Luke20
1ओहि सप्ताहमे एकदिन, यीशु मन्दिरमे लोकसबके सिखाबि रहल छलथि आ ओकरासबके परमेश्वरके सुसमाचार सुनाबि रहल छलथि। जखन ओ ई काज क' रहल छलथि, त' मुख्य पुजारीसब, शास्त्रीसब आ किछु आन बूढ़-पुरान लोकसब मिलक हुनकालग अएलनि।2ओसब हुनका पुछलनि, “हमरासबके कहू जे अहाँ कोन अधिकारस' ईसब काज करैत छी? आ ई अधिकार अहाँके के देलक?”3ओ जबाब देलथिन, “हम अहाँसबस' एकटा प्रश्न पुछब। हमरा उत्तर दिअ4यूहन्ना लोकसबके बपतिस्मा देबाक विषयमे: की हुनका स्वर्गके परमेश्वरद्वारा बपतिस्मा देबाक आज्ञा देल गेल छलनि वा मनुष्यसबद्वारा?”5ओसब अपनामे छलफल कएलक। ओसब कहलनि, “जं हमसब उत्तर देब, ‘स्वर्गके परमेश्वर आदेश देलथिन' त' ओ कहत, तब अहाँसब हुनकापर विश्वास किएक नहि कएलिऐ?’6मुदा जं हमसब कहब, ‘हुनका बपतिस्मा देबाक लेल मात्र मनुष्य कहने रहैक,’ त' लोकसब हमरासबके पत्थल ल' क' मारत, किएकत' बेसी लोकसब विश्वास करैत छथि जे परमेश्वरद्वारा पठाओल गेल यूहन्ना एकटा प्रवक्ता छलथि।”7तएं ओसब उत्तर देलकनि, हमरासबके ई नहि बुझल अछि जे यूहन्नास' के बपतिस्मा देबएलेल कहने रहैक।8तखन यीशु ओकरासबके कहलथि, “जेना अहाँसब हमरा नहि कहली, तहिना हमहूं अहाँसबके ई नहि कहब जे हमरा ईसब काज करबाक लेल के अधिकार सहित पठौलनि।”9तखन यीशु लोकसबके ई दृष्टान्त सुनौलनि, “एकटा आदमी अंगूर बगान लगौलक। अंगूर बगान किछु लोकके भाड़ापर द' देलक जे ओकर देखभाल करए। तब ओ दोसर देश जाक' ओतए' बहुते दिन रहलै। 10जं अंगूर तोड़एके समय भेल, त' मालिक अंगूर बगानके रखबारी करएबला आदमीसबलग एकटा दास पठौलनि। ओ चाहैत छलनि जे अंगूर बगानमे जे अंगूर उपजल छल ताहिमेस' हुनका अपन हिस्सा दैक। मुदा ओ दास रखबारसब लग पहुंचलाक बाद, ओसब ओकरा मारि पिटिक' बिना अंगूर देने विदा क' देलक।11बादमे मालिक एकटा आओर दास पठौलनि, मुदा ओसब ओहि दासके सेहो मारि पिटिक' लज्जित क' देलक। ओसब ओकरो बिना अंगूर देने पठा देलक।12तेकरबादो, मालिक तेसर दासके सेहो पठौलनि। किसानसब ओहू दासके घायल क' क' अंगूर बगानस' जबरदस्ती बाहर निकालि देलक।13तएं अंगूर बगानक मालिक मनेमन कहलनि, आब हम की करु? हम अपन प्रिय बेटाके पठा देब, जेकरा हम बहुत प्रेम करैत छी। शायद हुनकर आदर करत।14तएं ओ अपन बेटाके पठौलनि, मुदा जखन अंगूर बगानपर काज करएबला लोकसब हुनका अबैत देखलनि त' एक-दोसरस' कहलनि, ‘एत ओ आदमी आबि गेल जे कहियो एहि अंगूर बगानपर कब्जा क' क' उत्तराधिकारी होएत! चलू हमसब ओकरा मारि दी! तखन ई अंगूर बगान अपनासबके भ' जाएत!’15तएं ओसब ओकरा अंगूर बगानस' घिसिअबैत बाहर ल' जा' क' मारि देलक। हम अहाँसबके कहब जे अंगूर बगानक मालिक ओकरासबके संग की करत!16हम कहैत छी, बगीचाके मालिक आबिक' अंगूर बगानके रखबारी करएबलासबके मारि देत। तखन ओ दोसर लोक देखभाल करबाक व्यवस्था करताह।” लोकसब जखन ई बात सुनलक त कहलनि, “एहन स्थिति कहियो नहि होअए!”17मुदा यीशु सोझे ओकरासब दिस तकैत बजलाह, “अहाँसब एना कहि सकैत छी, मुदा शास्त्रमे लिखल एहि बातसबके की अर्थ अछि ताहिपर विचार करु। ‘जाहि पत्थलके राज मिस्त्रीसब खारिज क' देलकनि से भवनके सबस' महत्वपूर्ण पत्थल बनि गेल। 