Leviticus22
1फेरु यहोवा मूसास' कहलनि,2“हारून आ हुनकर बेटासबके ई बुझा दिऔ जे इजराएलीसब बलिदान द' क' कोनो पवित्र भोजनके नहि छुबए आ नहि खाए। हमरा आ हमर नामक अपमान नहि करए। हम यहोवा छी।3ओकरासबके कहि दिऔ जे आबएबला समयक' लेल जं ओसब आ ओकरासबहक वंशजमेस' कोनो कारणवश पुजारीसब ओ काज करबाक लेल अशुद्ध भ' जाए, त' इजराएलक लोकसब हमरालेल समर्पित कएने बलिदान लग नहि आबए। जे केओ एहि नियमके उल्लंघन करत से हमर लोकक बीचमे नहि रहत। हम यहोवा छी।4जं हारूनके वंशजक कोनो स' चमररोग आ धाधु रोग भ' गेल होएत जाधरि ओ ठीक नहि भ' जाए ताधरि ओकरा कोनो पवित्र बलिदान खएबाक अनुमति नहि अछि। जे केओगोटे कोनो लाशके छुबि लएने होअए, जं कोनो धाधु रोगीके छु लएने होअए ओहो अपन काजक लेल अशुद्ध होएत।5आ जं ओ जमीनपर घिसिआएबला जीवके छु लएने होअए, जं ओ कोनो अशुद्ध आदमीके छु लएने होअए।6जे पुजारी कोनो अशुद्ध वस्तुके छुबि लेत से सांझ धरि अशुद्ध रहत। जाधरि अपन शरीरके पानिस' नहि धो लिअ ताधरि ओ पवित्र वस्तुमेस' कोनो वस्तु नहि खाए।7सूर्य डुबलाके बाद ओ पवित्र बलिदानमेस' भोजन क' सकैत अछि, किएकत' ओसब आब ओकर भोजन अछि।8मुदा, स्वभाविक मृत्युस' मरि गेल होअए आ जंगली जानवरद्वारा मारल गेल होअए, ओहि जनावरके मासु नहि खाए, किएकत' जं ओ एहन काज करत त' ओ हमरालेल अशुद्ध होएत। हम, यहोवा, ओहि बातसबके आज्ञा द' रहल छी।9पुजारीसबके हमर आज्ञाक अवश्य पालन करबाक चाही। ओकरासबके तिरस्कार नहि करबाक चाही, नहि त' ओसब दोषी भ' क' मरि जएताह। हम यहोवा छी, जे ओकरासबके हमर आदरक लेल चुनने छी।10जे केओ पुजारीक कुलके नहि अछि, ओकरा पवित्र बलिदानमेस' भोजन करबाक अनुमति नहि अछि। जे केओ पुजारीलग जाएबला आ जे पुजारीद्वारा बोइन द' क' काजमे लगाओल गेल होअए, ओकरासबमेस' केकरो खएबाक अनुमति नहि अछि।11मुदा जं पुजारीद्वारा दाम द' क' किनल गेल नोकर आ ओकरा घरमे जन्मल नोकरके भोजन करबाक अनुमति अछि।12जं पुजारीक बेटी कोनो एहन पुरुषस' विवाह कएने अछि जे पुजारी नहि अछि, तखन ओकरा ओ पवित्र भोजन जे यहोवाके उपहार आ बलिदानक रुपमे देल गेल अछि, से खाएके अनुमति नहि अछि।13मुदा मानि लिअ जे कोनो पुजारीक बेटी जेकरा कोनो स' सन्तान नहि अछि, ओ विधवा अछि आ घरबला छोड़ि देने अछि, ओ अपन बापक घरमे रहैत अछि, जेना ओ छोटमे रहैत छल। ओहन स्थितिमे ओ ओहिना भोजन क' सकैत अछि जेना ओकर बाप खाइत अछि। मुदा एहिमेस' कोनो आन व्यक्तिके खाएके अनुमति नहि अछि।14जं केओ आदमीके बलिदान खएबाक अनुमति नहि अछि, ओ ओकरा पवित्र बलिदान नहि बुझि खाइत अछि, त' ओकरा भोजनक लेल पुजारीके पाइ देबाक चाही आ ओहिमे तेकर पांचम भाग अतिरिक्त जोड़िक' देबाक चाही।15जखन पुजारीसब हमरालेल बलिदान लबैत अछि, जे पवित्र बलिदान इजराएली लोक हुनकासबहक' लग लबैत अछि, तखन ओसब ओहि बलिदानसबके अपवित्र नहि बनबौक जेना ओ हमरालेल विशेष नहि होअए।