Luke17

1एकदिन यीशु अपन चेलासबके कहलनि, “लोकसबके परीक्षामे पाड़एबला बातसबस' निश्चित होएत। मुदा ओहि व्यक्तिके लेल ई कतेक भयावह होएत जे ओहि बातके होबएके ठोकर बनैत अछि!2ओहि व्यक्तिक लेल नीक होएत जं केओ ओकर गरदनिमे पैघ पत्थल बान्हि समुद्रमे फेक देतैक जाहिस' ओ ओकरा पाप कराबए जेकर विश्वास कमजोर रहए।3सावधान रहू जे अहाँ केहन व्यवहार करैत छी। जं हमर कोनो चेला पाप करैत अछि त' ओकरा डांटबाक चाही। जं ओ कहैत छथि जे हुनका कोनो पाप करबाक लेल पश्चाताप अछि आ अहाँस' क्षमा करबाक लेल कहैत अछि तखन अहाँके हुनका क्षमा करबाक चाही।4भलेहि ओ एक दिनमे सात बेर अहाँके विरुद्ध पाप करए, आ सब बेर अहाँ लग आबिक' कहए, ‘हम जे काज कएलहुं ताहिपर हम पश्चाताप करैत छी, हमरा क्षमा करु,’ तखन अहाँ ओकरा क्षमा करैत रहू।”5तखन प्रेरितसब प्रभुके कहलनि, “हमरासबके आओर विश्वास बढ़ा दिअ!”6प्रभु कहलनि, “भलेहि अहाँके विश्वास एहि छोट सरिसोके बिआस' पैघ नहि होअए, मुदा अहाँ एहि तूइतके गाछके कहबनि, ‘माटिस' अपन जड़िस' उखरि जो आ समुद्रमे जो,’ त' ओ अहाँके बात मानि लेत!”7यीशु इहो कहलनि, “मानि लिअ जे अहाँसबमेस' केकरो एकटा नोकर अछि जे खेत जोतैत छल वा अहाँके भेंड़ा चरबैत छल। खेतस' घर अएलाके बाद अहाँ ई नहि कहब, ‘आउ आ भोजन करएलेल बैसू!’8बल्कि अहाँ ओकरा कहबनि जे, ‘हमरालेल भोजन तैयार करु! तखन सेवा करबाक लेल अहाँ अपन कपड़ा पहिरक' हमरालेल भोजन परसू जे हम खा-पी सकी! तेकरबाद मात्रे तों खा-पी सकैत छे।’9अहाँ अपन नोकरके ओहि काजक लेल जे ओकरा कहल गेल छल धन्यवाद नहि देबै!10तहिना जखन अहाँसब काज करैत जे परमेश्वर अहाँके कहने छलथि, त' अहाँके ई कहबाक चाही, ‘हमसब मात्र परमेश्वरक सेवक छी। हम अहाँके धन्यवादके हकदार नहि छी। हमसब मात्र ओएह काजसबके कएलहुं जे अहाँ हमरासबके कहने रही।’”11जखन यीशु आ हुनकर चेला यरूशलेम जाएबला बाटपर जाएत छलाह, त' ओसब सामरिया आ गलील प्रान्त बीचके क्षेत्रस' जा रहल छलाह।12जखन यीशु एकटा गाममे प्रवेश कएलनि, तखन दस गोटे कोढ़िसब हुनका दिस आबि गेल, मुदा ओसब कनिए दूर रुकि गेलनि। 13ओसब पुकार कएलक, “हे यीशु, मालिक, हमरासबपर दया करु।”14यीशु ओकरासबके देखक' कहलनि, “जाउ आ यहूदी पुजारीसब अहाँके जांच करबाउ।” तखन ओसब चलि गेल, आ रस्तेमे ओकरासबके कोढ़ि नामक रोग ठीक भ' गेलनि।15जखन ओकरासबमेस' एकगोटे देखलनि जे आब कोढ़ि नहि अछि तखन ओ परमेश्वरक स्तुति करैत घुरि गेलाह।16ओ यीशु लग आबि हुनकर पयरपर ओ मुंह भरे खसि पड़ल, आ परमेश्वरके धन्यवाद देलनि। ओ आदमी सामरिया देशके छल।17तखन यीशु पुछलनि, “हम दसटा कोढ़ि फुटल लोकसबके ठीक कएलहुं! हमरा अपेक्षा छल जे बांकी नऔ गोटे घुरिक' आबि जाए!18ई परदेशी एकमात्र छल जे परमेश्वरके प्रशंसा करए लेल घुरि आएल। आन केओ घुरिक' नहि आएल!”19तखन यीशु ओहि व्यक्तिके कहलनि, “उठू आ अपन बाटपर चलि जाउ। अहाँसब परमेश्वरपर विश्वास कएलहुं तएं ओ अहाँसबके ठीक कएलनि।”