Luke22
1अखमीरी रोटीके पर्व जेकरा फसहके पर्व सेहो कहल जाइत अछि से मनाबएके समय आब लगचिआ गेल छल।2मुख्य पुजारीसब आ यहूदी धर्म-नियमक शिक्षकसब बिना दंगा फसात भेलए यीशुके मारि देबएके उपायमे छल किएकत' बहुते गोटे हुनका एकटा महान पुरुष मानैत छलनि। ओसब लोकसबस डेराइत रहए।3तब शैतान यहूदामे प्रवेश कएलक, जेकर दोसर नाम इस्करियोती छल। आ ओ बारह चेला सबमेस' एकगोटे छल।4ओ जाक' मुख्य पुजारी आ मन्दिरक पहरदारके अधिकारीसबस' एहि बातके लेल बतिआएल जे ओ कोना यीशुके पकड़एमे ओकरासबके मदतिक' सकैत अछि।5ओ यहूदी अगुवासब गदगद भ' गेल जखन ओ एहन प्रस्ताव कएलनि। तखन ओसब कहलनि, जं ओ एना करत त' ओसब ओकरा पाइ देतैक।6तब यहूदा मानि गेल, आ ओ यीशुके पकड़मे ओकरा मदति करबाक एहन कोनो उपाय खोजए लागल जत लोकसबके भीड़मे ओकरा नहि देख सकैत छलनि।7तब अखमीरी रोटीके दिन आबि गेल। ई ओएह दिन छल जहिया यहूदी लोकसबके भेंड़ा बलि करबाक छल जे ओसब फसहके भोजमे खएतै।8एहिलेल यीशु पत्रुस आ यूहन्नाके ई निर्देश दैत पठौलनि, “जाउ आ फसह-भोज करबाक तैयारी करु जे हमसब एकसंग खा' सकी।”9ओसब हुनका उत्तर देलकनि, “अहाँ कत चाहैत छी जे हमसब भोजके तैयार करी?”10ओ उत्तर देलथिन, “ध्यानस' सुनू। जखन अहाँसब गाममे जाएब, त' एकटा आदमी पानिके घैला लेने अहाँके भेटत। त' ओकर पाछु-पाछु ओहि घरमे जाएब जाहि घरमे ओ प्रवेश करत।11ओहि घरके मालिकके कहबनि, ‘हमरासबके गुरुजी कहलथि जे ओ कोठली हमरासबके देखा दिअ जत ओ, आ अपन चेला, हमरासबसंगे फसह-भोज खएथिन।’12ओ अहाँके दूमहला घरपर एकटा नमहर कोठली देखाओत। ओ पाहुनके स्वागत करएलेल ओ नीक जकां सजाओल होएत। ओतहि अपनासबलेल भोजन तैयार करब।”13तखन ओ दुनू चेला नगरमे गेल। आ ओकरासबके सबकिछु ठीक ओहिना भेटलनि जेना यीशु ओकरासबके कहने छलथि। तएं ओसब ओतहि फसह-पर्वके लेल भोजन तैयार कएलनि।14जखन फसहके भोजन करबाक समय भेल, त' यीशु आबिक' बारहो प्रेरितसबसंग बैसि गेलथि।15यीशु अपन चेलासबके कहलनि, “हम मरएस' पहिने अहाँसबसंगे ई विशेष फसह-भोज खाए चाहैत छलहुं।16हम अहाँसबके कहैत छी, दोसर बेर जं हम ई भोजन करब से ओ ओहि समयमे पूरा होएत जहिया परमेश्वर एकरा अथाह अर्थ प्रदान करथिन जाहि समयमे ओ राजाक रुपमे सबठाम शासन करताह।”17तखन ओ दाखरसके प्याला उठएलनि आ एहिके लेल परमेश्वरके धन्यवाद देलनि। आ ओ अपन प्रेरितसबके कहलनि, “ई दाखरस ल' क' अहाँसब अपनामे बांटि लिअ।