Luke18
1ओसब निराश नहि होइक आ सदैव प्रार्थना करैत रहबाक लेल यीशु अपन चेलासबके सिखाबएलेल एकटा आओर दृष्टान्त कहलथि।2ओ कहलथि, “एकटा शहरमे एकटा न्यायाधीश रहैत छल जे ने परमेश्वरस' डेराइत छल आ ने लोकके चिन्ता करैत छल।3ओहि नगरमे एकटा विधवा रहैत छलीह, जे न्यायाधीशलग आबिक' सदैव कहैत छलीह, ‘हमरा ओहि आदमीस' न्याय दिया दिअ जे अदालतमे हमर विरोध क' रहल अछि।’4बहुते दिन धरि न्यायाधीश ओकरा मदति करएस' अस्वीकार करैत रहल। मुदा बादमे, ओ मनेमन बाजल, ‘हम ने परमेश्वरस' डेराइत छी आ ने लोकके चिन्ता करैत छी।5मुदा ओ विधवा हमरालग आबिक' तंग क' देने अछि! तएं हम ओकर मुद्दाके न्याय करब आ ई सुनिश्चित करब जे ओकरासंगे निष्पक्ष व्यवहार होइक से सुनिश्चित करब। हम जं एना नहि करब त' ओ सबदिन हमरालग आबिक' परेशान क' देतीह!’”6प्रभु आओर आगु कहैत गेलनि, “एहि विषयमे सावधानीपूर्वक विचार करु जे अधर्मी न्यायाधीश की कहने अछि।7अधर्मी न्यायाधीश ठीक फैसला देब जा रहल अछि, त' निश्चितरुपस' परमेश्वर, जे धर्मी छथि, अपन चुनल लोकके न्याय करताह, जे हुनकास' दिनभरि गम्भीर भ' क' सहायताके लेल प्रार्थना करैत अछि! आ ओ ओकरासब प्रति सदिखन धैर्य रखैत छथि।8हम अहाँसबके कहैत छी जे परमेश्वर जल्दिए ओ अपन चुनल लोकलेल न्याय करताह! तथापि जं हम मनुष्यक पुत्र, पृथ्वीपर आबि जाएब तखनो एत बहुत लोक रहत जे हमरापर विश्वास नहि करत।”9तखन यीशु ओहि लोकसबके ई दृष्टान्त सुनौलनि जे अपना धार्मिकता पर बेसी भरोसा करैत छल आ दोसर लोकके नीचा देखबैत छल।10ओ कहलथि, “दूगोटे प्रार्थना करएलेल यरूशलेमके मन्दिरमे गेल। ओहिमेस' एकटा फरिसी छल। आ दोसर रहए रोमी सरकारलेल लोकसबस' कर उठाबएबला।11ओ फरिसी उठिक' अपना विषयमे एहि तरहें प्रार्थना कएलथि, ‘हे परमेश्वर, हम अहाँके धन्यवाद दैत छी जे हम आन लोक जकां अधर्मी नहि छी, जे किछु लोक दोसरके पाइ चोरा लैत अछि। आ केओ दोसर संग अन्याय करैत अछि। आ केओ व्यभिचार करैत अछि। हम एहिमेस' कोनो काज नहि करैत छी। आ निश्चितरुपस' हम ई कर उठाबएबला जकां पापी सेहो नहि छी, जे लोकके ठकैत अछि!12हम सप्ताहमे दू दिन उपास करैत छी आ हम जे किछु कमाइ छी ओकर दसम भाग मन्दिरमे दान करैत छी!’13मुदा कर उठाबएबला मन्दिरके आंगनमे आन लोकस' दूर ठाढ़ भ' गेल। एतधरि जे ओ स्वर्ग दिस सेहो नहि तकलनि। बल्कि, छाती पिटैत प्रार्थना कएलक, ‘हे परमेश्वर, हमरा क्षमा करु, किएकत' हम एकटा बड़का पापी छी!’” 