Numbers1

1इजराएलीसब मिस्र देश छोड़लाके बाद सालक दोसर मासमे, मूसा सीनैके मरुभूमिमे पवित्र तम्बूमे रहैत यहोवा हुनकास' बात कएलथि। यहोवा हुनका कहलथि,2“इजराएली समुदायके एक-एकटा परिवारक कतेक इजराएली पुरुषक गनती करु आ ओकर पूर्वजसबके नामस' गनू।3अहाँ आ हारूनके ओहि इजराएलीसबके गनती करु जे कम स कम बीस वर्षक अछि, जे सेनामे सैनिकक रुपमे सेवा क' सकैत अछि। पुरुषक संख्या लिखू, संगहि हुनकर कुल आ परिवारक नाम सेहो लिखू।4हम एक-एक कुलमे स एक-एक आदमीके चुनने छी जे अहाँसबके एहि काजमे मदति सहयोग करत। प्रत्येक अपन वंशके मुखिया होएबाक चाही।5हुनकासबहक नाम अछि।रूबेन कुलक शदेऊरक पुत्र एलीसूर।6शिमोनक कुलस' सूरीशद्दैक पुत्र शलूमीएल।7अम्मीनादाबक पुत्र नहशोन, यहूदाक कुलक।8इस्साकारके कुलक सूआरक पुत्र नतनेल।9हेलोनक पुत्र एलीआब, जबूलूनक कुलक।10
अम्मीहूदके पुत्र एलीशामा, यूसुफके पुत्र इफ्राइम कुलक।पदासूरक पुत्र गम्लीएल, योसेफक पुत्र मनश्शेक कुलक।
11गिदे ओनीक पुत्र अबीदान, बिन्यामीन कुलक।12अम्मीशद्दैक पुत्र अहीएजेर, दानके कुलक।13ओक्रानके पुत्र पगीएल, आशेरक कुलक।14गाद कुलक दूएलक पुत्र एल्यासाप।15नप्ताली कुलस' एनानक पुत्र अहीरा।”16ईसब लोकसब छलाह जिनका यहोवा लोकसबमे स चुनलनि। ओसब अपन कुलक मुखिया छलाह। ओसब इजराएली समुदायके लोकके कुल-प्रधान लोक छलाह।17हारून आ मूसा एहि बारहो कुलसबके मुखियासबके बजबौलनि।18ओसब ओहि सालके दोसर मासके पहिन दिन सबलोक के जमाक' लेलक। ओसब ओहि सब पुरुषके नाम लिख लेलक जे कमस' कम 20 वर्षक छल, आ ओकर नामक संग अपन कुल आ अपन परिवारक समूहक नाम लिख लेलक19ठीक ओहिना जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलथि। ओसब नाम तखन लिखने छलाह जखन इजराएलीसब सीनैक उजाड। स्थानमे छल।20इजराएलके जेठ रूबेनके कुल जे कमस' कम बीस सालके छलनि आओर युद्ध लड़एमे सक्षम छलनि। हुनकासबहक नाम, कुल आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।21ओसब रूबेनके कुलस' 46,500 आदमीके गनलक।22शिमोनके कुलके जे कमस' कम बीस वर्षक छल आ युद्धमे लड़एमे सक्षम छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।23शिमोनके कुलमे 59,300 आदमी गनल गेल छल।24गादके कुलमे जे कमस' कम बीस वर्षक छल आ युद्धमे लड़ि सकैत छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।25गाद कुलक 45,650 आदमी गनल गेल।26यहूदाके कुलमे जे कमस' कम बीस सालके छलनि आ युद्धमे लड़एमे सक्षम छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।27यहूदाके कुलमे 74,600 आदमी गनल गेल छल।28इस्साकारके कुलमे जे कमस' कम बीस सालके छल आ युद्धमे लड़एमे सक्षम छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।29इस्साकारके कुलमे 54,400 आदमी गनल गेल छल।30जबूलून कुलमे जे कमस' कम बीस वर्षक छल आ युद्धमे लड़एमे सक्षम छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।31जबूलून कुल स 57,400 आदमी छल जे कम स कम बीस वर्षक छल आ युद्धमे लड़एमे सक्षम छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।