Luke24

1सप्ताहके पहिन दिन रविदिन भोरस' भोर, ओ स्त्रीसब जे यीशुसंगे गलीलस' आएल छलीह ओसब कबरपर गेलीह। यीशुके शरीरपर लगाबएलेल ओसब तैयार कएने मसल्‍ला अपनासंगे ल' क' आएल रहए।2जखन ओसब पहुंचल, त' ओसब देखलक जे कबरके प्रवेशद्वारपर रहल पत्थलके केओ गुड़का देने अछि।3ओसब कबरके भितर गेलीह, मुदा प्रभु यीशुके लास ओतए नहि छल!4ओकरासबके ई नहि बुझएमे अएलनि जे एहि विषयमे की सोंचल जाए। तखने दूटा उज्जर चमकैत, वस्त्र पहिरने अचानक ओकरासबलग ठाढ़ भ' गेलनि।5एहि बातस' स्त्रीसब बहुत भयभीत भ' गेलीह। ओसब अपन मुंह जमीन दिस नीचा क' क' बैसि गेल। ओ दुनू आदमी ओकरासबसंगे बतिअएलनि, “आदमी जीवित अछि ओहि आदमीके अहाँसब ओहि ठाम नहि खोजू जत मृतक सब गाड़ल जाइत अछि! 6ओ एत नहि छथि। ओ जीवित भ' गेल छथि! स्मरण करु जखन ओ गलीलमे अहाँसबहक संग छलाह त' ओ अहाँसबके कहने छलथि,7‘ओसब हमरा मनुष्यक पुत्रके पापी लोकसबके हाथमे सोंपि देत। आ ओ लोकसब हमरा क्रूसपर चढ़ाक' मारि देत। मुदा तेसर दिन हम फेरु जीवित भ' जाएब।’”8ओ स्त्रीसबके मोन पड़लनि जे यीशु ओकरासबके कहने छलथि।9तखन ओसब कबरके छोड़ि यीशुके एगारह चेलासब आ आन लोकसबलग जाक' जे घटित भेल छल से सुनौलकनि।10जे स्त्री ई प्रेरितसबके ई सबबात कहलीह ओ मगदला गामके रहनिहारि मरियम, योअन्ना, आ याकूबके माय मरियम आ आन स्त्रीसब सब छलीह,11मुदा एगारहो प्रेरितसब सोंचैत छलनि जे ई बात मूर्खइ लागल, तएं ओसब ओहि स्त्रीसब पर विश्वास नहि कएलनि।12तथापि पत्रुस निर्णय लेलनि ई देखबाक लेल जे बात सत्य अछि वा नहि। ओ कबर दिस दौड़ल। ओ निहुरिक' भितर तकलनि। ओ ओहि मलमलके कपड़ाके देखलनि जाहिमे यीशुके शरीर लपेटल रहए, मुदा यीशु ओतए नहि छलथि। तएं ओ ई सोंचैत कबरस' बाहर निकलि गेल।13ओहि दिन यीशुके दूटा चेला इम्माउस नामके दूरके गाम जा रहल छलनि जे यरूशलेमस' लगभग एगारह किलो मीटर दूर छल।14ओसब अपनामे ओएह बात बतिआति छल जे यीशुके संग भेल छल।15जखन ओ दुनू चेला जाक' ओहि बातसबपर चर्चाक' रहल छलनि, त' अचानक यीशु स्वयं ओकरासबलग आबिक' ओकरासबके संग चलए लगलाह।16मुदा परमेश्वर ओकरासबके ई बुझएस' रोकलनि जे ई यीशु छथि।17यीशु ओकरासबस' पुछलनि, “अहाँ दुनूगोटे चलैत काल की बातक' रहल छलहुं?” ओसब रुकि गेल, आ ओकरासबके मुंहपर बहुत उदास भाव छल।18मुदा ओकरासबमेस' एकगोटे जेकर नाम क्लियोपास छलनि, ओ उत्तर देलनि, “अहाँ एकमात्र एहन व्यक्ति होएब जे यरूशलेमके यात्रा करैत होएब आ ओतए किछु दिन पहिने घटल घटनाक विषयमे किछु नहि जनैत होएब!”19ओ ओकरासबके उत्तर देलनि, “कोन घटना घटल?” ओसब उत्तर देलनि, “यीशुके संग जे भेल रहए, ओ आदमी नासरतके रहनिहार छलथि, आ ओ जे एकटा प्रवक्ता छलथि। परमेश्वर हुनका पैघ चमत्कार करएमे आ अद्भुत सन्देश देबएमे सक्षम बनौलथि। अधिकांश लोकके विचारमे ओ अद्भुत छलाह।