Leviticus21
1यहोवा मूसास' आगु कहलनि, “हारूनके बेटा जे पुजारीसब छथि हुनकासबस' कहियौन, ‘अहाँसब कोनो मरल व्यक्तिके छूबिक' हमर काजक' लेल अशुद्ध नहि बनू।2अहाँसबके माय, बाप, बेटा, बेटी आ अहाँके सहोदर भायके मरलाके बाद छुबएके अनुमति अछि।3अहाँ अपन अविवाहित बहिनके मृत्यु भेलापर छूबिक' अशुद्ध क' सकैत छी, ओ अहाँके घरमे रहैत अछि, आ ओकरा गाड़ए लेल ओकर पति नहि अछि।4मुदा पुजारीके नाता स' ओ अपना लोकसबमे प्रधान अछि, एहिलेल ओ अपनाके एना अशुद्ध नहि करए जे अपवित्र भ' जाए।5अहाँ पुजारीसब अपन माथ आ दाढ़ीक केश नहि कटाऊ, अहाँसब केओ मरि गेलाक शोक मनाबए लेल देहमे कोनो प्रकारक खत नहि बनाउ। 6अहाँसबके ओहि प्रकारक काज करबाक चाही जे यहोवा अहाँसबहक लेल उचित बुझति छथि, अहाँसब हमरा बदनाम नहि करब। अहाँसब ओ छी जे आगिद्वारा चढ़ाएल जाएबला बलिदान हमरा समक्ष भेटि करैत छी। ई बलिदानसब अहाँसबहक भोजनक समानमेस' हमरा देल जाइत अछि। तएं अहाँसबके पवित्र रहबाक चाही, कारण अहाँसब हमरा आदर सम्मान करैत छी।7अहाँ पुजारीसब वेश्यबृतिमे लागल आ पतिद्वारा छोड़ल गेल महिलास' विवाह नहि करब, किएकत' अहाँ पुजारीसब यहोवाके लेल पवित्र आ चुनल गेल व्यक्ति छी। 8अहाँसब मोन राखब जे हम अहाँसबके हमर आराधना करबाक लेल चुनल गेल छी। अहाँसब अपन यहोवाके भोजन चढ़बैत छी। अपनाके हमर बुझू, किएकत' हम, यहोवा अहाँसबके पुजारी बनौने छी, आ हमरा अधलाहस' कोनो लेना-देना नहि अछि, हम पवित्र छी।9जं कोनो पुजारीक बेटी वेश्या बनि जाइत अछि, त' ओ अपन बापक बेइज्जती करैत अछि आ अहाँसबके ओकरा आगिमे जरा देबाक चाही। 10प्रधान पुजारी जं अपन सम्बन्धीमेस' छथि जिनका माथपर जैतूनक तेलस' अभिषेक कएल गेल अछि। आ ओ जिनका यहोवाके महिमाक लेल पुजारीके वस्त्र पहिराओल जाइत अछि आ अलग कएल गेल अछि। ओ अपन माथके केशके कंघीस' सदिखन सोटले रहबाक चाही, आ केकरो शोकमे अपन कपड़ा नहि फाड़बाक चाही।11ओ कोनो एहन स्थानपर नहि जएबाक चाही जत लाश होए। ओकरा एहन काज नहि करबाक चाही जाहिस' ओ पुजारीक काजक लेल अशुद्ध भ' जाए, भलेहि ओकर बाप आ माय मरि गेल होए।12ओ पवित्र स्थान छोड़ि शोक करएबला लोकसबस' संग नहि जएबाक चाही, किएकत' ओ अपनाके पुजारी काजक लेल अशुद्ध बनाओत आ पवित्र स्थानके सेहो अशुद्ध क' देत। ओहि समयमे ओकरा पवित्र स्थानस' बाहर नहि निकलबाक चाही, किएकत' जैतूनक तेलस' अभिषेक कएलाक बाद ओकरा पवित्र स्थानमे अपन यहोवाके सेवा करबाक लेल नियुक्त कएल गेल अछि। हम, यहोवा, ई आज्ञा द' रहल छी।13अहाँ पुजारीसब जे स्त्रीस' विवाह करब से कुमारि होअए होएबाक चाही।14अहाँ पुजारीसब विधवा, वेश्या आ पतिद्वारा छोड़ल गेल स्त्रीस' विवाह नहि करब, किएकत' जं अहाँसब एना करब आ बादमे अहाँसबहक बेटा होअए त' ओसब अहाँके लोकक बीच पुजारी बनबाक लेल योग्य नहि होअए त। अहाँके अपनहि कुलके कुमारिस' विवाह करबाक चाही। हम यहोवा छी, जे हमर आदर आ हमर आराधना करएबला सबहक लेल पुजारीके अलग करैत छी।’”16यहोवा मूसाके फेरु कहलनि,17“हारूनके ई कहि दिऔ जे, ‘आबएबला सब समयक लेल, अहाँके वंशजसबमे जेकर शरीरमे कोनो पय अछि, त' हम, यहोवाके बलि चढ़ाबए लेल ओसब वेदी लग नहि आबए।18कोनो आन्हर, नाङरि आ कुरुप, 19हाथ आ पयरस' अपांग,20कोनो एहन केओ जे कुबड़ा आ असामान्यरुपस' बौना अछि। कोनो एहन आदमी जिनकर आंखिमे खराबी होए, कोनो एहन पुरुष जिनकर चर्मरोग होअए आ जिनकर निजी अङ क्षतिग्रस्त भ' गेल होए।21पहिन प्रधान पुजारी हारूनके कोनो वंशज, जेकरामे कोनो प्रकारक पय अछि, ओकरा वेदीपर हमरा, अपन यहोवाके लेल होमबलि चढ़ाबए लेल नहि जएबाक चाही।22जे पुजारीमे पय अछि, ओकरा हम, यहोवाके लेल चढ़ाएल गेल विभिन्न प्रकारक पवित्र भोजन करबाक अनुमति अछि।23मुदा, अपन पयके कारण ओसब पवित्र स्थानमे पर्दा लग आ वेदी लग नहि जएबाक चाही, किएकत' जं ओसब एना करत त' हमर पवित्र स्थानके अपवित्र क' देत। हम यहोवा छी, जे ओहि स्थानसबके अपन आ अपन आदरक लेल अलग कएने छी।’” 24तखन मूसा हारून आ हुनकर बेटासब आ सब इजराएली लोकके ई बात कहलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.