Luke19

1यीशु यरीहो नगरमे प्रवेश क' ओहि शहर द' क' जाइत छलाह।2ओतए एकटा आदमी छलनि जेकर नाम जक्कइ छल। ओकर असूल करएबला सबहक अगुवा छलनि, आ ओ बड़ धनीक छलनि।3ओ यीशुके देखए चाहैत छलनि, मुदा भीड़ भेलाके कारणे हुनका नहि देखए सकैत छल। ओ एकटा बन्ठ व्यक्ति छल, आ यीशुके चारुकात बहुते लोकसब छल।4एहिलेल ओ सड़कपर दौड़क आगु गेल। आ एकटा गुल्लड़िक गाछपर चढ़ि गेल, किएकत' जं यीशु ओहि बाट द' क' जएताह, त' हुनका ओ देख सकथि।5यीशु जं ओतए पहुंचलथि त' ओ उपर देखक कहलनि, “यौ जक्कइ, जल्दिए नीचा उतरु, हमरा आजुक राति अहाँके घरमे विश्राम करब आवश्यक अछि!”6तएं ओ जल्दीस' गाछस' नीचा उतरिक' अएलनि। ओ अपना घरमे यीशुके स्वागत कएलक।7मुदा जे लोकसब यीशुके ओतए' जाइत देखलक, त' ओसब कुड़बुड़ाइत एक-दोसरके कह लागल, “ओ त' एकटा पापीके घरमे पाहुन बनए गेल छथि।”8जखन यीशु भोजन करैत छलाह तखन जक्कइ ठाढ़ भ' क' हुनका कहलनि, “यौ प्रभु, हम चाहैत छी जे अहाँ जानि लिअ जे हम अपन आधा सम्पत्ति गरीबके दैत छी। आ जं हम केकरोस' हम ठकने होएब, ओकरा हम चारि गुणा बेसी द' देब।” 9यीशु ओकरा कहलथि, “आइ परमेश्वर एहि परिवारके उद्धारक' लेलथि, किएकत' ई व्यक्ति देखा देने अछि जे ओहो अब्राहमके वंशज अछि।10एहि बातके स्मरण राखू: हम, मनुष्यक पुत्र अहीं जकां हेराएल लोकसबके ताकए आ बचाबए आएल छी जे परमेश्वरक आज्ञाके पालन नहि करैत अछि।”11जे किछु यीशु कहलनि ओहिके लोकसब सुनैत रहल। ओ यरूशलेम लग पहुंचएबला छलथि, आ ओ जनैत छलथि जे लोकक विचार गलत अछि। ओ सोंचलनि जे जहिना यरूशलेम पहुंचब, तहिना परमेश्वरक लोकसबपर राजा जकां शासन करब शुरु क' देब। एहिलेल यीशु ओहि विचारके ठीक करबाक लेल ओकरासबके एकटा दृष्टान्त देखौलनि।12यीशु ओकरासबके एकटा दृष्टान्त कहलनि, “एकटा राजकुमार एकटा दूर देश जएबाक तैयारी कएलक जे सबस' बड़का राजा हुनका ओहि देशमे राज करबाक अधिकार प्रदान करथि, जाहि देशमे रहैत छल। जं हुनका ओ प्राप्त भ' जाएत त' ओहिके बाद ओहि लोकसबपर शासन करताह।13ओ जाएस' पहिने अपन दस गोटे दासके बजौलनि। सबगोटेके समान रुपस' सोनाके रुपैया बांटि देलनि आ कहलनि, ‘जाधरि हम घुरिक' नहि आबि जाएब, ताधरि एहि सोनाके रुपैयास' अहाँसब व्यापार करु!’ तब ओ चलि गेलाह।14मुदा ओहि देशमे रहनिहारसब ओकरास' बेसी द्वेष रखैत छल। एहिलेल ओ ओकरा पाछु करैत आ बड़का राजाके ई कहएलेल किछु दूतके पठौलक, ‘हमसब नहि चाहैत छी जे ई व्यक्ति हमरासबके राजा बनए!’15मुदा तथापि ओकरा राजा बना देलनि। बादमे ओ एकटा नव राजाक रुपमे चलि आएल। तखन ओ ओहि दाससबके भितर बजौलनि जेकरा ओ सोनाके रुपैया देने छलनि। ओ जानए चाहैत छल जे ओहि सोनाके रुपैयास' ओसब व्यापार क' क' कतेक लाभ उठएने अछि।