Leviticus25

1सीनै पहाड़पर यहोवा मूसाके कहलनि,2“इजराएलीसबके ई कहि दिऔ, ‘यहोवा हुनकासबके ई आज्ञा द' रहल छथि जे जखन अहाँसब ओहि देशमे प्रवेश करब जे देश अहाँसबके देब' जा' रहल छथि, तखन अहाँसबके प्रत्येक सातम वर्षमे हुनकर आदर करबाक लेल कोनो बालि नहि रोपू। जमीनके बालीस' विश्राम दिऔ। 3छह वर्ष धरि अहाँके अपन खेतमे बालि रोपबाक अछि, अंगूरक लत्तीके प्रत्येक वर्ष छाटिक' उब्जाएल करु।4मुदा सातम वर्षमे अहाँसब अपन खेतके विश्राम दिऔ, जाहिस' यहोवाके आदर होएत। सातम बर्षमे अपन खेतमे बालि नहि लगाउ आ नहि अंगूरक लत्तीके छाटल करु।5सातम बर्षमे अहाँसबहक खेतमे जे किछु अनाज उपजल अछि, तेकरा काटएलेल मजदूरसबके नहि खटाउ। अंगूरक लत्तीपर जे अंगूर फड़ल होअए ओकरा नहि तोडू। एक वर्ष धरि जमीनके विश्राम दिऔ।6मुदा ओहि विश्रामके वर्ष जे बालि अपनेस' उपजल अछि, ओ अहाँसबके खएबाक अनुमति अछि। अहाँ आ अहाँके पुरुष-स्त्री दास, आ अहाँसब जे मजदूर रखने छी, आ जे कोनो परदेशी अहाँसबहक बीच रहैत अछि, ओसब खा' सकैत अछि।7अहाँसबहक मालजाल आ अहाँ देशके जंगली जानबरसबके सेहो ओहि वर्षमे खएबाक अनुमति अछि।8प्रत्येक उन्चास वर्ष समाप्त भेलाक पचास बर्षमे अहाँसब समारोहक उत्सव मनाउ। प्रायश्चित दिवसक घोषणा करबाक लेल अगिला वर्षक सातम मासक दसम दिन देशभरिमे तुरही बजाउ।10पचासम् साल यहोवाके लेल पवित्र मानू। अहाँसब सबठाम, लोकसबलग ई घोषणा करु जे एहि साल ओ जमीन ओहि परिवारसबके वापस करबाक समय होएत जे सब पहिने एहि जमीनक मालिक रहए, जखन अहाँसबके यहोवा अहाँके भूमिमे अनने रहए। यहोवाके लोकक लेल ई स्वतन्त्र क समय अछि।11पचासम् वर्षक बर्षगांठ, पचासअम साल, जे यहोवाके निर्देशन आ आज्ञाक लेल आनन्द मनाबएके वर्ष होअए। ओहि सालमे किछु नहि रोपब, आ अपन सामान्य ढंगस' ओहि बालिके आ अंगूरक नहि काटी जे स्वयं उगौने छी।12अहाँसबहक लेल आनन्दित होएबाक साल, पचासम् बर्षगांठ होएत। अहाँ एकरा विशेष मानब, आ जे अपने-आप बढ़ल अछि से मात्र खाएब।13ओहि उत्सवक वर्ष, पचासम् बर्षगांठक वर्षमे, आ सबके अपन सम्पत्तिमे ओकर मूल मालिकके वापस करबाक चाही।14जं अहाँ अपन किछु जमीन अपन स' संगी इजराएलीके बेचि दैत छी आ हुनकास' कोनो जमीन कीनैत छी त' ओहि व्यक्तिक स' संग न्यायपूर्ण व्यवहार करबाक चाही।15जं अहाँ जमीन कीनब त' अहाँ जे दाम देब से एहि बातपर निर्भर करत जे अगिला पचासम् बर्षगांठक उत्सवधरि कतेक वर्षक अछि। यदि केओ अहाँके जमीन बेचत त' ओ एहन दाम लेत जे अगिला साल पचासम् बर्षगांठ मनाबए धरि बचल सालके स' संख्या गनती करए, जखन की सब सम्पत्ति ओकर मूल मालिकके वापस भ' जाएत।