John1
1सृष्टिस' पहिने, वचन अस्तित्वमे रहए। वचन परमेश्वरके संगे रहथि। वचन परमेश्वर रहथि।2ओ जे वचनके मानल जाइत छलथि से परमेश्वरके संगे रहथि।3ओहि वचनद्वारा, जे मसीह छथि, परमेश्वर सबकिछुके रचना कएलथि। हुनकाद्वारा बाहेक स' मिलिक' एहि जगतके सब किछुके रचना कएलनि।4वचन अनन्त जीवन दैत अछि, आ ओ अनन्त जीवन परमेश्वरके नीक आ सांच ज्योति अछि जेकरा ओ लोकमे प्रसारित कएलनि5परमेश्वर अपन नीक आ सांच ज्योतिके एहि दुष्ट संसारमे प्रसारित कएलनि, आ ई दुष्ट संसार जे ओकरा ग्रहण नहि कएलक।6परमेश्वर यूहन्ना नामक एकगोटेके पठौलथि जेकरा यूहन्ना बपतिस्मा दिएबलाके नामस' सेहो जानल जाइत छल।7बपतिस्मा देबएबला यूहन्ना यीशुके विषयमे जे ज्योति छथि, लोकसबमे प्रचार करएलेल आएल छलाह। ओ एहि बातके प्रचार कएलनि जाहिस' सबगोटे हुनकर गवाहीके माध्यमस' ओहि ज्योतिपर विश्वास करए।8यूहन्ना त' अपने ओ ज्योति नहि रहथि, मुदा ओ एहिलेल आएल रहथि जाहिस' लोकसबके ओहि ज्योतिके विषयमे गवाही बताबथि।9ओ सत्य' ज्योति यीशु रहथि, जे परमेश्वरक सत्यताके आ भलाइके सब लोकमे प्रसारित कएलनि। ओ ज्योति ओएह छलथि जे संसारमे आबएबला रहए।10वचन संसारमे रहथि, आ ओएह जगतके रचना कएलथि। मुदा तथापि, संसारके लोकसब हुनका नहि चिन्हलकनि।11ओ वचन ओकर अपने लोकसबके, यहूदीसब, लग आएल, परन्च ओसब हुनका अस्वीकारक' देलक।12मुदा सबहे ओ लोक जेकरा ओ हमर नाम ग्रहण कएलथि आ ओकरापर विश्वास कएलनि ओ परमेश्वरके सन्तान होएबाक अधिकार प्रदान कएलनि।13परमेश्वरक ई सन्तानसब आत्मिकरुपस' लेहू आ मासुस' उत्पन्न नहि भेल छल, आ नहि मानवीय इच्छास', आ नहि हुनकर पिताके इच्छास' आत्मिकरुपस' नहि जनमल छल। मुदा, ओसब परमेश्वरद्वारा आत्मिकरुपस' जनमल छल।14आ वचन देहधारी भेलथि आ अनुग्रह आ सत्यस' परिपूर्ण भ' क' हमरासबहक बीच निवास कएलथि, आ हमसब हुनकर महिमा एहन देखलहुं जेना की पिताके एकलौता पुत्रके महिमा।15यूहन्ना बपतिस्मा देनिहार लोकसबके वचनके विषयमे गवाही दैत रहैक। आ जे हुनकर आगु पाछु रहैक हुनकासबपर ओ चिचिआएल, “हम अहाँके कहने रही जे हमरा बाद केओ आबएबला अछि आ ओ जे हमरास' बहुते बेसी महत्वपूर्ण अछि किएक केओ हमरास' बहुत पहिने अस्तित्वमे रहए।”16हम जनैत छी जे वचनसब तरहेंस' परमेश्वरके दयालु काज आ सब सत्य ज्ञान सबके ग्रहण कएने छी किएकत' जे सब तरहेंस' अधिकारी छल ओहि दुआरे हमरासबके लाभ भेटल, आ एकके बाद एक भेल काजसबस' लाभ भेटल अछि।17एहन एहि दुआरे किएक की परमेश्वर जे मूसास' अपन व्यवस्था जे इजराएलीसबके देने रहथि। मुदा परमेश्वरक दयावान काज आ सत्य समाचार यीशु मसीहस' पूर्ण अस्तित्वमे अएलाह।18कहियो कोनो लोक जे परमेश्वरके नहि देखने अछि। मुदा ओ अद्वितीय यीशुए परमेश्वर अछि। ओ परमेश्वर पिताके संगे मे अछि, आ ओ अपने पिताके प्रगट सेहो कएने अछि।