Luke2

1ओहि समयमे रोमी सम्राट कैसर औगुस्तुस आदेश देलनि जे सारा संसारके रोमी साम्राज्यमे रहनिहारसबके जनगणना कएल जाए। माने ओतए' रहनिहार लोकसबके अधिकारीक सूचीमे ओकरासबके नाम राखब आवश्यक अछि।2रोमीसबके ई पहिन जनगणना छल जे ओ अपन साम्राज्यमे रहनिहार प्रत्येक व्यक्तिके नाम संकलित कएने छल। ई काज ओ ओहि समयमे कएलनि जखन क्विरीनियुस सीरिया प्रान्तके राज्यपाल छलाह।3तएं सबगोटेके जनगणना कराबएलेल अपन गाममे जाएके रहए।4यूसुफ, मरियमसंगे घर जाएलेल सेहो विदा भ' गेलाह। यूसुफके मरियमस' विवाह होएब तय भ' गेल रहए आ ओ गर्भवती सेहो छलीह। यूसुफ दाऊदक वंशज होएबाक कारणे ओ गलीलके नासरत नगर छोड़िक यहूदियाके बेतलेहम शहर चलि गेलाह, जाहिके दाऊदके नगर सेहो कहल जाइत रहए। यूसुफ आ मरियम सार्वजनिक अभिलेखमे लिखाबएलेल ओतए पहुंचलनि।5यूसुफ आ छेका भेल मरियमसंगे अपन नाम दर्ता कएलनि।6जखन ओसब बेतलेहममे पहुंचलनि त' ओत' आगंतुकसब रहनिहार स्थानमे हुनकासबलेल कनिको जगह नहि रहए। तएं हुनका दुनूगोटेके ओहि ठाम रहए पड़लनि जत' रातिमे मालजाल सुतैत छल। जखन ओसब ओतहि रहैत काल मरियमके जन्माशौचके समय भ' गेल रहए आ ओ अपन पहिन पुत्रके जन्म देलीह।7आ ओ अपन बेटाके कपड़ामे लपेटिक' एकटा नादिमे राखि देलनि, किएकत' सरायमे हुनकासबलेल कोनो जगह नहि रहैक।8ओहि रातिके घड़ीमे किछु चरबाहसब बेतलेहम लग एकटा खेतमे डेरा खसौने रहए। ओसब ओतहि अपन भेंड़ाके देखभाल करैत रहए।9ओसब अचानक देखलनि जे प्रभुके एकटा स्वर्गदूत ओकरासबके आगु ठाढ़ छथि। प्रभुके महिमाके चमक हुनकासबके चारुकात चमकि रहल छलनि। ओसब बेसी डेरा गेल रहए।10मुदा स्वर्गदूत ओकरासबके कहलनि, “डेराउ नहि! ध्यानस' सुनू, कारण हम अहाँसबके एकटा बड़का खबरि कहएलेल आएल छी! ई सुसमाचार सबके लेल अछि, आ एहिस' सबगोटेके खुशी होएबाक चाही!11ओसब आनन्दित होएताह किएकत' आइ राजा दाऊदके नगर, बेतलेहममे जे अहाँके अहाँसबके पापस' उद्धार करत, तिनकर जन्म भेल अछि! ओएह प्रभु, मसीह छथि।12अहाँसब जं बेतलेहममे जाएब त' एकटा चेन्ह भेटत, ओतए कपड़ामे लपेटल एकटा बालकके नादिमे राखल देखबै।”13तखन अचानक ओहि स्वर्गदूतके संग स्वर्गस' एकटा आओर असंख्य स्वर्गदूतके एकटा समूह देखाइ पड़ल। ओसब ई कहिक' परमेश्वरके स्तुति क' रहल छलथि,14“सबस' उपरका स्वर्गमे परमेश्वरके महिमा होनि, आ पृथ्वीपर ओकरासबके शान्ति भेटनि जेकरासबस' परमेश्वर प्रसन्न छथि!”15जखन स्वर्गदूतसब ओकरासबके छोड़ि स्वर्गमे घुरि गेलनि त' चरबाहसब एक-दोसरस' कहलनि, “हमरासबके एखने बेतलेहम जा' क' ई अद्भुत घटना देखबाक चाही जे प्रभु हमरासबके कहने छलथि!”16तखन ओसब हबड़-हबड़ चलि गेलाह, ओकरासबके ओ स्थान भेटलनि जत' मरियम आ यूसुफ रहैत छलाह, ओसब बालकके नादिमे पड़ल देखलनि।17बालकके देखलाक बाद ओहि बालकके विषयमे ओसब सबगोटेके कहि देलक।18चरबाहसबके बातस' सुनएबला लोकसब सहमत रहए जे ओ बालक अद्भुत छथि।19मुदा मरियम एहि सब बातके ध्यानस' मोनमे राखि सदैव एहिसबपर सोंचैत छलीह।