Luke5

1एकदिन जं यीशुके चारुकात लोकसबके नमहर भीड़ जमा भ' गेल रहए आ हुनकाद्वारा देल जा रहल परमेश्वरके सन्देशके शिक्षा सुनैत छलनि, ओहि समयमे ओ गन्नेसरत झीलके कातमे ठाढ़ छलथि।2झीलक कातमे दूटा माछ मारएबला नाव देखलनि। मलाहसब अपन नाव छोड़िक' माछ मारएबला जाल धोइत रहए।3यीशु ओहि दुनू नावमेस' एकटा नावपर चढ़ि गेलाह जे सिमोनके रहैक। यीशु ओकरा विनती कएलनि जे नावके झीलक कातस' कनिक आगु ल' चलू। तब यीशु नावमे बैसिक' भीड़के सिखाबए लगलाह।4ओ शिक्षा देब समाप्त कएलनि तब सिमोनके कहलनि, “अपन नावके गहींर पानि दिस ल' चलू आ माछ पकड़बाकलेल अपन जालके पानिमे फेकू।”5सिमोन उत्तर देलनि, “यौ गुरु, हमसब राति भरि मेहनति कएलहुं आ तखनो कोनो माछ नहि पकड़ाएल। अहाँ हमरा कहने छी जे ई काज करु तएं मुदा हम फेरु अपन जाल फेकब।”6तखन सिमोन आ ओकर संगीसब अपन जाल फेकक' एतेक माछ पकड़ि लेलक जे ओकर जाल फाटए लागल।7ओ दोसर नावमे अपन माछ मारएबला संगीसबके इसारा कएलनि जे आबि हुनकर मदति करथि। तएं ओसब आबि दुनू नावमे माछ एतेक भरि लेलक जे नावसब डुबए लागल।8सिमोन पत्रुस ई बात देख यीशुके समक्ष ठेहुनियां दैत कहलनि, “हे प्रभु, हमरास' दूर चलि जाउ, किएकत' हम पापी छी।”9ओ एना एहिलेल कहलनि किएकत' बहुते माछ जे ओ पकड़ने छलनि ताहिस' ओ अचम्भित भेलनि। हुनकासंग जे आन सबलोक रहए सेहोसब अचम्भित भेलनि।10एकदिन जब्दीके दुनू बेटा याकूब आ यूहन्ना, जे सिमोनके संगी रहैक, बहुते आश्चर्यचकित भ' गेलनि। मुदा यीशु सिमोनके कहलथि, “डेराउ नहि! एखन धरि अहाँसब माछ पकड़ैत छी, मुदा आब स' अहाँसब लोकसबके पकड़ब जे हमर चेला बनत।”11तएं ओसब नावके सुखल जमीनपर अनलाके बाद अपन माछ मारएके काज आ सबकिछु छोड़िक' यीशुके पाछु चलि गेलनि।12यीशु लगके एकटा शहरमे गेलाह। एकटा आदमी रहए जेकरा पुरे शरीर चर्मरोगस' झांपि देने रहए। यीशुके देखक' ओ जमीनपर ठेहुनियां द' क' हुनकर आराधना कएलनि। ओ हुनकास' निहोरा कएलनि, “यौ प्रभु, हमरा चंगा क' दिअ! हमरा बुझल अछि जे अहाँ हमरा चंगा क' सकैत छी जं अहाँके इच्छा अछि!”13तखन यीशु अपन हाथ बढ़ाक' ओहि आदमीके छुबि लेलनि। ओ कहलथि, “हम अहाँके चंगा कर' चाहैत छी, आ आब अहाँके चंगा क' रहल छी!” तुरन्त ओ आदमी चंगा भ' गेल। आब ओ कोढ़ि नहि रहि गेलनि।14तखन यीशु ओकरा कहलनि, “केकरो ई नहि कहबनि जे हम अहाँके चंगा क' देने छी।” अहाँ पहिने जाक' कोनो यहूदी पुजारीस' जांच कराउ, ओ अहाँके जांच करथि आ देखथि जे आब अहाँ कुष्टरोगी नहि छी। तब गवाहीके लेल विधिपूर्वक शुद्ध होएबाक लेल मूसा जे आज्ञा देने छथि, से बलिदान चढ़ाउ।