18हम चाहैत छी जे अहाँसब ई काज करु किएक, त' हम अहाँसबके कहैत छी जे हम ओहि समय धरि फेरुस' अंगूर बगानके रस नहि पीबि जहिया परमेश्वर राजाके रुपमे सबठाम राज नहि करताह।”19फेरु ओ किछु रोटी ल' क' परमेश्वरके धन्यवाद देलनि। आ ओकरा तोड़िक' सबके खाएलेल देलनि। जखन ओ एना कएलनि, तखन ओ कहलनि, “ई रोटी हमर देह अछि, जेकरा हम अहाँसबहक लेल बलिदान देब जा रहल छी। हमर सम्मानके लेल फेरुस' अहाँसब एना करब।”20एहि तरहें, सबगोटे भोजन कएलाके बाद, ओ दाखरसके प्याला उठएलनि आ कहलनि, “ई नव करार अछि जे हम अपने लेहू प्रयोग क' क' बान्हब आ हमर मृत्युके समयमे हमर घावस' हमर लेहू अहाँसबके लेल बहत।21मुदा हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानि लिअ जे हमरा हमर दुश्मनके हाथमे जे व्यक्ति सोंपि देत से एत अपनासबसंगे भोजन क' रहल अछि। 22हम ई बात एहिलेल कहि रहल छी किएकत' हम, मनुष्यक पुत्र वास्तवमे ओहि तरहें मरब जेना परमेश्वर निर्धारीत कएने छथि। मुदा ओकरालेल कतेक भयावह होएत जे हमरा हमर शत्रुसबके हाथमे सोंपि देत!”23तखन ओ चेलासब एक-दोसरस' पुछए लागल जे ओकरासबमेस' के वास्तवमे यीशुके सोंपिक धोखा देत।24एकरबाद, चेलासब अपनामे विवाद करए लागल जे ओकरासबमेस' सबस' बेसी महत्वपूर्णके अछि।25यीशु ओकरासबके उत्तर दैत कहलनि, “आन जाति देशसबके राजासबके ई देखाबएमे नीक लगैत अछि जे ओ शक्तिशाली छथि। तइयो ओसब स्वयंके नाम दैत अछि ‘आन लोकके सेवा करएबला।’26मुदा अहाँसब ओहि शासकसब जकां नहि बनू! बल्कि, अहाँसबमे सबस' बेसी सम्मानित लोक एहन व्यवहार करबाक चाही जेना ओ अहाँसबमे सबस' कम सम्मानित होथि। जे केओ अगुवाइ करैत अछि ओकरा दास जकां सेवा करबाक चाही।27किएकत' अहाँसब जनैत छी जे महत्वपूर्ण व्यक्ति ओ अछि जे टेबुलपर भोजन करैत छथि, ओ दास नहि जे भोजन परसति अछि। मुदा जाहि समयपर हम, अहाँसबके अगुवा, अहाँसबके सेवा क' क' अहाँसबके लेल एकटा दृष्टान्त स्थापित क' रहल छी।28अहाँसब ओएह लोक छी जे कठिन घड़ीमे हमरासंग ठाढ़ रहलहुं जखन हम विपत्तिमे छलहुं।29एहिलेल आब हम अहाँ सबकेओ महत्वपूर्ण पदपर नियुक्त क' रहल छी जत' अहाँसब शासन करब, ठीक ओहिना जेना हमर पिता हमरा राजाके रुपमे शासन करबाक लेल नियुक्त कएने छथि।30जखन हम राजा बनब तखन अहाँ हमरासंगे बैसिक' खाएब आ पिएब। सांच्चे कहि त, अहाँसब सिंहासनपर बैसिक' इजराएलके बारहो कुलके लोकसबके न्याय करब।