Leviticus2

1 जं अहाँ बलिदानक लेल यहोवा समक्ष आंटा आनब त' ओ मेही पीसल होएबाक चाही। अहाँ ओहिपर जैतूनक तेल अवश्य ढारब, संगहि किछु धूप सेहो ल' लेब।2आ हारूनके बेटासब लग ल' जाएब। पुजारी ओहिमेस' तेलमे सानल एक मुट्ठी आंटा आ धूपके एकसंग ल' क' वेदीपर होमबलिके रुपमे जरा देताह। ई एहि बातक प्रतीक होएत जे ई चढ़ाैनासब यहोवाके लेल अछि। आ सुगन्धस' यहोवा खुश भ' जएताह।3आंटामे स' जे किछु बचत से हारून आ हुनक' पुत्र सबहक' होएत। ई होमबलि यहोवाके लेल बहुत पवित्र अछि।4जं अहाँ कोनो आंटास' बनल चढ़ौना आनब त, ओ मेही पीसल आ आगिमे सेकल होएबाक चाही। जैतूनक तेल लगाक' बनाएल रोटी ल' क' आबि सकैत छी, मुदा बिना खमीरके जैतूनके तेलस' बनल रोटी ल' क' आबि सकैत छी।5जं अहाँके आंटाके चढ़ौना ताबामे सेकल अछि त' ओ बिना खमीरक मेही आंटाके होएबाक चाही जाहिमे तेल मिलाओल गेल होए।6अहाँ ओकरा टुकड़ा-टुकड़ामे बांटिक' ओहिपर तेल ढारि देब। जे आंटास' बनल अहाँके बलिदान होएत।7जं अहाँके अन्नक बलिदान ताबामे बनाओल गेल अछि त' ओकरा मेही आंटा आ तेलस' अवश्य बनाबी।8आंटास' बनल बलिदान यहोवा समक्ष आनिक' पुजारीके द' दिऔ आ ओ वेदीपर राखि देथिन।9पुजारी ओहिमेस' एकटा भाग लेताह जे एहि बातक प्रतीक होएत जे ओ सबटा आंटा बलिदानक' लेल यहोवाके अछि। ओ ओहि भागके वेदीपर होमबलिके रुपमे जरा देताह आ जहिना ओ जरत ओहिमेस' निकलल सुगन्ध यहोवाके नीक लगतनि।10आंटाके' बलिदानमे जे भाग नहि जराओल जाएत से हारून आ हुनकर पुत्र सबहक' होएत। ई यहोवाके लेल होमबलिके यहोवाके देल गेल बलिदानमेस' पवित्र अछि।11जे आंटाके' बलिदान अनाज स' बनैत अछि आ जे अहाँसब यहोवा समक्ष अनैत छी, से बिना खमीरस' बनाओल जाए, किएक त' अहाँसब यहोवाके बलिदानमे खमीर वा मधु नहि राखब जे पुजारी वेदीपर होमबलिके रुपमे जरबैत छथि।12अहाँसब पहिन उब्जनीके बलिदानक' रुपमे यहोवाके चढ़ाएब, मुदा वेदीपर सुगन्ध उत्पन्न करबाक लेल एकर उपयोग नहि कएल जाए।13आंटास' बनल सब बलिदानमे नून राखब। नून ओहि करारक प्रतिनिधित्व करैत अछि जे अहाँके' यहोवा अहाँसबहक संग कएने छलाह, तएं ई सुनिश्चित करु जे अहाँ ओहि अन्न बलिमे नून राख' लेल नहि बिसरब।14जं अहाँ अपन बालीक' पहिन भागमेस' अन्नबलि यहोवा लग समक्ष अनैत छी त' किछु नवका अनाज चढ़ाउ जे फटकल आ आगिमे भुजल होएबाक चाही।15ओहिपर जैतूनक तेल लगाएब आ धूप राखब, तब ई अहाँसबके अन्नबलि होएत।16पुजारी ओहि जैतूनके तेल आ धूपमे स' एक भाग लेतनि जाहिस' ई प्रतीक होअए जे सब बलिदान वास्तवमे यहोवाके छन्हि। ओ ओहि भागके वेदीपर होमबलिके रुपमे जराएत जे यहोवाके गेल अग्नि-बलि होएत।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67