20चरबाहसब ओहि खेतमे घुरिगेल जत' ओकरासबके भेंड़ा रहए। परमेश्वर कतेक महान छथि ताहिपर ओसब बतिआति आ सुनल-देखल जे किछु रहए ताहिके लेल हुनकर स्तुति करैत रहए। सबटा बात ठीक ओहिना भेल जेना स्वर्गदूत कहने रहथि।21ओसब बालकके जन्मके आठम दिन खतना क' क' बालकके नाम यीशु राखि देलनि। ई ओएह नाम रहए जे स्वर्गदूत मरियमके गर्भमे आबएस' पहिने रखबाक लेल कहने रहए। 22मरियम आ यूसुफ एतेक दिन धरि प्रतीक्षा कएलनि जे मूसाके व्यवस्था अनुसार हुनकासबके बच्चाके जन्म देलाके बाद फेरुस' शुद्ध करबाक आवश्यकता छलनि। तखन ओसब हुनका प्रभुके समक्ष समर्पित करबाक लेल यरूशलेम मन्दिरमे अनलनि। 23ओसब प्रभुके व्यवस्थाके आज्ञापालन करबाक लेल ई काज कएलनि, जाहिमे कहल गेल अछि, “अहाँसब ओहि बालकके प्रभुके लेल अलग राखू जे पहिने जन्म लेत।” 24ओतए' ओसब एहन बलिसब चढ़ओलनि जे प्रभुके व्यवस्थामे लिखल अछि, भर्खर जन्मल बेटाके लेल माय-बाबूके “दूटा पेड़ुकी वा दूटा पड़वा चढ़ाब' पड़त।” 25ओहि समयमे यरूशलेममे सिमियोन नामक एकटा आदमी रहए। ओ ओएह काज करथि जे धर्मी रहैक आ परमेश्वरक व्यवस्थाके पालन कएलनि। ओ इजराएलीसबके प्रोत्साहित करबाक लेल परमेश्वरद्वारा पठाओल मसीहके उत्सुकतापूर्वक प्रतीक्षा क' रहल छलथि। पवित्र आत्मा हुनका मार्गदर्शन क' रहल छलथि।26पवित्र आत्मा पहिनहि कहि देने रहथि जे हुनक मृत्युस' पहिने प्रभु अपन मसीहके पठौताह आ ओ हुनका देख पौतैक।27पवित्र आत्मा सिमियोनके मन्दिरके प्रांगणमे प्रवेश करौलनि। ओ तखन उपस्थित छलाह जखन यूसुफ आ मरियम बालक यीशुके ओहि विधिके पूरा करबाक लेल अनलनि जे परमेश्वरके व्यवस्थामे आज्ञा देल गेल अछि।28जखन सिमियोन यीशुके देखलनि, त' ओ हुनका कोरामे उठाक' परमेश्वरके धन्यवाद देलनि,29“प्रभु, अहाँ हमरासंगे जाहि बातसबके प्रतिज्ञा कएने छलहुं से पूरा कएलहुं, आब अपन दासके शान्तिमे मरए' दिअ।30किएकत' हम ओहि व्यक्तिके देख लेलहुं जे अहाँ लोकसबके उद्धार करबाक लेल पठौने छी,31जेकरा अहाँ तैयार कएने छी जे सबलोक देख सकए।32ओ एकटा इजोत जकां होएताह जे अहाँके सत्यके आन जातिसबके समक्ष उजागर करताह। ओ इहो देखाओत जे अहाँके योजना इजराएली, अहाँके लोकसबलेल कतेक महिमामय अछि।” 33जे बात सिमियोन यीशुके विषयमे कहलनि ओहिके सुनि हुनकर माय-बाबू आश्चर्यचकित भ' गेलथि।34तखन सिमियोन हुनका आशीष देलनि आ यीशुके माय मरियमके कहलथि, “हमर बातपर नीक जकां ध्यान दिऔ। परमेश्वर ई निश्चित क' लेने छथि जे एहि बालकके कारणे इजराएलमे रहनिहार बहुते लोकसब पतन आ उत्थान होएत, एहिनाक' परमेश्वरके अस्वीकार करताह। आ बहुते लोकसब स्वयंके परमेश्वरके अधीन करताह। परमेश्वरस' ओ एकटा एहन चेन्ह होएत जे बहुते लोकसब विरोध करत। 35अहाँके लेल, लोकसब हुनकासंग एतेक क्रूर काज करत ताहिस' अहाँके मनके एतेक दुखित क' देत, जेना तरुआरि अहाँके हृदयमे भोंकि रहल होइक। मुदा आवश्यक अछि जे ओ कतेको लोकसबके गुप्त विचारके उजागर क' सकथि।”