14तखन यीशु कहलथि, “हम अहाँसबके कहैत छी, जखन ओसब घर गेल, त' परमेश्वर कर असूली करएबलाके निर्दोष कहलथि, मुदा परमेश्वर फरिसीके क्षमा नहि कएलथि। ई एहिलेल भेल जे परमेश्वर स्वयंके उपर कहएबला सबके नम्र करतथि, आ जे स्वयंके नम्र करैत अछि तेकरा परमेश्वर बड़का बनौतथि।”15एकदिन किछु लोकसब अपन बच्चासबके यीशु लग आनि रहल छलनि। कारण ओ बच्चासबपर हाथ राखि आशीर्वाद देथि। जखन चेलासब ई देखलनि त' ओकरासबके डांट' लागल आ ई नहि करबाक लेल कहलनि।16मुदा यीशु बच्चासबके अपनालग आबए देब कहलनि। ओ चेलासबके कहलनि, “छोट-छोट बच्चासबके हमरालग आबए दिऔ! हुनकासबके नहि रोकू, किएकत' ई लोकसब एहि बच्चासब जकां अछि जे परमेश्वरके अपन जीवनपर राज करए दैत अछि।17हम अहाँके सांच्चे कहैत छी, जे केओ विनम्रता आ भरोसा क' क' परमेश्वरके अपन जीवनपर शासन नहि करए देत, ओ परमेश्वरक शासनके कहियो स्वीकार नहि करत।”18एकबेर एकटा यहूदी अगुवा यीशुके पुछलनि, “यौ उत्तम गुरु, अनन्त जीवन पाबएलेल हमरा की करबाक चाही?”19यीशु ओकरा उत्तर देलथिन, “अहाँ किएक हमरा उत्तम कहैत छी? परमेश्वरे एकमात्र उत्तम छथि!20आओर अहाँके प्रश्नके उत्तरमे, निश्चितरुपस' अहाँ ओ आज्ञासबके जनैत छी जे परमेश्वर मूसाद्वारा देल गेल रहैक: ‘व्यभिचार नहि करु। चोरी नहि करु। गलत गवाही नहि दिऔक। अपन माय बाबूके आदर करु।’”21ओ आदमी कहलनि, “हम त' ओसब आज्ञाक पालन बचपनेस' करैत आएल छी।”22जखन यीशु ई कहैत सुनलनि, त' ओ ओकरा उत्तर देलथिन, “अहाँके एखनो एकटा काज करबाक आवश्यकता अछि, जे किछु अहाँ लग अछि ओकरा बेच दिऔ। तब ओहि धनके ओहि लोकके दान करु, जेकरालग जिअएलेल बहुत कम अछि। परिणाम ई होएत जे अहाँके स्वर्गमे आत्मिक धन भेटत। तब आबिक' हमर चेला बनू!”23जखन ओ ई बात सुनलनि त' ओ आदमी बहुत दुखित भ' गेल, कारण ओ बहुत धनीक छल।24जखन यीशु ओहि आदमीके देखलनि जे ओ दुखित छै आ ओ कहलखिन, “जेकरा ल' बहुत धन होएत अछि हुनका बहुत कठिन अछि जे परमेश्वर ओकरापर शासन करत।25बल्कि धनीक लोकसब परमेश्वरके अपन जीवनपर राज करए देबएस' बेसी ऊंटके सुइयाके भूंड़ द' क' बाहर निकलब आसान अछि।”26जे सब यीशुके ई कहैत सुनलनि, ओसब उत्तर देलनि, “तखन एना बुझाति अछि जे परमेश्वरके एहि बातक वास्ता नहि अछि जे केकरो उद्धार होअए!”27मुदा यीशु कहलथि, “मनुष्यके लेल जे असम्भव अछि से परमेश्वरके लेल सम्भव अछि।”