Leviticus1
1मूसा पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वार लग ठाढ़ भेल छलाह तखन यहोवा हुनका बजाक' कहलनि जे2इजराएली लोकसबस' कहि दिऔ जे जखन अहाँसबमेस' केओ यहोवा समक्ष अपन हेंड़के पशुमेस' एकटा पशुके चढ़ौना चढ़ाबए, चाहे भेंड़मेस' अपन बलिदानक लेल आनि दिऔ।3जं ओकर बलि मालजालक होमबलि अछि त' ओकरा निर्दोष नर चढ़ाबए पड़तैक। ओकरा सभाके तम्बूक प्रवेशद्वारपर चढ़ाबए पड़तैक, जाहिस' ओहिके यहोवा समक्ष ग्रहण कएल जा' सकए।4ओकरा होमबलिके माथपर हाथ राखए पड़तैक, तखन ओकरादिसस' अपनालेल प्रायश्चित करबस' स्वीकार कएल जाएत। तखन अहाँके' ओहि पापसबहक क्षमा करथि जे अहाँसब कएने छी। 5अहाँसब यहोवा आगु बच्छाके बलि दिऔ। तखन हारूनके बेटा जे पुजारी छथि, ओ लेहू आनिक पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वार लग वेदीके चारुदिस ढारि देताह।6अहाँसब ओहि होमबलिके बच्छाके चमड़ा निकालिक' टुकड़ी-टुकड़ी क' दियौं। बच्छाके भीतरके भाग आ टांग अवश्य धोउ।7तखन हारूनके बेटासब वेदीपर आगि लगाबए लेल लकड़ीक' व्यवस्था करताह।8तखन हारूनके बेटासब जड़ैत बेदीक लकड़ीपर मुरा आ चर्बीके टुकड़ीसबके जरौताह।9तखन एकटा पुजारी ओहि सबटा होमबलिके वेदीपर पूरा जरा देताह। आ ओ सुगन्धस' यहोवा प्रसन्न होएताह।10जं अहाँ हेंड़मेस' भेंड़ आ छागर चढ़ा रहल छी त' ओ नर होएबाक चाही जेकरामे कोनो पय नहि रहबाक चाही।11अहाँ ओकरा यहोवाक सामने, वेदीके उत्तर दिस बलि दियौं आ सबटा लेहूके एकटा कटोरीमे जमा करु। तखन हारूनके बेटासब वेदीके चारुदिस लेहू छिट देत।12अहाँसब ओहि पशुके टुकड़ी-टुकड़ी काटि दियौं। भीतरका भाग आ टांग अवश्य धोउ। तखन पुजारीसब जरैत लकड़ीपर मुरा आ चर्बी सहित जरओताह।13तखन एकटा पुजारी ओहि सब होमबलिके ल' क' वेदीपर पूरा तरहे जरा देताह। जराओल सुगन्धस' यहोवा खुश भ' जएताह।14जं अहाँसब यहोवाके चिड़ै-चुनमुन चढ़ा रहल छी त' पेउरकी आ पड़बाके बच्चा चढ़ाउ।15पुजारी वेदी लग ल जा क' ओकर गरदनि मसोइर देताह। तखन वेदीपर मुरी जरा देताह। ओ चिड़ैक' लेहू वेदीके कातमे खसा देताह।16तखन ओ चिड़ै सबहक टांग आ ओकर भीतर जे किछु अछि, ओहिके हटा क' वेदीके पूरबदिस फेक देताह, जत ओसब राख फेक दैत छथि। 17 तखन ओ चिड़ैक पांखि पकड़िक चिड़ैके दू भागमे चीर दैक, मुदा पूरा पूरी नहि। तब पुजारी वेदीपर लागल आगिमे ओकरा पूरा तरहे जरा देत। आ ओहि होमबलिके सुगन्धस' यहोवा प्रसन्न होएताह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.