Luke23
1तब सारा महासभा उठिक' ठाढ़ भ' गेल आ यीशुके रोमी प्रान्तीय शासक पिलातुस लग ल' गेल।2ओसब हुनकापर पिलातुस लग आरोप लगौलनि। ओसब कहलनि, “हमसब देखलहुं जे ई आदमी हमरासबके लोकके पथभ्रष्ट क' रहल अछि आ उपद्रव क' रहल अछि। ओ ओकरासबके कहि रहल छलनि जे रोमी सम्राट कैसरद्वारा लगाओल गेल कर नहि देबाक चाही। ओ इहो कहि रहल छलनि जे ओ मसीह, आ राजा छथि!”3तखन पिलातुस यीशुस' पुछलनि, “की अहाँ यहूदीसबके राजा छी?” यीशु उत्तर देलनि, “हं, ई एहने अछि जेना अहाँ हमरास' पुछि रहल छी।”4तखन पिलातुस मुख्य पुजारी आ भीड़मे रहल लोकसबके कहलनि, “ई आदमी कोनो अपराधके दोषी नहि अछि।”5मुदा यहूदीसबके शासकीय महासभा दिसस' आएल समूह यीशुपर आरोप लगबैत रहल। ओसब कहलनि, “ओ जनतामे दंगा कराबएके प्रयासमे अछि! ओ सौंसे यहूदियाके क्षेत्रमे अपन विचारके शिक्षा दैत आबि रहल अछि। ओ गलील क्षेत्रमे सेहो एहने करए लगलै, आ आब एत यरूशलेममे सेहो एहने काज क' रहल अछि!”6जखन पिलातुस ई बात सुनलनि जे ओसब कहने छल, त' ओ पुछलनि, “की ई आदमी गलीलवासी अछि?”7जखन पिलातुसके बुझएमे आबि गेलनि जे यीशु गलीलके रहनिहार अछि, जत हेरोद अन्तिपास शासक छलनि, तखन ओ यीशुके हुनकालग पठौलनि। ओहि समयमे हेरोद यरूशलेममे छलनि।8हेरोद जखन यीशुके देखलनि त' ओ बहुत हर्षित भ' गेलनि, किएकत' ओ बहुत दिनस' यीशुके देखए चाहैत छलनि। एना एहिलेल जे हेरोद हुनका विषयमे बहुत किछु सुनने छलनि, आ हुनका चमत्कार करैत देखएके आशा करैत छलनि।9एहिलेल हेरोद यीशुस' बहुत प्रश्न पुछलनि, मुदा यीशु ओहिमेस' एकौटा प्रश्नके उत्तर नहि देलथिन।10मुख्य पुजारी आ शास्त्रीसब यीशुपर बहुते अपराध करबाक दृढ़तापूर्वक आरोप लगाबएलेल आगु आएल।11तखन हेरोद आ ओकर सिपाहीसब यीशुके अपमान आ उपहास कएलक। ओसब हुनका राजा होएबाक नाटक करएबाक लेल राजसी वस्त्र पहिरा देलक। तखन हेरोद हुनका पिलातुस लग पठौलनि।12ओहि समय धरि दुनूगोटे एक-दोसरके घोर शत्रु छलनि, मुदा ओहि दिनस' हेरोद आ पिलातुसके मित्र बनि गेलनि।13तब पिलातुस मुख्य पुजारी, आन यहूदी धर्मके अगुवासब आ ओहि भीड़मे रहल लोकसबके बजौलनि जे एखनो ओतहि छल।14ओ ओकरासबके कहलनि, “अहाँसब एहि आदमीके हमरालग अनलहुं जे ओ लोकसबके विद्रोह करबाक लेल उकसाबि रहल अछि। मुदा हम चाहैत छी जे अहाँ ई जानि लिअ जे अहाँसबके सुनैत काल हुनकर जांच कएलाक बाद हम ई निष्कर्ष निकालैत छी जे अहाँसबके कहल कोनो बातमे ओ दोषी नहि छथि।