31सिमोन, यौ सिमोन, अहाँ ध्यान दिअ! शैतान जे परमेश्वरस' ओकराद्वारा अहाँके परीक्षा करबाक लेल कहल गेल अछि, जाहि तरहें केओ गहुमके सुपमे फटकैत अछि, आ परमेश्वर ओकरा एना करबाक अनुमति देने छथि।32मुदा यौ सिमोन, हम अहाँके लेल प्रार्थना कएने छी। आ हम परमेश्वरके कहने छी जे अहाँ हमरापर विश्वास करब पुरापुरी नहि छोड़ब। एहिलेल जं अहाँ निर्णय लेब जे अहाँ हमरापर सांच्चे विश्वास करैत छी तब अहाँके संगी चेलासबके हमरापर सेहो विश्वास करबाक लेल प्रोत्साहित करब।”33पत्रुस हुनका कहलकनि, “यौ प्रभु, हम त' अहाँके संग जहलमे जएबाक लेल तैयार छी। आ एतधरि जे हम अहाँके संग मरबाक लेल सेहो तैयार छी!”34यीशु कहलखिन, “पत्रुस, हम चाहैत छी जे अहाँ ई जानि लिअ जे आइ राति मुर्गा बांग देब स' पहिने अहाँ तीनबेर कहब जे अहाँ हमरा नहि चिन्हैत छी!”35फेरु यीशु चेलासबस' पुछलनि, “जखन हम अहाँसबके सुसमाचार सुनाबए गाममे बाहर पठएलहुं, आ अहाँसब चलि गेलहुं बटुआमे बिना कोनो पाइ, भोजन, आ जुता ल' क', तखन की अहाँसबके कोनो चीजके आवश्यकता छल आ ओ पूरा नहि भेल?” ओ जबाब देलनि, “नहि, एहन किछु नहि छल!”36यीशु ओकरासबके कहलखिन, “मुदा, आब, जं अहाँसबमेस' केकरो लग बटुआमे पाइ अछि, त' ओ अपना संग ल' लिअ। संगहि, जेकरालग भोजन अछि, त' ओ संगमे ल' लेब। आ जेकरालग तरुआरि नहि अछि, त' अपन कुर्ता बेचक' एकटा किन लिअ!”37हम ई बात एहिलेल कहैत छी जे कोनो प्रवक्ता हमरा विषयमे शास्त्रमे जे लिखने छथि से पूरा होएबाक चाही: लोक ओकरा अधर्मी जकां व्यवहार कएलक। शास्त्र हमरा विषयमे जे किछु कहैत अछि, से होबएबला अछि। 38चेलासब उत्तर देलनि, “यौ प्रभु, देखू! हमरासबलग दूटा तरुआरि अछि!” ओ उत्तर देलनि, “हमरासबके दूटा स' बेसी आवश्यकता नहि पड़त।”39यीशु नगर छोड़िक' जैतूनक पहाड़पर चलि गेलाह, जेना ओ अधिकांश करैत छलाह। हुनकर चेलासब सेहो हुनकासंग चलि गेलनि।40जखन यीशु अपन चेलासबहक संग ओहि स्थानपर पहुंचलाह जत ओ प्राय राति बितबैत छलथि, तखन ओ ओकरासबके कहलनि, “प्रार्थना करु जे परमेश्वर अहाँसबके परीक्षामे पाप नहि करबामे मदति करथि।”41फेरु ओ हुनकासबस' लगभग तीस मीटर दूरीपर गेलाह, आ ठेहुन पर आबिक' प्रार्थना कएलनि।42ओ कहलनि, “हे पिता, जं अहाँके इच्छा अछि, त' हमरा ओहि कष्टके प्यालाके अनुभव नहि करबाक अनुमति दिअ जे घटित होबएबला अछि। ओ नहि करु जे हम चाहैत छी। मुदा ओएह करु जे अहाँ चाहैत छी।”