Luke16
1यीशु अपन चेलासबस' इहो कहलखिन, “एकटा धनीक व्यक्ति रहए, जेकरा एकटा मुन्सी रहए। एकदिन किछु लोक ओहि धनीकके ई कहि देलक जे ओ मुन्सी कतेक अधलाह काज करैत अछि, जाहिस' धनीकके बहुत धन नाश होइत छल।2एहिलेल ओ धनीक मुन्सीके अपनालग बजाकए कहलनि, ‘हम सुनने छी, जे अहाँके क' रहल छी से बहुत भयावह अछि! हमरा लिखित रुपमे ओहि बातक अन्तिम जानकारी कराउ जेकर अहाँ प्रबन्ध करैत छी, किएकत आब अहाँ हमर घरक मुन्सी नहि रहब!’3तखने मुन्सी मनेमन सोंचलक, ‘हमर मालिक हमरा अपन मुन्सी बनएस' निकालए जा रहल छथि, तएं हमरा ई सोंचए पड़त जे की करी। हम एतेक मजगूत नहि छी जे कामधाम क' सकब, आ भीख मांगएमे हमरा लाज होइए।4आब हमरा फुराएल जे हम की करब जाहिस' लोक हमरा अपना घरमे बजाओत आ हमरा स्वागत करत जं मालिक हमरा मुन्सीगिरीस' बाहर निकालि देत!’5तएं ओ एक-एकक' अपन मालिकके कर्जदारसबके अपनालग बजौलनि। ओ पहिनुका कर्जदारके कहलक, ‘मालिकके अहाँपर कतेक ऋण बांकी अछि?’6ओ आदमी उत्तर देलक, ‘तीन हजार सात सय लीटर जैतूनक तेल।’ मुन्सी ओकरा कहलक, ‘अपन तमसूक ल' क' बैसि जाउ, आ ओकरा पन्द्रह सय लीटर लिख लिअ!’7ओ दोसर कर्जदारके कहलनि, ‘अहाँपर कतेक कर्ज अछि?’ ओ उत्तर देलक, ‘आठ बोरा गहुम।’ मुन्सी ओकरा कहलनि, ‘अपन बही खातामे ओहिके आठ सय बोरा लिखू।’8जखन मालिक सुनलनि जे हुनक मुन्सी की कएने रहए, त' ओहि दुष्ट मुन्सीके चतुराइके प्रशंसा कएलनि। सत्य ई अछि जे एहि संसारके लोक अपन अगल बगलके लोकसबसंगे कोना व्यवहार करएमे परमेश्वरक लोकस' बेसी होसियार अछि।9आ यीशु आगु कहैत गेलनि, हम अहाँस' कहैत छी जे एहि संसारमे जे अधर्मके धन अछि ओकर उपयोग अपनालेल मित्र बनाबएमे करु। ओहि समय, जहिया अहाँके धन-सम्पत्ति सठि जाएत, त' ओ संगीसब अहाँके अपन घरमे स्वागत करत, जे अनन्त धरि चलत।10जे लोक कम धनके विश्वासयोग्य व्यवस्थापन करैत अछि ओ बेसी धनके संग विश्वासयोग्य रहत। जे लोक कम धनके व्यवस्थापन करएमे अधर्मी होएत ओ बेसी धनमे अधर्मी बनल रहत।11तएं यदि अहाँ अधर्मके धनके, जे परमेश्वर अहाँके देने छथि विश्वासयोग्यतास' नहि सम्हारैत छी, त' निश्चितरुपस' ओ अहाँके स्वर्गके सांच धनके नहि सोंपथि।12जं अहाँ ओहि धनके विश्वासयोग्यतास' सम्हारि नहि सकलहुं जे दोसर लोकके अछि, त' अहाँके ई अपेक्षा नहि करबाक चाही जे केओ अहाँके अपन धन देत।13कोनो दास एकहि बेरमे दूटा मालिकके सेवा करए सक्षम नहि होइत अछि। जं ई करबाक प्रयास करत त' एक गोटेस' घृणा करत आ दोसरस' प्रेम, एकगोटे प्रति निष्ठावान रहत आ दोसरके तिरस्कार करत। अहाँ अपन जीवन परमेश्वरके सेवामे समर्पित नहि क' सकैत छी, जं धन आ आन भौतिक सम्पत्ति प्राप्त करबामे अपन जीवन समर्पित क' रहल छी।”14जखन फरिसीसब यीशुके शिक्षा सुनलनि त' ओसब हुनकर मजाक उड़ौलनि किएकत' ओकरासबके धनीक बनब नीक लगैत छलनि।15मुदा यीशु ओकरासबके आओर कहलनि, “अहाँसब दोसर लोकके ई बुझएबाक प्रयास करैत छी जे अहाँसब धर्मी छी, मुदा परमेश्वर जनैत छथि जे अहाँसब वास्तवमे केहन छी।” ध्यान राखू जे परमेश्वर बहुते बातके तिरस्कार करैत छथि मनुष्य जेकर प्रशंसा बहुत महत्वपूर्ण कहैत अछि।