18जे केओ एहि पत्थलपर खसत से चकनाचूर भ' जाएत, आ जेकरापर ई पत्थल खसत से धुलपीठ भ' जाएत।’” 19मुख्य पुजारी आ यहूदी व्यवस्थाके शिक्षकसबके बुझएमे आबि गेलनि जे ओ ओहि दुष्ट लोकसबके विषयमे दृष्टान्त कहलनि तखन ओ ओकरेसब पर आरोप लगा रहल छलनि। एहिलेल ओसब तुरन्ते हुनका पकड़के उपायमे लागि गेल। मुदा ओसब हुनका पकड़ि नहि सकल, किएकत' यदि ओसब एना कएलक त' लोकसब ओकरासबके की करत ताहि बातस' ओसब डेराइत छल।20एहिलेल ओ हुनका ध्यानस' देखैत रहि गेल। ओसब यीशुसंगे बात करबाक लेल भेदियासबके सेहो पठौलक जे सब धर्मी होबएके ढोंग कएने रहैक, मुदा ओसब यीशुस' किछु अनुचित कहाबए चाहैत छल। ओसब चाहैत छल, एहन होअए जे हिनकापर रोमी सरकारके विद्रोह करबाक आरोप लगैक जे ओसब हुनका ओहि क्षेत्रके प्रान्तीय अधिकारीके हाथमे सोंपि सकए।21भेदियासब आएल आ यीशुके कहलनि, “यौ गुरुजी, हमसब जनैत छी जे अहाँ उचित बात बजैत छी आ परमेश्वरके मार्ग सिखबैत छी। जखन महत्वपूर्ण लोकके नहिओ नीक लागए तइयो अहाँ करैत छी। अहाँ सत्य सिखबैत छी जे परमेश्वर हमरासबस' की चाहैत छथि।22त' एहि विषयमे अहाँके की विचार अछि से कहू। की हमरासबहक व्यवस्था अनुसार रोमी सरकार कैसरके कर देब उचित अछि वा नहि?”23मुदा हुनका बुझल छलनि जे ओसब हुनका धोखा देब चाहैत अछि, या त' यहूदीसबसंग, जेकरा कर देब पसीन नहि छल, वा रोमी सरकारके संग हुनका फसाबए चाहैत छल। तएं यीशु ओकरासबके उत्तर देलथिन,24“हमरा दीनार देखाउ। आ कहू जे ओहिपर केकर चित्र आ नाम अछि।” तएं ओसब एकटा सिक्का देखौलक आ बाजल, “ओहिपर रोमी सम्राट कैसरके चित्र आ नाम अछि।”25तएं ओ ओकरासबके कहलनि, “एहि स्थितिमे, जे कैसरके अछि से कैसरके दिऔ आ जे परमेश्वरके अछि से परमेश्वरके दिऔ।”26यीशुद्वारा कहल गेल कोनो बातमे ओकरासबके कोनो अनुचित बात नहि भेटलनि जखन लोकसब हुनका चारुकात ठाढ़ छलनि। हुनकर उत्तर देख ओसब अकबक भ' गेल आ आओर किछु बाजएमे समर्थ नहि भेल।27एकरबाद, किछु सदुकीसब यीशु लग आबि गेल। ई यहूदी समूह सिखबैत छल जे मृत्यु भेलाक बाद फेरु केकरो पुनरुत्थान नहि होएत। ओसब यीशुस' एकटा चुनौतीपूर्ण प्रश्न सेहो पुछए चाहैत छल।28ओहिमेस' एकगोटे हुनका कहलनि, “यौ गुरु, मूसा हमरासबके सिखऔलनि जे तखन की करबाक चाही जं कोनो एहन आदमी मरि जाए ओकरा पत्नी अछि मुदा सन्तान नहि अछि। तखन ओकर भाइ ओहि विधवास' विवाह करथि जाहिस' ओ सन्तान जन्मा सकथि। तब लोकसब ओहि बच्चाके ओकर भैयाके वंशज मानत जे मरि गेल छल। 29आब सुनू, एकटा परिवारमे सात भाइ रहए। जेठका एकटा स्त्रीस' विवाह कएलक, मुदा ओकरा कोनो सन्तान होबएस' पहिने ओ ओहि स्त्रीके विधवा बनाक' मरि गेल।30दोसर भाइ एहि नियमक पालन करैत ओहि विधवास' विवाह कएलनि, मुदा ओहो मरि गेल।31तखन तेसर भाइ ओकरास' विवाह कएलनि, मुदा फेरु ओहने भेल। आ अन्तमे सातो भाइ बेरा-बेरीक' ओहि स्त्रीस' विवाह क' लेलक मुदा बिना कोनो सन्तान पैदा कएने सब केओ मरि गेलनि।32तेकरबाद, ओ स्त्री सेहो मरि गेलीह।