Leviticus20

1यहोवा मूसाके आगु कहलनि:2“इजराएली लोकसबके ई कहलजाए, ‘इजराएलमे रहनिहार इजराएली आ परदेशी जे अपन कोनो सन्तानके मोलेकके बलिदानक रुपमे बलि दैत अछि, त' बस्तीक' लोकके ओकरापर पत्थल फेकि-फेकिक' मारि देबाक चाही।3हम एहन लोकसबके बहिस्कार क' देब आ ओकरासबके अपन लोकस' संगे रहबाक अनुमति नहि देब, किएक त' ओ अपन सन्तानके मोलेकके द' देलक, जाहिस' हमर पवित्र स्थानके अशुद्ध कएलक आ हमर पवित्र नामके अपवित्र बनओलक।4जं ओ आदमी अपन कोनो सन्तानके मारिक' मोलेकके चढ़ाओत त' समुदायक लोकसब ओकरा अनदेखि क' क' ओहि आदमीके नहि मारत त'5हम स्वयं ओहि आदमीके आ ओकर कुलके दण्डित करब। हमर आज्ञा अछि जे आब ओ हमरा लोकस' संगे नहि रहए। आ आन लोकसबस' संगे सेहो एहने करब जे हमरा प्रति अविश्वासी अछि आ जे मोलेक संगे वेश्या जकां खेलएलेल जाइत अछि।6हम ओहि लोकसबके बहिस्कार क' देब जे प्रेत आत्मास' परामर्श करएबलासबके पाछु व्यभिचारी जकां जाइत अछि, आ जे भाग्य देखएबला लग जाइत अछि जे मरलके आत्मासबस' सल्लाह लेबएलेल जाइत अछि। हम एहन लोकके बहिस्कार क' देब आ ओसब हमर लोकसबस' संगे नहि रहत।7हमर आदरक लेल अपनाके अलग राखू, जाहिस' अहाँसब हमरामे बनल रहब, किएकत' हम अहाँसबके परमेश्वर यहोवा छी। 8हम जे किछु आज्ञा देने छी, से ध्यानपूर्वक पालन करु। हम यहोवा छी, जे हम अपन आदरक लेल अहाँसबके आन लोकसबस' अलग करैत छी।9जं केओ अपन माय-बाबुके गाढ़ि पढै़त सराप दैत अछि त' अहाँसबके ओकरा मारि देबाक चाही। अपन मृत्युके जिम्मेवार ओ स्वयं होअए त।10जं केओ पति पत्नी मिलक' दोसरके पत्नीक संग व्यभिचार करैत अछि त' अहाँसबके ओकरा दुनूगोटेके, पुरुष आ स्त्रीके मारि देबाक चाही। ओसब व्यभिचार कएने अछि। 11जं केओ अपन मायस' संगे सुतैत अछि त' ओ अपन बापक अपमान करैत अछि। तएं अहाँसबके ओहि दुनूगोटेके मारि देबाक चाही, ओसब अपन मृत्यु लेल स्वयं जिम्मेवार होअए त। 12जं केओ अपन पुतहुस' संगे सुतैत अछि त' दुनूगोटेके मारि देबाक चाही। ओसब दुराचार कएने अछि जे नहि करबाक चाही। दुनूगोटे स्वयं मृत्युके कारण बनत।13जं दू आदमी एके संग' संग सुतैत अछि जेना पुरुष आ स्त्री सुतैत अछि त' ओसब घृणित काज कएने अछि। ओहि दुनूगोटेके मारि देब पड़त, ओसब अपन मृत्युके लेल स्वयं जिम्मेवार होअए त। 14जं केओ बेटी आ माय दुनूस' संग विवाह क' क' दुनूस' संग सुतैत अछि त' ओ दुष्कर्म अछि। अहाँसब तीनूगोटेके जराक' मारि दिऔ, जाहिस' अहाँसबमेस' केओ एहन कुकर्म नहि करए।15जं केओ कोनो जानबरक स' संग सम्भोग करैत अछि त' ओकरा ओहि जानबरक स' संग मारि दिऔ।16जे स्त्री कोनो जानबरक स' संग सम्भोग करैत अछि त' दुनूगोटेके मारि दिऔ। ओ अपन मृत्युके जिम्मेवार स्वयं होअए त।17जं केओ अपन बहिनक स' संग सुतैत अछि, त' ई बेइज्जती अछि। ओसब हमर लोकक स' संग नहि रहत। बहिनक स' संग सुतल होअए होएबाक कारणे ओ दयाके योग्य नहि बल्कि दोषी अछि।18जं कोनो पुरुष मासिक धर्मक समयमे स्त्रीके स' संग सुतैत अछि त' दुनूगोटे बहैत लेहूके प्रगट कएने अछि, तएं दुनूमेस' केओ हमर लोकके' संग नहि रहबाक चाही।19केओ अपन बाप आ मायक बहिनसंगे सुतैत अछि, त' ओ अपन सम्बन्धके बदनाम करैत अछि। एहन पुरुष आ स्त्रीके अधर्मके दण्डित करए पड़त।20जं केओ अपन मामा आ काकाके पत्नीस' संगे सुतैत अछि त' ओ अपन काका आ मामाके अपमान करैत अछि। ओसब अपन' पापके जिम्मेवार स्वयं होअए त। आ जखन ओसब मरत, तखन हुनकर बच्चासबद्वारा पैतृक अधिकार छिन लेल जाएत।21जं केओ अपन भाइक पत्नीस' विवाह करैत अछि त' ओ पाप अछि किएक त' ओ अपन भाइक विवाह क अपमान कएने अछि। ओ निसंताने भ' जाएत।22अहाँसब हमर बिधिबिधानसब ध्यानस' पालन करु, जाहिस' अहाँसबके ओहि देशस' बाहर नहि जाए पड़ए जाहिमे हम अहाँसबके ल' जा रहल छी।23जाहि देशस' हम ओकरासबके निकालए जा' रहल छी, ओहि देशके लोकके रीति-रिवाजक अनुकरण नहि करु। हम हुनकासबस' घृणा करैत छी कारण ओसब काज कएने अछि।24मुदा, हम अहाँसबके कहि रहल छी, “अहाँ ओकरासबहक देश ओकरासबस' छिन लेब। हम अहाँसबके होबएलेल देब, एकटा एहन देश जे बहुत उपजाउ भूमि अछि। हम अहाँसबके परमेश्वर यहोवा छी, जे अहाँसबके आन जाति सबहक लोकसबस' अलग कएलहुं।”25तएं अहाँसब चिड़ै-चुनमुन आ पशुमे भेद करब जे हमरालेल शुद्ध आ अशुद्ध अछि। चिड़ै-चुनमुन, जानबर आ जमीनपर घिसिआक' चलएवला कोनो वस्तु खा' क' अपनाके अशुद्ध नहि करु, जे बात हम कहि रहल छी से अहाँसबहक लेल अशुद्ध अछि।26अहाँसब एकटा एहन प्रजा जकां रहू जे हमर आदरक लेल अलग अछि, किएकत' हम यहोवा सेहो अलग कएल गेल छी आ हम अपन आदरक लेल सब किछु करैत छी। हम अहाँसबके आन जातिमेस' निकालि अलग कएने छी, कारण अहाँ हमर छी।27अहाँसबमेस' जे कोनो पुरुष आ स्त्री मरल लोकस' आ आन आत्मासबस' परामर्श करैत अछि, ओकरा अहाँसबके पत्थलस' मारि देबाक चाही। ओसब स्वयं अपन मृत्युके लेल जिम्मेवार होअए त।’”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67