Leviticus26
1यहोवा सीनै पहाड़पर मूसाके ई बात सेहो कहलनि, “अहाँ अपनालेल मूर्ति नहि बनाउ, ने कोनो खोधल मूर्ति, ने कोनो स्तम्भ ठाढ़ करब आ ने पूजा करबाक कोनो पत्थलके मूर्ति ठाढ़ करब। अहाँके केवल अहाँसबहक यहोवा यहोवाके आराधना करबाक चाही।2विश्राम-दिनके आदर करु आ हमर पवित्र स्थानके आदर करु, किएकत' हम यहोवा छी।3जं अहाँसब हमरसब आज्ञाके पालन नियम पूर्वक करब त'4हम अहाँसबहक लेल ठीक समयपर वर्षा बरसाएब जाहिस' अहाँके जमीनपर बालि उबजि सकए आ अहाँके गाछपर फल खूब फरए।5जाधरि अंगूर कटबाक समय नहि भ' जाए ताधरि अहाँसब अनाज कटैत रहब आ ताधरि अंगूर तोडै़त रहब जाधरि अगिला साल रोपनी शुरु करबाक समय नहि भ' जाए। अहाँसबके ओसब भोजन भेटत जे अहाँ खाए चाहैत छी, आ अहाँ अपन भूमिमे सुरक्षित रहब।6जं अहाँसब हमरसब नियमके पालन करब त' अहाँके देशमे शान्ति रहत आ अहाँ पसरिक' सुतब। कोनो बातस' अहाँके डर नहि लागत। हम अहाँके देशके खतरनाक जानवरसबस' मुक्त क' देब, आ अहाँके देशमे युद्ध नहि होएत।7अहाँ अपन शत्रुसबहक पाछु-पाछु चलब आ ओकरासबके अपन तलबारस' मारि देब।8अहाँसबमेस' पांच गोटे एक सय गोटेके भगा देत, आ एक सय आदमी दस हजार आदमीके भगा देत। अहाँके शत्रुसभ अहाँके सोझा तलबारस' मारल जाएत।9जं अहाँसब हमरसब नियमके पालन करब त' हम अहाँसबके आशीर्वाद देब आ अहाँसब बहुते सन्तान पैदा करब। हम जे कहलहुं से अहाँसब करब त' हम अहाँसबहक संग करार कएने रही से पूरा करब।10जं अहाँसब एखन धरि बितल सालक बालि खा' रहल छी त' अहाँसबके ओहिमेस' किछु फेक देबाक चाही, जाहिस' अहाँसबके नवका बालि भंडारण करबाक लेल जगह बनि जाएत।11हम अहाँसबहक बीच अपन पवित्र स्थानमे रहब आ अहाँसबके कहियो अस्वीकार नहि करब।12हम अहाँसबहक बीच रहब आ अहाँसबहक यहोवा बनब आ अहाँसब हमर प्रजा बनब।13हम अहाँसबहक यहोवा छी, जे अहाँसबके मिस्रस' बाहर अनने छी जाहिस' अहाँसब आब मिस्रके लोकके दास नहि बनि सकब। जखन अहाँसब ओतए छलहुं तखन मिस्रके लोकसबके लेल अहाँसब एहन जानबर छलहुं जे सब बहैत अछि, मुदा हम ओहि जुआ सबहक काठ तोड़ि देलहुं जे ओसब अहाँसबहक गरदनिपर लादि देने छल। हम अहाँके माथ उपर क' क' चलएमे सक्षम बना देलहुं।14मुदा मानि लिअ जे अहाँसब हमर बातपर कोनो ध्यान नहि दैत छी। मानि लिअ जे अहाँसब हम जे कहने छी से नहि करैत छी।15मानि लिअ जे अहाँसब हमर करारके अस्वीकार करैत छी आ हमर आज्ञा नहि मानैत छी, मुदा अहाँसब ओहि प्रतिज्ञाके अस्वीकार करैत छी जे हम अहाँसबहक स' संग कएने रही।16एहन स्थितिमे हम अहाँसबहक संग ईसब काज करब। हम एकाएक विपत्ति पठा देब जे अहाँसबके नाश क' देत। अहाँके एहन बेमारी होएत जे ठीक नहि भ' सकैत अछि, आ बोखार जे अहाँसबके आन्हर क' देत आ धीरे-धीरे अहाँसबके मारि देत। अहाँसबहक खेत रोपल बेकार भ' जाएत, कारण जे बालि उब्जाएब से अहाँके दुश्मन खा' जाएत।