Luke15
1एकदिन, बहुते कर उठाबएबला आ आओर दोसर लोक जेकरा धार्मिक अगुवासब पापी मानैत छलनि, यीशुद्वारा देल जा' रहल वचन सुनएलेल आबि रहल छलनि।2जखन फरिसी आ यहूदी धर्म-व्यवस्थाके शिक्षकसब ई देख गुनगुनाए लागल। ओसब अपनामे कहलक, “ई आदमी पापीसबके स्वागत करैत अछि आ ओकरासबसंगे भोजन सेहो करैत अछि।” ओसब सोंचैत रहए जे यीशु एहि काजस' स्वयंके अशुद्ध क' रहल छथि।3तएं यीशु ओकरासबके ई दृष्टान्त सुनौलनि:4“मानि लिअ जे अहाँमेस' केकरो सयटा भेंड़ा अछि आ ओहिमेस' एकटा भेंड़ा हेरा गेल। निश्चितरुपस' अहाँ आन निनान्नबे भेंड़ाके चौरीमे छोड़ि ओहि हेराएल भेंड़ाके ताधरि तकैत रहैत अछि जाधरि ओकरा भेटि नहि जाइक। 5जखन अहाँके भेंड़ा भेटि जाइत अछि त' अहाँ हंसी-खुशीस' ओकरा कान्हपर उठाक' घर ल' जाइत छी।6तब घर पहुंचला पर अपन मित्र आ पड़ोसीके बजाक' कहब जे हमरासंग आनन्दित होउ, कारण हमर हेराएल भेंड़ा भेटि गेल अछि!'7अहाँ जानि लिअ जे, जं कोनो पापी अपन पापक पश्चाताप करैत अछि, त स्वर्गमे रहनिहारसब आनन्दके उत्सव मनबैत अछि। ओ आनन्द ओहि आनन्दस' बेसी अछि जे बहुते लोक पहिनेस' परमेश्वरक संग सही छथि आ जेकरा बुझाति अछि जे ओकरा पश्चाताप करबाक आवश्यकता नहि छनि।8वा मानि लिअ जे कोनो स्त्री लग दसटा चानीके रुपैया अछि मुदा ओहिमेस' एकटा रुपैया हेरा लैत अछि। निश्चितरुपस' ओ डिबिया बारिक' घरके बहारलीह, आ जाधरि ओकरा ई भेटि नहि जाइत ताधरि ध्यानस' खोजैत छलीह।9जखन ओकरा भेटगेल त' ओ अपन संगी-साथी आ पड़ोसीके बजाक' कहत, ‘हम बहुत खुश छी, कारण हमर हेराएल चानीके रुपैया हमरा भेटि गेल अछि!’10हम अहाँसबके कहैत छी जे, एहिना, परमेश्वरक स्वर्गदूतसब बहुत आनन्द होइत अछि जखन कोनो पापी अपन पापक पश्चाताप करैत अछि।”11तखन यीशु ओकरासबके आगु कहलखिन, “एकबेर एक आदमी छल, जेकरा दूटा बेटा छल।12एकदिन छोटका बेटा अपन बाबूके कहलनि, ‘यौ बाबूजी, अहाँके धनमे जे हिस्सा अहाँके मृत्यु भेलापर हमरा भेटत से हमरा अखिने द' दिअ।’ तएं पिता अपन धनके अपन दुनू बेटामे फांटि देलनि।13किछुए दिनक बाद, छोटका बेटा अपन सबटा समान जमा क' क' दूर देशमे जाएलेल विदा भ' गेल। ओतए ओहि देशमे ओ अपन सब धन मूर्खइस' व्यर्थ आ अपन जीवनके अनैतिक भोग-विलासमे खर्च क' लेलक। 14ओ अपन सब धन खर्च कएलाक बाद, ओहि देशमे भयंकर अकाल पड़ि गेल। देखते-देखते ओकरा जिअएलेल किछु नहि रहि गेल।15तएं ओ ओहि देशमे रहनिहार एकटा आदमी लग जाक' काजमे राखि लेबएलेल कहलनि। तएं ओ व्यक्ति ओकरा अपन सुगरके चराबएलेल अपन खेतमे पठा देलनि।16ओकरा एतेक भूख लागि गेलै जे सुगरके खाएबला चारा खाए चाहैत छलनि, मुदा ओकरा केओ किछु नहि देलक।