Leviticus24
1यहोवा मूसाके कहलनि,2“इजराएली लोकके आज्ञा दिऔ जे ओसब जैतूनके कुटिक' बनाओल शुद्ध तेल पवित्र तम्बूमे दीआ जराबएलेल सबदिन लबथि।3पवित्र तम्बूमे गवाहीके सन्दूकके पर्दा बाहर हारूनके हमरा आगु दीप सबहक सदिखन देखभाल करबाक चाही जाहिस' रातिस' ल' क' भोर धरि जराओल जाएत। एहि नियमके पुस्तादर पुस्ताके लेल पालन करए पड़त। 4हमरा सम्मुख जे शुद्ध सोनाके दिहैटपर दिप जरत, तेकरा पुजारीसबके निरन्तर रेखदेख करबाक चाही।5स' संगहि, हरेक सप्ताह किछु मेही आंटा ल' क' बारहटा बड़का-बड़का रोटी पकाएब, जाहिमे प्रत्येक रोटीके लेल दू किलो आंटाके प्रयोग करु।6यहोवाके समक्ष शुद्ध सोनाके टेबुलपर रोटीसबके दू पांतिमे राखू, जाहिमे एक-एक पांतिमे छअटा रोटी रहएके चाही।7प्रत्येक पंक्तिमे सोनाके टेबुलपर किछु शुद्ध धूप बारि दिऔ जे रोटी स्मरणके लेल हमरा बलिदान स्वरुप जराओल जाएत।8पुजारीके प्रत्येक विश्राम-दिनमे सदिखन यहोवाके लेल टेबुलपर टटका रोटी रखबाक चाही, जाहिस' ई बुझएमे आओत जे हम अहाँ इजराएली सबहक स' संग जे करार कएने छी से कहियो समाप्त नहि होएत।9जखन रोटी टेबुलपरस' निकालल जाएत तखन ओ हारून आ हुनकर बेटासबहक लेल होएत। ओकरासबके एहिलेल सदाके विधि अनुसार अलग राखल जगहपर अवश्य खाउ, किएकत' ई यहोवाके लेल पवित्र बलिदान सबमेस' अछि जे आगिमे जरा देल जाइत अछि।”10एक आदमी छल, जेकर मायके नाम शलोमीत छल। ओ इजराएली छलीह जेकर पिता दान गोत्रक दिब्री छलाह। ओकर बेटाके पिता मिस्री छलाह। एकदिन ओ आदमी आ एकटा आओर इजराएली आदमी शिविर भीतर झगड़ा करए लागल। जखन ओसब झगड़ा करैत छल तखन ओ आदमी यहोवाके नामस' सराप देब लागल। तएं लोकसब ओकरा मूसालग लएलक।12आ इजराएली लोकसब ओकरा पकड़िक' बान्हि देलन्हि, किएकत' यहोवाक आज्ञाके अनुसार एहि विषयपर विचार कएल जाए।13तखन यहोवा मूसाके कहलनि,14“ओहि आदमीके बान्हिक' शिबिरस' बाहर निकालि दिअ जे हमरा नामस' गाढ़ि पढ़ने अछि। ओतए जतेक लोक गाढ़ि सुनने अछि ओ सबकेओ दोषी अछि। ओकरासबके अपन अपन हाथ ओकर माथपर राखए पड़त, आ ओतए रहल समुदायके लोकसबके ओकरापर पत्थल फेकक' मारि देबाक चाही।15इजराएलीसबके कहिऔ, ‘जं केओ अपन यहोवाके नाम ल' क' गाढ़ि पढ़त त' ओकर परिणाम भोगए पड़त।16तएं जे केओ हमरा गाढ़ि पढ़त, ओकरा मारि देबाक चाही। समुदायके लोकसब ओकरापर पत्थल फेकक' मारि देबएके चाही। जन्महिस' इजराएली होअए आ परदेशी, एहिस' कोनो फरक नहि पड़त। जे हमरा नाममे गाढ़ि पढ़त ओकरा अवश्य मारि देबाक चाही।17जं केओ दोसर व्यक्तिके हत्या करैत अछि त' लोकसबके ओकरा मारि देब' पड़त।18जे केओ दोसरक जानबरके मारैत अछि, त' ओकरा ओहि व्यक्तिके जानबरक बदला एकटा जीवित जानबर देब पड़त।19जं एक व्यक्ति दोसर व्यक्तिके घाहिल करैत अछि त' घाहिल व्यक्ति ओहिना घाहिल कएनिहारके घाहिल करएके अनुमति अछि।20हड्डीके बदला हड्डी, आंखिके बदला आंखि, दांतके बदला दांत, जे आदमी दोसरके साथ जाहि प्रकारक व्यवहार करत ओहि आदमीके साथ ओहिना व्यवहार कएल जएबाक चाही।21जे केओ व्यक्ति दोसरके जानबर मारैत अछि, त' ओकरा एकटा जीवित जानबर देबाक चाही, मुदा जे केओ दोसरके हत्या करत त' लोकसबके ओकरा मारि देबाक चाही।22इजराएली आ परदेशी जे अहाँसबहक बीच रहैत अछि, सबहक लेल एकहि नियम रहबाक चाही। हम, अहाँसबहक यहोवा, यहोवा, आज्ञा द' रहल छी।’”23तखन मूसा इजराएलीसबके कहलनि जे यहोवाके गाढ़ि पढ़निहार आदमीके की करबाक चाही? तखन ओसब ओहि आदमीके शिविरस' बाहर ल' गेल आ ओकरापर पत्थल फेकक' मारि देलक। ओसब ओहिना कएलक जेना यहोवा मूसाके करए लेल कहने छलथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.