19यूहन्ना बपतिस्मा दिअएबला ई गवाही देने रहए जखन यहूदी अगुवासब यरूशलेम नगरस' किछु पुजारी आ लेवीके ओकरास' पुछएलेल पठौने छल की “अहाँके छी?”20ओहि समय यूहन्ना दृढ़तापूर्वक मानि लेलक जे हम मसीह नहि छी!21तखन ओसब हुनकास' पुछलक, “मुदा एहन अछि त, अहाँ छी के? की अहाँ एलियाह छी?” ओ कहलनि, “नहि”। ओसब फेरुस' पुछलक, “की अहाँ ओएह प्रवक्ता छी जेकरा विषयमे परमेश्वर जे कहने छलाह की ओ एत?” यूहन्ना कहलक, “नहि।”22फेरु ई पुजारीसब आ लेवीसब एक बेर फेरु यूहन्नास' पुछलक, “अहाँके छी? हमरा कहू जे हम ओहि भेजनिहार अगुवासबके समाचार दी की अहाँ की कहए छी। अहाँके होएबाक दाबी करैत छी?”23यूहन्ना ओकरा कहलक, “हम ओ लोक छी जे बिरान जगहमे एहिदुआरे किलोल क' रहल छी जे की जखन प्रभु आबए त' प्रभुके स्वीकार करएलेल तोरासबके तैयार करी। हम ओएह छी जेकरा विषयमे यशायाह प्रवक्ता शास्त्रमे पहिनहि कहि देने अछि।” 24ई पुजारी आ लेवी जेकरा यूहन्ना लग यरूशलेमके अगुवासब पठौने रहथि ओ फरिसी छलथि।25ओसब ओकरास' पुछलक, “तखन अहाँ नहि मसीह छी आ नहि एलियाह छी आ नहि कोनो प्रवक्ता छी, त' फेरु अहाँ किएक लोकसबके बपतिस्मा दैत छी?”26यूहन्ना हुनका कहलखिन, “हम त' लोकसबके पानिस' बपतिस्मा दैत छी, मुदा एहि समय अहाँसबहक बीचमे केओ एहनो अछि जेकरा अहाँसब नहि जनैत छी।27ओ हमर बाद आबएबला छथि, मुदा हम ई योग्य नहि छी जे हुनकर जुताके डोंरी खोलि सकी।” 28ई घटना यरदन नदीके पार पूर्वी दिशामे स्थिर बेतनिया गाममे घटल रहए। ई ओ जगह अछि जत' यूहन्ना लोकसबके बपतिस्मा दैत छलथि।29ई बातके भेलाक बाद दोसर दिन, यूहन्ना यीशुके अपने दिस अबैत देखलक। तखन ओ लोकसबके कहलक, “देखू! ओ अछि परमेश्वरके मेमना! ओ ई दुनियांमे रहनिहार लोकसबके पापक माफी लेल अपने स्वयंके बलिदानक' देताह। 30ई ओ व्यक्ति अछि जेकरा विषयमे हम अहाँसबके कहने रही की ‘केओ अछि जे हमरा बाद आओत आ जे हमरास' बेसी महत्वपूर्ण अछि, एहि दुआरे की ओ हमरास' बहुत पहिने अस्तित्वमे छलाह।’31पहिने त' हम नहि जनैत रही जे ओ के छलाह। तथापि, हम लोकसबके एहि उदेश्यस' पानिस' बपतिस्मा दैत रही जे ओकरा इजराएली लोकसबपर प्रगट करी।”32आ यूहन्ना गवाही देलनि, “हम पवित्र आत्माके एगो पेड़ुकी जकां प्रगट होएत स्वर्गस' नीचा उतरैत देखलहुं। फेरु ओ पवित्र आत्मा यीशुपर रुकि गेल।33हम नहि जनैत रही जे ओ के छलाह, मुदा परमेश्वर हमरा लोकसबके पानिस' बपतिस्मा देबएलेल पठौलाह आ हमरास' कहलाह, ‘जाहि व्यक्तिपर अहाँ हमर आत्मा उतरैत आ रुकैत देखब, ओएह ओ व्यक्ति होथि जे पवित्र आत्मास' बपतिस्मा देताह।’34हम ई देखने छी, आ हम अहाँपर ई गवाही दैत छी की ई व्यक्ति, यीशु, परमेश्वरक पुत्र अछि।”35ई बातसब घटित भेलाके परात भेने, यूहन्ना बपतिस्मा दिअएबला फेरुस' अपन दूटा चेलासबके संगे छल।36जखन ओ यीशुके लगस' गुजरैत देखलक, त' ओ कहलक, “देखू! ई हे अछि परमेश्वरके मेमना!”37तखन यूहन्नाक दुनू चेलासब जे सुनलक केओ कहने रहथि आ ओ यीशुके पाछु भ' गेल।