहाँ खसब, त' स्वर्गदूत अहाँके अपन हाथेहाथ उठा लेताह, जे अहाँके कनिको चोट नहि लागए।’” 12मुदा यीशु उत्तर देलथिन, “नहि, हम एना नहि करब, किएकत' पवित्र शास्त्रमे इहो लिखल अछि: ‘अपन प्रभु परमेश्वरके परीक्षा नहि लिअ।’” 13जखन शैतान ईसब प्रकारस' यीशुके परीक्षा लेबएके प्रयास समाप्त भ' गेल, त' कोनो आन समयके प्रतीक्षा करएलेल शैतान यीशुस' दूर भ' गेलनि। जं ओ यीशुके फेरुस' परीक्षा लेबएके प्रयास कएलनि।14एकरबाद, यीशु पवित्र आत्माके सामर्थ्यमे ओहि निर्जन क्षेत्रके छोड़िक' गलील जिलामे घुरि गेलाह। ओहि क्षेत्रके सबलोक यीशुके विषयमे सुनैत छलनि आ ओसब आन लोकसबके सेहो हुनकर विषयमे कहलनि।15यहूदीसबके सभाघरसबमे लोकसबके शिक्षा दैत रहथि। फलस्वरुप सबलोक हुनकर प्रशंसा करैत छलनि।16तखन यीशु नासरत नगरमे गेलाह, जत' ओ पलल-बढ़ल छलाह। ओ खास क' क' यहूदीसबके विश्राम-दिनमे यहूदीसबके सभाघरसबमे जाइत छलाह। उचित समयपर ओ शास्त्रसबमेस' उच्च स्वरमे किछु पढ़एलेल ठाढ़ भेलाह।17यीशु ओहि किछु वचनके पढ़ए' चाहैत छलथि जे यशायाह प्रवक्ता बहुत पहिने कहने छलनि। तएं ओ ओहि चर्मपत्रके मंगबौलनि जाहिमे ई बातसब लिखल छलनि। सभाघरके एकटा सेवक हुनका हाथमे थम्हा देलनि। यीशु चर्मपत्रबला पुस्तक खोलिक' ओहि ठाम चलि गेलाह जत' ओ पढ़ए' चाहैत छलनि। आ ओ ई वचन पढ़लनि,18“प्रभुके आत्मा हमरा सामर्थ्यवान बना रहल छथि, हमरा विशेषरुपस' नियुक्त सेहो कएने छथि जे हम विनम्र लोकसबके परमेश्वरके सुसमाचार प्रचार करी। ओ हमरा जहलमे बैसल लोकसबके ई घोषणा करबाक लेल पठौने छथि जे ओसब मुक्त भ' जएताह, आ आन्हरसबके ई कहब जे ओसब फेरुस' देख सकत। ओ हमरा एहिलेल पठौने छथि जे दोसरद्वारा दबाओल लोकसबके उद्धार करी। 19आ घोषणा करी जे ई ओ समय अछि जे प्रभु लोकसबसंग दयालु व्यवहार करताह।”20तखन ओ चर्मपत्रके पुस्तक बंद क' क' सेवकके फेरु द' देलनि, आ ओ लोकसबके शिक्षा देबएलेल बैसि गेलाह। यहूदी सभाघरमे उपस्थित सबगोटे हुनका बड़ ध्यानस' देखैत छलनि।21ओ ओकरासबके ई कहिक' शिक्षा देब लगलाह, “हम त' मात्र पवित्र शास्त्रके एहि अंशके पूरा क' देलिऐ जखन अहाँसब हमरा पढ़ैत सुनलहुं।”22ओतए उपस्थित सबगोटे गवाही देलक जे हुनकर अनुग्रहके बात सुनिक' चकित भ' गेलाह। ओहिमेस' बहुते गोटे एक-दोसरस' कहलनि, “आश्चर्यक बात ई अछि जे ओ एहि तरहें बाजि सकैत छथि! ई यूसुफके बेटा त' अछि!” 23ओ ओकरासबके कहलनि, “अहाँसबमेस' किछुगोटे हमरा ई फकड़ा कहब, ‘यौ वैद्यजी, अहाँ अपने चंगा करु!’ एना कहबाक अहाँके माने ई अछि, ‘लोकसब हमरा कहने रहए जे अहाँ कफरनहूम नगरमे चमत्कार कएलहुं। जं अहाँ चाहैत छी जे हमसब विश्वास जे अहाँ एकटा प्रवक्ता छी, त' अहाँ अपने गाममे सेहो एहने चमत्कार करु!’”24तखन ओ कहलनि, “ई बात निश्चय सांच अछि जे हमरा अपने गाममे रहनिहारसब ई नहि मानैत अछि जे हम प्रवक्ता छी।25एहि सांच बातपर विचार करियौ: जहिया एलियाह प्रवक्ता जीवित छलाह तहिया इजराएलमे बहुते विधवासब रहैक। ओहि समयमे तीन साल, छओ मासधरि मेघ नहि वर्षा भेल। एहि कारणे देशभरिमे भयंकर अकाल पड़ि गेलनि। 26तथापि परमेश्वर एलियाहके इजराएलमे रहनिहार कोनो विधवाके सहायता करबाक लेल नहि पठौलनि। बल्कि परमेश्वर हुनका गैर-यहूदी नगर सोरके समीप सारफत नगरमे पठौलनि जे ओतहि एकटा गैर-इजराएली विधवाके मदति करथि। 