43तखन एकटा स्वर्गदूत स्वर्गस' उतरिक' हुनका हिम्मत देलनि।44हुनका बहुत कष्ट भ' रहल छलनि। ताहिके लेल ओ बहुत गहनतास' लीन भ' क' प्रार्थना कएलनि। लेहूके बड़का-बड़का बुंद जकां हुनकर पसिना जमीनपर खसि रहल छलनि।45जखन यीशु प्रार्थना क' क' उठलाह त' ओ अपन चेलासब लग घुरिक' गेलाह। आ देखलनि जे ओसब सुतल अछि। ओसब बड्ड दुखित भेलाके कारण ओसब थाकि गेल छलनि।46ओ ओकरासबके जगबैत कहलनि, “अहाँसबलेल ई सुतबाक समय नहि अछि! उठू! प्रार्थना करु जे परमेश्वर अहाँके मदति करथि जे किछु अहाँके पाप करबाक लेल परीक्षामे नहि पाड़ए।”47जखन यीशु बजैत छलथि, तखन लोकसबके भीड़ हुनकालग आबि गेलै। यहूदा, जे बारह प्रेरितमे स' एक छल, ओकरासबके नेतृत्व क' रहल छलनि। ओ आएल आ यीशुके गालपर चुम्मा ल' क' हुनका अभिवादन कएलक।48मुदा यीशु ओकरा कहलथि, “ऐ यहूदा, अहाँ चुम्माके उपयोग हमरा, मनुष्यक पुत्रके हमर शत्रुसबके हाथमे सोंपएके हिम्मत कोना कएलहुं!”49जखन चेलासब ई बुझि गेलनि जे की भ' रहल अछि, तखन ओ आओर चेलासब पुछलनि, “यौ प्रभु, की हमसब अहाँके बंदी बनाबएस' रोकएलेल ओकरापर अपन हथियारक प्रयोग क' सकैत छी?”50चेला सबमेस' एकगोटे अपन तरुआरि निकालिक' मुख्य पुजारीके नोकरपर प्रहार कएलनि, ओकर दहिना कानके काटि देलनि।51मुदा यीशु कहलनि, “एहिस' बेसी किछु नहि करु!” फेरु ओ ओहि दासके ओतए छुबिक चंगा क' देलनि जत ओ घायल छल।52फेरु यीशु मुख्य पुजारीसब, मन्दिरक पहरदारके अधिकारी, आ यहूदीके बूढ़-पुरान लोकसबके कहलनि जे हुनका बंदी बनाबए आएल छलनि, “ई आश्चर्यक बात अछि जे अहाँसब हमरा पकड़एलेल तरुआरि आ लाठी ल' क' एत आएल छी, जेना हम कोनो डाकू छी।53बहुते दिन धरि हम अहाँके संग मन्दिरमे रहलहुं, मुदा अहाँ हमरा बंदी बनाबएलेल कोनो प्रयास नहि कएलहुं! मुदा ई ओएह समय अछि जखन अहाँ ओ क' रहल छी जे अहाँ चाहैत छी। ई ओएह समय अछि जखन शैतान आ दुष्ट अपन अधिकारमे काम क' रहल अछि जेना ओ करए चाहैत अछि।”54यहूदी अगुवा आ सिपाहीसब यीशुके पकड़ि लेलक आ ल' क' चलि गेल। ओसब हुनका मुख्य पुजारीके घर अनलनि। पत्रुस बहुत पाछुस' किछु दूरस' हुनका पाछु-पाछु चलि गेल।55किछु द्वारपाल बीच आंगनमे आगि पजारिक' एके ठाम बैसल छल। पत्रुस सेहो आबिक' ओकरासबके बीच बैसि गेलनि।