15मुदा ओकर बदलामे जेना यीशु ओहि आदमीके चंगा कएलनि एहि विषयमे बेसी लोक सुनलनि। एकर परिणाम ई भेल जे एकटा नमहर भीड़ एहिलेल अएलनि जे ओसब यीशुके शिक्षा दैत सुनैक ओ बेमारीके चंगा करथि।16मुदा ओ खास क' क' ओकरासबस' दूर जाक' सुनसान स्थानपर प्रार्थना करैत छलाह।17एकदिन यीशु जखन शिक्षा दैत छलाह तखन फरिसी सम्प्रदायके किछु लोक आ किछु यहूदी व्यवस्थाके शिक्षकसब लगमे बैसल छलाह। ओसब गलील प्रान्तके बहुते गामस' आ यहूदिया प्रान्तके यरूशलेम नगर आ आन शहरस' आएल छलाह। एहिके संगहि प्रभु यीशु लोकसबके ठीक करएके शक्ति द रहल छलथि।18जखन यीशु ओतए छलथि, त' किछु लोक एकटा लकवा मारल आदमीके ल' आएल। यीशु ओतहि रहैत काल, ओसब ओहि आदमीके बिछाओनमे उठाक' लाबि ओकरा ओहि घरमे यीशुके सोझा सुताबए' चाहैत छलनि।19मुदा घरमे एतेक लोकसबके भीड़ रहलाके कारणे ओसब ओकरा भितर नहि ल' जाए सकलनि। एहिलेल ओ बाहरके सिढ़ही दने छप्परपर चढ़ि गेलनि। छप्परपर किछु खपरा निकालि भूंड़ क' देलनि। तखन ओहि आदमीके ओकर ओछाओन सहित भूंड़ दने भीड़के बीच ठीक यीशुके आगु नीचा उतारि देलनि।20जखन यीशुके जानकारी भेलनि जे ओसब विश्वास करैत अछि जे ओ ओहि आदमीके ठीक क' सकैत छथि, तखन ओ ओकरा कहलथि, “यौ भाइ, हम अहाँके पाप क्षमाक' दैत छी!”21शास्त्री आ फरिसीसब अपनामे सोंचैत छलाह, “ई आदमी ई कहिक' परमेश्वरके निन्दा क' रहल छथि! परमेश्वरके छोड़ि केओ पाप क्षमा नहि क' सकैत छथि!”22यीशु जनैत छलथि जे ओसब मनमे की सोंचि रहल छथि। तएं ओ हुनकासबके कहलनि, “हम जे कहलहुं ताहिपर अहाँसबके अपनामे कोनो प्रश्न नहि करबाक चाही!23एत किछु एहन घटना घटल अछि जाहिपर हम चाहैत छी जे अहाँसब नीक जकां सोंचू। की ई कहब आसान अछि जे हम अहाँके पाप क्षमाक' दैतछी, वा ‘उठिक' चलू फेरु?’ अहाँसब सोंचब, ‘हम अहाँके पाप क्षमा करैत छी’ कहब सहज अछि, किएकत' एहिलेल कोनो आन प्रमाणके आवश्यकता नहि अछि।24मुदा हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानि लिअ जे परमेश्वर हमरा, मनुष्यक पुत्रके, पृथ्वीपर लोकसबके पाप क्षमा करबाक अधिकार देने छथि। ई प्रमाणित करएलेल हम एहि आदमीके उठलेल कहब।” तखन ओ लकवा लागल आदमीके कहलथि, “हम कहैत छी, उठह, अपन बिछाओन उठाबए, आ घर जा!”25तुरन्त ओ आदमी ठीक भ' गेल! ओ सबके सोझा ठाढ़ भ' गेल। जाहि खाटपर पड़ल रहए से उठालेलक आ परमेश्वरके स्तुति करैत घर चलि गेलनि।