16दाससब हुनकालग आबिक कहलनि, ‘मालिक, अहाँके सोनाके रुपैयास' हम दस गुणा बेसी लाभ उठएने छी!’17ओ ओहि व्यक्तिके कहलनि, ‘अहाँ एकटा विश्वासयोग्य दास छी! अहाँ बड़ नीक कएने छी! किएकत' अहाँ कनिके सोनाके रुपैयाके नीक जकां व्यवस्थापन कएने छी, एहिलेल हम अहाँके अधिकार करबाक लेल दसटा शहर देब।’18तेकरबाद, दोसर दास आबिक कहलकनि, ‘मालिक, जे सोनाके रुपैया अहाँ हमरा देने छलहुं ओहिके हम पांच गुणा बेसी क' लेने छी!’19ओ ओहि दासके सेहो कहलनि, ‘नीक कएने छी! हम अहाँके पांचटा शहरके शासन करएलेल देब।’20फेरु एकटा आओर दास आएल। आ ओ कहलकनि, ‘मालिक, अहाँके सोनाके रुपैया एहि ठाम अछि। हम एकरा सुरक्षित रखबाक लेल एकटा गमछामे लपेटिक' राखि देने छलहुं।21हम डेरा गेल छलहुं जे हम जे किछु कमाएब से अहाँ ल' लेब। हम जनैत छी जे अहाँ एहन कठोर मनुष्य छी जे आन लोकस' ओ चीजसब सेहो ल' लैत छी जे अहाँके नहि अछि। अहाँ ओहन किसान जकां छी जे ओहि बालिके काटि लैत अछि, जे दोसर किसान बाओग कएने अछि।’22ओ ओहि दासके कहलनि, ‘हे दुष्ट दास! जे बात तों एखन कहैत छे ओहिस' तोरा हम दोषी ठहरबैत छियौ। तों कहले जे हम एहन कठोर लोक छी। तों कहले से हम ओहो ल' लैत छी जे हमर नहि अछि। तों इहो कहले जे हम ओहन किसान जकां छी जे कोनो आन किसानके उपजा काटि लैत छी।23तों कमस' कम हमर धनके महाजनके द' देने रहत! जं हम फेरु घुरिक' अबितहुं त' हम ओहि धनके ब्याज सहित ल' लितहुं!’24तखन राजा लगमे ठाढ़ लोकसबके कहलनि, ‘ओ सोनाके रुपैया ओकरास' ल' क' ओहि दासके द' दिऔ जे दसटा आओर सोनाके रुपैया कमएने अछि!’25ओ ओहिके विरोध करैत कहलनि, ‘मालिक, ओकरा लग पहिनहिस' बेसी धन अछि!’26मुदा राजा कहलनि, ‘हम तोरासबके ई कहैत छीयौ: केकरो किछु भेटल अछि आ ओ ओकर नीक उपयोग करत, त' हम ओकरा आओर बेसी देब। मुदा केकरो किछु भेटल छल ओकर सदुपयोग नहि करएबलासबस' हम पहिनेस' ओकरा लग किछु अछि सेहो छिन लेब।27आब, जे हमर शत्रुसबके लेल जे नहि चाहैत छल जे हम ओकरापर शासन करी, ओकरा एत ल' क' आउ आ हमरा आंखिके आगु ओकरा मारि दिऔ!’”28यीशुके ई बातसब कहलाक बाद, ओ चेलासबके आगु-आगु यरूशलेम दिस जएबाक बाटमे यात्रा कएलनि।29जखन ओसब जैतूनके पहाड़ लग, बैतफगे आ बेतनिया गाम लग पहुंचलाह त' ओ अपन दूटा चेलाके आगु पठा देलनि।30ओ ओकरासबके कहलथि, “अहाँसबके आगुके गाममे जाउ। जखन अहाँ ओहिमे प्रवेश करब तखन ओतए एकटा गदहाके बच्चा बान्हल देखब जाहिपर आइधरि केओ सबार नहि भेल अछि। से खोलिक' हमरालग आनू।31जं केओ अहाँस' पुछए, ‘अहाँ ई गदहा किएक खोलि रहल छी?’ त' ओकरा कहि देबनि, ‘प्रभुके एकर आवश्यकता अछि।’”32तब दुनू आदमी गाममे जा क' गदहाके खोलिक लेलक, ठीक ओहिना जेना यीशु ओकरासबके कहने छलथि।33जखन ओसब ओकरा खोलि रहल छल तखन ओकर मालिक ओकरासबके कहलक, “अहाँसब हमर गदहाके किएक खोलि रहल छी?”34ओसब उत्तर देलनि, “एकर आवश्यकता यीशुके छनि।” आ ओ मालिक ओकरासबके एकर उपयोग करबाक अनुमति देलक।35तखन ओसब गदहाके यीशु लग अनलनि। ओसब अपन कपड़ा गदहाक पिठपर राखि यीशुके ओहिपर चढ़एमे मदति कएलनि।36जखन ओ ओहिपर सबार भेलाह तखन हुनकर सम्मानमे दोसर लोकसब सड़कपर हुनका आगु अपन वस्त्र पसारि देलनि। 37जखन यीशु जैतूनक पहाड़स' नीचा जाएबला बाट लग पहुंचलाह त' हुनकर चेलासबके बड़का भीड़ सामर्थ्यके काजसबके लेल परमेश्वरके स्तुति करबाक लेल जोर-जोरस' आ आनन्दपूर्वक प्रशंसा कर लागल। 38ओसब एहन बात कहि रहल छल, “परमेश्वर हमरासबके राजाके आशीर्वाद देथि जे प्रभुके नामके अधिकार ल क' अबैत छथि! स्वर्गमे परमेश्वर आ हम हुनकर लोकक बीच शान्ति स्थापित होअए, सब केओ परमेश्वरके महिमा करए!” 39भीड़मेस' किछु फरिसीसब हुनका कहलनि, “यौ गुरु, अपन चेलासबके डांटू जे ई एना नहि करए!”40ओ उत्तर देलनि, “हम अहाँसबके कहैत छी जे जं ई लोकसब चुप रहत, त' पत्थलसब स्वयं हमर प्रशंसा करबाक लेल चिचिआएत!”41जखन यीशु यरूशलेम लग पहुंचलाह आ ओहि नगरके देखलनि तखन ओ ओहि शहरके लेल कानए लगलाह।42ओ बजलाह, “हमर इच्छा अछि जे आइ अहाँके परमेश्वरक शान्ति कोना भेटब से बुझने रहिती। मुदा आब अहाँ एकरा जानएमे असमर्थ छी। 43हम चाहैत छी जे अहाँ ई जानि लिअ। अहाँ कठिन समयके अनुभव करए जा' रहल छी। अहाँके दुश्मन आबिक' अहाँके शहरके चारुकात मोर्चा बनाओत। शहरके घेरिक' चारुदिसस' आक्रमण करत।44ओसब ओकरासबके आ शहरके बांकी लोकके देवाल तोड़िक' नाश क' देत। अहाँसबके मारि देत। सबकिछुके तोड़ि देत। ईसब एहिलेल होएत जे अहाँ ओहि समयके नहि चिन्हलहुं, जखन परमेश्वर अहाँके बचाबएलेल आएल छलथि!”45यीशु यरूशलेममे प्रवेश क' क' मन्दिरके आंगनमे गेलाह। ओतए चीज बेचएबला लोकसबके भगाबए लगलाह। 46ओ ओकरासबके कहलथि, “शास्त्रमे लिखल अछि, ‘परमेश्वरके मन्दिर एहन स्थान होएबाक चाही जत लोक प्रार्थना करथि।’ मुदा तोंसब एकरा ‘चोर-डाकूके अड्डा' बना देने छै!’” 47ओहि सप्ताहमे सबदिन यीशु मन्दिरमे लोकसबके शिक्षा द' रहल छलथि। मुख्य पुजारी, आ आन शास्त्री आ आन यहूदी अगुवा हुनका मारबाक कोनो उपाय खोजएमे लागल छल।48मुदा एना करएलेल कोनो उपाय नहि भेटल, किएकत' बेसी लोक हुनकर बात सुनएलेल तैयार छलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67