Leviticus23

1यहोवा मूसास' कहलनि,2“इजराएली लोकसबके यहोवाके होबएबला पावनिसबहक विषयमे कहि दिऔ, जे प्रतिवर्ष निर्धारीत समयपर सबगेटेके पवित्र सभामे जम्मा होएबाक चाही।3अहाँसब सप्ताहमे छह दिन काज करी, मुदा सातम दिन कोनो काज नहि करबाक अछि। ई अहाँसबहक लेल विश्रामक दिन अछि। ई एकटा यहोवाके लेल पवित्र दिन रहत जखन अहाँसब एकठाम जम्मा भ' क' पवित्र सभाके आयोजना करब। जत' रहब ओहि दिन विश्राम-दिन अवश्य मानब।4हम अहाँसबहक लेल पावनिक स्थापना क' रहल छी। ईसब पवित्र दिन होएत जखन अहाँसबके हमरालेल पवित्र सभा बजाबए पड़त। 5पहिन पावनि यहोवाके फसह पावनि अछि। ई पावनि प्रत्येक वर्षके' वसन्त ऋतुमे निर्धारीत दिन गोधूलि सांझमे शुरु होएत आ अगिला दिन समाप्त भ' जाएत।6दोसर दिन रोटीके पावनि शुरु होएत जे यहोवाके अखमीरी रोटी होएत। ई पावनि सात दिनधरि चलत। ओहि समयमे जे रोटी खाएब से बिना खमीरके बनाबए पड़त।7ओहि पावनिमे पहिन दिन अहाँसब अपन नियमित काज छोड़िक' हमर आराधना करबाक लेल पवित्र सभाके आयोजना करु।8सात दिनमेस' प्रत्येक दिन अहाँसब हमरालग पशुसबहक बलिदानक रुपमे चढ़ाएब जे वेदीपर पूरा प्रकारस' जराओल जाएत। सातम दिन अहाँसबगोटे फेरु अपन नियमित काज छोड़ि हमर आराधना करबाक लेल पवित्र सभाके आयोजना करु।”9यहोवा मूसाके फेरुस' कहलनि,10इजराएली लोकसबके आन पावनिसबहक विषयमे कहू। ओ कहलनि, “हम जे देश अहाँसबके रहबाक लेल देब जा' रहल छी, ओतए पहुंचलाक बाद आ जखन अहाँसब ओहि ठाम पहिन बेर अपन बालि काटब त' ओहिमेस' किछु बोझा अनाज पहिने पुजारीलग ल' क' आएब।11विश्राम-दिनके दोसर दिन पुजारी ओकरा अन्नके बोझा उठाक' डोलबैत हमरा समर्पित करताह, जे हम अहाँसबहक उपहार स्वरुप स्वीकार करब।12ओहि दिन अहाँ हमरालेल अन्नके बोझा डोलाएब आ एक वर्षक भेंड़ बलि चढ़ाएब जाहिमे कोनो दोष नहि होए। अहाँ ओकरा वेदीपर जरुर जरादेब।13अन्नबलि सेहो जराउ। ओहि बलि रुपमे दू किलो नीकस' पीसल आंटा एक लीटर जैतूनक तेलमे मिलाओल होएबाक चाही। ओहि वस्तुसबके जरैत सुगन्ध हमरा बहुत खुश करैत अछि। एहिस' संगहि एक लीटर दाखमद्य सेहो अवश्य चढ़ाउ, जे अर्घबली होएत।14ओहि दिन रोटी, भुजल आ बिना भुजल अनाज नहि खाउ जाधरि अहाँसब अपन यहोवा लग, अपन बलिदान नहि लबैत छी। अहाँ आ अहाँके सब वंशजके सदिखन एहि आज्ञा सबहक पालन करबाक चाही, चाहे अहाँसब जत रहू।15पुजारी हमरा ओहि अन्नक बोझा उठाक' चढ़ा देलाके बाद पुरे सात सप्ताह गनती करु।16तखन सातम विश्राम-दिनके दोसर दिन प्रत्येक परिवारके नव अन्नक बालीमेस' बलिदान हमरालग लएबाक चाही।