32यूसुफ, इफ्राइम कुलमे जे कमस' कम बीस वर्षक छल आ युद्धमे लड़ि सकैत छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।33इफ्राइम कुलके 40,500 आदमी गनल गेल छल।34मनश्शे कुलमे जे कमस' कम बीस वर्षक छल आ युद्धमे लड़एमे सक्षम छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।35मनश्शे कुलके 32,200 आदमी गनल गेल छल।36बिन्यामीन कुलमे जे कमस' कम बीस वर्षक छल आ युद्धमे लड़एमे सक्षम छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।37बिन्यामीन कुलके 35,400 आदमी गनल गेल छल।38दान कुलमे जे कमस' कम बीस वर्षक छल आ युद्धमे लड़एमे सक्षम छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।39दान कुलके 62,700 आदमी गनल गेल छल।40आशेर कुलमे जे कमस' कम बीस वर्षक छल आ युद्धमे लड़एमे सक्षम छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।41आशेर कुलके 41,500 आदमी गनल गेल छल।42नप्ताली कुलमे जे कमस' कम बीस वर्षक छल आ युद्धमे लड़एमे सक्षम छल। हुनकालोकनिक नाम, वंश आ परिवारक समूहक आधार पर सूचीवद्ध कएल गेल छल।43नप्ताली कुलके 53,400 आदमी गनल गेल छल।44मूसा आ हारून एहि सबलोकके गनती कएलनि, संगहि बारह गोटे अगुवासब जे इजराएलके बारह कुलके अगुवाइ क' रहल छलाह।45तएं बीस साल आ ओहिस' बेसी उमेरक इजराएलके सब पुरुष, जे सब युद्धमे लड़ि सकैत छल, हुनक प्रत्येक परिवारमे गनल जाइत छल।46कुल 603, 550 आदमीसब छल।47मुदा एहि संख्यामे आओर कूलसब संगे लेवी कुलके पुरुषसबके नाम नहि गनल गेल छल,48किएक त' यहोवा मूसाके कहने छलथि।49“जखन अहाँ इजराएलक कुलक लोकसबके गनती करब त' लेवीके कुलक लोकसबके नहि गनब।50लेवीके वंशजसबके पवित्र तम्बू आ ओकर भीतरका गवाहीके सन्दूकके देखभाल करबाक लेल नियुक्त करु जाहिपर ओ पाटीसब अछि जाहिपर दस आज्ञा लिखल अछि। डेराक भीतर जे आन चीज अछि ओकरो ध्यान राखब जरुरी अछि। जखन अहाँ यात्रा करब, ओसब पवित्र तम्बू आ ओकर भीतरका सब वस्तुके ल' क' चलए पड़तैक, आ ओकर देखभाल करए पड़तैक आ ओकर चारुकात अपन डेरा लगाबए पड़तैक। 51जहिया-जहिया अहाँसबके दोसर ठाम जएबाक समय अबैत अछि, तखन लेवीके वंशजसबके पवित्र तम्बूके खोलि लेबाक चाही। आ जखन यात्रा छोड़बाक समय भ' जाइत छै त' हुनकासबके फेरु स ठाढ़ करए पड़तनि। लेवी छोड़िक' कोनो आन व्यक्ति पवित्र तम्बू लग एहि काजके करएलेल जाइत त' ओकरा मारि देबएके चाही।52प्रत्येक इजराएली कुलक लोकसब अपन अपन इलाका क्षेत्रमे अपन तम्बू लगाबए। आ ओकरासबके एकटा एहन झंडा लगाबए पड़तैक जे ओकर कुलक प्रतिनिधित्व करए।53मुदा लेवीके वंशजसबके गवाहीके तम्बूक चारुकात अपन डेरा ठाढ़ करबाक चाही जाहिस दोसर इजराएली लोकसबके पवित्र तम्बूक लग अएबाक कारणे यहोवाद्वारा दण्डित नहि कएल जाए। लेवीके वंशज ओएह छथि जिनका पवित्र तम्बूक चारुकात ठाढ़ भ' क' ओकर पहरा देब पड़तनि।” 54इजराएलीसब ओ सबकिछु ओहिना कएलक जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67