36ओतए मन्दिरके प्रांगणमे हन्ना नामक एकटा प्रवक्तिनि सेहो उपस्थित छलीह। ओ बड़ बूढ़ छलीह। ओ आशेर कुलके फनूएलके बेटी छलीह। ओ विवाह क' क' सात वर्ष धरि मात्रे सुहागिन रहलीह। ओहिके बाद हुनक पति जीवित नहि रहल।37ओ चौरासी वर्षस' अधिक समय धरि विधवा रहलीह। मन्दिरमे ओ सदिखन रहैत छलीह आ राति-दिन उपास आ प्रार्थना करैत परमेश्वरके आराधना करैत छलीह।38ओहि समयमे, हन्नाह यूसुफ, मरियम आ बालक लग आबि गेलीह। आ ओ ओहि बालकके लेल परमेश्वरके धन्यवाद देब' लगलीह। तेकरबाद ओ यीशुके विषयमे बहुते लोकसबसंगे बातक' रहल छलीह जे परमेश्वरद्वारा पठाओल जाएबला मसीहके प्रतीक्षा करैत रहए जे यरूशलेमके लोकसबके छुटकारा देत। 39यूसुफ आ मरियम प्रभुके व्यवस्था अनुसार पहिन पुत्रलेल माय-बाबूद्वारा कएल जाएबला सबकिछु पूरा क' क' ओसब गलील प्रान्तके अपन नगर नासरत चलि गेलथि।40जेना बालक यीशु बढ़ैत गेलाह, ओ बलगर आ बहुत बुद्धिमान भ' गेलथि, परमेश्वरके दया हुनकर जीवनमे उपस्थित रहथि।41यीशुके माय-बाबू प्रत्येक वर्ष फसहके पर्व मनाबए लेल यरूशलेम जाइत छलथि। 42यीशु बारह वर्षके भ' गेलथि आ फसहके पर्वके समय सेहो आबि गेल, तखन ओसब संगे यरूशलेमके यात्रापर निकलि गेलथि।43पर्व समाप्त भेलाके बाद, यीशुके माय-बाबू घर घुरए लगलाह, मुदा हुनकर बौआ यीशु यरूशलेममे रहि गेलाह। मुदा हुनकर माय-बाबूके बुझएमे नहि अएलनि जे ओ एखनो ओतहि छथि।44ओसब सोंचलनि आन लोकसबके संग होएताह जे हुनकासबसंगे यात्रा करैत छथि। मुदा एकदिनके बाद ओ दुनूगोटे अपन कर-कुटुम्ब लग हुनका खोजए लगलाह। 45जखन ओ हुनका नहि भेटलनि त' ओ दुनूगोटे हुनका खोजबाक लेल यरूशलेम चलि गेलाह।46मरियम आ यूसुफ यरूशलेममे घुरलाके तीन दिनके बाद यीशु हुनकासबके मन्दिरमे भेटलथि। ओ यहूदी धार्मिक गुरुसबके बीच बैसल छलाह। हुनकाद्वारा देल जा रहल शिक्षा यहूदी धार्मिक गुरुसब सुनैत छलाह आ ओ ओकरासबस' प्रश्न सेहो पुछि रहल छलाह।47हुनकर बात सुनएबला लोकसब आश्चर्यचकित भ' गेलाह जे ओ कतेक ज्ञानी छथि आ कतेक नीक जंका शिक्षकसबद्वारा पुछल गेल प्रश्नके जबाब दैत छथि।48हुनकर माय-बाबू हुनका देखक' चकित भ' गेलाह। माय हुनका कहलनि, “बौआ, अहाँके हमरासबके संग एना नहि करबाक चाही। हमर बात सुनू! हम आ अहाँके बाबू अहाँके खोजएमे बहुत चिन्तित छलहुं!”49ओ हुनकासबके उत्तर देलनि, “हमरा आश्चर्य भेल जे अहाँसबके हमरा खोजबाक आवश्यकता पड़ि गेल। हमरा लागल जे अहाँसबके ई बुझल होएत जे हमरा अपन पिता परमेश्वरके घरमे रहब आवश्यक अछि।”50मुदा यीशुके माय-बाबू हुनकाद्वारा कहल बातके अर्थ नहि बुझि सकलनि।51तेकरबाद ओ हुनकासबके संग नासरत नगर चलि गेलाह आ हुनकर सबहक बात सदिखन मानैत रहलाह। जे घटना भेल रहए ओहिके विषयमे हुनकर माय बहुत गम्भीरतास' मनमे सोंचैत रहलीह।52जेना-जेना समय बितैत गेल, यीशु बुद्धिमे आ ओ शरीरमे बढ़ैत गेलाह। परमेश्वरके संगहि लोकसबद्वारा दया कएल गेलाह। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67