28तब पत्रुस कहलनि, “तखन हमरासबके की? हमसब अहाँके चेला बनबाक लेल जे किछु हमरासबलग छल ओहि सब किछुके छोड़ि देलहुं।”29यीशु ओकरासबके कहलथि, “हम अहाँसबके सांच्चे आश्वस्त क' सकैत छी जे केओ अपन घर, अपन पत्नी, अपन भाइ, अपन माय-बाबू आ अपन बच्चासबके छोड़िक' परमेश्वरके शासन करबाक लेल अनुमति द' देने अछि।30त' ओ एहि युगमे जतेक छोड़ि देने अछि, ओहिस' बेसी भेटतनि आ, आबएबला समयमे, ओ अनन्त जीवन प्राप्त करत।”31यीशु अपना संग ओहि बारहो चेलाके एकसंग एकठाम ल' गेलाह। आ ओ ओकरासबके कहलथि, “ध्यानस' सुनू! हमसब यरूशलेम दिस जा रहल छी। जं हमसब ओतए रहब, जे किछु प्रवक्तासब बहुत पहिने हमरा, मनुष्यक पुत्रके विषयमे शास्त्रमे लिखने छलाह से सब किछु पूरा होएत।32ई तखन होएत जखन हमर शत्रुसब हमरा ओहि अधिकारीसबके हाथमे सोंपि देत जे आन जाति छनि। ओ हमरा अपमान करत, तिरस्कार करत आ हमरापर थूक फेकत।”33ओसब हमरा कोड़ा मारत आ फेरु ओ हमरा मारि देत। मुदा तेसर दिन हम फेरु जीबि उठब।34मुदा ओ चेलासब ओहिमेस' कोनो बात नहि बुझलनि। परमेश्वर ओकरासबके एकर महत्वके चिन्हए स' रोकलनि, तएं ओकरासबके ई नहि बुझल छल जे यीशु ओकरासबके जे कहि रहल छलथि, तेकर अर्थ की छल।35जखन यीशु आ हुनकर चेलासब यरीहो नगर लग पहुंचलाह, त' एकटा आन्हर आदमी रस्ता कातमे बैसल छल। ओ भीख मंगैत छल।36जखन ओ लोकक भीड़के ओहि द' क' चलैत सुनलकनि, त' ओकरा लगपास जे रहए तेकरास' ओ पुछलनि, “की भ' रहल अछि?”37ओसब ओकरा कहलनि, “एत एकटा भीड़ अछि, कारण नासरतके यीशु एहि बाटपर जा रहल छथि।”38ओ सोर कएलक, “यौ राजा दाऊदक वंशज, यीशु हमरापर दया करु!”39भीड़स' आगु जा' रहल लोक ओकरा डांटिक' चुप रहबाक लेल कहलनि। मुदा ओ आओर जोरस' सोर पारलक, “अहाँ जे राजा दाऊदके वंशज छी, हमरापर दया करु!”40यीशु चलैत काल रुकिक' ओ लोकसबके आदेश देलनि जे ओकरा हुनकालग ल' क' आएल जाए। लोकसब जखन ओहि आन्हर व्यक्तिके हुनकालग अनलकनि, त' यीशु ओकरा पुछलनि,41“अहाँ की चाहैत छी जे हम अहाँलेल करु?” ओ उत्तर देलनि, “हे प्रभु, हम चाहैत छी जे अहाँ हमरा देखएमे सक्षम बना दिअ!”42यीशु ओकरा कहलनि, “हम अहाँके दृष्टिके ठीक क' दैत छी! कारण अहाँ हमरापर भरोसा कएने छी, एहिलेल हम अहाँके चंगा क' देलहुं!”43ओ तुरन्ते देखए लागल। आ ओ परमेश्वरक स्तुति करैत यीशुके पाछु आबि गेल। आ ओतए उपस्थित लोकसब सेहो ई देख परमेश्वरक स्तुति कएलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.