20एकदिन किछु फरिसीसब यीशुके पुछलक, “परमेश्वर सब लोकसबपर शासन करब कहिया शुरु करथिन?” यीशु ओकरासबके उत्तर देलथिन, “ई ओहि चेन्हक साथ होएत जेकरा लोक देखते चिन्ह लेत।21लोक ई नहि कहि सकैत अछि, ‘देखू! परमेश्वर एत शासनक' रहल छथि!’ वा ‘परमेश्वर ओतए शासनक' रहल छथि!’ अहाँके विचारके विपरीत, परमेश्वर अहाँसबहक बीच शासन करए लागल छथि।”22यीशु अपन चेलासबके कहलनि, “ओ समय आओत अहाँसब हमरा, मनुष्यक पुत्रके सामर्थ्यस' शासन करैत देखब, मुदा अहाँसब हुनका नहि देखब। 23लोक अहाँसबके कहत, ‘देखू, मसीह ओतए छथि!’ वा कहत, ‘देखू, एतहि छथि!’ जखन ओसब कहैत छथि, ओकरासबहक पाछु नहि जाउ।24कारण जखन बिजली चमकैत अछि आ आकाशके एक कातस' दोसर कात इजोत करैत अछि तखन सब देख सकैत अछि। तहिना जहिया हम, मनुष्यक पुत्र घुरिक' आबि त' सब केओ हमरा देखत।25मुदा ई होबएस' पहिने हमरा बहुत कष्ट भोगए पड़त, आ लोकसब हमरा अस्वीकार करत।26मुदा जहिया हम, मनुष्यक पुत्र घुरब त' लोकसब ओएह काज करैत रहत जे नूह जीवित काल लोकसब करैत रहए। 27ओहि समयमे लोक सामान्य रुपस' खाइत-पिबैत छल, आ विवाह करैत छल, ओहि दिन धरि जं नूह आ ओकर परिवार ओहि विशाल जहाजमे प्रवेश नहि क' लेलक। मुदा फेरु बाढ़ि आबि गेल आ नावके भितर जे नहि छल, ओकरा नाश क' देलक।28तहिना जहिया लूत सदोम नगरमे रहैत छलाह तखन ओतए रहनिहार लोकसब सामान्य रुपस' खाइत-पिबैत छल। चीज वस्तु किनैत छल आ बेचैत छल। ओसब फसल बोऐत छल आ घर बनबैत छल।29मुदा जाहि दिन लूत सदोमस' विदा भेल, त' आकाशस' आगि आ गन्धक वर्षा भेल आ नगर भितर रहनिहार सबलोकके नाश क' देलक। 30तहिना जखन हम, मनुष्यक पुत्र पृथ्वीपर घुरिक आएब त' लोक तैयार नहि होएत।31ओहि दिन जे घरके छतपर अछि आ ओकर सबटा सामान घरमे अछि, ओकरासबके भितर जा क समान नहि निकलबाक चाही। तहिना जे लोक बाहर खेतमे काज क' रहल अछि ओकरा कोनो सामान जमा करएलेल घुरिक घरमे नहि अएबाक चाही, तुरन्त भागि जाए चाही।32लूतके पत्नीक संग की भेलए से मोन राखू! 33जे अपन तरीकास' जीवन जीवित रहत ओ मरि जाएत। मुदा जे केओ अपन पुरना जीवन-पद्धति हमरालेल छोड़ि देत, ओ सदा-सदाक लेल जीवित रहत।34हम ई कहैत छी जे ओहि राति जखन हम घुरब तखन दूगोटे एकहि बिछाओनपर सुतल होएताह। जे हमरापर विश्वास करत, परमेश्वर ओहि व्यक्तिके उठाक' ल' जएताह आ दोसरके छोड़ि देताह। 35दूटा स्त्री एकसंग गहुम पिसैत होएतीह। परमेश्वर एकटाके ल' क' जएताह आ दोसरके ओतहि छोड़ि देताह।”36“दूगोटे खेतमे रहत; एकटाके उठालेल जाएत आ दोसरके छोड़ि देल जाएत।”37चेलासब हुनका पुछलनि, “प्रभु, ई कत होएत?” ओ ओकरासबके उत्तर देलनि, “जत कतौ लास पड़ल रहैत अछि, ओकरा खाएलेल ओतए गिद्धसब जुटैत अछि।” 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67