Luke3

1इतिहासके ई भाग ओहि समयमे घटित भेल जहिया तिबिरियुस कैसरके रोमी साम्राज्यपर शासनके पन्द्रह वर्ष भ' गेल रहए। ओहि समयमे पन्तियुस पिलातुस यहूदिया प्रदेशके राज्यपाल रहथि। हेरोद एन्तिपास गलील जिलापर शासन करैत रहथि आ हुनकर भाइ फिलिपुस इतुरिया आ त्रखोनीतिसके क्षेत्रसबपर शासन करैत रहथि। अबिलेने क्षेत्रपर लुसानियासके शासन रहैक। 2यरूशलेम मन्दिरमे हन्ना आ काइफा मुख्य पुजारी रहथि। ओहि समयमे, परमेश्वर जकरयाहके बेटा यूहन्नाके संग निर्जन स्थानमे बात कएलनि ओहि समयमे ओ ओतहि रहैत छल।3यूहन्ना यरदन नदीके अगल बगल क्षेत्रके यात्रा कएलनि। जे लोकसब हुनकर वचन सुनाबाक लेल हुनकालग आएल हुनकासबके लेल ओ घोषणा करैत गेलाह, “जं अहाँसब चाहैत छी जे अहाँसबके पाप परमेश्वर क्षमाक' दिअए त' अहाँसबके जीवन जिअएलेल खराब रीति-रिवाजस' पश्चाताप करए पड़त। तखन मात्र हम अहाँसबके बपतिस्मा देब!”4जखन यूहन्ना एहि तरहें प्रचार कएलनि त' ओ बात सांच भ' गेल जे यशायाह प्रवक्ता बहुत दिन पहिनहि पुस्तकमे लिखने रहथि। ओहि पुस्तकमे लिखल गेल अछि, “निर्जन स्थानमे, केओगोटे कहि रहल होइक, ‘प्रभुके स्वीकार करबाक लेल स्वयंके तैयार करु! हुनक आगमनलेल बाट सोझ करु!’5जखन कोनो महत्वपूर्ण व्यक्ति कोनो खास सड़कस' जाएबला रहए त' लोकसब खधियासबके भरिक' सबटा उंच जगहके समतल क' दैत अछि। टेंढ़ बाटके सोझ करैत छथि, आ सब बाधाके हटा दैत अछि। एहि तरहें परमेश्वर ई सुनिश्चित करताह जे किछु एहन लोक होथि जे मसीहलेल तैयार छथि।6तखन सब प्राणीके परमेश्वरद्वारा लोकके उद्धार करबाक तरीका बुझएमे आबि जाएत।” 7एकटा बड़का भीड़ निकलिक' ओहि निर्जन स्थानमे पहुंचल, जत' यूहन्ना रहैत रहए, हुनकासबके बुझएमे अएलनि जे ओ बपतिस्मा देताह। तखन यूहन्ना ओकरासबके कहलनि, “तोंसब बिषधर सांप जेहन धूर्त आ खतरनाक छे! तोंसब एना सोंचैत छे जे हम तोरासबके बपतिस्मा द' दी त' जहिया परमेश्वर पापीसबके क्रोधस' दण्ड देथिन तहिया तोरासबके छोड़ि देथिन। मुदा हम तोरासबके एना नहि कहलिऔ!8तोरासबके पश्चाताप करबाक आवश्यक छौ जाहिस' ई बुझएमे आबए जे तोंसब अपन पछिला पापपूर्ण जीवनके बात व्यवहारसबके सांच्चे छोड़ि देने छे! आ स्वयंके ई कहनाइ सेहो बंद कर जे निश्चय परमेश्वर हमरासबके दण्ड नहि देताह, किएकत' हमसब अब्राहम वंशज छी! ई बात परमेश्वरके प्रभावित नहि क' सकैत अछि। हम तोरासबके विश्वास दिआबए चाहैत छियौ, जे परमेश्वर एहि पत्थलके सेहो अब्राहमके वंशजमे बदलि सकैत अछि!9तोंसब एहन फल देबएबला गाछ जकां छे जे नीक फल नहि दैत अछि। परमेश्वर ओहि मनुष्य जकां छथि जे अपन कुड़हरि ओहि गाछके जड़ि पर रखैत छथि जाहिके काटिक' आगिमे झोंकएलेल तैयार छथि।”