38जखन यीशु पाछु घुमल आ ओकरा अपन पाछु अबैत देखलक, त' ओ ओकरास' पुछलक, “अहाँ केकरा खोजैत छी?” ओ ओकरास' कहलक, “हे रब्बी यहूदीसबके आरामीक भाषामे जेकर माने ‘गुरु’ होएत अछि, अहाँ कत' रुकल छी?”39ओ उत्तर देलक, “हमरासंगे आउ, आ अहाँ देख सकब!” तब ओसब आएल आ देखलक जत' यीशु ठहरल छलाह। ओहि दिन ओसब हुनके लग रुकि गेल किएकत' अबेर भ' रहल छल। ई लगभग चारि बजे बेरियाके समय छल।40जे सब ओहि बातके सुनने छल जे यूहन्ना कहने छलाह आ यीशुके पाछु भ' गेल रहए ओहि दुनू चेला सबमेस' एगो अन्द्रेयास रहए। ओ सिमोन पत्रुसके भाइ रहए41अन्द्रेयास पहिने गेल आ अपन भाइ सिमोन स' भेटल। जखन ओ हुनकालग आएल, त' ओ कहलक, “हमरा मसीह मिलि गेल अछि!” यूनानी भाषामे मसीहके माने “ख्रीस्ट” होइत अछि।42अन्द्रेयास सिमोनके यीशु लग ल गेल। जखन यीशु पत्रुस दिस तकलनि, त' ओ कहलनि, “अहाँ शमौन छी। अहाँके पिताक नाम यूहन्ना अछि। आइस' अहाँक नाम कैफा सेहो होएत।” कैफा एगो अरामी शब्द अछि जे यूनानीमे “पत्रुस” अछि आ ओकर अर्थ “चट्टान” होएत अछि।43एहि बातके बितलाक बाद परात भेने यीशु ओहि क्षेत्रके छोड़ि दएके निर्णय लेलनि। ओ गलील प्रान्तमे चलि गेल आ हुनका फिलिपुस नामक एगो व्यक्ति भेटल। यीशु ओकरास' कहलक, “आएब क' हमर चेला भ' जाउ।”44फिलिपुस गलीलके स्थित बेतसैदा नगरके रहनिहार छल। आ इहे ओ नगर अछि जत' के रहनिहार अन्द्रेयास आ पत्रुस सेहो छल।45तखन फिलिपुस गेल आ ओकरा नथनेल भेटल। जखन ओ ओकरा लग आएल, त' ओ कहलक, “हमरा मसीह भेटि गेल अछि जेकरा विषयमे मूसा जे व्यवस्थामे जे परमेश्वर इजराएलीसबके देने रहथि लिखने छल जेकरा विषयमे प्रवक्तासब जे कहने छलाह जे ओ अओताह। यीशु जे मसीह अछि। हुनकर पिताक नाम यूसुफ अछि। ओ नासरत नगरक रहनिहार अछि।” 46नथनेल जे उत्तर देलक, “नासरतक रहनिहार? निश्चय ओहि नगरस' किछुओ नीक वस्तु नहि निकलि सकैत अछि!” फिलिपुस उत्तर देलक, “चलू आ अपनेस' देख लिअ!”47जखन यीशु नथनेलके अपने लग अबैत देखलक, त' ओ ओकरास' कहलक, “देखू! ई त' एगो सांच्चे इजराएली अछि! ओ कखनो केकरो धोखा नहि दैत अछि!”48नथनेल जे ओकरास' पुछलक, “अहाँ कोना जनैत छी की हम केहन व्यक्ति छी?” यीशु उत्तर देलनि, “एहिस' पहिने जे फिलिपुस अहाँके बजौलनि हम अहाँके देखने रही, जाहि समय अहाँ अंजीरक गाछक नीचा एसगरे बैसल रही।”49तखन नथनेल घोषणा कएलक, “यौ रब्बी , अहाँ अवश्य परमेश्वरक पुत्र छी! अहाँ इजराएलक महाराजा छी जिनका हम प्रतीक्षा क' रहल छी!”50यीशु उत्तर देलथिन, “की अहाँ हमरापर मात्र एहि दुआरे विश्वास करैत छी की हम अहाँके कहली की हम अहाँके अंजीरक गाछ तर देखने रही? अहाँ हमरा एहन काज करैत देखब जे ओहिस' बढ़िक' होएत!”51फेरु यीशु ओकरास' कहलनि, “हम अहाँस' सत्य कहैत छी: जाहि तरहें के दर्शन अहाँक पूर्वज याकूब जे बहुत समय पहिने देखने छलाह, अहाँ स्वर्गके खुजल देखब, आ अहाँ परमेश्वरक स्वर्गदूतसबके उपर जाएत आ हमरा, मनुष्यक पुत्र सब पर उतरैत देखब।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.