Leviticus7
1“दोषबली सबहक' विषयमे नियम ई अछि। ई बहुत पवित्र बलिदान अछि। 2ओकरा होमबलिके स्थानपर दोषबलीके मारबाक चाही, आ ओकरा वेदीके प्रत्येक कातमे ओकर लेहू छिड़कि देबाक चाही।3ओकरासबटा चर्बी, मोटका नाङरि जे रीढ़क हड्डीक समीप काटल जाइत अछि, आ सबटा चर्बी जे पशुसबहक भीतरका भागके झंपैत अछि आ जे ओकरासबस' जुड़ल रहैत अछि, ओकरा वेदीपर जराओल जाएत।4एहिमे मिर्गौला सहभागी अछि जेकर चर्बी पीठक निचका मांसपेशीक समीप अछि आ ओ चर्बी जे करेजाके झंपैत अछि। पुजारीके ईसब चर्बीबला टुकड़ा निकालब आवश्यक अछि।5पुजारी एहिसब टुकड़ीसबके वेदीपर जराक' हमरालेल बलि चढ़ाबथि। ओ लोकक सबके लेल दोषबली अछि, हमरालेल जे हम ओकरासबके माफ करब जखन ओसब जे काज हमरास' आग्रह कएने रहए से नहि कएलक।6पुजारीक परिवारक पुरुषसबके एकर माउस खएबाक अनुमति अछि, मुदा हमरालेल अलग जगहपर खाए पड़त, किएक त' ई हमरालेल बहुत खास अछि।7पापबलिके नियम इएह अछि जे लोकसबके फेरुस' स्वीकार बनएबाक लेल दोषबली आ जखन ओसब दोषी अछि जे ओसब हमरा ओहि वस्तुसबके नहि देलक जे हमरा ओकरासबस' चाही। ओहि बलिदानक माउस ओहि पुजारीके होअए त जे ओकरा चढ़बैत छथि।8जखन कोनो पुजारी कोनो एहन जानबरके मारि दैत अछि जेकरा ओ वेदीपर पूरा तरहे जरा देत, तखन ओ पशुक चमड़ा अपनालेल राखि सकैत अछि।9आंटास' बनल वस्तु जे चूल्हामे पकाओल जाइत अछि आ ताबामे आ कड़ाहीमे पकाओल जाइत अछि, ओकर बलिदान ओहि पुजारीक होइत अछि जे दोसर व्यक्तिक लेल ओहि वस्तुसबके बलिदान दैत अछि।10आंटास' बनल वस्तुक चढौना, चाहे ओ जैतूनक तेल मिलाओल गेल होअए आ नहि, हारूनके वंशके अछि।11ई नियम अछि जे लोकसब यहोवाके स' संग मित्रताक प्रतिज्ञा करबाक लेल जे चढौना दैत अछि।12यदि अहाँसब यहोवाके धन्यवाद बलि अनैत छी त' ओहि पशुक संग जे अहाँ चढाएब, जैतूनक तेलमे आंटा मिलाओल गेल रोटी, मुदा बिना खमीरक' रोटी आ बाबरक' बिना खमीरक' जैतूनक तेलस' बनल रोटी चढ़ा, आ मेही आंटास' बनल रोटी आ जैतूनक तेलमे आंटा नीक जकां मिलाओल गेल होअए। 13यहोवाके धन्यवादके लेल मेलबलि संगे खमीरस' बनल रोटीके' चढ़ाबा सेहो आनब।14अहाँसब एक-एकटा यहोवाके बलिदानक रुपमे आनब, मुदा ओसब ओहि पुजारीक अछि जे यहोवाके मेलबलिके बलिदानक रुपमे मारल गेल जानबरक लेहू वेदीपर छिड़कि दैत छथि।15ओहि धन्यवाद बलिदानके माउस ओहि दिन मेलबलिके रुपमे खाए पड़त। भ' सकैत अछि जे एहिमेस' कोनो चीज अगिला दिन खाए लेल नहि छोड़ल जाए।16मुदा जं अहाँके चढ़ौना अहाँ यहोवाके प्रतिज्ञाक परिणाम अछि आ जं अहाँके स्वेच्छास' चढ़ाएल गेल बलिदान अछि त' अहाँ ओहि दिनमे किछु माउस खा' सकैत छी आ जे किछु बचल अछि से अगिला दिन खाएल जा' सकैत अछि।17मुदा जे कोनो बलिदानक माउस तेसर दिन धरि बंचि जाइतअछि, त ओकरा पूरा जरा देबाक चाही।18जं तेसर दिन यहोवाके मेलबलिमेस' कोनो माउस खाएल जाएत त' यहोवा ओहि बलिदानक स्वीकार नहि करताह। एहि प्रकारक बलिदान बेकार होअए त, किएक त' यहोवा एकरा बेकार मानतै छथि। जे केओ एहिमेस' किछु खा' लेत ओकर अधर्मके कारण ओकरा यहोवाके दण्डके भागी होबए पड़त।