Luke21

1तब यीशु अपन नजरि उठएलनि आ देखलनि जे धनीक लोकसब अपन दानसब दानपात्रमे चढ़ाबि रहल अछि।2ओ एकटा गरीब विधवाके सेहो देखलनि जे ओहि दानपात्रमे तामाके दूटा छोट पाइ चढ़ाबि रहल छलीह।3आ यीशु अपन चेलासबस कहलथि, “सांच्चे हम कहि रहल छी जे गरीब विधवासब लोकसबस' बेसी दानपात्रमे चढ़एने अछि।4ई बात सांच किएक अछि से हम अहाँसबके कहैत छी। जे लोकसब बेसी धन चढ़एने अछि से ओकरासबलग रहल फाजिल धन दान देने अछि जेकर वास्तवमे ओकरासबके जरुरति नहि छल। मुदा ई विधवा, जे बहुत गरीब अछि, अपन सब धन चढ़ा देलीह, एकर ओकरा जीवन चलएबाक लेल वास्तवमे ओकर आवश्यकता छल।”5यीशुक किछु चेलासब एहि सम्बन्धमे बतिआति छल जे कोना मन्दिरके सुन्दर पत्थल आ लोकसबद्वारा देल गेल समानस' सजाओल गेल अछि। मुदा यीशु कहलनि,6“हम अहाँसबके कहैत छी जे की होबएबला अछि जेकरा अहाँ बड़ाइ क' रहल छी। कोनो दिन अहाँसबके दुश्मनसब एकरासबके साफे साफ ढाहि देत।”7तखन ओसब यीशुस' पुछलनि, “यौ गुरुजी, ई सबबात कहिया होएत? आ की संकेत भेटत जे ईसब होबएबला अछि?”8यीशु उत्तर देलनि, “केओ अहाँसबके पथभ्रष्ट नहि करए। कारण बहुत लोकसब हमर नामस' आओत आ ओसब दाबी करत जे हम ओएह छी। प्रत्येक अपना विषयमे कहत, ‘हमहीं मसीह छी!’ इहो कहत, ‘मसीहके आगमनके समय लगभग आबि गेल अछि जहिया परमेश्वर राजाके रुपमे शासन करताह!’ ओकर कहल कोनो शब्द पर विश्वास नहि करब! 9संगहि युद्ध आ लोकसब एक-दोसरस' विद्रोहके विषयमे सेहो सुनब। सब किछु समाप्त होबएस' पहिने एहि प्रकारक बात होएब अवश्य अछि। तएं जखन एहन बातसब सुनब त' डेराएब नहि।10ओ आओर आगु कहैत गेलथिन, एक जातिसमूह दोसर जातिसमूह पर आक्रमण करत, आ अलग-अलग राज्यके लोक एक-दोसरस' युद्ध करत। 11आ अलग-अलग ठाम बड़का-बड़का भूकम्प होएत। आ अकाल आ भयावह महामारी सेहो होएत। बहुते एहन भयावह घटना होएत जे लोकसब बेसी डेरा जाएत। लोकसब आकाशमे अद्भुत दृश्यसब देखत जाहि चेन्हस' बुझएमे आबि जाएत जे किछु महत्वपूर्ण घटना होबएबला अछि।12मुदा ईसब घटित होबएस' पहिने अहाँके शत्रु अहाँसबके हमरा नामस' पकड़िक' दुर्व्यवहार करत। ओसब अहाँसबके सभाघरमे ल' जाएत, न्यायाधीश अहाँसबपर मुकदमा करत आ अहाँसबके जहलमे राखि देत। कारण अहाँ हमरापर विश्वास करैत छी। अहाँसबपर मुकदमा चलाबएलेल अहाँसबके दुश्मन लग राजा आ प्रान्तीय शासकस' अधिकार सेहो प्राप्त रहत।13हमरा विषयमे ओकरा सत्य कहबाकलेल अहाँसबलग एकटा गवाही देबाक अवसर होएत।14तएं एहिके विषयमे समयस' पहिने एकर चिन्ता नहि करब से मनमे दृढ़ संकल्प करु जे अहाँ अपन बचाबमे की कहब,15किएकत' हम अहाँके ठीक शब्द देब जाहिस' अहाँ बुझिलेब जे की कहब। एकर परिणाम स्वरुप, जे केओ अहाँपर आरोप लगाओत से अहाँके गलत नहि कहि सकैत अछि।16आ एतधरि जे अहाँसबके माय-बाबू, भाइ-बहिन आ आन सगा-सम्बन्धी आ इस्टमित्र सेहो अहाँसबके धोखा देत, आ अहाँसबमेस' किछु गोटेके मारियो देत।17अहाँसब हमरा नामपर विश्वास करबाक कारणे बेसी लोक अहाँसबस' घृणा करत।18मुदा आत्मिकरुपस' अहाँसबके सम्पूर्ण जीवन सुरक्षित रहत। 19जं अहाँसब कठिन समयस' गुजरैत छी आ ई सिद्ध करैत छी जे अहाँसब परमेश्वरपर भरोसा करैत छी, त' अहाँसबके मृत्युके बाद अहाँसबके प्राण परमेश्वर लग जीवित रहत।20जखन अहाँसब शत्रु सेनासबके यरूशलेम नगरक चारुकात देखब, त' अहाँसब बुझब जे ओसब जल्दिए ओहि नगरके नाश क' देत।