27जहिया एलीशा प्रवक्ता जीवित छलाह तहिया इजराएलमे बहुते कोढ़ि फुटल व्यक्ति रहए। मुदा एलीशा ओकरासबमेस' केकरो नहि ठीक कएलनि। ओ मात्र नामानके ठीक कएलनि, जे एकटा गैर-इजराएली आदमी सीरिया देशके रहए।” 28यहूदी सभाघरमे उपस्थित सबलोकके जखन ई सबटा बात सुनौलनि त' ओसब बहुत क्रोधित भ' गेलनि।29तएं ओसब ठाढ़ भ' क' यीशुके पकड़िक' नगरस' बाहर अनलनि। ओसब हुनका नगरके बाहर एकटा चट्टानके कातमे ल' गेलनि जे हुनका फेकक' मारि देल जाए।30मुदा यीशु ओहि भीड़के बीचमेस' सहजपूर्वक निकलिक' अपन रस्ता चलि गेलाह।31ओतए' स' यीशु गलील जिलाक कफरनहूम नगर चलि गेलाह। यहूदीसबके विश्राम-दिन ओतएके यहूदी सभाघरमे शिक्षा दैत छलाह।32यीशु जे बात लोकसबके सिखबैत छलाह, से ओकरासबके आश्चर्यचकित क' देलकनि, किएकत' ओ एहन अधिकार भेल आदमी जकां बजैत छलाह जे जनैत होअए ओ कोन विषयपर बाजि रहल छथि।33ओहि यहूदी सभाघरमे एकगोटे एहन आदमी छल, जेकरा अशुद्ध आत्मा लागल रहए। ओ जोरस' चिचिआएल,34“यौ नासरतके यीशु! हमरासबस' अहाँ की चाहैत छी? की अहाँ हमरासबके नाश करएलेल आएल छी? हमरा बुझल अछि जे अहाँके छी! अहाँ परमेश्वरके पवित्र पुत्र छी!”35मुदा यीशु ओहि दुष्टात्माके डांटि देलनि। ओ आदेश देलनि, “चुप रह आ एकरामेस' निकलि जो!” ओ दुष्टात्मा जाहि आदमीमे लागल छल से ओकरा लोकके बीच जमीनपर खसा देलक। ओ आदमी बेहोस भ' गेल आ दुष्टात्मा ओहि आदमीके बिना कोनो नोक्सान पहुंचौने शरीरस' बाहर निकलि गेल।36सब लोकसब चकित भ' गेल। कतेको गोटे एक दोसरास' कहलनि, “हमसब कहियो एहन किछु नहि देखने छलहुं! हुनकर बात बहुत शक्तिशाली अछि! ओ दुष्टात्मासबके एहन अधिकारस' आज्ञा दैत छथि जे ओकरासबके हुनकर आज्ञा मानहि पड़तैक, आ जखन ओ ओकरासबके आज्ञा दैत छथि, त' ओसब आदमीमेस' बाहर निकलि जाइत अछि!”37अगल बगलके क्षेत्रमे सबठाम लोकसब यीशुके काजसबके विषयमे बातक' रहल छलनि।38तब ओहि दिन यीशु यहूदीसबके सभाघरस' निकलिक' सिमोनके घर गेलाह। ओतए ओकर सासु बेमार छलीह, हुनका तेज बोखार छलनि। ओतएके लोकसब यीशुस' हुनका चंगा करबाक लेल विनती कहलनि।39तखन यीशु ओहि ठाम जाक' हुनकालग ठाढ़ भ' गेलाह। ओ बोखारके छोड़एके आज्ञा देलनि, आ तहिना भ' गेल! हुनक बेमार सासु तुरन्त उठिक' हुनकासबके किछु भोजन परसिक' सेवा-टहल कएलक।40जखन सूर्य डुबए लागल त' बहुते लोक अपन मित्र आ सगा-सम्बन्धीके घरमे भेल बेमार लोकसबके यीशु लग अनलनि। प्रत्येक गोटेके माथपर हाथ राखि ओकरासबके ठीक कएलथि।41जखन यीशु ओहि बेमार लोकसबपर हाथ रखलनि त' ओकरासबमेस' बहुते लोकमे दुष्टात्मासब सेहो रहए। जखन दुष्टात्मासब बाहर निकलल त' ओसब यीशुपर जोरस' चिचिआइत बाजल, “अहाँ परमेश्वरके पुत्र छी!” मुदा ओ दुष्टात्मासबके आदेश देलनि जे लोकसबके हुनका विषयमे नहि कहए, किएकत' ओसब जनैत रहए जे ओएह मसीह छथि।42दोसर दिन भोरे-पराते यीशु एकान्त स्थानपर चलि गेलाह। लोकसबके भीड़ सेहो हुनका खोजबाक लेल निकलि गेलनि। जखन ओसब ओतए पहुंचलनि त' यीशुके फेरु छोड़िक' नहि जाए देबाक प्रयास कएलनि।43मुदा यीशु ओकरासबके कहलनि, “हमरा आन शहरमे रहनिहार लोकसबके सेहो ई सुसमाचार प्रचार करए पड़त जे ओकरासबके जीवनपर परमेश्वरके शासन भ' सकए, किएकत' परमेश्वर हमरा एत' ठीक एहने काज करबाक लेल पठौने छथि।”44ओ यहूदिया प्रदेशमे यहूदीसबके सभाघरमे प्रचार करैत रहलाह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67