17अपन घरस' दूटा रोटी पुजारीलग आनू। ओ हमरालेल अन्नबलिक रुपमे समर्पित करबाक लेल उपर उठाओत। ओ रोटीसब दू किलोके नीक आंटास' बढ़ियास' सेकल गेल होएबाक चाही जाहिमे खमीर मिलाओल गेल होअए। ओ रोटी हमरालेल ओहि पहिन गहूमक' बलि होएत जे अहाँसब प्रत्येक साल उब्जबैत छी।18ओहि रोटीके स' संग अहाँसब हमरालग सातटा एक वर्षक भेंड़, जेकरामे कोनो दोष नहि होअए, एकटा बच्छा आ दूटा भेंड़ा सेहो चढ़ाएब। ओ सबटा वेदीपर पूर्णरुपस' जराओल जाए। ओसब बलि, आंटाबलि आ अर्घबलीक स' संग जराओल जाए आ ओहि सब वस्तुक सुगन्ध हमरा बहुत नीक लगैत अछि।19तखन अहाँ अपन पापक लेल पापबलिके रुपमे एकटा छागर आ मेलबलिके लेल दूटा एक वर्षक भेंड़के बच्चाके सेहो चढ़ाउ।20पुजारी हमरा चढौना चढ़ाबए लेल एहि दूटा मेमना बलिदानसबके डोलाओत। ओ रोटी सेहो चढ़ौताह, अहाँसब जे पहिन गहूम कटैत छी ताहिमेस' रोटी सेकल गेल होअए। ओ चढ़ौना हमरालेल विशेष अछि, मुदा ओसब पुजारीक हिस्सा अछि।21ओहि दिन, अहाँसब अपन नियमित काज छोड़िक' हमर आराधना करबाक लेल पवित्र सभा बजाउ। अहाँसब जत रहब अहाँसबहक वंशजके सदिखन एहि आज्ञा सबहक पालन करबाक चाही। 22जखन अहाँसब अपन खेतमे अनाज कटनी करब तखन खेतक कातके अनाज नहि कटिऔ आ जे अनाज कटनिहारक हाथस' खसि पड़ैत अछि से नहि उठाउ। ओ गरीब लोकक लेल आ अहाँसबहक बीच रहनिहार विदेशी सबहक लेल छोड़ि दिऔ। ई नहि बिसरब, जे हम, अहाँसबके परमेश्वर यहोवा एहि बातसबके आज्ञा द' रहल छी!”23यहोवा फेरु मूसाके कहलनि24इजराएली लोकसबके ई निर्देशन दिऔ, “प्रत्येक वर्षक सातम मासमे, ओहि मासक पहिन दिन, अहाँसब ओहि दिन विशेष विश्राम-दिनके रुपमे मनाउ। ओहि दिन कोनो काज नहि करु। जखन पुजारीसब जोर-जोरस' तुरही बजाओत तखन अहाँसबके पवित्र सभा जकां जम्मा भ' क' हमर आराधना करबाक चाही।25अहाँसब ओहि दिन कोनो नियमित काज नहि करु। मुदा अहाँ हमरालेल होमबलि चढ़ाउ जे वेदीपर जराओल जाएत।”26यहोवा फेरु मूसास' कहलनि,27“अहाँ एकटा एहन दिन मनाउ, जे अहाँ मांगब त' अहाँ जे पाप कएने छी ताहिके लेल हम अहाँसबके क्षमाक' देब। ओ दिन पावनिके नऔ दिन बाद होएत जखन पुजारीसब तुरही बजाओत। ओहि दिन अहाँसब उपास रहू। अहाँसब हमर आराधना करबाक लेल पवित्र सभा राखि हमरालेल होमबलि चढ़ाउ।28ओहि दिन अहाँसब कोनो प्रकारक काजसब नहि करु, किएकत' ई प्रायश्चितके दिन अछि, जखन पुजारी अहाँसबहक पापक लेल यहोवा अहाँके यहोवाके लेल बलिदान चढ़ाैताह।29जे केओ ओहि दिन बिना भोजन कएने जाए, त' ओकरा लोकसबस' बहार क' दिअ। 30ओहि दिन जे केओ कोनो प्रकारक काज करत तेकरा हम नाश क' देब।31अहाँसब कोनो प्रकारक काज नहि करु! अहाँसब जत रहब, अहाँ आ अहाँके वंशजसबके सदिखन एहि आज्ञा सबहक पालन करबाक चाही।