15संगहि, हेरोद एकरा हमरालग बिना सजाय देने फिर्ता पठौने छथि। एकर अर्थ अछि जे ओ सेहो निष्कर्ष निकालने अछि जे ओ दोषी नहि छथि। तएं ई स्पष्ट अछि जे ई आदमी एहन कोनो काज नहि कएने अछि जे मृत्यु दण्डके योग्य अछि।16एहिलेल हम अपन सिपाहीसबके कहिक' ओकरा कोड़ा मरबा दैत छी आ फेरु ओकरा मुक्त क' देब।”17पिलातुस ई एहिलेल कहलनि जे ओकरा प्रत्येक फसहके पर्वमे एकटा कैदीके मुक्त करए पड़ैत छलनि।18मुदा भीड़मे रहल लोकसब होहल्ला कएलक, “एहि आदमीके मारि दिऔ! बल्कि हमरासबके लेल बरब्बाके मुक्त करु!”19आ बरब्बा ओ आदमी छल जे यरूशलेम नगरमे किछु लोकके रोमी सरकारके विरुद्ध विद्रोह करबाक लेल उकसौने छल। ओ एकटा हत्यारा सेहो छल। एहि अपराधके कारणे ओकरा जहलमे राखल गेल छल।20मुदा पिलातुसके बहुत इच्छा रहए जे ओ यीशुके छोड़ि दैक, तएं ओ फेरु लोकसबस' बतिआएके प्रयास कएलनि।21मुदा ओसब लगातार नारा लगबैत रहल, “ओकरा क्रूसपर चढ़ाउ! ओकरा क्रूसपर चढ़ाउ!”22तखन पिलातुस तेसर बेर भीड़मे रहल लोकसबस' बात कएलनि। “नहि! ओ कोनो अपराध नहि कएने अछि! ओ एहन काज नहि कएलक जे मारि देल जाए। तएं हम अपन सिपाहीसबस' ओकरा कोड़ा लगबाएब आ ओकरा मुक्त क' देब।”23मुदा भीड़मेस' लोकसब हल्ला करैत रहल आ मांग करैत रहल जे पिलातुस यीशुके क्रूसपर चढ़ाबथि। अन्तमे, लोकसब बहुत जोर-जोरस' होहल्ला करैत पिलातुसके मना लेलनि।24तखन पिलातुस घोषणा कएलनि जे ओसब जे चाहैत अछि से ओ करताह।25तखन पिलातुस ओहि आदमीके छोड़ि देलथिन, जेकरा छोड़ि देबाक लेल भीड़ कहने छलनि। ओ आदमी जहलमे एहि कारण छल, जे सरकारके विरुद्ध लड़िक' लोकसबके मारि देने छल! तखन पिलातुस सिपाहीसबके आदेश देलनि जे यीशुके ल' जा क' भीड़के इच्छा अनुसार काज करथि। 26जखन सिपाहीसब पिलातुसके महलस' यीशुके पकड़िक ल' जाइत छल, त' ओतए सिमोन नामक एकटा आदमी छल, जे अफ्रिका स्थित कुरेन नगरक रहनिहार छल। ओ गामस' यरूशलेम आबि रहल छल। जखन सिपाहीसब यीशुके ल' जा रहल छल, तखन ओसब सिमोनके पकड़ि लेलक। ओसब यीशुस' ओ क्रूस ल' क' आ ओसब सिमोनके कान्हपर राखि देलक। ओसब ओकरा उठाक' आ कहलनि यीशुके पाछु चलह।27आ आब एकटा बहुत भारी भीड़ यीशुके पाछु-पाछु चलि रहल छल। आ भीड़मे बहुत स्त्रीसब छलीह जे अपन दुख व्यक्त करबाक लेल अपन छाती पिटैत छलीह आ दुखस' हुनकालेल विलाप क' रहल छलीह।