56एकटा दासी पत्रुसके ओतहि बैसल देखलनि जखन आगिके चमक हुनकापर पड़लनि। ओ ओकरा दिस ध्यानस' तकैत बजलीह, “ई आदमी सेहो ओहि आदमीक संग छलनि जेकरा ओसब बंदी बनौने अछि!”57मुदा पत्रुस ई कहिक' अस्वीकार कएलनि, “संगे बहिन, हम त' हुनका चिन्हबो नहि करैत छी!”58किछु समयक बाद केओ आओर पत्रुसके देखक' कहलनि, “अहाँ सेहो ओहि आदमीमेस' एकगोटे छी जे ओहि आदमीक संग छलहुं जेकरा बंदी बना लेने अछि!” मुदा पत्रुस कहलनि, “नहि, यौ भाइ, हम ओहिमेस' नहि छी!”59लगभग एक घण्टाके बाद केओ तेसर गोटे जोर-जोरस' बाजल, “जेना ई आदमी बाजि रहल अछि जाहिस' बुझाति अछि जे इहो गलीलवासी अछि। तएं सांच्चे ओ एहि आदमीक संग एत आएल होएत जेकरा ओसब बंदी बनौने अछि!”60मुदा पत्रुस कहलनि, “यौ भाइ, ई बात सत्य नहि अछि!” मुदा जाहि समय पत्रुस बजैत छलनि, त' तुरन्त एकटा मुर्गा बांग देलक।61प्रभु पछमुड़िए घुमिक' सोझे पत्रुस दिस तकलनि। तखन पत्रुसके मोन पड़लनि जे यीशु हुनका की कहने छलथि, “आइ राति मुर्गा बांग देबएस' पहिने अहाँ तीनबेर एहि बातस' अस्वीकार करब जे अहाँ हमरा चिन्हैत छी।”62आ पत्रुस आंगनस' बाहर जाक' बहुत दुखक संग कानए लागल।63यीशुके पहरा देनिहार हुनका हंसी उड़ाक' मारिपीट कएलक।64ओसब हुनका आंखिपर पट्टी बान्हि देलक जाहिस' ओ देख नहि सकथि आ फेरु ओकरा बेरा-बेरी पिटए लागल। ओसब हुनका पुछलक, “हमरासबके देखाउ जे अहाँ एकटा प्रवक्ता छी! आ कहू जे एखन अहाँके के मारलक!”65ओसब हुनकर मजाक उड़बैत, हुनका विषयमे आओर बहुते अपमानजनक बातसब कहलकनि।66जं भोर भेल त', यहूदी अगुवामेस' बहुत लोक महासभामे एकट्ठा भेल। एहि समूहमे मुख्य पुजारीके संग ओहो लोकसब रहए जे शास्त्रीसब छल। ओसब सिपाहीके यीशुके यहूदी महासभामे अनबाक लेल कहलक।67ओतए ओसब हुनका कहलनि, “जं अहाँ मसीह छी त' हमरासबके कहू!” मुदा ओ उत्तर देलनि, “जं हम कहब जे हम मसीह छी, त' अहाँसब हमरापर विश्वास नहि करब।68मुदा जं हम अहाँसबस' पुछब जे अहाँसब हमरा मसीह बुझति छी की नहि त' अहाँसब हमरा कोनो उत्तर नहि देब।69मुदा आइस', हम, मनुष्यक पुत्र सर्वशक्तिमान परमेश्वरके दहिना कातमे बैसब आ शासन करब!” 70तखन ओसब पुछलनि, “जं एहन अछि त' की अहाँ कहैत छी जे अहाँ परमेश्वरक पुत्र छी?” ओ उत्तर देलनि, “हं, अहाँ जे कहि रहल छी से सत्य अछि।”71तखन यहूदी महासभाके सदस्यसब एक-दोसरस' कहलनि, “हमसब अपने ओकरा मुंहस' ई कहैत सुनने छी जे ओ परमेश्वरक बरोबरि अछि! आ तएं हमरासबके निश्चितरुपस' एकरा विरुद्ध निन्दा करबाक आरोपमे गवाही देबएलेल केकरो आवश्यक नहि अछि!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.