10तखन भीड़मेस' किछु लोक हुनका पुछलनि, “तखन हमसब कोन तरहें काज करी जे परमेश्वर चाहैत छथि?”11ओ उत्तर देलथिन, “जं तोरासबमेस' केकरो लग दूटा अंगा छौ त' ओहिमेस' एकटा अंगा ओकरा द' दहीक जेकरालग एकौटा अंगा नहि होइक। जं केकरो लग बहुत बेसी भोजन होनि त' ओहि व्यक्तिके द' दहीक जेकरालग भोजन नहि होइक।”12किछु कर उठाबएबला सेहो आबि गेल, जे चाहैत रहए जे यूहन्ना ओकरासबके बपतिस्मा देथि। ओसब हुनकास' पुछलथिन, “हे गुरु, हमसब की करु?”13ओ ओकरासबके कहलनि, “रोमी सरकार जतेक पाइ लोकसबस' लेब' कहैत अछि, ओहिस' बेसी पाइ नहि लिअ!”14ओतए किछु सिपाहीसब सेहो रहए। ओसब सेहो पुछलथिन, “आ हमरासब की करु?” ओ ओकरासबके कहलनि, “लोकसबके हानि पहुंचएबाक धमकी द' क' वा किछु अनुचित काज करबाक झूठ आरोप लगाक' तों लोकसबके पाइ देबएलेल मजबूर नहि करियौ। सिपाहीके रुपमे जे कमाइत छे ताहिस' सन्तुष्ट रह।”15लोकसब बहुत दिनस' मसीहके आगमनके प्रतीक्षामे रहए। मुदा आब ओसब यूहन्ना प्रति मनेमन बहुत आशावादी भ' रहल छल। ओसब सोंचलनि जे ओएह मसीह भ' सकैत छथि।16मुदा यूहन्ना ओकरासबके कहलनि, “हम मसीह नहि छी। ओ आबि रहल छथि, आ ओ हमरास' बहुत महान छथि। ओ एतेक महान छथि जे हम हुनकर दासो बनबाक आ हुनकर जुताके डोंरी खोलएके योग्य नहि छी जं ओ घरमे घुरिक' आबथि! जखन हम अहाँसबके बपतिस्मा देलहुं त' हम पानिके प्रयोग मात्र करैत छी। मुदा जखन मसीह औताह तखन ओ अहाँसबके पवित्र आत्मा आ आगिस' बपतिस्मा देताह, जे अहाँसबके न्याय करताह आ अहाँसबके शुद्ध करताह।17मसीह सेहो ओहिना करएलेल तैयार छथि, जेना एकटा किसान अपन सुपके उपयोग करएलेल तैयार रहैत अछि। किसान नीक गहुमके बेकार भूंसास' अलग करैत अछि। गहुमके नीकस' बखारीमे धरैत छथि, मुदा भूंसाके जरा दैत छथि। एहिस' बुझएमे अबैत अछि जे मसीह परमेश्वरके प्रसन्न करएबला व्यक्तिके कोना एकत्रित करताह आ परमेश्वरके अप्रसन्न करएबला व्यक्तिके दण्डित करताह।”18एहि तरहें, यूहन्ना लोकसबके पाप करब छोड़ि परमेश्वरके अधीन रहएलेल आग्रह कएलनि, जेना हुनकाद्वारा सबगोटेके परमेश्वर दिसस' सुसमाचार सुनाओल जाइत छल।19यूहन्ना राजा हेरोद एन्तिपासके सेहो डांटि देलनि जे हेरोद एन्तिपास द्वारा कएल गेल बहुते दुष्कर्म कएल गेल छल। मुदा जखन यूहन्ना हेरोद एन्तिपासके डांटि देलनि जे ओ भाइके जीविते रहल समय अपन भाबो हेरोदियास' विवाह क' लेलनि।20तएं हेरोद एकटा आओर दुष्टकाज कएलनि। ओ अपन सिपाहीसबके आदेश देलनि जे यूहन्नाके जहलमे राखि देल जाए।21मुदा हेरोद एहि काजस' पहिने जखन यूहन्ना बहुत लोकसबके बपतिस्मा द' रहल छलाह तखन यूहन्ना यीशुके सेहो बपतिस्मा देलनि। जखन यीशु प्रार्थना क' रहल छलाह तखन आकाश खुजि गेल।