33आब जाहि दिन मरि गेल सबलोक पुनरुत्थान होएत, त' अहाँके विचारमे ओहि समयमे ओ स्त्री केकर पत्नी होएतीह? ध्यान राखू जे ओ सातो भाइ स' विवाह क' लेने छलीह!”34यीशु ओकरासबके उत्तर देलनि, “एहि संसारमे पुरुषसब स्त्रीसबस' विवाह करैत अछि आ माय-बाबू बेटीके पुरुषस' विवाह करबैत अछि।35मुदा जेकरा परमेश्वर स्वर्गमे रहबाक योग्य मानैत छथि, जखन ओ ओहि संसारस' फेरुस' हुनकासबके मृत्युके बाद जीवित क' देताह, तखन ओसब विवाह नहि करताह।36ओ विवाह एहिलेल नहि करताह कारण आब ओ नहि मरताह। बल्कि ओसब स्वर्गदूतसब जकां भ' जएताह जे अनन्तकालधरि जीवित छथि। ओसब परमेश्वरक सन्तान छथि, किएकत' परमेश्वर हुनकासबके मरलाके बाद जीवित कएलनि।37आब जखन हम अहाँके विवाहक प्रश्नके उत्तर द' देलहुं त' हम अहाँके पवित्र शास्त्रस' देखा देब जे परमेश्वर लोकके मरलाके बाद जीवित करैत छथि। एतधरि जे मूसा सेहो एहि विषयपर लिखने छलाह। जत ओ प्रभु जरैत झाड़ीमे परमेश्वरके संग अपन भेटघाटके वर्णन करैत छथि, ओहि ठाम ओ लिखैत छथि जे कोना परमेश्वर स्वयंके बहुत पहिने जीबैत रहि रहल अब्राहम, आ इसहाक आ याकूबके परमेश्वर कहैत छथि। परमेश्वर एहन नहि कहितथि जं ओ लोकसब फेरुस' जीवित भ' नहि उठल रहितथि आ ओ एखनो हुनकर सबहक परमेश्वर नहि रहितथि। 38आखिर ओ मरि गेल लोकके परमेश्वर नहि छथि। ओ जीवित लोकके परमेश्वर छथि, किएकत' परमेश्वरके लेल सब केओ ओकर मृत्युके बाद सेहो जीवित रहैत अछि।”39यहूदी व्यवस्थाके किछु शिक्षक जे ओतए उपस्थित छल से उत्तर देलनि, “यौ गुरु, अहाँ बहुत नीक उत्तर देलहुं!”40ओ शास्त्रीसब एना एहिलेल कहलकनि किएकत' ओसब यीशुके जालमे फसाबए चाहैत छल, ओसब हुनकास' कठिन प्रश्न पुछब छोड़ि देलनि। ओ एतेक नीक जबाब देलनि जे हुनकास' आओर किछु पुछएस' डेराइत छल।41जखन यीशु ओहिके बदलामे ओकरासबस' एकटा कठिन प्रश्न पुछलनि। ओ कहलनि, “लोक किएक कहैत अछि जे दाऊद राजाके सन्तान मसीह होथि?42ध्यान दिऔ जे दाऊद स्वयं भजनके पुस्तकमे मसीहके विषयमे लिखने छथि, ‘परमेश्वर हमर प्रभुस' कहलनि, “एत ओहि पैघ सम्मानके स्थितिमे हमर दहिनाकात बैसू।43एत बैसू ओहि समय धरि, जाधरि हम अहाँके दुश्मनके पूर्णरुपमे पांवदानमे दबा नहि दी।”’ 44एहि भजनमे राजा दाऊद मसीहके ‘हमर प्रभु’ कहैत छथि। ई बहुत आदरक उपाधि अछि। मसीह दाऊदक वंशज कोना भ' सकैत अछि? ओ वंशज छथि जिनका अपन पूर्वजक बहुत आदर करबाक चाही।”45जखन सबलोक सुनैत छल, तखन यीशु अपन चेलासबके कहलनि,46“ई सुनिश्चित करु जे अहाँसब शास्त्रीसब जकां व्यवहार नहि करु। ओसब नमहर-नमहर वस्त्र पहिरक घुमैत नीक लगैत अछि जे लोकसब ओकरासबके लोक बेसी महत्वपूर्ण बुझए। बजारमे लोकसबद्वारा ओकरासबके सम्मानपूर्वक अभिवादन कराएब सेहो नीक लगैत छनि। सभाघरमे सबस' महत्वपूर्ण स्थानपर बैसब ओकरासबके नीक लगैत छनि। रात्रिभोजमे ओकरासबके सबस' सम्मानित स्थानपर बैसब नीक लगैत छनि।47ओ विधवाक घर सम्पत्ति सेहो हड़फि लैत अछि। मुदा दोसर लोकके ई बुझबैत अछि जे ओसब धर्मी छथि, ओ बेसी कालधरि सार्वजनिक रुपमे प्रार्थना करैत छथि। परमेश्वर ओकरासबके ओहि काजक लेल कठोर दण्ड देथिन।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.