16पुजारीक लोकसबके ओहि बलिदानमेस' कोनो बलिदान नहि खाए देबाक चाही। जं ओ एना करत त' ओ दोषी भ' जाइत। हम यहोवा छी, जे इजराएली लोकसबके दोसर लोकस' अलग करैत छी आ ओकरासबके हमर आदरक लेल पवित्र करैत छी।” 17यहोवा मूसाके फेरुस' कहलनि,18“हारून, ओकर बेटासब आ समस्त इजराएली लोकसबस' कहिदेल जाए जे हम ओकरासबके ई कहैत छी, ‘अहाँसबमेस' केओ इजराएली आ इजराएलमे रहनिहार परदेशी छी से हमरालग एकटा एहन जानबर होमबलिके लेल लबैत छी, त' ओ अहाँद्वारा हमरालेल कएल कबुला आ स्वेच्छा बलिदान होअए,19अहाँसब अपन भेंड़ आ छागरके हेंड़मेस' एकटा जानबर जेकरामे कोनो दोष नहि होअए, जाहिस' हम ओकरा स्वीकार क' सकब।20एहन पशुके नहि आनब जाहिमे कोनो प्रकारक दोष अछि, किएक त' हम ओकरा अहाँसबहक लेल स्वीकार नहि करब।21तहिना हमरालेल कएल कबुला आ स्वेच्छास' जखन केओ अपन भेंड़ा वा छागरके हेंड़मेस' मेलबलिक लेल दोषबलीके लेल बलिदान लबैत छी, त' स्वीकार करबाक लेल ओकरामे कोनो प्रकारक दोष, दाग आ पय नहि होएबाक चाही।22हमरा आन्हर, घाहिल आ अपांग जानबर होमबलि नहि करु।23अहाँसब हमरालग बच्छा आ भेंड़ा जे घाहिल आ ठमकि गेल होअए, ओकरा स्वेच्छास' चढ़ाबए सकैत छी, मुदा कबुला कएल बलिदानक रुपमे ग्रहण नहि कएल जाएत।24अहाँसब हमरा एहन जानबर नहि चढ़ाउ जेकर अंडकोष चोटिल, पिचाएल, फाटल आ चिड़ल होअए। अहाँ जाहि देशमे रहि रहल छी, ओहि देशमे कतहुं एहि प्रकारक क्षतिग्रस्त जानबरके यहोवा परमेश्वरके बलिदानक रुपमे नहि चढ़ाउ,25आ एहन जानबरके स्वीकार नहि करु जे कोनो विदेशीद्वारा अहाँके बेचल जाए। हमरा भोजनक रुपमे अहाँसब अपन यहोवाके नहि चढ़ाउ। एहन जानबर हमरा स्वीकार नहि होएत, किएक त' ओ विकृत आ दोषपूर्ण अछि।’” 26यहोवा परमेश्वर मूसाके फेरुस' कहलनि,27“जखन बच्छा, भेंड़ आ पठरु जन्म लेत तखनस' सात दिनधरि ओकरा मायस' संग रहए दिऔ। तेकरबाद, हमरालेल एकटा होमबलिके चढ़ौना मानल जाएत।28एकहि दिन गाई, भेंड़ आ ओकर नवजात बच्चाके नहि मारु।29जखन अहाँसब कोनो पशुके यहोवा लग बलिदान दैत छी जे हमराद्वारा कएल गेल काजक धन्यवाद देबाक अछि, तखन ओकरा एहन बलिदान करु जे हम स्वीकार क' सकी।30ओहि दिन मासु खाए पड़त। अगिला दिन भोर धरि एहिमेस' कोनो चीज बांकि नहि छोरु। हम, यहोवा, ई आज्ञा द' रहल छी।31हमरसब आज्ञाक पालन करु। हम, यहोवा, ओकरासबके आज्ञा द' रहल छी।32ई आज्ञा नहि मानि हमरा अनादर नहि करु। अहाँ इजराएली लोकसबके ई बात स्वीकार करबाक चाही जे हम, यहोवा पवित्र छी, आ हम ही छी जे अहाँसबके पवित्र क' सकैत छी।33हम ही अहाँसबके मिस्रस' बाहर अनने छी जाहिस' हम यहोवा अहाँसबहक यहोवा बनि सकी।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.