Leviticus3

1 जखन केओ यहोवाके कोनो जानबर चढ़बैत छी त' हुनकासंग मिलेबाक प्रतिज्ञा कएल जाए, अहाँ अपन मवेशी सबमेस' एकटा बाछा आ बाछी आनि सकैत छी, मुदा जे किछु अहाँ यहोवाके समक्ष प्रस्तुत करैत छी ओहिमे कोनो दोष नहि होअए।2अहाँसब ओहि बलिदानके पशुके पवित्र तम्बूक' प्रवेशद्वारपर आनिक' ओकर माथपर हाथ अवश्य राखब। तखन ओकरा मारिक' ओकर किछु लेहू एकटा कटोरामे राखि लिअ। तखन हारूनके एकटा पुत्र आ एकटा पुजारी, वेदीके चारुकात लेहू छिट देताह।3ओहि मेलबलिमेस' अहाँसब यहोवा समक्ष एहन बलिदान आनू, जेकरा पुजारी होमबलिके रुपमे आगिमे जरा देताह। जाहिमे ओसब चर्बी होएत जे जानबरक भीतरका भागके झांपिक' रखैत अछि, आ जे ओहिस' सम्बन्धित अछि।4गुर्दा आ ओहिस' जुड़ल चर्बी जे पीठक निचका मांसपेशीक समीप ओहिस' जुड़ल रहैत अछि, आ ओ चर्बी जे करेजाके झंपैत अछि।5तखन हारूनके बेटासब वेदीपर ओहि वस्तुसबके संग ओहि पशुक आन भागसबके ओ यहोवाके लेल होमबलिके रुपमे पूर्णरुपस' जरा देताह। आ ओ सुगन्ध यहोवाके नीक लगतनि।6जं यहोवाके मेलबलिके लेल हेंड़के भेंड़ा आ पाठीमेस' एक अछि त' ओ जानबर दोष रहित होएबाक चाही।7जं अहाँ भेंड़के बच्चा चढ़बैत छी त' पवित्र पालक' प्रवेशद्वारपर यहोवा समक्ष प्रस्तुत करु। मेमनाक' माथपर हाथ राखू आ ओकरा बलिदान चढ़ाउ। एकर किछु लेहू अहाँ एकटा कटोरामे राखि लिअ।8तखन हारूनके बेटासब ओहि बलिदानके लेहूके तम्बूक चारुकात छिट देताह।9ओहि बलिदानमेस' अहाँ एहि भागसबके अलग क' क' यहोवाके लेल मेलबलि चढ़ाउ जे आगिस' जराओल जाएत, ओकर चर्बी, नाङरि आ रीढ़क हड्डी लग काटिक सबटा चर्बी भीतरके भाग झंपैत अछि, मेमना आ जे ओकरासबस' जुड़ल अछि10चर्बी संग मृगौला जे ओकर पीठक निचका मांसपेशीक समीप अछि आ ओ चर्बी जे करेजीके झंपैत अछि।11तखन एकटा पुजारी ओसब वेदीपर जराक' यहोवाके लेल बलि रुपमे जराओत। ओसब चीज भोजनक' स्वरुप होएत।12जं अहाँके' बलिदान पाठी अछि त' ओकरा यहोवा लग ल' जाउ।13ओकरा माथपर हाथ राखू। तखन यहोवास' मिलएबला तम्बूक' आगु ओकरा मारि दिऔ। तखन हारूनके एकटा बेटा वेदीके चारुकात लेहू छिट देत।14ओहि बलिस' अहाँ एहिसब चीजसबके अलग क' क' राखू, यहोवाके लेल बलि जे जराओल जाइत अछि।15पीठक निचका मांसपेशीक समीप जे चर्बी रहैत अछि आ करेजाके झांपल चर्बीस' गुर्दाके अलग करु।16पुजारी ओसब वेदीपर यहोवाके लेल बलि रुपमे जरौताह। ओसब चीज भोजनक स्वरुप जराओत। आ ओ सुगन्ध यहोवाके नीक लगतनि। जे जानबरक' बलि चढ़ाओत, ओकरासब चर्बी यहोवाके अछि।17ई एकटा एहन आज्ञा अछि जेकरा अहाँ आ अहाँके' सन्तानसबके पालन करबाक लेल अनन्त विधि होए। कोनो जानबरक चर्बी आ लेहू नहि खाएब ।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67