Leviticus19
1यहोवा फेरु मूसास' कहलनि,2“इजराएली समुदायके लोकसबस' ई कहल जाए: अहाँसबके पवित्र रहबाक चाही, किएकत' अहाँके परमेश्वर यहोवा पवित्र छथि, आ ओ चाहैत छथि जे अहाँसब हुनका जकां बनू।3अहाँसब अपन माय-बाबुके आदर करु। आ अहाँसब शबाथ-दिन पालन करु। अहाँसबके परमेश्वर हम यहोवा छी, जे अहाँसबके ई काजसब करबाक आज्ञा द' रहल छथि।4मूर्तिपूजा नहि करु, जेकर कोनो महत्व नहि अछि आ अपनालेल धातुके देवताके मूर्ति नहि बनाउ। यहोवा अहाँके यहोवा छथि। ई बात ओएह कहि रहल छथि। एकमात्र हुनके पूजा करु।5यहोवा इहो कहैत छथि जे ‘जखन अहाँसब मेलबलिके लेल कोनो चढ़ाैना लबैत छी त' ओकरा एना चढ़ाउ जे हम ग्रहण क' सकी।6जाहि दिन अहाँ बलिदान चढ़बैत छी, ओहि दिन मास खाउ, मुदा दोसर दिन ओहिमेस' किछु खा' सकैत छी। मुदा, जे किछु बचल अछि से तेसर दिन आगिमे जरादेब।7किएकत' तेसर दिन एहिमेस' केओ किछु खाएब त' ओ हमरालेल बहुत अप्रिय होएत, आ हम ओ बलिदान ग्रहण नहि करब।8दोसर दिनक बाद जे एकरा खाएत तेकरा हम, यहोवा दण्डित करब, किएक त' हम जे पवित्र कहैत छी ओहिके आदर नहि क' अधर्म कएने छी। आ ओहि व्यक्तिके आब जे हमर लोकसब छी ओकरा बहिष्कार करु।9जखन अहाँ अपन अनाज काटब तखन खेतक छोर आ कोन-कोनमे अनाज ठाढ़ छोड़ि दिऔ नहि काटू। जे बालि जमीनपर खसि जाइत अछि ओकरा नहि लोढ़हू।10जखन अहाँ अपन दाखबारीमेस' अंगूर तोडै़त छी त' दोसर बेर फेरुस' तोड़ए नहि जाउ आ जमीनपर खसल अंगूर नहि उठाउ। ओसब गरीब लोक आ अहाँसबके बीच रहनिहार विदेशी लोकसबके लेल छोड़ि दिऔ। अहाँके परमेश्वर हम यहोवा अहाँसबके ई आज्ञा द' रहल छी।11कोनो चीज चोरी नहि करु। झूठ नहि बाजू। एक-दोसरके धोखा नहि दिऔ।12अहाँसब हमर झूठ-फुसके शपथ नहि खाउ आ हमर दण्डक भागी नहि बनू। जं अहाँसब एना करब त' हमरा नामके अपवित्र बनाएब। ई नहि बिसरु जे हम अहाँसबके परमेश्वर यहोवा छी। 13केकरो नहि ठकब आ केकरो किछु चोरी नहि करब। जं अहाँ दिनक अन्तमे अपन मजदूरके पाइ देब लेल समझौता कएने छी त' ओकर मजदूरी दोसर दिन धरि नहि राखू। 14बहीर लोकके नहि सरापियौ आ आन्हर लोकके ठोकर खएबाक लेल कोनो चीज बाटमे नहि रखियौ। हम, यहोवाके भय मनाए, ई आज्ञा द' रहल छी।15लोकसबके सदिखन उचित न्याय करु। लोकक हैसियत देख न्याय नहि करु, चाहे ओ अमीर होअए चाहे गरीब।16दोसर लोकक विषयमे झूठ भ्रम नहि पसारू। जं अहाँके गवाहीस' कोनो निर्दोष व्यक्तिके जान वंचित अछि, त' अदालतमे चुप नहि रहू। हम, यहोवा, ई आज्ञा द' रहल छी।17केकरोस' घृणा नहि करु। बरु, इमानदारीस' दोसरके डांटि दिऔ, जेकरा डांटि देबाक चाही, जाहिस' अहाँसब सेहो दोषी नहि होएब। 18केकरोस' बदला लेबाक प्रयास नहि करु आ नहि केकरोपर बेसी दिन धरि क्रोधित रहू। मुदा, दोसर लोकस' ओहिना प्रेम करु जेना अहाँ अपना-आपस' प्रेम करैत छी। हम, अहाँके यहोवा, ई आज्ञा द' रहल छी। 19हमर नियम सबहक पालन करु। दू प्रकारक जानबरके एक-दोसरस' संगे बाह नहि करए दिऔ। एकहि खेतमे दू प्रकारक बिआ नहि रोपू। दू प्रकारक सामग्रीस' बनल कपड़ा नहि पहिरु।