16जं अगिला बेर पचासम् बर्षगांठ मनाबएस' बहुत साल पहिने होएत त' दाम बेसी होएत। यदि अगिला साल उत्सवधरि मात्र किछु साल रहत त' दाम कम भ' जाएत। अहाँ कहि सकैत छी जे अहाँ जे बेचि रहल छी, पचासम् बर्षगांठके अगिला सालस' पहिने कतेक बलि काटि सकैत छी।17एक-दोसरके ठकब नहि। बल्कि यहोवाके आदर करु। ईसब काज करबाक लेल हमरासबके आज्ञा द' रहल छथि जे हमसब इजराएलीसब यहोवा जिनकर आराधना करैत छी।18हमरसब आज्ञाक ध्यानस' पालन करु। जं से करब त' अपन देशमे सुरक्षित रहब।19जमीनपर बालि नीक जकां उगत आ अहाँसबके भोजनमे कमी नहि होएत आ अहाँसब निडर भ' क' रहि सकैत छी।20मुदा अहाँसब पुछि सकैत छी, “जं हमसब सातम वर्षमे अपन बलि नहि रोपब आ नहि काटब त' हमसब की खाएब?”21यहोवा अहाँसबके उत्तर दैत छथि जे छठम वर्षमे ओ अहाँसबके बहुत आशीष देताह, जेकर परिणाम ई होएत जे ओहि वर्षमे एतेक बलि होएत जे अहाँसबहक लेल तीन वर्ष धरि भोजनक व्यवस्था भ' जाएत।22तखन अहाँसब आठम वर्षमे बिआ बोएब आ बलि बढ़बाक प्रतीक्षा करब तखन छठम वर्षमे उपजल भोजन खाएब। जाधरि नवम बर्षमे बालि नहि काटब ताधरि खाइत रहब।23अहाँ अपन कोनो जमीनके स्थायी रुपस' परदेशी हाथे नहि बेचब, किएक त' ओ जमीन अहाँके नहि अछि। ई हमर अछि, आ अहाँ मात्र अस्थायी निवासी छी आ हमरालेल एकर खेती क' रहल छी।24ओहि देशमे अहाँसब ई मोन राखब जे जं केओ अपन किछु जमीन अहाँके बेचि दैत अछि त' ओकरा अहाँस' कहियो कीनबाक अनुमति अछि।25तएं जं अहाँके स' संगी इजराएलीमेस' केओ गरीब भ' क' अपन किछु सम्पत्ति अहाँके पाइक बदलामे बेचि दैत अछि त' जे व्यक्ति ओकर सबस' बेसी घनिष्ट सम्बन्धी अछि ओकरा आबिक' ओ जमीन ओकरा वापस किनबाक अनुमति अछि।26जं कोनो व्यक्ति लग अपन सम्पत्ति छोड़ाबएलेल कोनो सगा-सम्बन्धी नहि अछि, मुदा जं ओ समृद्ध भेल अछि आ ओकरा छोड़ाबएके क्षमता रखैत अछि,27ओकरा गणना करबाक चाही जे कतेक वर्ष धरि रहत अगिला सालक उत्सव। तखन जमीन किननिहार आदमीके ओ पाइ देब पड़तैक जे ओहि बर्षमे ओहि जमीनपर बालि उब्जौने दोसर आदमी कमाएत।28मुदा जं मूल मालिक लग एतेक पाइ नहि अछि जे ओ जे जमीन बेचने छल, ओकरा वापस किन सकैत अछि, त' ओ ओहि आदमीक रहत, जाधरि पचासम् वर्षक उत्सवक अगिला साल धरि ओ जमीन खरीदने छल। ओहि साल फेरु ओ ओहिके ल' लेत, आ फेरु खेती क' सकैत अछि।