28मुदा हुनकर सहानुभूति स्वीकार करबाक बदला यीशु स्त्रीसब दिस घुमिक' कहलनि, “हे यरूशलेमके स्त्रीसब, हमरालेल नहि कानू! बल्कि, अहाँ अपनालेल आ अपन बच्चासबपर जे बड़का बात होबएबला अछि ताहिपर कानू!29किएकत' हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानि लिअ जे जल्दिए एहन समय आओत जखन लोक कहत, ‘ओ स्त्रीसब कतेक धन्य छथि जे कहियो बच्चा नहि जन्मौलक आ ने दूध पिओलक!’30मुदा ओहि नगरमे रहनिहार लोकसब ई कहत जे, ‘हमसब चाहैत छी जे पहाड़ हमरासब उपर खसि जाए आ पहाड़ी हमरासबके झांपि दए!’31एहि समयमे लोकलेल दोसरके संग अधलाह काज करब कठिन अछि, ठीक ओहिना जेना कांच लकड़ीमे आगि लगाबएमे कठिनाइ होइत छै। मुदा तखन, लोक सहजहि दोसरके संग भयावह काज सेहो क' सकैत अछि, ठीक ओहिना जेना सुखल लकड़ीमे आगि लगाबएमे सहजता होइत छै।”32दूटा आओर आदमी, जे अपराधी सेहो छल, यीशुक संग ओहि ठाम जा' रहल छल जत रोमीसब ओकरासबके मारि दितैक।33जखन ओसब ओहि ठाम पहुंचल जेकर नाम खोपड़ी छल, ओतहि सिपाहीसब यीशुके क्रूसपर कांटी ठोकिक' क्रूसपर चढ़ा देलक। आ ओहिना दुनू अपराधीके संग एहने काज कएलक। ओसब ओकरासबमेस' एकटाके यीशुके दहिनाकात आ दोसरके बामा कात क्रूसपर चढ़एलक।34मुदा यीशु कहलनि, “यौ पिता, एहि लोकसबके क्षमा करियौ। ओकरासबके नहि बुझल अछि जे ओसब की क' रहल अछि।” तखन सिपाहीसब हुनक कपड़ाके बांटएलेल चिट्ठा लगौलनि जे केकरा कोन भागके कपड़ा भेटतैक। 35बहुते लोकसब लगमे ठाढ़ भ' क' देखैत छलनि। ओसब यीशुके हंसी उड़बैत छल। यहूदी अगुवासब सेहो एहने काज कएलनि। ओ कहलनि, “ई आन लोकके बचौलक! जं परमेश्वर सांचोमे एकरा मसीह बनबाक लेल चुनलनि, त' एकरा स्वयंके बचाबए पड़तनि!” 36सिपाहीसब सेहो हुनकर मजाक उड़बैत छल। हुनकालग आबिक' किछु तिताह दाखमद्य देलनि।37ओसब हुनका मजाक उड़बैत कहलक, “जं अहाँ यहूदीसबके राजा छी, त' स्वयंके बचाउ!” 38हुनकर माथके उपर क्रूसपर सिपाहीसब काठके एकटा पाटी सेहो ठोकि देने रहथि जाहिपर लिखल रहए, “ई यहूदीसबके राजा छथि।”39ओहि अपराधीमेस' एकटा जे यीशुक बगलमे क्रूसपर लटकल छल से हुनका अपमान करैत कहलक, “जं अहाँ सांच्चे मसीह रहितहुं त' अहाँ स्वयंके बचा लितहुं, आ हमरासबके सेहो बचा लितहुं!”40मुदा दोसर अपराधी ओकरा एना कहबाकलेल ओकरा डांटि देलक। ओ ओकरा कहलनि, “तोरा परमेश्वरस' डरएबाक चाही! तहूं ओहि क्रूसपर छे, आ जल्दिए परमेश्वर तोरा न्याय करतौ।41हम दुनूगोटे त' न्यायोचित दण्ड भोगि रहल छी। ताहिके लेल ओसब हमरा दण्ड देने छथि। किएकत' हमसब ओहि दुष्ट कामके दण्ड भोगि रहल छी। मुदा जेकर तों अपमान क' रहल छे, ओ कोनो अधलाह काज नहि कएलनि!”42तखन ओ यीशुके कहलनि, “यौ यीशु, जहिया राजाके रुपमे अहाँ शासन करब त' कनिक हमरो विषयमे सोंचब आ हमरासंग नीक व्यवहार करब!”43यीशु उत्तर देलनि, “हम चाहैत छी जे अहाँ ई सांच्चे जानि लिअ जे आइ अहाँ हमरासंगे स्वर्गलोकमे रहब!”44तखन लगभग बारह बजेके समय छल। मुदा ओहि पूरा क्षेत्रमे दुपहर तीन बजे धरि अन्हार भ' गेल।