20जं कोनो पुरुष नोकरनीस' संगे सुतैत अछि जेकरा कोनो आन पुरुषस' विवाह करबाक प्रतिज्ञा कएल गेल अछि, मुदा जं ओ ओहि आदमीद्वारा छुटकारा नहि कराओल गेल आ एखनो नोकरनीए अछि त' दुनूगोटेके दण्ड भेटबाक चाही। मुदा, एखनो नोकरनीए रहबाक कारणे ओकरा आ ओकरास' संगे सुतल आदमीके नहि मारिऔ।21मुदा, ओहि आदमीके पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारपर यहोवाके लेल एकटा भेंड़के चढ़ाबए लेल लएबाक चाही, जे दोषबली होअए त, जाहिस' ओ अपन पापक दोषी नहि रहए।22ओ भेंड़के पुजारी हमरालेल दोषबलीके रुपमे चढ़ा देताह। तखन हम ओहि आदमीके ओकरा ओहि पापक लेल क्षमाक' देब जे ओ कएने छल।23जखन अहाँसब ओहि देशमे प्रवेश करब जे हम अहाँसबके देबाक प्रतिज्ञा कएने छी आ जखन अहाँसब अनेक प्रकारक फलके गाछ रोपब त' तीन साल धरि खतनारहित मानिक' ओकर कोनो फल नहि खाउ।24चारीम वर्षमे अहाँसब ओकर सबटा फल अलग हमरालेल राखू। अहाँसब एकरा पवित्र रुपमे अलग राखू, जे हमरालेल प्रशंसाके चढ़ौना होअए त।25मुदा पांचम वर्षमे अहाँसब ओ फल खा' सकैत छी। जं अहाँसब एना करब त' अहाँके फलक गाछसबस' बेसी फल फरत। हम, अहाँसबके परमेश्वर यहोवा, ई वचन द' रहल छी।26अहाँसब लेहूआएल मासु नहि खाउ। भविष्यमे की होअए त से बुझएलेल मरल लोकक आत्मासबस' परामर्श नहि करु, आ जादू-टोना नहि करु।27कन्पट्टीमे रहल केशके मुंडन नहि करु जेना मूर्तिपूजाके लोकसब करैत अछि। 28मरल लोकक शोक मनबैत काल अपन देह काटिक' कोनो खत नहि बनाउ आ शरीरपर गोदना नहि गोदाउ। हम, अहाँसबके परमेश्वर यहोवा, ई आज्ञा द' रहल छी। 29अपन बेटीसबके जबरदस्ती वेश्याबृति काजमे धकेलिक' ओकर बेइज्जत नहि करु। जं अहाँ ओकरा वेश्या बनैबत छी त' जल्दिए देश बेश्यबृतिके दिस चलि जाएत आ लोकक दुष्ट व्यवहारस' भरि जाएत। 30हमर विश्राम-दिनके पालन करु आ हमर पवित्र स्थान आदर करु, किएकत' हम यहोवा छी।31मृतकके आत्माके खेलाबएबला लोकसबस' सल्लाह नहि लिअ। जं अहाँ एना करब त' हम अहाँके ग्रहण नहि करब किएक त अहाँ अशुद्ध छी। हम अहाँसबके परमेश्वर यहोवा छी।32जखन बूढ़ लोकसब घरमे प्रवेश करैत छथि त' ठाढ़ भ' सम्मान करु आ हुनकासबके आदर करियौ। हम यहोवा छी। 33अहाँसबस' संगे रहनिहार विदेशीसबस' दुर्व्यवहार नहि करु।34अहाँसब ओकरासबहक अपना देशके लोक जकां व्यवहार करियौ। अहाँसब अपने जकां ओकरोसबके प्रेम करियौ, आ अहाँसब नहि बिसरु जे अहाँसब सेहो एकदिन मिस्रमे परदेशी रहल समय सताएल गेल रही। हम, यहोवा अहाँसबके यहोवा छी, से ई आज्ञा द' रहल छी।35अहाँसब कोनो चिजबिज आ बस्तुसब नपैत, जोखैत आ भरैतकाल झंझट नहि करु।36अहाँसब ठीक नाप आ जोखएबला बटखारा आ किलोसब राखू। हम अहाँसबहक परमेश्वर यहोवा छी जे अहाँसबके मिस्रस' निकालिक' लएने छी।37अहाँसब होसियारीपूर्वक हमरसब बिधि-बिधान पालन करु। हम यहोवा छी।’”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.