29जं केओ कोनो एहन शहरमे घर बेचत जेकर चारुकात देवाल अछि त' पुरे अगिला साल ओकरा ओहि आदमीस' वापस कीनबाक अनुमति भेटतैक।30ओहि वर्षमे जं ओ ओकरा नहि किनत त' ओ ओहि आदमी आ ओहि आदमीक वंशजक देवालबला शहर स्थायी रुपस' होएत। पचासम् वर्षक मनाबए सालमे ओकरा मूल मालिकके वापस करबाक जरुरति नहि अछि।31मुदा जे घर बिना देवाल बाला गाममे अछि, ओकरा खेतमे जेना मानल जाइत अछि। तएं जं केओ ओहि घरमेस' कोनो घर बेचि दैत अछि त' ओकरा कहियो वापस कीनबाक अनुमति अछि। आ जं नहि कीनत त' पचासम् वर्षक समारोहक वर्षमे फेरु ओकरापर अपन अधिकारके' लेत।32मुदा लेवीके वंशज लेल एकटा विशेष अधिकार अछि। जं ओ अपन घर जे शहरमे अछि ओहिके बेचैत छथि त' हुनका कहियो वापस कीनबाक अनुमति छन्हि।33मुदा जं लेवीसब ओहि घरसबके वापस नहि किनत त' पचासम् बर्षमे ओसब फेरुस' ओकरासबहक भ' जाएत, किएकत' ओसब घर अपन शहरमे अछि, ओहि जमीनपर जे आन इजराएलीसब ओकरासबके देने छल।34मुदा हुनकासबहक नगरक लगक ओलार नहि बेचल जएबाक चाही। स्थायी रुपस' मूल मालिकके' होएबाक चाही।35जं अहाँसबहक स' संगी इजराएली गरीब भ' जाइत अछि आ ओकरा जे किछु चाही से कीनबामे असमर्थ भ' जाइत अछि त' अहाँसबमेस' दोसर लोकसब ओकर मदति करु जेना अहाँसबहक बीच अस्थायी रुपस' रहनिहार परदेशीके मदति करब।36जं अहाँ हुनका पाइ उधार द' दैत छी त' कोनो प्रकारक ब्याज नहि लिअ। बल्कि जे काज करैत छी ताहिस' ई देखाउ जे अहाँ अपन पर यहोवाके आदर करैत छी, अहाँसबके ओहि आदमीक मदति करबाक चाही, जाहिस' ओ अहाँसबहक बीच रहैत होअए।37जं अहाँ ओकरा पाइ उधार द' दैत छी त' ब्याज नहि लियौ। आ जं अहाँ ओकरा भोजन बेचैत छी त' ओकरास' मात्र ओहिना वसूल करु जे अहाँ ओकरा देलिअइए। एहिस' मुनाफा कमएबाक प्रयास नहि करु।38ई नहि बिसरब जे अहाँके यहोवा अहाँसबके ई आज्ञा द' रहल छथि। ई ओएह यहोवा छथि जे अहाँसबके मिस्रस' बाहर अनने छथि जे अहाँसबहक यहोवा बनल आ अहाँसबके कनान देश देत।39जं अहाँके स' संगी इजराएलीमेस' केओ गरीब भ' क' अहाँके बेचि दैत अछि त' ओकरा दास जकां काज करबाक लेल मजबूर नहि करु।40ओकरास' संग ओहिना व्यवहार करु जेना अहाँ ओहि मजदूर सबहक स' संग करैत छी जेकरा अहाँ मजदूरी पर रखैत छी आ अहाँके जमीनपर अस्थायी रुपस' रहनिहार परदेशी अतिथि जकां व्यवहार करु। हुनका अहाँके लेल मात्र पचासम् वर्षक उत्सवक वर्ष धरि काज करबाक चाही।41ओहि वर्षमे अहाँसब ओकरा छुटकारा द' दिऔ आ ओ अपन परिवार आ ओहि सम्पत्तिपर वापस जा' सकैत अछि जे ओकर पूर्वजसबके छल।