20मुदा हमरासबके मुख्य पुजारी आ अगुवासब हुनका रोमी अधिकारीसबके हाथमे सोंपि देलकनि। ओसब हुनका क्रूसपर चढ़ाक' मृत्युदण्ड द' क' मारि देलकनि।21हम आशा क' रहल छलहुं जे ई ओ आदमी अछि जे हमरा इजराएलीसबके अपन दुश्मनसबस' मुक्त करौतथि! मुदा आब ई सम्भावना कम बुझाति अछि, कारण रोमीद्वारा हुनका क्रूसपर चढ़ाएल तीन दिन बित गेल अछि।22एहिके अतिरिक्त, हमरासबके समूहमे किछु स्त्री हमरासबके आश्चर्यचकित क' देलीह। आइ भोरे भोरे ओसब कबरपर गेल छलीह जत' यीशुके दफनाओल गेल छल,23मुदा यीशुक लास ओतए नहि रहैक! ओ फेरु आबिक' हमरासबके सुनौलीह जे हमरासबलग अचानक किछु स्वर्गदूत आएल। आ ओ स्वर्गदूत कहलनि जे यीशु जीवित छथि!24तखन ओहिमेस' किछु जे हमरासबसंग छल से कबर दिस गेलै। आ देखलनि जे ओसब बात ओहिना रहए जेना ओ स्त्रीसब कहने छलीह। मुदा ओसब यीशुके नहि देखलनि।”25तखन यीशु ओहि दुनू चेलाके कहलनि, “अहाँ दुनूगोटेके हृदय अबूझ अछि! अहाँसब बहुत कमजोर छी जे ओहि सब बातपर विश्वास नहि क' सकैत छी जे प्रवक्तासब मसीहके विषयमे लिखने छलाह!26सांच्चे अहाँसबके ई बुझबाक चाही जे मसीहके लेल ई आवश्यक छलनि जे ओहि सब बातमे दुख उठाएब आ मारल जाए, आ फेरु ओ परमेश्वरक दिसस' बहुत महिमा प्राप्त क' सकताह!”27तखन यीशु ओकरासबके ओ सबटा बात बुझा देलनि जे धर्मशास्त्रमे हुनका विषयमे लिखल गेल अछि। ओ मूसा जे लिखने छलनि ताहिस' शुरु कएलनि, आ तखन ओ बतौलनि जे आन सब प्रवक्ता की लिखने छलनि। 28जखन ओसब ओहि गाम लग पहुंचलनि, जत ओ दुनू आदमी जा' रहल छल, तब यीशु ओहि ठामस' आओर आगु जएताह तेना देखौलथि।29मुदा ओसब हुनकास' एहन नहि करएलेल विनती कएलनि। ओसब कहलनि, “आइ राति हमरासबके संग रहू, किएकत' बेरिया बित गेल अछि आ जल्दिए अन्हारो भ' जाएत।” तएं ओ ओकरासबके संग रहबाक लेल घर भितर गेलथि।30जखन सबगोटे संगे भोजन करएलेल बैसलथि, त' ओ यीशु किछु रोटी ल' क' परमेश्वरके धन्यवाद देलनि। आ ओ ओकरा तोड़िक' ओहि दुनू आदमीके किछु देब' लगलथि।31आ तखन परमेश्वर ओकरासबके आंखि खुजि गेलै आ ओसब हुनका चिन्ह लेलक। मुदा तुरन्ते ओ बिला गेलथि!32ओसब एक दोसरास' कहलनि, “हमसब बाटपर चलैत काल जखन ओ अपनासब संग बतिआति छलथि आ अपनासबके शास्त्रके बुझएमे सक्षम बना रहल छलथि, तखन हमसब भितर मनस' बहुत उत्साहित छलहुं! एहिसबके माने इएह जे मसीहके कष्ट भोगए पड़तनि मुदा बादमे हुनका आदर भेटतनि।”33तखन ओसब ओहि समय घुरिक' यरूशलेम चलि गेलनि। ओतए ओकरा एगारहो प्रेरित आ किछु आओर लोकसबस' भेटलनि जे ओकरासंगे जमा भेल रहए।34ओ चेलासब आ आओर गोटे ओहि दुनू आदमीके कहलनि, “ई सत्य अछि जे प्रभु फेरुस' जीवि उठलाह। ओ सिमोनके सेहो देखएलेल प्रगट भेलथि!”35तखन ओ दुनू आदमी दोसरके बखान कएलक जे रस्तापर चलैत काल की भेल रहए। ओ हुनकासबके इहो बतौलनि जे ओ यीशुके कोना चिन्हलनि जखन ओ ओकरासबहक लेल किछु रोटी तोड़ि देलनि।