45ओतए सूर्यके इजोत नहि छल। आ मन्दिरक भितर जे मोट पर्दा छल जे परम पवित्र स्थानके झंपने रहैक से दू भागमे फाटि गेल। 46जखन ई भेल, त' यीशु जोरस' बजलनि, “हे पिता, हम अपन आत्मा अहाँके हाथमे सोंपि दैत छी!” हुनका ई कहलाक बाद, ओ सांस लेबए बंद क' देलनि आ मरि गेलाह।47जखन ओ कप्तान जे सैनिकके आदेश द' रहल छल, जे सब घटित भेल छल से देखलनि, त' ओ कहलनि, “सांच्चे, ई आदमी धर्मी मनुष्य छलनि!” जे ओ कहलनि ओहिस' परमेश्वरक प्रशंसा भेल।48जखन भीड़मे जे आदमीसब एकरासबके मृत्यु देखएलेल जमा भेल छल, ओसब देखलक जे वास्तवमे की भेल छल, तखन ओसब दुखस' छाती पिटैत अपन अपन घरदिस घुरिगेल।49मुदा जखन बांकी भीड़ चलि गेल, त' जे केओ यीशुके चिन्हैत छल, जाहिमे ओ स्त्रीसब सेहो छलनि, जे हुनकासंग गलील क्षेत्रस' आएल छलीह, से किछु दूरीपर सब ठाढ़ भेल छल, आ ओतहिस' जे किछु घटित होइत रहए से से देखैत छल। 50ओतए एकटा यूसुफ नामक आदमी छल जे यरूशलेममे रहैत छल। ओ नीक आ धर्मी लोक छल जे यहूदी महासभाके सदस्य सेहो छलाह।51मुदा महासभाके आन सदस्यसंगे ओ सहमत नहि छल, जखन ओसब यीशुके मारबाक निर्णय लेलनि आ जखन ओसब योजना बनौलनि जे एकरा कोना करबाक अछि। आ ओ यहूदीके अरिमतिया नगरके रहनिहार छलनि। ओ ओहि समयके प्रतीक्षामे छलनि जखन परमेश्वर अपन राजाके शासन शुरु करबाक लेल पठा देताह।52यूसुफ पिलातुस लग जाक' पिलातुसस' निहोरा कएलनि जे हुनका यीशुके लास गाड़बाक अनुमति देथि, पिलातुस हुनका अनुमति द' देलनि,53तखन यूसुफ यीशुके लासके क्रूसस' नीचा उतारि लेलनि। आ ओ हुनका मलमलके नमहर वस्त्रमे लपेटि लेलक। आ तखन यीशुके लासके एकटा कबरमे राखि देलक जे केओ सोझे चट्टानमे काटिक बनौने छलनि।54ई घटना ओहि दिन भेल जखन यहूदीसब अपन विश्राम-दिन लेल तैयार भ' रहल छल। आ तुरन्ते सूर्यास्त भेलाके बाद विश्राम-दिन शुरु होबएबला छल। 55जे स्त्री यीशुक संग गलील क्षेत्रस' आएल छलीह, ओ यूसुफ आ जे लोक हुनकासंग छलनि से हुनका पाछु-पाछु चललनि। ओसब ओहि कबरके देखलनि, आ इहो देखलनि जे कोना लोकसब यीशुके लासके ओहिमे राखि देलनि।56तखन ओ स्त्रीसब ओतएस' घुरिक' चलि गेलीह जत रहैत छलीह, जे यीशुके लास पर लगाबएलेल मसल्ला आ लेप तैयार क' सकथि। मुदा जखन आज्ञा अनुसार विश्राम-दिन शुरु भेल, त' ओसब काम करब बंद क' देलनि, जेना यहूदीसबके व्यवस्थामे कहल गेल छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.