21ओहि समय अहाँसबमेस' यहूदिया क्षेत्रके आन ठाममे छै, त' ओसब पहाड़ दिस भागि जाए। आ अहाँसबमेस' जे एहि नगरमे होएब से एहिके छोड़िक चलि जाउ। जे लगके गाममे रहब, त' शहरमे नहि आएब।22अहाँसब भागि जाएब किएकत' परमेश्वर एहि समयमे यरूशलेम नगरके न्याय करताह। जखन ओ ई काज करताह तखन, एहि विषयमे परमेश्वर पवित्र शास्त्रमे कहल बात सत्य होएत।23जखन एहन होएत तखन गर्भवती महिला आ अपन बच्चाक दूध पिआबी रहल स्त्रीलेल ई कतेक भयावह होएत। पृथ्वीमे बहुत प्रताड़ना होएत। परमेश्वर एहि लोकसबपर क्रोधित होएताह आ ओकरासबके कठोर सजाए देताह।24ओहिमेस' बहुते लोक मरि जाएत, किएकत' सेना ओकरासबके अपन हथियारस' मारि देत। बांकी सबगोटेके पकड़लाक बाद ओकर दुश्मन ओकरासबके बंदी बनाक' दुनियांके कतेको स्थानपर पठाओल जाएत। परमेश्वर ओकरासब आदेश देब धरि आन जातिसब यरूशलेम शहरपर नियन्त्रण राखत।” 25“ओहि समय, सूर्य, चन्द्रमा आ तरेगनसब संग अद्भुत चेन्हसब होएत। आ पृथ्वीपर रहनिहार लोकके समूह बहुत भयभीत भ' जाएत। ओसब ओना भयभीत होएत जेना बड़का समुद्रके लहरिके गर्जनस' होइत अछि। 26लोक एतेक डेरा जाएत जे बेहोस भ' जाएत, कारण ओसब एहि बातक प्रतीक्षामे अछि जे संसारमे आगु की होएत। आकाशके तरेगनसब अपन स्थानस' हटा देल जाइत। 27तखन सबलोक हमरा, मनुष्यक पुत्रके सामर्थ्य आ महिमामय इजोत जकां मेघपर अबैत देखत। 28एहिलेल जखन ओ भयावह घटना घटित होबए लागत तखन आत्म-विश्वासके संग रहू, किएकत' परमेश्वर अहाँसबके जल्दिए उद्धार करताह।”29तखन यीशु ओकरासबके एकटा दृष्टान्त दैत बजलाह अंजीरक गाछ आ आन सब गाछके विषयमे सोंचू।30जखन देखब जे ओकर नवका पता निकलैत अछि, त' अहाँ बुझि जाइत छी जे गर्मीके शुरुआत भ' गेल अछि।31तहिना , जखन अहाँ ईसब होइत देखब जेकर हम एखन वर्णन कएने छी, त' अहाँके बुझल होएत जे परमेश्वर जल्दिए स्वयंके राजाक रुपमे प्रगट करताह।32हम अहाँसबके सत्य कहैत छी। जे लोकनि हमराद्वारा वर्णित संकेत सबस' पहिने देखताह से निश्चितरुपस' एहि सबबातके घटित होइत देखएलेल जीवित रहत।33अहाँसब सोंचब जे आकाश आ पृथ्वी स्थायी नहि अछि, मुदा हमर वचन स्थायी अछि।34अपनापर नियन्त्रण करबामे बहुत सावधान रहू। जं केओ निसामे धुत्त भ' जाएत, त' ओकर मन नियन्त्रणमे नहि रहत। आ जं दिन-प्रतिदिनक काजके चिन्ता करब त', विचलित भ' जाएब। तखन अहाँ ओहि संकेतपर ध्यान नहि देब जेकरा विषयमे हम अहाँके बतौने छी, आ जाहि दिन हम घुरब, त' अहाँके आश्चर्यचकित क' देब।35हम अचानक आबि जाएब जे ओ जानबरके फसाबएबला जाल जकां होएत। एहिलेल अहाँके हमर घुरए पर ध्यान देबाक आवश्यकता अछि, किएकत' एकर प्रभाव संसारमे रहनिहारसब लोकपर पड़त।36तएं अहाँसबके हमर आगमनलेल सदिखन तैयार रहबाक चाही। प्रार्थना करु जे जं अहाँ एहि कठिन बातसबके अनुभव करब जेकर हम, मनुष्यक पुत्र चर्चाक' रहल छी, त' अहाँसब हमरा प्रति इमानदार रहि सकब। एहि तरहें हम, मसीह, जखन हम एहि संसारक न्याय करए आएब, त' हम अहाँसबके निर्दोष घोषित करब।37यीशु सबदिन मन्दिरमे लोकसबके शिक्षा द' रहल छलथि। मुदा सबदिन सांझमे, ओ शहरस' बाहर जाइत छलाह आ भरि राति जैतून नामक पहाड़पर रहैत छलाह।38आ सबदिन भोरमे, लोकक भारी भीड़ हुनकर सन्देश सुनबाक लेल मन्दिरमे अबैत छलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67