16परमेश्वर मूसाके व्यवस्था आ प्रवक्तासबके लिखलक से बपतिस्मा देनिहार यूहन्नाके समय धरि प्रभावी छल। तहियास' हम एहि बातके सुसमाचार प्रचार करैत छी जे परमेश्वर राजाके रुपमे कोना राज करताह। बहुत लोक हमर सन्देश स्वीकार क' रहल अछि आ परमेश्वरक राज्यके हिस्सा बनबाक उत्सुकतापूर्वक प्रयास क' रहल अछि।17परमेश्वरक सम्पूर्ण व्यवस्था, ओहो जे तुच्छ बुझाति अछि, स्वर्ग आ पृथ्वीस' बेसी स्थायी अछि।18जे पुरुष अपन पत्नीके तलाक द' क' दोसर स्त्रीस' विवाह करैत अछि, से व्यभिचार करैत अछि, आ जे पुरुष ओहि स्त्रीस' विवाह करैत अछि जेकर पति ओकरा तलाक द' देने अछि, सेहो व्यभिचार करैत अछि।19यीशु कहलनि, “एकटा धनीक आदमी रहए जे बहुमूल्य बैगनी वस्त्र आ मेही मलमलके वस्त्र पहिरैत छल। ओ सबदिन भव्य भोज दैत छलनि।20आ प्रत्येक दिन लोकसब ओहि धनीक आदमीके दुआरिपर एकटा गरीब आदमीके राखि दैत छल, जेकर नाम लाजर छल। लाजरके देह घावस' भरल छल।21ओकरा ततेक ने भूख लागल रहए जे ओकरा ओहि टेबुलपरस' खसल भोजनके टुकड़ी खाए चाहैत छल जत धनीक भोज खाइत छल। जखन ओ ओतहि पड़ल छलनि, कुकुरसब आबि ओकर घावसबके चटैत छल।22समय आएल त ओ गरीब आदमी मरि गेल। तब स्वर्गदूत ओकरा पूर्वज अब्राहमसंगे रहबाक लेल ल' गेलनि। ओ धनीक सेहो मरि गेल, आ लोक ओकर लासके गाड़ि देलक।23मृतकसबके दुनियांमे ओ धनीक बहुत कष्ट भोगि रहल छलनि। ओ आंखि उठाक' देखलक जे दूरमे अब्राहम आ हुनक बहुत लग लाजर बैसल छल।24एहिलेल धनीक जोरस सोर पारलक, ‘यौ पिता अब्राहम, हम एत एहि आगिमे बहुत कष्ट भोगि रहल छी! तएं हमरापर दया करु आ लाजरके एत पठा दिऔ जाहिस' ओ अपन औंरी पानिमे डुबाक' जिउके कनिक शीतल देब छुवा दैक!’25मुदा अब्राहम कहलक, ‘यौ बौआ, मोन राखू जे जाहि समयमे अहाँ पृथ्वीपर जीवित रही, ताहि समयमे अहाँके बहुते नीक चीजक आनन्द आ प्रोत्साहन भेटैत छल। मुदा लाजर दुखित छलनि। आब ओ एत खुश अछि, आ अहाँ दुखित।26एतबे नहि, परमेश्वर हमरा आ अहाँके बीच एकटा नमहर दरारि अछि। तएं जे केओ एतस' ओतए अहाँ लग जएबाक इच्छा रखैत अछि ओ असमर्थ अछि। आओर ओतएस' जत अहाँ छी एत केओ नहि आबि सकैत अछि।’27तखन ओ धनीक व्यक्ति अब्राहमके कहलक, ‘जं एना अछि त' पिता अब्राहम, हम अहाँस' विनती करैत छी जे लाजरके हमर परिवारमे पठा देल जाओ।28हमर पांचटा आओर भाइसब अछि जे ओतहि छथि। हुनका कहि दिऔ जे हुनकासबके चेतावनी देतैक जे ओहोसब एहि ठाम नहि आबए जत' हमरा बहुत कष्ट होइत अछि!’29मुदा अब्राहम उत्तर देलनि, ‘नहि, हम एना नहि करब, कारण अहाँके भाइसबके संग मूसा आ प्रवक्तासबके लेखसब अछि। जे लिखल गेल अछि से अहाँके भाइसब पढ़ि सकैत अछि!’30तब ओ धनीक व्यक्ति कहलक, ‘नहि, पिता अब्राहम, ई पर्याप्त नहि होतैक! मुदा जं ओकरासबलग केओ मरि गेल आदमी घुरिक' चेताओत त' ओसब अपन पापस' पश्चाताप नहि करत।’31मुदा अब्राहम कहलनि, ‘यदि ओसब मूसा आ प्रवक्तासबके लिखल बातके नहि मानत। तखन जं ओकरासबलग केओ मरलोमेस' घुरिक' ओकरा चेताओत त' ओसब नहि सुनत। ओसब एखनो ई नहि मानत जे ओकरा अपन पापी चालीस' घुरि जएबाक चाही।’”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.