17हम अहाँसबके अस्वीकारक' देब, तएं अहाँसबके शत्रु अहाँपर विजय प्राप्त करत। तखन ओसब अहाँसबपर राज करत, आ अहाँसब एतेक भयबित भ' जाएब जे ओसब अहाँसबहक पाछु नहि अएलापर सेहो भागि जाएब।18मुदा अहाँसबहक स' संग ईसब घटना घटलाक बाद जं अहाँसब हमर आज्ञा नहि मानब त' हम अहाँसबद्वारा कएल पापक कारणे बेर-बेर दण्डित करैत रहब।19हम अहाँसबके एतेक सजाए देब जे अहाँसबहक जिद्द आ अहमता चूर-चूर भ' जाएत। हम अहाँसबहक भूमिपर कोनो वर्षा नहि होबए देब। जेना आकाश लोहाके बनल होए आ जमीन कांसे जकां कठोर होअए।20अहाँसबके बेकारमे बिआ बोएबाक लेल बहुत मेहनति करए पड़त, किएकत' अहाँसब सक्कत माटि भ' गेल खेतमे बालि नहि लागि सकत आ अहाँसबहक गाछमे फल नहि फरत।21जं अहाँसब हमरा विरुद्ध काज करैत रहब आ हमर आज्ञा नहि मानब त' हम अहाँसबके बेर-बेर विपत्ति पहुंचबैत रहब, जेना अहाँसब अपन पापक कारणे अनुभव करबाक हकदार छी।22हम जंगली जानबरसबके अहाँसबपर आक्रमण करबाक लेल पठा देब आ ओसब अहाँसबहक छोट-छोट बच्चासबके मारिक' अहाँके मालजालके नाश क' देत। अहाँसबमेस' बहुत कम लोक जीवित रहत, जेकर परिणाम ई होएत जे अहाँसबहक देशमे बाटपर घुमैत लोक बहुत कम होएत।23जखन अहाँसब ओहि बातसबके अनुभव करब जे हम अहाँसबके दण्डित करबाक लेल करैत छी, जं अहाँसब तखनो हमरा बातपर ध्यान नहि देब आ जं अहाँसब हमरा विरुद्ध काज करैत रहब त'24हम स्वयं अहाँसबहक विरुद्ध काज करब आ हमहूं बेर-बेर अहाँसबहक पापके सजाय देब।25हम अहाँसबलग सेनासब पठा देब जे अहाँसबके सजाय देत, हम अहाँसबके ओहि करारमे जे आज्ञा देने छलहुं, से नहि करब। जं अहाँसब अपन शहरके देवालके पाछु नुकाक' अपन शत्रुसबस' बचबाक प्रयास करब त' हम अहाँसबके विपत्ति पठा देब आ अहाँसबके शत्रुसबस' पकड़ि लेत।26जखन हम अहाँसबहक भोजनक समानके नाश करब तखन रोटी बनएबाक लेल बहुत कम आंटा भेटत। एकर' परिणाम ई छै जे दसटा स्त्री एकहिटा चुल्हीपर अपन सब रोटी सेकत। जखन रोटी सेकल जाएत तखन प्रत्येक स्त्री अपन परिवारक सदस्यमे बांटि लेत, मुदा एक-एकटाक लेल बहुत कम भेटत, आ जखन सबटा खा' लेत तखनो भूखल रहत।27ओसब घटना घटलाक बाद जं अहाँसब तखनो हमर आज्ञा नहि मानब आ हमरा विरोधमे काज करैत रहब त'28हम अहाँसबपर बहुत क्रोधित भ' जाएब आ अहाँसबहक विरुद्ध काज करब। हम स्वयं अहाँसबके बेर-बेर अहाँसबहक पापके सजाय देब।29अहाँसब एतेक भूखल रहब जे अपन बेटा-बेटीके मारिक' ओकर मासु खाएब।30हम ई सुनिश्चित करब जे आन लोक ओहि पहाड़सबके नाश क' देत जत अहाँसब मूर्तिक पूजा कएने छी। हम ओहि वेदीसबके तोड़ि देब जत अहाँसब अपन देवताके पूजा करबाक लेल धूप जरबैत छी, आ अहाँसबहक मूर्तिक निर्जीव आकृति पर अहाँसबहक लाशक ढेर लगा देब। आ हम अहाँसबस' घृणा करब।31हम अहाँके नगरसबके खंडहर बना देब आ अहाँ अपन मूर्ति सबहक लेल जे भवन बनौने छी, तेकरा तोड़ि देब। आ अहाँके बलिदानक सुगन्ध जे वेदीपर जराओल जाइत अछि, ताहिस' हम एकदम खुश नहि होएब।