19जे माउस यहोवा अशुद्ध मानैत छथि ओहिके नहि खाउ, तेकरा कोनो अशुद्ध बस्तु स्पर्श करैत अछि। एकरा पूर्णरुपें जरा दिऔक। मुदा रहल बात आन माउसक त' जे कोनो यहोवाके स्वीकार बनबाक लेल नियम-निष्ठास' छथि ओहिके खाएके अनुमति छनि।20यदि केओ ओसब बिधि-बिधान नहि कएने होअए जे यहोवाके मेलबलिक' बलिदान मंगलहुं खाइत छथि, जे यहोवाके अछि, त' ओकरा यहोवाके लोकसबके' बीचमे अशुद्ध भेलाके कारण बहिस्कार करबाक चाही।21यदि केओ कोनो एहन चीजके छुबि लैत अछि जेकरा यहोवा ओहिके अशुद्ध आ बहुत अप्रिय मानैत छथि, चाहे ओ मनुखस' होए आ जानवरस' आ तखन ओ बलिदानमेस' कोनो माउस खा' क' यहोवास' मेलबलिके रुपमे वचन दैत अछि जे यहोवाके अछि, ओकरा आब यहोवाके लोकसबमेस' बहिस्कार करबाक चाही।”22यहोवा मूसाके फेरुस' कहलनि,23“इजराएली लोकस' ई कहू: ‘बच्छा वा भेंड़ आ बकरीके चर्बी नहि खाउ।24कोनो जानबरक चर्बी जे मृत पाओल गेल होए आ जेकरा जंगली जानबर मारि देने अछि, ओकर चर्बी आन काजमे उपयोग कएल जा' सकैत छी, मुदा अहाँसब ओकरा नहि खाउ।25जे केओ होमबलिके चर्बी खाइत अछि जेकरा यहोवाके चढ़ाएल गेल अछि, ओकरा यहोवाके लोकसबस' बहिस्कार करबाक चाही।26अहाँसब जत रहब, कोनो चिड़ै-चुनमुन आ जानबरक लेहू नहि पिबू।27यदि केओ लेहू पिबैत अछि त' ओकरा यहोवाके लोकसबस' बहिस्कार करु।’”28यहोवा मूसाके फेरुस' कहलनि,29“इजराएली लोकसबस' ई बात कहू: ‘जे केओ यहोवाके मेलबलिके बलि अनैत अछि, ओहिमेस' किछु हिस्सा यहोवाके बलिक' लेल अनबाक चाही।30जे बलिदान आगिमे जराओल जाएत से हुनकासबके स्वयं अनबाक चाही। ओकरा जानबरक छातीक स' संग चर्बी आनिक' ओकरा यहोवाके आगु उपर उठाक' ओकरा बलिदानक रुपमे प्रस्तुत करबाक चाही।31पुजारीके वेदीपर चर्बी जरएबाक चाही, मुदा छाती हारून आ ओकरासब वंशजक अछि।32अहाँ जे जानबर यहोवाके मेलबलिके रुपमे पेश कएने छी, ओकर दहिना जांघ पुजारीके दिऔ।33हारूनके पुत्र जे ओहि मेलबलिके लेहू आ चर्बी चढ़बैत अछि, ओकरा अपन हिस्साके रुपमे पशुक दहिना जांघ भेटतैक।34इजराएली लोकसब यहोवाके मेलबलिके लेल जे बलिदान दैत अछि, ताहिस' ओ हारून आ ओकर वंशजसबके ओ सीना जे चढ़ाएल गेल अछि आ दहिना फिला चढ़ाएल गेल अछि। ओ भाग विधि अनुसार सदिखन इजराएली लोकसबस' हुनकर नियमित हिस्सा रहत।35ओसब बलिदान यहोवाके लेल आनल गेल आ आगिमे जराओल गेल बलिदानक भाग अछि जे हारून आ हुनकर वंशजके ओहि दिन अलग कएल गेल अछि जाहि दिन अहाँ, मूसा, जाहि दिन यहोवाके पुजारीक रुपमे यहोवाके सेवा करबाक लेल अलग कएने रही।36यहोवा आज्ञा दैत छथि जे जाहि दिन पुजारीक नियुक्ती होअए त, ओहि दिन इजराएली लोकसब सदिखन पुजारीसबके ओ भागके देबाक चाही।’” 37तएं अन्नबलि, मेलबलि, दोषबली, पापबलि, अर्पण बलि नियमित बलिदानसब अछि जे पूर्णरुपस' वेदीपर जराओल जाइत अछि से व्यवस्था अछि। 38ईसब नियम अछि जे यहोवा सीनै पहाड़पर मूसाके ओहि दिन देने छलाह, जहिया ओ इजराएली लोकसबके आज्ञा देने छलाह जे सिनाईक चारुकात जंगलमे हुनकालग अपन बलिदान करए लेल कहने रहथिन।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.