26ओतए उपस्थित सबलोक अचम्भित भ' गेलनि! ओसब परमेश्वरके स्तुति कएलनि आ एकदम अचम्भित भेल जे ओसब यीशुके एना करैत देखलनि। ओसब डरस' कहैत रहलनि, “हमसब आइ अद्भुत काज देखने छी!”27एहिके बाद, यीशु ओहि ठामस' विदा भेलाह आ ओ लेवी नामक एकटा कर उठाबएबलाके देखलनि ओ कर लेबएबला चौकीपर बैसल रहए। जत लोकसबके रोमी सरकारद्वारा मांग ल गेल कर देबएलेल मनुष्य अबैत छल। यीशु ओकरा कहलथि, “हमरा पाछु आबि हमर चेला बनू!”28लेवी अपन काज छोड़िक' यीशुके पाछु चलि गेलनि।29बादमे लेवी यीशु आ हुनक चेलासबके लेल अपन घरमे एकटा नमहर भोज कएलनि। ओतए कर उठाबएबला आ आन लोकसबके भीड़ रहए जे हुनकासंग भोजन करैत छलनि।30तखन फरिसी सम्प्रदायके किछु लोक आ ओहिमेस' किछु यहूदी धर्म-नियमक शिक्षकसब यीशुके चेलासबके उलहन देलकनि, ओसब कहलनि, “अहाँसबके कर उठाबएबला आ आन पापीसबके संग खान-पान नहि करबाक चाही।”31तखन यीशु हुनकासबके कहलनि, “जे स्वस्थ अछि तेकरासबके वैद्यके आवश्यकता नहि छनि। जे बेमार अछि ओकरेसबके वैद्यके आवश्यकता छनि।32तहिना हम स्वर्गस' ओहि लोकसबके बजाबएलेल नहि आएल छी जे स्वयंके धर्मी बुझति अछि। हम ओहि लोकसबके बजाबएलेल आएल छी जे पापी अछि आ अपन पापपूर्ण व्यवहारस' पश्चाताप क' क' हमरा दिस घुमि जाइत अछि।”33किछु फरिसी आ व्यवस्था सिखाबएबला लोकसब यीशुके कहलनि, “यूहन्ना बपतिस्मा देनिहारके चेलासब बरोबरि उपास आ प्रार्थना करैत अछि। तहिना फरिसीसबके चेलासब सेहो करैत अछि। मुदा अहाँके चेलासब खाइत-पिबैत अछि! ओसब दोसर जकां उपास किएक नहि करैत अछि?”34यीशु उत्तर देलनि, “जखनधरि विवाह भवनमे विवाह चलि रहल अछि, बरातीसबके उपास करबाक लेल केओ नहि कहैत अछि!35मुदा कोनो दिन वर अपन बरातीसबके संग नहि रहताह। तखन ओसब उपास करत।”36तखन यीशु एकटा आओर दृष्टान्त देलनि जे हुनकर की माने छलनि। ओ कहलनि, “लोक कहियो नव वस्त्रके फाड़िक पुरना वस्त्रमे पेउन नहि सटैत अछि। जं एना करत त' नव वस्त्रके नोचिक' नाश क' देत आ नव कपड़ास' निकलल टुकड़ी पुरना वस्त्रमे मेल नहि खाएत।37आ नवका चुवाएल मद्यके भण्डार करबाक लेल केओ पुरना चमड़ाक थैलीमे नहि रखैत अछि। जं केओ एना करत, त' चमड़ाक थैली फाटि जाएत किएकत' जखन नवका मद्य बुलबुल्ला बनि पसरि जाएत, त' ओहिमे कोनो तनाब नहि रहत। तखन ओ चमड़ाक थैली नाश भ' जाएत, आ मद्य सेहो नाश भ' जाएत, कारण ओ चुबि जाएत।38एकर विपरीत नव मद्यके नव चमड़ाक थैलीमे राखल जाए।39जे सब पुरना मद्य मात्र पीबने छथि, ओसब नव मद्यके स्वाद नहि लेबए चाहैत अछि, किएकत' ओसब सोंचैत छथि, ‘पुरना मद्य बहुत नीक अछि!’”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67