32हम अहाँके देशके पूर्णरुपस' नाश क' देब, जेकर परिणाम ई होएत जे अहाँसबहक शत्रु जे ओकरा पकड़ि लेत, सेहो ईसब देख आश्चर्यचकित भ' जाएत।33हम अहाँसबहक शत्रुसबके अपन तलबारस' अहाँसबके मारएलेल सक्षम बना देब आ अहाँसबहक वांकी लोकसबके दोसर लोकक समूहमे छिड़िया देब। हम ई सुनिश्चित करब जे ओसब अहाँसबहक देशके नाश क' देत आ अहाँसबहक शहरसबके तबाह क' देत।34एहि तरहे भेलाकबादो जाधरि अहाँसब अपन शत्रुसबहक देशमे रहब ताधरि हम अहाँसबहक देशके विश्राम देब, जेना अहाँसबके प्रत्येक सात वर्षमे करबाक चाही छल।35जाहि समयमे अहाँसबहक देशमे केओ नहि रहत, ताधरि ओसब विश्राम करत। ई अहाँसबहक विपरीत होएत, जे अहाँसब ओतए रहैत काल ओकरासबके कहियो आराम नहि करए देलिऐ।36जं अहाँसब ओहि देशमे जीवित रहब जाहि देशमे अहाँसबहक शत्रु अहाँसबके ल' गेल होअए त, हम अहाँसबके बहुत डेरा देब, तएं जखन अहाँसब हवा बहैत सुनब तखन अहाँसब भागए लागब।37अहाँसब एना दौड़ब जेना तरुआरि लेने आदमी अहाँसबहक पाछु क' रहल होए आ अहाँसब खसि पड़ब, भलेहि अहाँसबहक पाछु केओ नहि आबि रहल होअए। भगैतकाल अहाँसब एक-दोसरपर ठोकराएब। अहाँसब ठाढ़ भ' अपन शत्रुसबस' लड़ि नहि सकब।38अहाँसबमेस' बहुते लोक अपन शत्रुसबहक देशमे मरि जाएब।39अहाँसबमेस' जे जीवित रहब, अहाँसबहक पाप आ पूर्वजसबके पापक कारणे ओतहि धीरे-धीरे मरए पड़त।40मुदा अहाँसबहक वंशजके अपन पाप आ पूर्वजद्वारा कएल पापके स्वीकार करबाक चाही। हुनकासबहक पूर्वज हमरा प्रति विश्वासघाती भेल आ हमरा प्रति शत्रुता रखैत छल, तएं हम हुनका लोकनिके अपन दुश्मनके देशमे जएबाक लेल बाध्य क' देलिऐ। मुदा जखन अहाँसबहक वंशज अपनाके नम्र भ' जाएत आ अपन जिद्द छोड़िक' अपन पापक सजाय स्वीकार करत, 42तखन हम अहाँसबहक पूर्वज अब्राहम, इसहाक आ याकूबके स' संग जे करार कएने रही आ हुनकासबस' कनान देशके विषयमे जे प्रतिज्ञा कएने रही से हम मोनमे राखब।43मुदा से होबए' स' पहिने हमर लोकसब अपन देश छोड़ि जएबाक लेल बाध्य भ' जाएत, जेकर परिणाम ई होएत जे जाधरि ओहि देशमे केओ नहि रहत, आ जाधरि हम लोकसबके अपन विश्रामक दिन नियमके अस्वीकार करबाक लेल सजाय द' रहल छी आ हमर आज्ञास' घृणा करैत अछि।44मुदा हम एखनो ओकरासबके अस्वीकार नहि करब आ ने ओकरासबस' घृणा करब आ ओकरासबके पूर्णरुपस' नाश करब। हम हुनकासबहक स' संग जे करार कएने रही से रद्द नहि करब। हम एखनो यहोवा रहब, जे यहोवा हुनकासबके आराधना करबाक चाही।45हम ओहि करारके मोनमे राखब जे हम अहाँसबहक पूर्वजसबके स' संग कएने रही जखन हम आन जातिसबके सामनेस' हुनकासबके मिस्रस' बाहर निकालने रही। हम ई एहिलेल कएलहुं जे हम यहोवा अहाँसबहक यहोवा बनब।”46ओसब आज्ञा, नियम आ व्यवस्था अछि जे यहोवा सीनै पहाड़पर अपने आ इजराएली लोकक बीच स्थापित कएलनि आ ओकरासबके मूसाके द' क' ओकरासबके कहलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.