Leviticus27

1यहोवा मूसास' कहलनि,2“हमरालेल इजराएली लोकसबके ई बात कहि दिऔ, ‘जं केओ गम्भीरतास' प्रतिज्ञा करैत अछि जे ओ दोसर व्यक्तिके मात्र यहोवाके होएबाक लेल अलग कएने छी, त' यहोवा ओहि व्यक्तिके अलग करबाक लेल तैयार भ' जएताह जं जिम्मेवार आदमी पुजारीके कोनो रकम दैत अछि त' से करएस' मुक्त होएब। पुजारीके चानीके सिक्काके हिसाबस' रकमके मात्रा गणना करबाक चाही, जेकर उपयोग ओ यहोवाके पवित्र स्थानमे करताह। 3एहि तरहे कारोबारक लेल यहोवा ई रकम निर्धारीत कएने छथि, बीसस' साठि वर्षक बीचक लोकसबके लेल पवित्र स्थानके तौल अनुसार पचास चानीके टका।4बीसस' साठि वर्षक बीचक वयस्क महिलाके लेल तीस चानीके टका।5पांचस' बीस वर्षक बीचक युवक सबहक लेल बीस चानीके टका देल जाएत। पांचस' बीस वर्षक बीचके युवतीसबहक लेल दस चानीके टका।6एक मासस' पांच वर्षक बीचक लड़का सबहक लेल पांच चानीके टका। एक मासस' पांच वर्षक बीचके लड़की सबहक लेल तीन चानीके टका।7साठि वर्षस' बेसी उमेर लोकक लेल पन्द्रह चानीके टका देल जाएत। साठि वर्षस' बेसी उमेरक स्त्रीगणक लेल दस चानीके टका।8जं केओ एहन गम्भीर प्रतिज्ञा कएने अछि आ ओ बहुत गरीब अछि आ ओहि व्यक्तिके छुटकारा करबाक लेल रकम नहि द' सकैत अछि जेकरा ओ यहोवाके देलक अछि त' ओकरा ओहि व्यक्तिके पुजारीलग ल' जएबाक चाही। पुजारी ओकरा छुटकारा करबाक दाम एतेक तय करत जे ओ व्यक्ति चुका सकैत अछि।9जं केओ यहोवास' गम्भीरतापूर्वक प्रतिज्ञा कएने अछि जे ओकरा कोनो एहन जानबर देबाक चाही जे ओकरा स्वीकार होए, त' ओ जानबर यहोवाके लेल बहुत विशेष भ' जाइत अछि। ई यहोवाके अछि।10जे व्यक्ति ओकरा देबाक प्रतिज्ञा कएने छल, ओकरा ओहि जानबरक बदला दोसर जानबर नहि देबाक चाही जेकर प्रतिज्ञा कएने छल। ओकरा नीकके जगह अधलाहके नहि लएबाक चाही आ फेरु जे चढ़ाएल गेल अछि ओहिस' नीकके सेहो नहि लएबाक चाही। जं ओ एहन करबाक प्रयास करत त' दुनू जानबर यहोवाके समर्पित भ' जाएत।11जं ओ जे पशु यहोवाके देब' चाहैत अछि, से एहन प्रकारक अछि जे बलिदानक रुपमे अशुद्ध अछि त' ओकरा ओहि पशुके पुजारीलग ल' जएबाक चाही।12तखन पुजारी पशु गुणक अनुसार ओकर मूल्य की अछि से निर्णय लेताह। पुजारीसब जे मूल्य निर्धारीत करताह से मूल्य होएत, आ से जानबरक दाम होएत।13जं बादमे ओहि जानबरके देनिहार आदमी निर्णय लैत अछि जे ओ ओकरा फेरुस' किन चाहैत अछि, त' ओकरा ओहि दाममे पुजारीके देबाक चाही आ एकर पांचम हिस्सा जोड़बाक चाही।14तहिना जं केओ अपन घर समर्पित क' क' यहोवाके आदरक लेल अलग क' लेत त' पुजारी ई तय करत जे ओकर दाम कतेक अछि, जे घरक स्थितिपर निर्भर करत। पुजारी जे किछु कहत, से ओकर मोल होएत।15जं केओ अपन घर यहोवाके आदरक लेल अलग क' दैत अछि, मुदा बादमे ओ ओकरा वापस किन चाहैत अछि त' ओकरा ओहि दाम आ पांचम हिस्सा जोड़िक' देबाक चाही, तखन ओ घर फेरु ओकरे भ' जाएत।16जं केओ यहोवाके आदरक लेल अपन आ ओकर परिवारक किछु सम्पत्ति अलग राखि दैत अछि त' ओकर मोल ओहि जौके बीयाके मात्रास' निर्धारीत होएत जे ओहि पूरा भूमिमे बोएबाक लेल आवश्यक होएत। प्रत्येक एक सय किलो बीजपर दस टका चानी होएत।17जं मनुख पचासम् वर्षमे यहोवाके आदरक लेल ओहि देशके अलग क' देत त' ओकर पूरा मोल होएत।