42जेना हम इजराएलीसब यहोवाक दास छी, जिनका ओ मिस्रमे दास बनबास' मुक्त क' देलनि। तएं अहाँसबमेस' केओ एक-दोसरस' किनक' एक-दोसरके गुलाम नहि बनाउ।43आ इजराएली सबहक स' संग क्रूर व्यवहार नहि करु, जेकरा अहाँ कीनैत छी। मुदा, हमरासबहक यहोवा यहोवाक आदर करु।44जं अहाँसब दास बनए चाहैत छी त' ओकरासबके लगक लोकके जाति समूहस' कीनबाक अनुमति अछि।45अहाँसबहक बीच रहनिहार परदेशी आ ओकर कुलक सदस्य जे अहाँ देशमे जन्मल छल, ओकरा कीनबाक अधिकार सेहो अछि। अहाँके मालिक भ' सकैत अछि।46अहाँके जीवनक शेष वर्ष धरि ओसब अहाँके गुलाम रहत, आ अहाँके मरलाके बाद अहाँके बच्चासबके मालिक बनबाक अनुमति अछि। मुदा अहाँसब अपन स' संगी इजराएली सबहक प्रति क्रूर व्यवहार नहि करु।47मानि लिअ जे अहाँसबहक बीचमे रहनिहार कोनो परदेशी धनवान भ' जाइत अछि आ जं कोनो इजराएली गरीब भ' क' अपनाके ओहि परदेशी आ ओकर वंशके कोनो सदस्यके बेचि दैत अछि त'48केकरो भुक्तान करबाक अनुमति अछि ओकरा छोड़ाबएलेल। हुनकर स्वतन्त्रताक लेल हुनकर कोनो रिश्तेदारके पैसा द' क' छोड़ाबएके अनुमति अछि।49हुनका छोड़बाक लेल कोनो मामा, पितियौत भाइ आ अपन कुलक कोनो आन सगा-सम्बन्धी हुनका छोड़बाक लेल पाइ द' सकैत अछि। जं ओ धनवान भ' जाइत छथि आ बहुत पाइ भ' जाइत छन्हि त' हुनका अपन रिहाईके पाइ स्वयं देबाक अनुमति अछि।50जे आदमी अपन रिहाईके लेल पाइ देब चाहैत अछि, ओकरा पचासम् वर्षक अगिला साल धरिके वर्ष गनए पड़त। जे आदमी ओकरा किनने छल ओकरा जे दाम देतैक से ओहि पारिश्रमिक पर निर्भर करत जे कोनो भाड़ाक मजदूरके ओहिस' संख्यामे शेष वर्ष धरि देल जाएत।51जं उत्सवक वर्ष धरि बहुत वर्ष बांकी अछि त' ओकरा छोड़ाबएलेल ओहि पाइमेस' बेसी रकम देबाक चाही।52जं पचासम् वर्षमे किछुए वर्ष बांकी अछि त' ओकरा छोड़ाबएलेल कम रकम देब' पड़त।53जाहि वर्षमे ओ ओहि आदमीकलेल काज क' रहल अछि जे ओकरा किनने छल, ओकरा किनने आदमी ओकरास' संग ओहिना व्यवहार करबाक चाही जेना ओ भाड़ापर काज करएबला काज करैत अछि, आ अहाँसब ई ध्यान राखब जे ओकर मालिक ओकरास' संग क्रूर व्यवहार नहि करए। 54जं केओ इजराएली जे अपनेके कोनो धनीक आदमीके बेचि लेने अछि, ओ एहिमेस' कोनो तरहे छोड़ाबएलेल अपन पाइ नहि द' सकैत अछि, मुदा ओकरा आ ओकर बच्चासबके पचासम् वर्षक उत्सवक वर्षमे मुक्त करबाक चाही,55कारण जेना अहाँ इजराएली हमर दास छी, जेकरा हम, अहाँके यहोवा, मिस्रमे दास्त्व स' मुक्त क' देलहुं।’”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67