32ओ दिन अहाँसबहक लेल पूर्ण विश्रामक दिन होएत, आ ओहि दिन अहाँसबके उपवास करबाक चाही जाहिस' अहाँसब पाप प्रायश्चित क' सकैत छी। आराम आ बिना भोजनक ओ दिन ओहि दिन' पहिने सांझस' शुरु होएत जाहि दिन अहाँ हमरास' अहाँके अपन पापक क्षमा करबाक लेल कहब, आ दोसर दिनक सांझमे ई समाप्त भ' जाएत।”33यहोवा फेरु मूसास' कहलनि,34“इजराएली लोकसबके ई कहि दिऔ जे सब साल ओकरासबके यहोवाके लेल झोपड़ीक पर्व सेहो मनाबए पड़त। ओ पावनि प्रायश्चित दिनक पांच दिन बाद शुरु होएत। ई पावनि सात दिनधरि चलत। 35ओहि पावनिके पहिन दिन लोकसब हमर आराधना करबाक लेल एकटा पवित्र सभाके रुपमे एकठाम जमा होएत आ ओसब कोनो नियमित काज नहि करत।36एहि पावनिमे प्रत्येक सात दिनमे ओसब हमरालेल पशुक बलिदान करत जे वेदीपर जराओल जाएत। आठम दिन फेरु पवित्र सभाके रुपमे जमा भ' क' हमर आराधना करताह आ हमरा सामने एकटा आओर जानबर बलि चढ़ाएत जे वेदीपर जराओल जाएत। ओहो पवित्र सभा होएत, आ ओहि दिन सेहो सबगोटेके काज नहि करबाक चाही। 37स' संक्षेपमे कहब जे हम यहोवाके लेल ओसब पावनि निर्धारीत कएने छी। अन्नबलि, मेलबली आ अर्घबली, जे तरह-तरहक बलिदानसब पूर्णरुपस' बेदीपर जराओल जाएत। प्रत्येक बलिदान ओहि पवित्र सभाके दिन अवश्य आनब जाहि दिन हम ओहि बलिदानक लेल तय कएने छी।38अहाँसबके विश्राम-दिनमे हमर आराधना करबाक अतिरिक्त ई पावनिसब सेहो करबाक चाही। ओहिके अतिरिक्त अहाँसब हमरा ओसब बलि अवश्य चढ़ाउ जे लोक व्यक्तिगत रुपस' देबाक निर्णय लैत अछि, आ लोकसबद्वारा कएल कबुला चढ़बैत अछि।39छपरी पावनिके विषयमे हम, यहोवाके निर्देशन अनुसार अहाँसब बालि कटलाक' बाद ई पावनि मनाउ। ओहि पावनिके पहिन दिन आ अन्तिम दिन अहाँके लेल पूर्ण विश्रामक दिन अछि।40मुदा पहिन दिन, अहाँसबके गाछस' नीक-नीक फल तोड़बाक अनुमति अछि। सप्ताह धरि रहबाक लेल ताड़क गाछस' ताड़क छज्जा, आन गाछस' पतास' भरल डाढ़ि आ नदी कातक विलोक गाछ सेहो छपरी बनाएब लेल तोड़ि सकैत छी। तखन ओहि सात दिनधरि हम, अहाँके यहोवा यहोवाके उपस्थितिमे आनन्द मनाउ।41अहाँसब सालमे सात दिनधरि ई पावनि यहोवाके लेल मनाउ। अहाँ आ अहाँके वंशजसबके सदिखन एहि आज्ञा सबहक पालन करबाक चाही, ओसब जत रहत। सातम मासमे अहाँसब ई पावनि अवश्य मनाउ।42ओहि पावनिमे सात दिनमे, अहाँ इजराएलीसब सात दिनधरि छपरीमे रहू।43ई पावनि अहाँके वंशजसबके सदिखन मोन पाड़त जे इजराएलीसबके पूर्वजसब हमराद्वारा मिस्रस' बचाओल गेलाकबाद बहुते वर्ष धरि छपरीमे रहैत छलाह। ई नहि बिसरब जे हम, अहाँके परमेश्वर यहोवा, ई आज्ञा द' रहल छी।”44तखन मूसा इजराएली लोकसबके ओहि पावनि निर्धारीत सबहक विषयमे ईसब निर्देशन देलनि जे यहोवा चाहैत छलाह जे ओसब हरेक साल मनाबए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67