36जखन ओसब ई बात कहि रहल छलाह तखन अचानक यीशु ओकरासबके बीचमे प्रगट भ' गेलाह। ओ ओकरासबके कहलनि, “परमेश्वर अहाँसबके शान्ति देथि!”37मुदा ओकरासबके मन शान्तिपूर्ण नहि छल। ओसब चकित छल आ डेरा गेल छल किएकत' ओकरासबके लागल जे ओसब कोनो भूत देख रहल छी!38मुदा यीशु ओकरासबके कहलथि, “अहाँसबके मनमे चिन्ता नहि करबाक चाही! आ शंको नहि करबाक चाही किएकत' हम जीवित छी।39हम भूत नहि छी। हमर हाथके घाव आ हमर पयरक घावके देखू! एहि तरहें अहाँसब मनमे निश्चिन्त भ' सकैत छी जे ई सचमुच हमहीं छी। भूतके शरीर नहि होएत अछि, जेना अहाँ देखैत छी जे हमरालग अछि, आ अहाँ हमरा साबित करबाक लेल छुबि सकैत छी जे हमर शरीर असली अछि।”40ई कहलाक बाद, ओ ओकरासबके अपन हाथ आ पयरके घावके देखौलनि।41ओसब एतेक खुश रहए जे ओसब एखनो बहुत कठिनस' विश्वास करैत छल जे ओ वास्तवमे जीवित छथि। तएं ओ ओकरासबके कहलथि, “अहाँसबलग एत किछु एहन अछि जे हम खा सकी?”42तएं ओसब हुनका पकाएल माछक एकटा कुटिआ देलक।43ओ ओकरासबके नजरिके सामने ओकरा खा गेलाह।44फेरु ओ ओकरासबके कहलथि, “हम ओहि बातके फेरुस' दोहराएब जे हम अहाँसबके पहिने कहने रही जं हम अहाँसबके संग छलहुं। परमेश्वर ओ सबकिछु पूरा करएबला छलथि जे ओ हम, मसीहके विषयमे मूसाके व्यवस्था, प्रवक्तासबके, सम्पूर्ण पवित्र शास्त्र जे कहैत अछि।”45तखन ओ ओकरासबके पवित्र शास्त्रमे हुनका विषयमे कहल गेल अछि से बुझएलेल मोनमे समझ देलथिन। ओ ओकरासबके कहलथि,46“ई ओ अछि जे अहाँसब पवित्र शास्त्रमे लिखल पढ़ि सकैत छी जे मसीह कष्ट उठाओत आ मरताह, मुदा तेकरबाद तेसर दिन, ओ फेरुस' जीवित भ' जएताह। 47पवित्र शास्त्र इहो कहैत अछि जे केओ मसीहपर विश्वास करैत अछि, ओकरा हुनका दिसस' जाक' घोषणा करबाक अछि जे परमेश्वर ओकरासबके क्षमाक' देताह जे पापस पश्चाताप करत। आ हम चाहैत छी जे अहाँ ई करु, एत यरूशलेममेस' शुरु करु आ दुनियांमे रहनिहार लोकसबके समूहमे हमरा नामस' जाउ।48अहाँसबके लोकसबके साक्षीमे ई कहए पड़त जे अहाँसब हमरासंग जे घटना घटल अछि से देखलहुं जे धर्मशास्त्र कहैत अछि जे मसीहके संग घटित होएत।49आ जेना हमर पिता वचन देने छलाह, हम अहाँसबके पवित्र आत्मा पठाबए जा रहल छी। मुदा जाधरि परमेश्वर अहाँसबके पवित्र आत्माके सामर्थ्य स्वर्गस' नहि द' देताह ताधरि अहाँसबके एहि यरूशलेम नगरमे रहबाक अछि।50तखन यीशु ओहि चेलासबके नगरस' बाहर ल गेलनि जाधरि ओसब बेतनिया गाम लग नहि पहुंच गेलाह। ओतए ओ हाथ उठएलनि आ ओकरासबके आशीर्वाद देलनि।51जखन आशीर्वाद देबाक ई काज ओ क' रहल छलथि, त' ओ ओकरासबके छोड़िक' स्वर्गमे चलि गेलथि। 52हुनकर आराधना कएलाक बाद ओसब बहुत आनन्दित भ' क' यरूशलेम घुरि गेलनि।53ओसब सबदिन मन्दिर जाइत छलनि आ ओतए परमेश्वरके धन्यवाद करैत समय बितबैत छलनि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67