17तेकरबाद ओकरा होस आएल, त ओ कहलक, ‘हमर बाबू घरमे जनसबके पेट भरएलेल रोटी आवश्यकतास' बेसी अछि, मुदा हम एत मरि रहल छी, कारण हमरालग किछु नहि अछि!18तएं हम एतस' उठिक' अपन बाबू लग घुरिक' जाएब। हम हुनका कहबनि, “यौ बाबूजी, हम स्वर्गके परमेश्वर आ अहाँके विरुद्ध पाप कएलहुं। 19हम एहि योग्य नहि छी जे अहाँ हमरा अपन बेटा कहब। कृपया हमरा अहाँके कोनो नोकर जकां अहाँमे काज करए दिअ।”’20तएं ओतएस' ओ विदा भेल आ अपन बाबूके घर लौटबाक यात्रा शुरु कएलक। मुदा जखन ओ घरस' दूरे रहैक, त' ओकर बाबू ओकरा देख लेलनि आ ओकरा प्रति अपार दयास' भरि गेलनि। ओ दौड़क' बेटा लग गेल आ गला लगाक' गालपर चुम्मा ल' लेलक।21हुनकर बेटा हुनका कहलनि, ‘बाबू, हम स्वर्गके परमेश्वर आ अहाँके विरुद्ध पाप कएलहुं। तएं हम एहि योग्य नहि छी जे आब अहाँ हमरा अपन बेटा कहब।’22मुदा ओकर बाबू अपन नोकरसबके कहलनि, ‘जल्दी जाउ नीकस' नीक कपड़ा आनिक' हमर बेटाके पहिरा दिऔ। संगहि औंरीमे औंठी आ पयरमे जुता पहिरा दिऔ!23आ जे जानबर हमसब विशेष समारोहक लेल बच्छा पोसने छी ओकरा आनिक' काटू, जे हमसब खा क' उत्सव मना सकी!24हमरासबके उत्सव मनाबए पड़त किएकत' हमर ई बेटा मृत आदमी जकां छल, मुदा आब फेरु जीबि गेल अछि! ओ हेराएल आदमी जकां छल, मुदा हमरासबके फेरु भेटि गेल अछि!' तएं ओसब उत्सव मनाबए लगलाह।25जखन ईसब भ' रहल छल, तखन ओहि समयमे ओहि बाबूके जेठका बेटा बाहर खेतमे काज क' रहल छलनि। काज समाप्त कएलाक बाद, घरदिस विदा भेल। जहिना ओ घर लग पहुंचैत छलनि लोकसबके नांच गानके आवाज सुनलनि।26ओ एकटा दासके बजाक' पुछलनि की भ' रहल अछि।27ओ दास हुनका कहलकनि, अहाँके छोटका भाइ घर आएल छथि। अहाँके पिता हमरासबके एकटा बच्छाके मारिक' उत्सव मनाबए लेल कहलनि, कारण अहाँके भाइ सुरक्षित घर घुरि आएल छथि।’28मुदा भैया तमसा गेल आ उत्सवमे सहभागी नहि होबए चाहैत छल। तएं ओकर बाबू बाहर आबिक' ओकरा भितर आबएलेल निहोरा कएलनि।29मुदा ओ अपन बाबूके जबाब देलनि, ‘सुनू! एतेक साल हम अहाँके लेल दास जकां मेहनति कएने छी। अहाँ जे कहलहुं से हम सदिखन ओकर पालन करैत छलहुं। मुदा अहाँ हमरा कहियो एकटा पठरुओ नहि देलहुं जे हम अपन संगीसबमे भोजक आयोजन क' सकी।30मुदा आब अहाँके ई बेटा अहाँके पाइ वेश्या पर खर्च क' क' घर घुरल अछि आ अहाँ अपन नोकरसबके कहने छी जे एकटा बच्छा मारिक' उत्सव मनाउ!’31मुदा बाबू ओकरा कहलनि, ‘अहाँ सदिखन हमरासंग रहैत छी, आ हमरालग जे किछु अछि से अहींके अछि।32मुदा हमरासब लेल उत्सव मनाबए आ आनन्दित होएब उचित अछि, कारण जेना अहाँके भाइ मरि गेल छल आ फेरु जीवित भ' गेल अछि! जेना ओ हरा गेल छल आ फेरु हमसब ओकरा पाबि लेने छी!’”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.