18मुदा जं ओ पचासम् वर्षके उत्सवक वर्षक बाद अपन खेत यहोवाके लेल अलग क' देत त' पुजारी पचासम् वर्षक उत्सवक अगिला वर्ष धरि वर्षक गनती करताह आ जं बहुत वर्ष नहि बचल अछि त' पूरा दामस बहुत कम दाम होएत।19जं बादमे यहोवाके लेल खेत अलग क' देनिहार ओकरा वापस किन चाहैत अछि त' पुजारी ओकर दाम जे लगाओत ओकरा ओएह दाममे देबाक चाही, आ ओकर पांचम हिस्सा जोड़ि देल जाएत, तखन खेत भेटत फेरु ओहि आदमीके भ' जाएत।20मुदा जं ओ ओकरा वापस नहि किनत आ जं केकरो बेचि देल गेल अछि त' ओकरा फेरु कहियो कीनबाक अनुमति नहि भेटतैक।21पचासम् वर्षक उत्सवक वर्षमे ई यहोवाके लेल पवित्र उपहारक रुपमे स्थायी रुपस' अलग कएल जाएत आ पुजारीके देल जाएत।22जं केओ यहोवाके आदरक लेल कोनो एहन जमीन अलग क' दैत अछि जे ओ किनने अछि, जे ओहि जमीनक हिस्सा नहि अछि जे ओकर परिवारक सदिखन रहल अछि,23पुजारीके ताधरि वर्षक गनती करबाक चाही पचासम् वर्षके उत्सव मनाबए लेल अगिला साल ई तएं क' लेत जे एकर मोल कतेक होएत, आ ओ आदमीके ओ रकम पुजारीके देबाक चाही, आ तखने ओ जमीन फेरु ओकर भ' जाएत, आ ओकर भुक्तान यहोवाके लेल पवित्र उपहार बनि जाएत।24मुदा, पचासम् वर्षक उत्सव वर्षमे ओ जमीन फेरु ओहि व्यक्तिके अधिकारमे आबि जाएत, जेकरास' ओ किनने छल, ओहि व्यक्तिक अधिकारमे आबि जाएत, जेकर परिवारक मालिकाना हक पहिनेस' छल।25जे चानीके पाइ देने रहए, ओकर गणना पवित्र स्थानमे चानीके अधिकारीक टकाक हिसाबस' कएल जाएत। 26कोनो गाई आ भेंड़ाके पहिन बच्चाके कोनो काजक लेल समर्पित करबाक अनुमति नहि अछि, किएकत' पहिन बच्चा पहिनेस' यहोवाक अछि।27जं केओ ओकरा कोनो एहन जानबर दैत अछि जे ओकरा स्वीकार नहि अछि, त' ओ व्यक्ति बादमे ओकर मोल आ ओकर मोलक पांचम हिस्सा जोड़िक' ओकरा वापस किन सकैत अछि। जं ओ एकरा वापस नहि कीनत त' ओकर मानक दामपर बेचबाक चाही।28मुदा, कोनो दास, पशु आ परिवारक जमीन जे कोनो लोकके मालिक अछि, तेकरा यहोवाके समर्पित कएल गेलाकबाद बेचल आ किनल नहि जा' सकैत अछि। यहोवाके लेल ई पवित्र भ' जाइत अछि।29जे केओ एहन काज करैत अछि ओकरा यहोवा बहुत दुष्ट बुझति अछि, ओकरा मुक्त करबाक अनुमति नहि अछि। एहन व्यक्तिके लोकसब मारि देबाक चाही।30केकरो भूमिपर जे बालि, अनाज आ फल उपजबैत अछि ओकर दसम भाग पवित्र अछि आ यहोवाक अछि। 31जं केओ ओहि दसम भागमेस' कोनो एक व्यक्ति वापस किन चाहैत अछि त' ओकरा पुजारीके ओहि मोलक आ तेकर पांचम हिस्सा जोड़ि देबाक चाही।32हेंड़के प्रत्येक दसम पालतू जानबर यहोवाक अछि। जखन कोनो चरबाह ओकरासबके अपन लाठीक नीचांस' जाइत काल गनैत अछि, जाहिस' ई निर्णय कएल जाए जे ओ हमरा कोन-कोन देत, तखन ओकरासबके दसम भागके यहोवाके लेल अलग करबाक चाही। 33जखन ओ एहन काज करैत अछि तखन नीकके नहि चुनबाक चाही आ नहि अधलाहके छोड़बाक चाही, आ नहि नीकके बदला आ अधलाहके बदलि देबाक चाही। जं ओ एक जानबरक स्थानपर दोसर जानबर बदलत त' दुनू जानबर यहोवाके लेल पवित्र होएत, आ चरबाहके ओकरा वापस कीनबाक अनुमति नहि होएत।’”34ओसब आज्ञा यहोवा सीनै पहाड़पर इजराएलीसबके लेल मूसाके देलनि जे ओ लोकसबके कहथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67