22तखन पवित्र आत्मा शारीरिक रुपमे पेड़ुकी जकां यीशुपर अएलनि। तखन परमेश्वर स्वर्गस' यीशुस' बात कएलनि। ओ बजलाह, “अहाँ हमर प्रिय पुत्र छी, जेकरा हम बेसी प्रेम करैत छी। हम अहाँस' बहुत प्रसन्न छी!”23ओहि समयमे यीशु परमेश्वरके लेल अपन काज शुरु कएलनि। हुनकर उमेर लगभग तीस वर्षके रहए। ई यीशुके वंशावली अछि: लोकसब सोंचैत छल जे यीशु यूसुफके बेटा छथि। यूसुफ एलीके बेटा छलाह।24एली मतातके बेटा रहथि। मतात लेवीके बेटा रहथि। लेवी मलकीके बेटा रहथि। मलकी यन्नाके बेटा रहथि। यन्ना यूसुफके बेटा रहथि।25यूसुफ मततियाके बेटा रहथि। मततिया आमोसके बेटा रहथि। आमोस नहूमके बेटा रहथि। नहूम एसलीके बेटा रहथि। एसली नागैके बेटा रहथि।26नागै मातके बेटा रहथि। मात मत्तित्याहके बेटा रहथि। मततिया शिमीक बेटा रहथि। शिमी योसेखके बेटा रहथि। योसेख योदाहके बेटा रहथि।27योदाह योहनानक बेटा रहथि। यूहन्ना रेसाके बेटा रहथि। रेसा जरुब्बाबेलके बेटा रहथि। जरुब्बाबेल शालतिएलके बेटा रहथि। शालतिएल नेरीके बेटा रहथि। 28नेरी मलकीके बेटा रहथि। मलकी अद्दीके बेटा रहथि। अद्दी कोसामके बेटा रहथि। कोसाम इलमोदामके बेटा रहथि। इलमोदाम एरके बेटा रहथि।29एर यहोशूके बेटा रहथि। यहोशू एलीएजरके बेटा रहथि। एलीएजर योरीमके बेटा रहथि। योरीम मतातके बेटा रहथि। मतात लेवीके बेटा रहथि।30लेवी सिमियोनके बेटा रहथि। सिमियोन यहूदाके बेटा रहथि। यहूदा यूसुफके बेटा रहथि। यूसुफ योनामके बेटा रहथि। योनाम एलयाकीमके बेटा रहथि।31एलयाकीम मलेआहके बेटा रहथि। मलेआह मिन्नाहके बेटा रहथि। मिन्नाह मताताके बेटा रहथि। मताता नातानके बेटा रहथि। नातान दाऊदके बेटा रहथि। 32दाऊद यिशयके बेटा रहथि। यिशय ओबेदके बेटा रहथि। ओबेद बोअजके बेटा रहथि। बोअज सलमोनके बेटा रहथि। सलमोनके बेटा नाशोन रहथि। 33नाशोन अमीनादाबके बेटा रहथि। अमीनादाब अदमीनके बेटा रहथि। अदमीन अरनीके बेटा रहथि। अरनी हेस्रोनके बेटा रहथि। हेस्रोन पेरसके बेटा रहथि। पेरस यहूदाके बेटा रहथि।34यहूदा याकूबके बेटा रहथि। याकूब इसहाकके बेटा रहथि। इसहाक अब्राहमके बेटा रहथि। अब्राहम तेरहके बेटा रहथि। तेरह नाहोरके बेटा रहथि। 35नाहोर सरूगके बेटा रहथि। सरूग रऊके बेटा रहथि। रऊ पेलेगके बेटा रहथि। पेलेग एबेरके बेटा रहथि। एबेर शेलहके बेटा रहथि।36शेलह केनानके बेटा रहथि। केनान अर्पक्षदके बेटा रहथि। अर्पक्षद शेमके बेटा रहथि। शेम नूहके बेटा रहथि। नूह लामेकके बेटा रहथि।37लामेक मथूशेलहके बेटा रहथि। मथूशेलह हनोकके बेटा रहथि। हनोक यारेदके बेटा रहथि। यारेद महलालेलके बेटा रहथि। महलालेल केनानके बेटा रहथि।38केनान एनोशके बेटा रहथि। एनोश शेतके बेटा रहथि। शेत आदमके बेटा रहथि। आदम परमेश्वरद्वारा बनाओल गेल रहथि। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67